नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सुपर 30 जैसन मुफ्त कोचिंग देबय के तैयारी

निशुल्क शिक्षा प्रतियोगिता परीक्षा 2011
आनंद कुमार जीक सुपर 30 सं प्रेरणा ल कइटा दोसर कोचिंग संस्थान सेहो गरीब...आर्थिक रूप सं कमजोर छात्र के मुफ्त कोचिंग देबय के तैयारी मे अछि. बिहार जतय छात्र सभ मे इंजीनियरिंग...मेडिकल के लsक विशेष रुझान रहय छनि ओतेय के लेल ई नीक खबर अछि.


पटना मे इंजीनियरिंग तैयारी के लेल कोचिंग कराबय वाला एकटा संस्थान अछि ब्रिलिएंट साइंस कोचिंग. ब्रिलिएंट साइंस कोचिंग राज्य के 120 विद्यार्थी के मुफ्त कोचिंग देबय के मन बनौलक अछि.

एहि के लेल एकटा परीक्षा लेल जाएत. टॉप 120 विद्यार्थी के निशुल्क कोचिंग के व्यवस्था कएल जाएत. किछ विद्यार्थी के स्कॉलशिप सेहो देल जाएत. ओ परीक्षाक रैंकिंग पर निर्भर करैत अछि.

एहि के लेल अखन जे विद्यार्थी 10वीं मे छथिन्ह ओ एकर फॉर्म भरि सकय छथिन्ह. फॉर्म 6 जनवरी तक मिलत जकरा 8 जनवरी तक जमा करय पड़त. मुदा पटना सेंटर वाला के 18 जनवरी तक जमा करय के सुविधा छनि. फॉर्म भरय के चार्ज अछि 350 टका.

सेंटर के हिसाब सं परीक्षा तीन दिन राखल गेल अछि...
16 जनवरी- बिहारशरीफ, आरा, बक्सर, सासाराम, जहानाबाद आओर गया
23 जनवरी- दरभंगा, बेगूसराय, भागलपुर, पूर्णिया, मुजफ्फरपुर, छपरा आओर मोतिहारी
30 जनवरी- पटना
परीक्षा मे मैथ के 20, फिजिक्स के 20, केमेस्ट्री के 20 आओर मानसिक योग्यता केर 15 टा ऑब्जेक्टिव टाइप के सवाल रहत. कुल 75अंक के 75टा सवाल. 70 प्रतिशत सं बेसि अंक पाबय वाला के इंटरव्यू के लेल बुलाएल जएतन्हि.

रिजल्ट 22 मार्च के निकलत. पास होए वाला छात्र के आईएससी के पढ़ाई के संग इंजीनियरिंग के तैयारी मुफ्त मे कराएल जाएत.

एहि बारे मे बेसि जानकारी अहां ब्रिलिएंट साइंस कोचिंग सं ल सकय छी. पता अछि-
ब्रिलिएंट साइंस कोचिंग
ब्रिलिएंट हाउस ( कृष्णा अपार्टमेंट के सामने)
बोरिंग रोड पटना
हेल्पलाइन नंबर-
93868-06850
93868-06851
93868-06852

ब्रिलिएंट के ई नीक कदम अछि मुदा ओ सच मे सीरियस भ ई करैत चाहैत अछि आ सिर्फ नाम कमाएल लेल आओर अपन कोचिंग संस्थान के नाम चमकाबय लेल ई त आगां पता चलत.

Share/Save/Bookmark 
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु