नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

दरभंगा एसडीओ केर गुंडागर्दी... पत्रकार के संग करलक दुर्व्यवहार

नीतीश कुमार के सुशासन के माटि मे मिलाबय पर तूलल अछि दरभंगा के किछ अधिकारी. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन अफसर सभ के खुला छूट देने छथिन्ह जकर ओ गलत इस्तेमाल करि रहल छथिन्ह. नीतीश राज मे अफसर सभ अपना के सेहो राज्य के मुख्यमंत्री सं कम नहि समझय छथिन्ह.

राज्य मे अधिकारी सभ के दादागिरी के कइटा मामला सामने आएल अछि. मुदा दरभंगा वाला मामला त एकदम सं लोकतंत्र के चारिम खंभा के हिला देबय वाला अछि. अधिकारी तानाशाह जकां
काज करि रहल अछि. हिटलर बनल जा रहल अछि.

अजय मोहन प्रसाद जीके नेतृत्व मे विरोध मार्च
मामला अछि गणतंत्र दिवस केर दिन के. 26 जनवरी के दरभंगा के लहेरियासराय मे मुख्य समारोह होएत अछि. ई मुख्य समारोह छल नेहरु स्टेडियम ( पोलो मैदान ) मे. समारोह... कार्यक्रम के कवर करय लेल जिला के छोट-पैघ सभ पत्रकार आएल छलखिन्ह.

मुदा दरभंगा के एसडीओ संजय कुमार सिंह के तरफ सं पत्रकार के बैसय के व्यवस्था एकदम कात मे करल गेल छल जतय सं झंडा फहराबय के दृश्य नीक सं नहि देख रहल छल. पत्रकार सभ फोटो लेबय... रिपोर्टिंग के लेल आगां आबि गेलखिन्ह.

एहि सं तमसाएल एसडीओ साहेब सभ पत्रकार के बाहर जाए के फरमान सुना देलखिन्ह. जिला के बुजुर्ग पत्रकार विनोद कुमार जी एकर विरोध कएलखिन्ह त संजय कुमार सिंह हुनका तत्काल बाहर के रास्ता देखा देलखिन्ह.
दरभंगा के पत्रकारक काला दिवस
एसडीओ के बाहर जाए के कहय के टोन एहन छल जेना ओ कोनो पत्रकार सं नहि बल्कि कोनो अपराधी के आदेश सुना रहल होथिन्ह. एहन गंवार अफसर के नीतीश जी केना बर्दाश्त करय छथिन्ह जकरा कनिओ बाजय-भुकय के सलीका तक नहि अछि.

एहि पर सभ पत्रकार विरोध मे ठाड़ भ गेलखिन्ह. मुदा झंडा के सम्मान करैत झंडा फरहाबय तक कात मे ठाड़ भ गेलाह. झंडा फहरएला के बाद सभ पत्रकार समारोह के बॉयकॉट करैत बाहर भ गेलाह.

पत्रकार सभ एहि बारे मे डीएम सं सेहो शिकायत करलखिन्ह मुदा एसडीओ के एतेक दबंगई अछि जे डीएम एहि मामला के बस चुपचाप सुनि के रहि गेलाह. किछ करलाह नहि. कोनो आश्वासन नहि देलखिन्ह. ओना डीएम साहेब सेहो अपनो किछ कम नहि छथि.
दरभंगा के एसडीओ के खिलाफ प्रदर्शन
एकरा बाद दरभंगा के सभ पत्रकार सरकारी कार्यक्रम के बहिष्कार करय के फैसला करलखिन्ह. आओर अगिला दिन 27 जनवरी के काला दिवस मनाबय आओर विरोध मार्च निकालय के निर्णय कएल गेल.

27 जनवरी के जिला के सभ पत्रकार दरभंगा मे जमा भेलखिन्ह. सभ पत्रकार काला पट्टी लगा कs कर्पूरी चौक सं समाहरणालय तक विरोध मार्च निकलालखिन्ह. एहि मे शहर के आम लोक के सेहो साथ मिललन्हि.

आम लोक के सेहो कहनाय छलन्हि जे हम सभ एहि एसडीओ सं तंग आबि गेल छी. ई अपना सामने ककरो किछ समझबे नहि करय छथिन्ह. लोक सभ सेहो अपन गुस्सा के इजहार करैत मार्च मे शामिल भेलखिन्ह.
दरभंगा के पत्रकारक प्रदर्शन
विरोध मार्च केर बाद राज्यपाल... मुख्यमंत्री के नाम सं ज्ञापन सौंपल गेल. एकरा संग डीएम... एसएसपी... गृह सचिव सं सेहो शिकायत कएल गेल. हिनकर सभक मांग छलन्हि जे एसडीओ के तत्काल हटाएल जाए आओर कार्रवाई कएल जाए.

एहिठाम इहो फैसला कएल गेल जे जखन धरि एसडीओ के खिलाफ कोई कार्रवाई नहि कएल जाएत संजय कुमार सिंह आओर तालिबानी प्रशासन के खिलाफ आंदोलन जारी राखल जाएत. प्रशासन के खबर के बॉयकॉट कएल जाएत.

काला दिवस के विरोध मार्च के नेतृत्व करलखिन्ह सहारा समय के दरभंगा रिपोर्टर अजय मोहन प्रसाद जी. मार्च मे शामिल होए वाला दोसर पत्रकार मे आजतक के प्रह्लाद कुमार गुप्ता किलूजी... हिंदुस्तान के मदन चौधरी जी... स्टार न्यूज़ के सुभाष शर्मा जी... ईटीवी न्यूज़ के विजय कुमार श्रीवास्तव जी... मौर्या टीवी के रितेश कुमार सिन्हा जी... इंडिया न्यूज़ के शशि मोहन भारद्वाज जी... आर्यन टीवी के चंद्रकांत यादव जी... महुआ न्यूज़ के वरुण कुमार सिंह जी... देश लाइव के अमित कुमार जी... राष्ट्रीय सहारा के नवीन चौधरी जी... विनय कुमार जी... प्रातः कमाल के देवेन्द्र ठाकुर जी...आओर पंजाब केसरी के मुकेश कुमार श्रीवास्तव जी शामिल छथिन्ह.
विरोध मार्च करैत दरभंगाक पत्रकार
ई मामला आब दरभंगा सं दिल्ली पहुंचि गेल अछि. दिल्ली के पत्रकार सभ सेहो एसडीओ के एहि करतूत सं आहत छथिन्ह. ओ सभ एहि पर विरोध जता रहल छथिन्ह. जल्दीए दिल्ली मे सेहो विरोध सभा कएल जाएत.

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश जीके सेहो नहि भूलबाक चाही जे आई जे ओ दोसर बेर कुर्सी पर बैसला ओहि मे सभ सं पैघ योगदान पत्रकार के अछि. पत्रकार सभ के हुनका पक्ष मे चलाएल गेल अभियान के कारण ओ फेर सं जीतलाह.

अगर एहने रहत ... अफसर... अधिकारी अंग्रेज जकां बर्ताव करत त फेर हिनको हाल लालू जी जकां भ जाए त एहि मे कोनो अचरज नहि. नीतीश जी अखनो देर नहि भेल अछि. एहन अधिकारी के सबक सीखाउ. नहि त लोक अहां के सीखा देत.
समाहरणालय मे विरोध जताबैत पत्रकार

Share/Save/Bookmark
हमर ईमेल:-hellomithilaa@gmail.com


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु