अपन गाम-घरक समाचार... कविता... कहानी... सुझाव... विचार... राय... कमेंट एहि पता पर भेजु : - hellomithilaa@gmail.com

नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

शरद पवार: विफल कृषि मंत्री ?

देश के कृषि मंत्री छथि मराठा क्षत्रप शरद पवार.  एकरे संग ओ दुनिया के सभसं पाय वाला क्रिकेट बोर्ड बीसीसीआई के अध्यक्ष सेहो छथिन्ह. कई बेर त लागए अ क्रिकेट मे एतेक बिजी भs जाए छथिन्ह कि अपन मंत्रालय पर ध्यान नहि द पाबय छथिन्ह.  आब देखिओ हिनका कृषि मंत्री रहैत देश मे गेहूं के कमी भेल...  दोसर देश सं गेहूं मंगाएल गेल.  विदेश सं ललका... सड़ल गेहूं आएल... देश के करोड़ो रुपया एहि मे बर्बाद भेल.  फेर दलहन के कमी भेल.  दाम आसमान पर चढ़ि गेल.  एहन भेल जे अरहर... राहर के दालि सय रुपया पर पहुंचि गेल.  दिल्ली मे शीला दीक्षित सरकार के दालि बेचय पड़ि रहल छनि.  आओर आब खबर आबि रहल अछि जे एहि बेर दिवाली मे चीनी के कमी सेहो पड़ि सकैत अछि.  त  दीपावली...  छठ मे बिना चीनी के काज चलाबय के लेल तैयार रहुं.
आब अहां एकरा कि कहबय ?  मुद्रास्फीति के दर दिन पर दिन नीचा जा रहल अछि मुदा बाजार मे ओकर कोनो असर दिखा नहि रहल अछि.  ई कोन सिस्टम अछि जे मुद्रास्फीति के दर... महंगाई दर के नीचा रहला पर सेहो खाए-पिबय के सामान के दाम ऊपर भागल जा रहल अछि ? आब अहिं सभ बताउ जे कि पवार जी अपन काज नीक सं नहि संभारि रहल छथि कि ?  कि ओ कृषि मंत्री के रूप मे विफल रहलाह ?  कि बात छै जे हुनका कार्यकाल मे हर साल कोनो नहि कोनो चीज के दाम आसमान पर पहुंचि जाएत अछि आओर ओकर भरपाई करय लेल विदेश सं बेसि दाम पर ओ चीज मंगाएल जाएत अछि?  कहिओ गेहूं ... त कहिओ दालि...  त कहिओ चीनी.  एना कहिआ तक चलत?  आम लोक एहन महंगाई सं कहिआ धरि हुक-हुक करैत रहत ?  एकर सभ के पाछा कि कारण अछि?  अपन विचार जरूर लिखब.

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

बागमती...कमला मे उफान...

बागमती आओर कमला बलान मे उफान सं इलाका मे बाढ़िक खतरा मंडराए लागल अछि.  बागमती आओर कमला बलान मे पानि बढ़ला सं दरभंगा आओर सीतामढ़ी जिला के कई इलाका मे पानि घुसि गेल अछि. सिंघवाड़ा आओर कुशेश्वरस्थान के कई इलाका मे पानि भरि गेल अछि. लोक के काफी परेशानी के सामना करय पड़ि रहल अछि.  मुदा लोक सभ के कोनो खास मदद नहि मिलि पाबि रहल अछि.  लोक सभ के सामने खाए-पिबय के समस्या ठाड़ भ गेल छै.  कई ठाम तटबंध पर सेहो दबाव बढ़ि गेल अछि.  मुदा प्रशासन के कहनाय अछि जे फिलहाल खतरा के कोनो गप नहि अछि.  कई ठाम त लोक चारु कात पानि सं घिरि गेल छथिन्ह.  कमाए वाला लोक सभ त पहिनहि दिल्ली... पंजाब... हरियाणा दिस चलि गेल छथिन्ह... जे गाम घर पर छथिन्ह हुनका भारी कष्ट भ रहल छनि.

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

किछ जॉब...

एहिठाम किछ जॉब आओर इंटर्नशिप के बारे मे जानकारी अछि. उम्मीद अछि अहां सभ के काज आएत. अगर अहां के लाएक आ अछि त जतेक जल्दी होए सम्पर्क कs लिअ. ई सभ मेल सं मिलल अछि ताही लेल अहां जॉब के बारे मे देल गेल पता... फोन नम्बर सं पूरा जानकारी लs लेबाक कष्ट करब.

Technical Writer / Proof Readers
Experience : 2 years, In-depth working knowledge of MS* Windows / MS* Office / Linux / Open Office
Location: Bangalore, Chennai, Delhi/NCR, Hyderabad / Secunderabad , Mumbai
Contact Person : Rupinder Kaur
Phone 09350851177
Send your resume to : rupinder.kaur@educomp.com
Url : http://www.educomp.com
 Copy Editor / Senior Copy Editor / Visualiser / Senior Visualiser
Experience: 1-4 years
Location: Noida
Contact Person : Nidhi Jaiswal
Email Your Resume to : nidhi.jaiswal@mindworksglobal.com
Mindworks Global Media Services
Phone:0120-4221814

Associate Creative Director / Creative Supervisor
Experience- 7 to 8 years
Contact Details: Shivani Suri
Email : Shivani.suri@ripplesindia.co.in
Phone : 0120-4538812, 4538811
 Internship
If anyone interested in doing internship in Directorate of Information and publicity (the Media and PR department) of Delhi govt. Please Contact: varun.vagish@gmail.com
Have a look at the website to get an overview of this organization.
http://publicity.delhigovt.nic.in/public/eng/default.aspx


Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

हर जिला मे महिला थाना

बिहार के हर जिला मे आब एकटा महिला थाना खोलल जाएत. एकरे संग आम थाना मे सेहो महिला अधिकारी नियुक्त करय के फैसला कएल गेल अछि. महिला के खिलाफ होए वाला उत्पीड़न... शोषण के मामला मे कमी लाबय लेल राज्य महिला आयोग के तरफ सं सरकार के पास एहि बारे मे एकटा प्रस्ताव आएल छल. सरकार ओहि प्रस्ताव के स्वीकार करि लेलक अछि.
आब महिला उत्पीड़न सं जुड़ल मामला के महिला अधिकारी देखतीह. महिला थाना मे सभ स्टॉफ महिला होतीह. अखन सिर्फ पटना मे महिला थाना अछि. ओना त राज्य के हर जिला मे महिला थाना खोलल जाएत मुदा सभ सं पहिने दरभंगा... मुजफ्फरपुर... भागलपुर आओर गया मे खोलल जाएत. सरकार के ई नीक कदम अछि. कई बेर त धाक... लिहाज के कारण... लाजे महिला सभ दरोगा... थानेदार के पास रिपोर्ट लिखाबय नहि जा पाबय छथीन्ह. आब महिला सभ थाना मे रहतीह त ओ अपन परेशानी... दुख खुलि कs बतिआ पएतीह.

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

राज्यसभा मे जएताह जॉर्ज फर्नांडिस

जॉर्ज फर्नांडिस राज्यसभा के लेल अपन नामांकन करि देलाह. जेडीयू के समर्थन के कारण हुनका राज्यसभा मे जनाए तय मानल जा रहल अछि. पिछला लोकसभा चुनाव के दौरान फर्नांडिस जी आओर जेडीयू के बीच दूरी आबि गेल छल. फर्नांडिस जी तखन मुजफ्फरपुर सं निर्दलीय चुनाव लड़लाह. मुदा हारि गेलाह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे समाजवादी राज्यसभा मे नहि लोकसभा के लेल चुनल जाएत अछि. मुदा नीतीश जी के मनएला के कारण ओ राज्यसभा मे जाए लेल तैयार भ गेलाह. राज्यसभा के ई सीट शरद यादव जी के कारण खाली भेल अछि. शरदजी लोकसभा के सांसद बनि गेलाह अ.
Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

कि भs पाएत अंग्रेजी अनिवार्य ?

बिहार विद्यालय परीक्षा समिति... बोर्ड के परीक्षा मे आब अंग्रेजी अनिवार्य होएत. फैसला ल लेल गेल अछि. लागू कहिआ सं होएत एहि पर किछ नहि कहल जा सकैत अछि. ओना कोशिश भs रहल अछि जे अगिला साल सं एकरा लागू करि देल जाए. मुदा बिहार मे जे पढ़ाई के हाल अछि ओकरा देखैत एहि पर संदेह लगैत अछि जे ई अगिला साल सं लागू भ पाएत. बिहार बोर्ड मे अखन अंग्रेजी कंपल्सरी नहि अछि. अंग्रेजी मे फेल करला पर परीक्षा रिजल्ट पर कोनो असर नहि पड़ैत अछि.
एहि कदम के जतय किछ लोक समर्थन करि रहल छथिन्ह ओतय किछ लोक कंपल्सरी करय के खिलाफ छथिन्ह. बिहार मे अगर अंग्रेजी अनिवार्य करि देल जाएत अछि त सभ स बड़का दिक्कत पढ़ाई के भs जाएत. जखन परीक्षा पास करनाय अनिवार्य भ जाएत त विद्यार्थी के जोर अंग्रेजी पर सेहो रहत. मुदा अखन बिहार मे अंग्रेजी पढ़ाबय लाएक ढंग के टीचर नहि छथिन्ह. एहि बातक खुलासा 12 जिला मे कराएल गेल सर्वे मे सेहो भेल अछि. सर्वे मे ई पाएल गेल जे अंग्रेजी विषय के पढ़ाबय वाला शिक्षक खुद अंग्रेजी नहि बोलि पाबय छथिन्ह. कइटा स्कूल एहन अछि जतय दोसर विषय के गुरुजी अंग्रेजी के क्लॉस सेहो लय छथिन्ह. 
 बोर्ड करला के बाद आगां के पढ़ाई-लिखाई के लेल छात्र के बिहार सं बाहर जाए पड़य छनि. मुदा अंग्रेजी माध्यम सं पढ़ाई नहि करला के कारण हुनका दिक्कत के सामना करय पड़य छनि. बिहार के विद्यार्थी मैथ...साइंस मे नीक नंबर लाबय छथिन्ह मुदा अंग्रेजी मे पिछड़ि जाए छथिन्ह. ई बात बिहार सं बाहर बंगलौर... दिल्ली... पुणे आओर दोसर ठाम जाs क पढ़य वाला विद्यार्थी सभ नीक सं जानैत छथिन्ह. कोनो नौकरी के बात होए तखनो अंग्रेजी वाला हिंदी वाला पर भारी पड़ैत अछि. आई-काल्हि सभ किछ कंप्यूटर सं होएत अछि आओर किछिए ठाम काज हिंदी सं होएत अछि. सभ काज अंग्रेजीए माध्यम सं होएत अछि. ताहि लेल जतेक जल्दी सं अंग्रेजी सीख लेल जाए नीक रहत.
ओना सरकार के कहनाय अछि जे बदलैत वक्त के अनुसार लोक के लेल अंग्रेजी जरूरी अछि. आजुक युग मे जतय पूरा दुनिया एकटा गाम-घर जकां भ गेल अछि. एक दोसरा सं सम्पर्क मे बनल रहल लेल...एक दोसरा के जानय-बुझय लेल दुनिया भर मे एकमात्र सम्पर्क भाषा अंग्रेजी अछि. आब देखु कि होएत अछि. अहां सभ के कि लगैत अछि. अंग्रेजी अनिवार्य होबाक चाही आ नहि ? आ पहिने के तरह सिर्फ पढ़ाई होए कंपल्सरी नहि होए ? अपन विचार लिखब.

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

अहां सभ के सादर आभार...

अहां सभ के ई जानि खुशी होएत जे अहांक सभ सं लोकप्रिय मैथिली ब्लॉग हेलो मिथिला रैंकिंग मे कइटा टॉप हिंदी आ अंग्रेजी के ब्लॉग सं आगां अछि. ई सभ अहां सभक प्यार... प्रेम... आशीर्वाद... अपनापन के कारण अछि.  मुदा अहांक हेलो मिथिला आगां सेहो नीक सं आगां बढ़ैत रहय... तकरा लेल अहां सभ अपन अनमोल राय... सुझाव... विचार सेहो राखल करिऔ.  अहां सभ सेहो एहि मंच... दलान पर लिखल करु.  एकर लोकप्रियता के फायदा उठाउ.  अपन मिथिलाक गाम-घर के... सुख-दुख के गप एक दोसरा के संग बांटय के कोशिश करु.  अपन इलाका के विकास के गप सं दोसर लोक के सेहो अवगत कराबिऔ.  गाम-घर के कोनो नेना-धिया-पुता नीक काज करैत अछि.  कोनो प्रतियोगिता मे नीक स्थान पाबैत अछि.  गाम -घर के नाम ऊंच करैत अछि.  ओकरा सभ लोक के संग साझा करु.  एक -दोसरा के बताबिऔ... एक दोसरा सं बतिआउ.  गाम-घर मे किछ भ रहल अछि हमरा बताउ हम ओकरा जरूर एहि मंच पर राखब.  कोनो समस्या होए... परेशानी होए.  एहि ठाम राखु...  भ सकैत अछि ओ हमरा सं दूर नहि होएत ... मुदा हेलो मिथिला के पढ़य वाला जे हजारों मैथिल भाई- बहिन लोकनि छथिन्ह.  ओ जरूर दूर करताह.  सभ मिलि जुलि के कोशिश करताह.  एतबा नहि कोनो कविता... कहानी... लोककथा अछि... फकरा अछि... दु लाइन लिखि कs भेज दिअ. हमर ई-मेल अछि hellomithilaa@gmail.com बस याद राखब जे  hello mithilaa के आखिर मे डबल ए अछि.  त देर कोन बात के अखने लिखनाय शुरू करु आओर भेज दिअ अपन कोनो रचना.  हेलो मिथिला खुलय मे कोनो दिक्कत हुए त मोजिला फायरफॉक्स मे खोलय के कोशिश करु आ फेर google... Yahoo... Raftaar  या  Bing search  मे हेलो मिथिला सर्च करु.  ब्लॉग के लिंक मिलि जाएत फेर ब्लॉग पर चलि जाउ.  त अहां सभ के एक बेर फेर सं प्रणाम... आभार आओर धन्यवाद.


Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

फिल्म मे काज...

ईमेल सं मिलल एकटा मैसेज सं पता चलल जे फिल्मकार करण जौहर के एकटा फिल्म के लेल किछ लोक के जरूरत छनि.  अगर अहां सभ फिल्म लाइन मे जाए सं रुचि राखय छी... अभिनय क्षेत्र सं जुड़डल छी... त अहां सभ के लेल ई नीक मौका अछि.  नीचा देल गेल फोन पर सम्पर्क कs पूरा जानकारी ल लिअ.
Dharma Productions ( Karan Johar Films )
Requirement: Gilrs & Boys 20-55 age bracket.
Also looking out for kids girls: 11 to 13 and boys 8 to 10.
mail in your pics asap auditions on this Sunday.
For details call on 9702108791, 9833142445
                            email: bhattarneha@gmail.com

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

आईसीआईसीआई मे नहि जमा होएत सरकारी पैसा...

बिहार सरकार आब आईसीआईसीआई बैंक मे अपन पाई नहि राखत.  बिहार के उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी के कहनाय छनि जे आईसीआईसीआई जरूरतमंद लोक के ऋण...  कर्ज नहि दैत अछि. मोदीजी के पास वित्त मंत्रालय सेहो छनि.  हुनकर कहनाय छनि जे निजी बैंक आम आदमी के लोन दय मे आनाकानी करैत अछि... कोताही बरतैत अछि.  एहि लेल अधिकारी सभ के निर्देश देल गेल अछि जे एहि बैंक मे सरकारी पाई नहि राखल जाए.  ICICI बैंक के बिहार मे अखन 16 टा शाखा अछि आओर 17 टा आओर खोलय चाहैत अछि.  मुदा पिछला वित्तीय वर्ष मे ई शैक्षिक आओर उद्योग सं जुड़ल एको पाई के लोन नहि देलक.  सुशील जीक कहनाय छनि जे एहि बैंक मे जतेक पाई जमा अछि...  आओर एकरा जतेक लोन देबाक चाही छल ओहि सं काफी कम लोन बांटलक.  एकरा स्वीकार नहि कएल जा सकैत अछि.  बैंक के तरफ सं सिर्फ 168 किसान के किसान क्रेडिट कार्ड देल गेल अछि.  खबर त इहो अछि जे बैंक बिहार मे आम लोक के क्रेडिट कार्ड जारी नहि करि रहल अछि.


Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

आनंद शंकर नवका डीजीपी...

आनंद शंकर होताह बिहार के नवका पुलिस महानिदेशक...डीजीपी. आनंद शंकर सीनियर आईपीएस अधिकारी छथिन्ह आओर अखन नागरिक सुरक्षा के महानिदेशक पद पर छथिन्ह. ओ डी एन गौतम जी के स्थान पर पुलिस प्रमुख बनताह. गौतमजी 31 जुलाई के रिटायर भs रहल छथिन्ह.
एकटा आओर खबर ई अछि जे अनूप मुखर्जी बिहार के नवका मुख्य सचिव होताह. ओ 2 अगस्त के आरजेएम पिल्लई के स्थान पर मुख्य सचिव बनथिन्ह. मुखर्जी जी अखन विकास आयुक्त छथिन्ह.खबर त इहो अछि जे पिल्लई जी बिहार लोक सभा आयोग... बीपीएससी के अध्यक्ष बनि सकय छथि.
Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

कतहुं पानि... कतहुं सूखा...

नेपाल मे भs रहल मूसलाधार पानि सं कोसी के जलस्तर बढ़ि गेल अछि. लोक के कहनाय अछि जे एतेक पानि त पिछला साल तखनो नहि छल... जखन बाढ़ि आएल छल. नदी के जलस्तर के बढ़ैत देखि सरकार कोसी क्षेत्र के सभ अधिकारी आओर प्रशासन के सतर्क करि देलक अछि.  इंजीनियर सभ सं सेहो चौबीसों घंटा निगरानी करय के लेल कहि देल गेल अछि.  बाढ़िक खतरा देखैत लोक सभ सेहो एहि बेर किछ बेसिए सतर्कता बरति रहल छथि.  लोक सभ आपात स्थिति के लेल राशन-पानिक जोगाड़ करय मे लागि गेल छथिन्ह.  सावन के एहि मास मे बाबा भोलेनाथ के सेहो पूजा-पाठ करि रहल छथिन्ह.   भगवान सं प्रार्थना करि रहल छथिन्ह जे पिछला साल जकां तबाही  एहि साल नहि  दिखबिअह  हे  भोलेनाथ.
मुदा अहां एकरा कि कहबय जे जतय एकटा इलाका पर बाढ़ि के संकट अछि ओतय मिथिला... बिहार के एकटा बड़का इलाका सूखा के चपेट मे अछि.  खेत मे दरार फाटि रहल अछि.  फसल जरि रहल अछि.  लोक के सामने खाए-पिबय के संकट उत्पन्न भ रहल अछि.  पानि नहि भेल त खेती केना होएत आओर जीवन केना कटत.  सिंचाई के लेल सरकार के तरफ सं ग्रामीण इलाका मे बिजली देबय के बात कहल गेल अछि.  मुदा अखनो कतेक एहन गाम अछि जतय बिजली के पोल तक नहि गड़ल अछि.
हमर गाम मे करीब 35- 40 साल पहिने बिजली आएल छल.  मुदा ओकर बाद आस- पास के गाम मे अखन धरि पोल तक नहि लागल अछि.  गाम मे ब्लॉक... अंचल कार्यालय...  थाना...  अस्पताल...  बैंक...  टेलीफोन एक्सचेंज...  पोस्ट ऑफिस सभ अछि.  मुदा एक किलोमीटर भीतर के दोसर गाम सभ मे अखन धरि बिजली नहि पहुंचल अछि.  आजादी के एतेक वर्ष बाद एकरा कोन विकास कहबय?


Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

किछ जॉब...

Copywriter
Location: Delhi
Experience: 3 -4 years
Contact: - Sarita Choudhary,
0120-4538811
send your Resume to: sarita.choudhary@ripplesindia.co.in
Copywriter
AYAYA Communications
send your Resume to: careers@avyaya.in
 Copywriter
Location Bangalore
Experience 1-2 years
Paradigm Plus Marketing Communications Pvt. Ltd..
send your Resume to: bangalore@paradigmplus.in
Ad sales manager
Location: Andheri west, Mumbai
Experience : 3+ year
Contact: 022 26773469
Contact Person: Anita Varma
Digital Driftwood Pvt. Ltd..
DDW, 3rd Floor, MainaGul bldg, Ceasar Road, Amboli, Andheri west, Mumbai -58
www.digitalriftwood.com
Accountant / Media Operations / Finishing Artist / Web Designer / Visualiser / Client Servicing / Copywriters
Location: Mumbai
Contact Person: Meenal / Seema
Touchstone Events & Advertising Pvt. Ltd.
1 Manoj, We-ten Cooperative Society, CST road, Kalina, Santa Cruz(E)
Contact: 26651564 / 26651565 / 9833247020
www.touchstone.co.in
English Copywriter
Location: Pune
Experience :1-3 years
Contact Person: Preeti Moqtik
Pratisaad Communications Pvt Ltd, Pune.
Tupe Residency, Thube Park, Near Sancheti Hospital, Shivaji Nagar,
Pune 411005.
Contact: 020-25535216, 25539869, 25510326
www.pratisaad.com

Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

एक अगस्त सं इज्जत सेवा...

उम्मीद अछि जे एक अगस्त सं इज्जत सेवा शुरू भs जाएत. एहि इज्जत सेवा के घोषणा रेलमंत्री ममता बनर्जी के रेल बजट मे भेल छल. एक तारीख सं ई शुरू भs जाए एकरा लेल जोर-शोर सं तैयारी चलि रहल अछि. इज्जत सेवा मे एक सय किलोमीटर तक आबय-जाए लेल 25 रुपया के पास मिलत. ई पास गरीबी रेखा सं नीचा रहय वाला ओहन लोक के मिलत जिनकर मासिक आमदनी डेढ़ हजार सं बेसि नहि छनि. गरीब-गुरबा के लेल शुरू भेल एहि सेवा के मकसद अछि काम-काज के लेल डेली शहर अप-डाउन करय वाला लोक के 25 रुपया मे मासिक सीजन टिकट देनाए. एहि सेवा सं दिल्ली... मुम्बई... कोलकाता... पटना जैसन बड़का शहर मे दूर-दराज सं डेली काज करय आबय वाला लोक सभ के फायदा होएतन्हि. अपन मिथिला मे सेहो सैकड़ो लोक रोज मुजफ्फरपुर... समस्तीपुर... दरभंगा... बरौनी... अप-डाउन करय छथि. हुनका सभ के आब मात्र पचीस रुपया मे मास धरिके लेल पास मिल जएतन्हि. लोक के लेल ई नीक कदम अछि. एकरा फायदा समाज के एकटा बड़का तबका के मिलत. आओर पहिने कहिओ काल किछ लोक जे बेटिकट चलि जाए छलाह आब पास ल क बेधड़क जएताह. त एहि बात के अहां सभ सेहो अपन गाम-घर के लोक सभ के बता दिऔन्हि जेहि सं ओ पास बनबाबय मे जुटि जएताह.
Share/Save/Bookmark

हमर ईमेल:- hellomithilaa@gmail.com

सूरत छोड़ो यूपी-बिहारी...

आई राष्ट्रपिता गांधीजी बड़ याद आबि रहल छथि. हुनकर एतेक कमी कहिओ नहि खलल छल. बापू अहां के देश के ई कि भs गेल अछि ? कि देश एहिना विकास के रास्ता पर जाएत ? मिडिल स्कूल मे पढ़ने छलहुं जे हम सभ भारत गणराज्य के निवासी छी. देश मे कतहुं आबि-जाए- बसि सकय छी. एक दोसरा संग रहि सकय छी. सभ देशवासी एक छी. मुदा हाई स्कूल मे गेलहुं त पता चलल जे जम्मू-कश्मीर मे अहां बसि नहि सकय छी. अपन देश के किछ खास दोसर इलाका मे जाए के लेल अहां के सरकार के बताबए पड़त. आओर जखन कॉलेज के पढ़ि कs बाहर अएलहुं त पता चलल जे असम नहि जाs… जम्मू-कश्मीर नहि जाs… महाराष्ट्र नहि जाs... कर्नाटक नहि जाs... गुजरात नहि जाs… एहि ठाम के लोक बिहारी के विदेशी बुझैत अछि. आन जकां बर्ताव करैत अछि. मारैत-पीटैत अछि. कि केंद्र के कांग्रेस सरकार गांधीजी के एहि सपना के साकार करय मे लागल अछि ?

पहिने लोक कमाए लेल बंगाल... असम जाए छलाह. असम मे हिंसा के बाद पंजाब... हरियाणा... मुम्बई आओर दिल्ली के रूख कएलाह. मुदा असम मे दोसर राज्य वाला के जे भगाबय के रोग रहै ओ मुम्बई... दिल्ली वाला के सेहो लागि गेल. सरकार के ढुलमुल रवैया... लचीलापन... वोट... तुष्टिकरण के राजनीति के कारण देशक एकता पर असर पड़ल. सिर्फ शहर के विकास पर ध्यान देय वाला सरकार के कारण गाम सं लोक के पलायन होए लागल. मुदा शहर मे कमाए के लेल गेल बिहारी लोक के मारय-पीटय जाए लागल. बिहारी... भैया कहि कs बुलाएल जाए लागल. पूरा देश के अपन घर- आंगन मानय वाला बिहारी लोक के अपमान कएल जाए लागल. कहल गेल अपना घर जाs.

बिहारी कहिओ राज ठाकरे के महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के निशाना बनल त कहिओ कर्नाटक मे स्थानीय छात्र सभ के. कहिओ दिल्ली के दुर्दशा के लेल शीला दीक्षित बिहारी के जिम्मेदार ठहरयलीह त कहिओ केंद्र सरकार एकोटा मंत्री नहि बना बिहार के ठेंगा देखएलक... त कहिओ पुणे मे इंटरव्यू मे बिहारी छात्र सं पूछल गेल कि देश के क्राइम कैपिटल कोन अछि ? आब नंबर आएल अछि गुजरात के शहर सूरत के.
सूरत के महानगर पालिका कमिश्नर एस अपर्णा के साफ कहनाय छनि यूपी –बिहार वालो गुजरात छोड़ो. सूरत दुनिया भर मे डायमंड सिटी के नाम सं जानल जाएत अछि. सूरत मे बिहार-यूपी के हजारों लोक डायमंड आओर कपड़ा उद्योग मे काज कs रहल छथिन्ह. राज्य के राजस्व आओर विकास मे अपन योगदान द रहल छथिन्ह. मुदा जखन सूरत मे आएल बाढ़ि सं प्रभावित एहन इलाका जतय कोनो बुनियादी सुविधा नहि अछि. लोक बाढ़ि सं परेशान छलाह. खाए-पिबए के आफत छल. एहन मे कोनो सांत्वना देबय... धीरज देबय के जगह... दुख पर मरहम लगाबय के जगह कमिश्नर साहिबा लिंबायत मोहल्ला के लोक के उल्टे डांटय लगलीह. कमिश्नर साहिबा के कहनाय छलन्हि जे सुविधा चाही त बिहार जा. एहि ठाम कोनो सुविधा… मदद नहि मिलतह. तों सभ गुजरात मे आबि कs घिनौने छ.
परेशानी... मुसीबत... कष्ट सुनय के बजाए घर लौटय के नसीहत... एकरा अहां कि कहबय ? देश के जिम्मेदार लोक सं अहां एहन बयान के उम्मीद कs सकय छी ? कि बिहार देश मे नहि अछि ? असम मे बिहारी के मारय वाला... कर्नाटक मे छात्र सभ के मारय वाला ... महाराष्ट्र मे बिहारी के दौड़-दौड़ा कs पीटय वाला के खिलाफ अखन धरि कोनो कार्रवाई भेल अ जे आगां किछ होएत ? मुदा ई बिहार- बिहारी के लेल कोनो पहिल घटना थोड़े अछि ? दू- चारि दिन बाद इहो मामला ठंडा जाएत. छै कि नहि ?

Share/Save/Bookmark


किछ जॉब...

मेल पर मिलल किछ जॉबक जानकारी अहां सभ के लेल राखि रहल छी . उम्मीद अछि काज आएत. अगर अहांक काज के अछि त देर नहि करु. तुरंत अपन Resume भेज दिअ आओर सम्पर्क करय के कोशिश करु.

Public Relation
Renaissance public Relations is planning to hire some freshers who want to fly high in the field of PR. If one is interested, please either mail your CV or call to Mr. Reetesh Mishra on 9999658175. His mail id is reeteshmishra@gmail.com.

Internship
If anyone here is interested in doing internship in Times Internet
Ltd, the online arm of the Times Group, please contact Neeraj Saxena . Those keen
on learning and contributing to timesofindia.com's technology section
and /or economictimes.com for two months may kindly mail their CV to
- neeraj.saxena at gmail.com. You can have a look at the respective websites at
http://infotech.indiatimes.com and www.economictimes.com.
Email - neeraj.saxena@gmail.com

Assistant Hr Manager Corporate Communications
Educational Qualification: Graduates in any stream
Experience: 2 to 4 years of relevant Experience
Location: Noida
Salary: 4 to 4.5 lakh per annum
Only Males Can Apply
Job Description:
Email your Updated Resume at supriti.m@universalhunt.com mentioning your current CTC
Contact Person : Supriti Makhani
www.universalhunt.com
079-40211535, 9328191491

Internship
Deccan Chronicle and The Asian Age is looking for an intern pref girl
as soon as possible. Contact at the below address:
Nalini Menon
S 7&8, Green Park
Main Market,
                                              New Delhi                  
                                            M: 09212683640


Copywriter
Location Bangalore
Experience 1-2 years as a copywriter in an ad agency
Paradigm Plus Marketing Communications Pvt. Ltd..
bangalore@paradigmplus.in
        
 English Copywriter
Location : Pune
Experience: 1-3 years in reputed ad agency
         Address: Pratisaad Communications Pvt Ltd,
          Tupe Residency, Thube Park, Near Sancheti Hospital, Shivaji Nagar,
Pune 411005.
Contact: 02025535216, 25539869, 25510326
Contact Person Preeti Moqtik
       
        Visualizers
Location Delhi
Experience: 2 years
·         Black Coffee Communications.
jobs@blackcoffeecommunications.in
Share/Save/Bookmark


शर्म करु बिहार... शर्म करु नीतीश जी...

बिहार के लोक के लेल ई शर्म के बात अछि. शर्म सं डूबि मरय के बात अछि. मुख्यमंत्री कतबो सुशासन... कानून-व्यवस्था के ढोल पिटथिन्ह. मुदा 23 तारीख.. गुरुवार के राजधानी पटना के खास इलाका एक्जीबिशन रोड पर जे भेल ओ दुनिया भर मे बिहार के नाक कटाबय लेल काफी अछि. शहर के बीचोंबीच अप्सरा सिनेमा के पास एकटा महिला के एक आदमी नंगा करैत रहल आओर लोक सभ या त धृतराष्ट्र जकां आंखि बंद कएने रहलाह. या टिकुर-टिकुर निहारैत रहलाह.
 
जोर-जबरदस्ती करैत आरोपी
पुलिस... प्रशासन सभ किछ भs गेलाह के बाद डंडा बजाबैत आएल... दू-तीनटा के पकड़लक... एकटा एएसआई के सस्पैंड करि देल गेल अछि. जांच के आदेश द देल गेल ... आओर खेल खत्म. कि सभ दिन एतबे होएत रहत? नीतीशजी कि अहांक कामयाबी बस चुनाव जीत गेलाह पर खत्म भ जाएत अछि ? अहांक कानून-व्यवस्था के पोल आब कोन चीज सं खुलत जे ठीक अहांक दफ्तर त किछुए दूर महिला के कपड़ा उतारि देल जाएत अछि आ अहांक पूरा प्रशासन... सरकारी अमला सुशासन के गुणगान करैत रहैत अछि. कहि अहुं चाटुकारिता के निशाना बनि असल मुद्दा सं भटकि त नहि रहल छी ?
 
तमाशबीन लोक
कहल त इहो जा रहल अछि जे ओहि महिला के नौकरी के झांसा द होटल मे बेचय लेल लाएल गेल रहय... मुदा ओ महिला पाई के लेन-देन के गप सुनि ओहि ठाम सं भागलीह. भागलीह त मुदा अप्सरा सिनेमा के पास पकड़ा गेलीह. आओर ओ आदमी राकेश सिंह महिला के पकड़ि कs ल जाए लागल. विरोध कएला पर कपड़ा फाड़ि देलक. नंगा करि देलक. 
 
आरोपी राकेश
सवाल उठैत अछि कि राजनीतिक... सामाजिक रूप सं जागरूक मानय जाए वाला बिहार के लोक के आत्मा एतेक मरि गेल अछि जे एहि के खिलाफ ककरो आवाज नहि उठल ? ... ओहि लड़की के बचाबय लेल कोई सामने नहि आएल ? ... ओ युवती मदद लेल चिल्लाएत रहल आओर लोक सभ भागैत रहला. बिहार के लोक एतेक नपुंसक कहिआ सं भ गेल ? कि ककरो पर्सनल मामला होएलो पर हम एकटा आदमी के सरेआम महिला के संग एहन बर्ताव करय के इजाजत द सकय छी ? सिर्फ एकटा आदमी दुर्योधन... दुशासन जकां ओहि महिला के चीरहरण करैत रहल आओर सभ लोक चुपचाप देखैत रहलाह. अर्जुन...भीम आओर धर्मराज युधिष्ठिर जकां अहां सभ के कोनो बंधन त नहि रहय... फेर कोन मजबूरी रहय जे अहां सभ तत्काल ओहि आदमी के पकड़ि पुलिस के हवाले नहि कएलहुं.
अगर आई अहां कोनो माय-बहिन... कोनो मजबूर... मजलूम महिला के खिलाफ होएत अत्याचार के खिलाफ आवाज नहि उठाएब त फेर कहिओ अहां जखन मुसीबत मे होएत अहांक मदद लेल... के आगां बढ़त ? जागु... नामर्द जकां नहि रहुं. समाज... इलाका मे... आस पास होए वाला अत्याचार... शोषण... जुल्म के खिलाफ आवाज उठाउ. मौत त एक दिन आबहिं के अछि. मुदा अपना नजर मे खुद मरि के जीs क कि करब. 
फोटो सौजन्य:हिन्दुस्तान
Share/Save/Bookmark


किछ जॉब...

दोस्त सभ सं जे किछ मेल आएल अछि ओहि मे जॉब के बारे मे सेहो जिक्र अछि. उम्मीद अछि जे एहि मे सं किछ अहांक काज आबि सकैत अछि.  कोनो दिक्कत होए त ओहि कंपनी के साइट पर जाsक पता कs सकय छी .
Position : Copywriter / Sr.Visualizer/Graphics Designer /. Web Designer
Deadline Advertising Pvt. Ltd.
Email to : deadline@vsnl.com
Position: Senior Creative Director
Location: Mumbai
Experience: 5 to 7 years
AMC Creative Communications.
Contact Person: Nivedita/ Tarun
Email : tarun@amcadvertising.co.in

Position: Art Director, Asstt Art Director, Sr. Visualizer, Visualizer.
Location : New Delhi
Experience 5 yrs
Devraha Communications Ltd..
011-23559303

Position: Copywriters/ Sr. Copywriters
Location :Gurgaon
Experience: 1-3 yrs abm communication pvt. ltd..
Contact Person: Pankaj Mathur
Tel: 0124 – 4522300

Position: Producer
Location: New Delhi
Duration: 1 Month, starts August 2009
More Info: http://www.riverbankstudios.com
Apply to: Subodh Kumar, C-18, Chirag Enclave, GK Part-1, New Delhi 110048

Position : graphic desginer / director / asst director
Employer: xebec films
Location: new delhi
Just mail your CVs to xebecfilms@gmail.com .

Position : Manager Post & amp; Production
Location: Cochin
Employer: Megamedia Films & Studios
Candidate should have minimum 5 years experience
send your CV to- Johnmega@eim.ae

                                   Position: Sound Recordist

Location: New Delhi
Contact Persons:
1.) Mrs. Anju K. Gulati
Mobile No: +91-9873410507
2.) Mr. Suhail Gulati
Mobile No: +91-9811861183
E-Mail Resume to: anjuvisuals@gmail.com

Position : Director for TVC
Location: Delhi/Mumbai
Apply to: Ms. A.Gupta,
Email to-: postpro_jobs@yahoo.co.in

Position : film marketing
Location: pitam pura
PL SEND YOUR CV to PAWAN MALHOTRA at pmalhotra0808@gmail.com
More Info: http://raginicreations.com
Apply to: pawan malhotra, cd Block, Aggarwal shopping complex , Pitampura Delhi-34

Position : FCP Editor
Location: New Delhi
Mail your CV's to careers@junglestudio.org
Add : Gitesh Kohli, 9/4, Sarvpriyavihar, Near Panchsheel, New Delhi, 110016

Position : Translators
Location: DELHI
Please email your résumé at -  naveen.s@wordsindia.com


Position  : Associate Creative Director / Creative Supervisor
Experience: 7 to 8 years
Contact Details: Shivani.suri@ripplesindia.co.in
0120-4538812, 4538811, 4538801, 4538806, 4538814.


Position : Media Operations / Finishing Artist / Web Designer / Visualiser / Client Servicing /
Copywriters
Touchstone Events & Advertising Pvt. Ltd.
www.touchstone.co.in
Address: 1 Manoj, We-ten Cooperative
Society, CST road, Kalina, Santa Cruz(E)
Contact: 26651564 / 26651565 / 9833247020
jobs@touchstone.co.in


Share/Save/Bookmark


आयकर रिटर्न के विज्ञापन मे गलत टॉल फ्री नंबर...

आई- काल्हि लोक सभ इनकम टैक्स रिटर्न भरय के प्रक्रिया मे लागल छथिन्ह.  सरकार... आयकर विभाग...  वित्त मंत्रालय के तरफ सं लोक के इनकम टैक्स भरय लेल प्रोत्साहित कएल जा रहल अछि.  बेसि सं बेसि लोक इनकम टैक्स भरैथि एकरा लेल जोर-शोर सं विज्ञापन अभियान टीवी-अखबार मे सेहो चलाएल जा रहल अछि. मुदा कि अहां के पता अछि जे इनकम टैक्स विभाग के तरफ सं जे विज्ञापन जारी करल गेल अछि ओहि मे गलत नम्बर देल गेल अछि. 

                                                      इनकम टैक्स रिटर्न भरय के अंतिम दिन अछि 31 जुलाई.  रिटर्न  31 जुलाई सं पहिले भरि देल जाए एकरा लेल लागल छलहुं.  ऑफिस मे सभ के विचार भेल जे एहि बेर टीआरपीएस के बुला लेल जाए.  किछ पाई लेत मुदा झंझट सं मुक्त रहब. इनकम टैक्स विभाग के तरफ सं  पेपर मे जारी विज्ञापन देखि टॉल फ्री नंबर  1800-11-23738 पर फोन लगाबय लगलहुं.  मुदा किया लागत.  एक बेर भेल...  दू बेर भेल...  परेशान भ गेलहुं.  थकि-हारि कs आयकर सम्पर्क केंद्र के नंबर पर सम्पर्क कएलहुं त पता लागल जे विज्ञापन मे जे नंबर देल जा रहल अछि ओ त गलत अछि.
                                                              इनकम टैक्स डिपॉर्टमेंट के विज्ञापन मे गलत नंबर.  ई सुनतहि चौंकि पड़लहुं.  एकरा अहां कि कहबय.   हमरा जकां त हजारों लोक परेशान भ गेल होताह.  जे लोक आयकर सम्पर्क केंद्र फोन क  नहिं पता कएने होएथिन्ह हुनका नवका नंबर के पता नहिं चलल होतन्हि.  आब एकरा कि कहबय... लोक के सुविधा के बदला ई त परेशान करय के बात भ गेल.

              आयकर विभाग के तरफ सं  देश  भर के करीब 80 शहर मे सय ठाम चारि हजार के करीब एहन लोक के तैयार कएल गेल अछि जे अहां के इनकम टैक्स रिटर्न भरय मे मदद करताह.  आयकर विभाग के ई योजना टीआरपीएस के नाम सं जानल जाएत अछि.  एहि मे अहां के कम सं कम 250 रुपया के न्यूनतम शुल्क पर विभाग के ट्रेंड आदमी अहां के रिटर्न भरय मे मदद करताह.  मुदा टीआरपीएस... Tax Returns Preparers के नंबर त लोक के परेशान करय वाला अछि.  त आब विज्ञापन मे देल गेल नंबर पर फोन नहि कर अहां सभ एहि नंबर पर फोन करु... 1-800-10-23738

ओना आब टीआरपीएस के साइट पर नंबर सही करि देल गेल अछि. त विज्ञापन के फेर मे नहि रहुं आओर नवका नंबर 1800-10-23738 पर फोन कs जानकारी लिअ.

Share/Save/Bookmark


कहिआ तक बेइज्जत होएत रहत भारत...

देश के लेल एहि सं बेसि शर्म के बात कि होएत जे पूर्व राष्ट्रपति राष्ट्रपति डॉ एपीजे अब्दुल कलाम के संग जे बदसलूकी कएल गेल छल... ओकरा नागरिक उड्डयन मंत्रालय तीन मास धरि दबौने रहल. एकर जानकारी मंत्रालय के घटना के एक दिन बादहिं द देल गेल छल...मुदा कोनो कार्रवाई नहि भेल. प्रफुल्ल पटेल जीक मंत्रालय तखन जागल जखन दिल्ली के अखबार मे एहि बारे मे खबर आएल.
खबर अएला के बाद देश भर मे एकर निंदा कएल गेल. लोक सभ खिसिया गेलाह जे आखिर भारत के संग ई सभ कहिआ तक होएत रहत. भारत के गोर देश वाला सभ कहिआ तक बेइज्जत करैत रहत. विदेश के बात त छोड़ु जखन देश मे ई सभ होएत रहत... त एहि पर कि कहल जाए.
बात अछि 21 अप्रैलक राति के... पूर्व राष्ट्रपति डॉ. कलाम कांटीनेंटल एयरलाइंस के विमान सं न्यूयॉर्क जाए छलाह. दिल्ली के इंदिरा गांधी अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा पर जखन कांटीनेंटल एयरलाइंस के अधिकारी पूर्व राष्ट्रपति के लाइन मे लगा सुरक्षा जांच के लेल जूता उतारय लेल कहलखिन्ह त हुनका संग मौजूद अधिकारी एकर विरोध कएलखिन्ह . बतएलखिन्ह जे हिनका सुरक्षा जांच सं छूट मिलल छनि. मुदा विदेशी एयरलाइंस अधिकारी एकरा अनसुना करैत डॉ कलाम के संग खराब बर्ताव कएलक. पूर्व राष्ट्रपति एहि पर अपन बड़प्पन देखाबैत कोनो शिकायत नहि कएलखिन्ह. ओना सुरक्षा अधिकारी के तरफ सं एहि घटना के रिपोर्ट ओहि दिन उड्डयन मंत्रालय के भेज देल गेल. मुदा मंत्रालय एकरा दाबने रहल. हल्ला भेलाह पर पटेलजी जगलाह आओर लोक के गुस्सा के देखैत कार्रवाई के बात कहलखिन्ह. लोक के नाराजगी के देखैत एयरलांइस के कारण बताओ नोटिस जारी कएल गेल.
संसद मे एहि मुद्दा पर काफी हंगामा भेल. बीजेपी नेता अरुण जेटली एकरा पूरा देश के अपमान बतएलखिन्ह . हुनकर कहनाय छलन्हि जे दोसर देश के नेता आबैत अछि त हम हवाईअड्डे पर हुनकर गर्मजोशी सं स्वागत करैत अछि. मुदा दोसर देश अपमान. समाजवादी पार्टी के प्रो. रामगोपाल यादव जीक कहनाय छलन्हि जे कंपनी के खिलाफ तत्काल कठोर कार्रवाई करबाक चाही जेहि सं आगां एहन घटना फेर नहि होए. आओर सुरक्षा जांच के लेल पूर्व राष्ट्रपति पर दबाव बनाबय वाला अधिकारी के तुरंत ओकर देश वापस भेज देबाक चाही.
कांग्रेस के जयंती नटराजन के कहनाय छलनि जे जखन धरि दोषी के सजा नहि मिलि जाएत अछि... कांटीनेंटल एयरलाइन के उड़ान रद्द करि देबाक चाही. भाजपा के सुषमा स्वराज के कहनाय छलनि जे अमेरिका से कोनो रिश्ता दोस्ती के स्तर पर होबाक चाही नहि कि दासता के स्तर पर. जेडीयू के शरद यादव आरोप लगएलखिन्ह दे सरकार राष्ट्रीय स्वाभिमान के कुचलि रहल अछि.
एतेक होएतहुं ओहि ढीठ कांटीनेंटल एयरलाइंस के नहि देखिऔ... ओकरा एहि पर कोनो पछतावा नहि... ओकर कहबाक छल जे ओ त अमेरिकी प्रोसीजर के पालन करि रहल छल. आओर एहि प्रक्रिया सं सभ यात्री के गुजरय पड़ैत अछि. ओना मामला के तूल पकड़ैत देखि एयरलाइन आब माफी मांगी लेलक अछि. मुदा कि सिर्फ माफी मांगला सं मामला शांत भ जाएत अछि.
ई पहिल बेर नहि अछि. एहि सं पहिनहुं जखन जार्ज फर्नाडिस रक्षा मंत्री छलखिन्ह... तखन अमेरिका मे जांच के नाम पर हुनकर कपड़ा उतारबा लेल गेल छल. एकटा केंद्रीय मंत्री के एहन बेइज्जती मुदा सरकार चुप्प रहल. सभ सं बड़का गप ई जे एहि बातक खुलासा भारत के कोनो अधिकारी नहि खुद अमेरिका के पूर्व उप-विदेश मंत्री स्ट्रोब टालबोट अपन किताब मे कएलखिन्ह ...तखन लोक के पता चलल.
पिछला साल सेहो मास्को हवाई अड्डा पर केंद्रीय मंत्री प्रणब मुखर्जी के जांच कएल गेल छलन्हि. मुदा ओहि टाइम अफसर सभ टोका-टोकी कएने छलखिन्ह. पूर्व लोकसभा स्पीकर सोमनाथ चटर्जी जीके त सुरक्षा जांच मे छूट नहि मिलला पर ऑस्ट्रेलिया आओर ब्रिटेन के अपन यात्रा रद्द करय पड़लन्हि.
इ सभ भारत के लचर रवैया के कारण अछि. भारत अपन कनि सख्त रुख अपनाबय त सभ ठिकान लगि जएताह. मुदा एहि के लेल मजबूत इच्छाशक्ति वाला नेतृत्व के जरूरत अछि... लिचर नेतृत्व के नहि. चाहे ओ विदेश मे भारतीय पर हमला होए आ वीआईपी के सुरक्षा जांच के... सरकार अगर गंभीर रहत त ककरो कि मजाल जे चूं-चां करत.

Share/Save/Bookmark


सूर्यग्रहण मे तारेगना बनल तीर्थस्थली...

बिहार के तारेगना एक बेर फेर दुनिया भर मे चर्चित भ गेल अछि. तारेगना मे दुनिया के मशहूर खगोलविद् आर्यभट्ट के वेधशाला छल. आर्यभट्ट एहिठामक अपन वेधशाला सं तारा के गिनैत छलखिन्ह. तारेगना पटना सं करीब 30 किलोमीटर दूर अछि. पटना सं गया जाए के रास्ता मे ई जहानाबाद सं पहिने पड़ैत अछि. तारेगना गेल छी मुदा तारेगना के एतेक महत्व अछि ओ एहि बेर पता चलल.
असल मे 22 जुलाई के सूर्यग्रहण अछि. आओर एहि बेर ई सभ सं बेसि देर 3 मिनट 38 सेकेंड तक तारेगना मे देखल लेल मिलत. सूर्यग्रहण के ल कs तारेगना मे अखने सं दुनिया भर के खगोलविद् जुटि गेल छथिन्ह. किछ वैज्ञानिक सभ सूर्य ग्रहण के दिन सेहो अएताह. नासा के किछ वैज्ञानिक के सेहो पहुंचय के खबर अछि. खबर त इहो अछि जे किछ खगोलविद् आसमान सं सूर्यग्रहण के देखथिन्ह.
उम्मीद अछि जे 22 तारीख के करीब 50 हजार सं बेसि लोक तारेगना मे जुटताह. बिहार सरकार के तरफ सं एहि के लेल काफी इंतजाम सेहो कएल गेल अछि. लोक सभ के एहि ठाम आबय-जाए लेल कोनो दिक्कत नहि होए एहि लेल परिवहन आओर पर्यटन विभाग के तरफ सं विशेष पैकेज बनाएल गेल अछि. तागेरना मे ओतेक लोक अएताह... एकरा देखैत प्रशासन के तरफ सं साफ- सफाई... सड़क... बिजली... पानी सभ पर विशेष ध्यान देल जा रहल अछि. लोक सभ के... देशी-विदेशी मेहमान सभ के कोनो दिक्कत नहि होए एहि लेल मुख्यमंत्री खुद सेहो तारेगना मे ग्रहण के समय रहताह. स्थानीय लोक सेहो देश-विदेश के लोक सभ के आबय सं खूब खुश छथिन्ह आओर दिल खोलि के स्वागत-सत्कार मे लागल छथिन्ह.
लोक सभ सूर्यग्रहण नीक सं देख सकथिन्ह आओर खगोलविद् सभ नीक सं अध्ययन करि सकथिन्ह... एहि लेल विशेष इंतजाम कएल गेल अछि. कई तरहक उपकरण... यंत्र सभ लगाएल गेल अछि. ओना त दुनिया भर के लोक एहिठाम पहुंच रहल छथिन्ह सूर्यग्रहण देखय लेल... मुदा ओ सभ देखय लेल अपना संग विशेष तरहक मशीन... उपकरण... यंत्र लाएल छथिन्ह. अहां सभ सेहो बिना कोनो यंत्र के... बिना विशेष चश्मा के नहि देखय के कोशिश करब. पूर्ण सूर्य ग्रहण के ओना देखला पर आंखि खराब भ सकैत अछि. पूरा सावधानी बरतय के जरूरत छै. तारेगना मे सरकार के तरफ सं 20...30 रूपया मे विशेष चश्मा उपलब्ध कराएल जा रहल अछि.
पटना तारामंडल मे सेहो विशेष व्यवस्था कएल गेल अछि. तारेगना के संग-संग पटना मे सेहो खगोलविद् के जमावड़ा लगि रहल छनि. एहिठाम के गांधी मैदान... श्रीकृष्ण साइंस सेंटर मे सेहो कई तरहक इंतजाम कएल गेल अछि. कइटा दूरबीन लगाएल गेल अछि. प्रोजेक्टर लगाएल गेल अछि. सूर्यग्रहण ओना सूर्य आओर पृथ्वी के बीच चंद्रमा के अएला सं होएत अछि...आओर आमतौर पर करीब डेढ़ साल मे एक बेर सूर्यग्रहण लगैत अछि.
Share/Save/Bookmark






सीतामढ़ी- बैरगनिया रेल लाइन...

सीतामढ़ी सं नरकटियागंज के बीच बड़ी लाइन बनय मे अखन टाइम लगत. दरभंगा- नरकटियागंज रेललाइन के बीच जखन दरभंगा सं सीतामढ़ी के बीच छोटी लाइन के बड़ी लाइन के बदलय के गप शुरू भेल रहय त लोक सभ अचरज भेल रहैनि. लोक सभ के तखनो कहनाय छलनि जे जखन पैसेंजर ओर दोसर सवारी गाड़ी दरभंगा आओर समस्तीपुर सं नरकटियागंज तक जाएत अछि त बड़ी लाइन सिर्फ सीतामढ़ी तक किएक भs रहल अछि. मुदा लोक सभ के यकीन रहैनि जे नरकटियागंज धरि सेहो जल्दीए बड़ी लाइन बनि जाएत. मुदा आब लागय अ एहि मे देर लागत. अखन लोक के दरभंगा सं बैरगनिया... रक्सौल...नरकटियागंज जाए के लेल सीतामढ़ी मे ट्रेन बदलय पड़य छनि. दू-चारि घंटा के रास्ता मे आब दिन भरि लगि जाएत अछि.
रेलवे के एकटा अफसर के कहनाय छनि जे नरकटियागंज धरि पूरा काज एके संग नहि होएत. शुरू मे अगिला साल मार्च धरि सीतामढ़ी सं बैरगनिया तक बड़ी लाइन बदलय के काज पूरा करय के कोशिश कएल जाएत. छोटी लाइन के बड़ी लाइन मे बदलय के काज अक्तूबर मे शुरू होए के उम्मीद अछि. काज शुरू होए पर सीतामढ़ी सं बैरगनिया के बीच रेल सेवा बंद करि देल जाएत. एहि ठाम के काज भेलाह पर साल 2011 तक रक्सौल के बीच काज पूरा करय के कोशिश कएल जाएत. आओर सभ सं अंत मे रक्सौल... नरकटियागंज के बीच के. रेलवे एहि इलाका के लोक के परेशान करय पर तुलल अछि. एकहि बेर मे पूरा काज नहि करा रहल अछि एहि सं यात्री सभ के काफी परेशानी के सामना करय पड़ि रहल छनि.

Digg!

Bookmark and Share

मिथिला मे पाकिस्तानी सेना के पिस्तौल...

मिथिला मे पाकिस्तानी सेना के पिस्टल... बिहार के बॉर्डर इलाका के लेल आब ई नव खबर नहि अछि.  बॉर्डर इलाका मे तस्करी बढ़ि रहल अछि...  आओर पहिने जे इलेक्ट्रॉनिक सामान... डालडा... तेल...  कपड़ा आओर दोसर सामान के होए छल ओहि मे नकली नोट... ड्रग्स  आओर हथियार सेहो जुड़ि गेल अछि.  खगड़िया के मोस्कीपुर मे पुलिस दू लोक के गिरफ्तार कएलक अछि. जकरा संग सं कइटा हथियार बरामद कएल गेल अछि.  बरामद हथियार मे  एकटा 9MM के पाकिस्तानी सेना के पिस्टल सेहो अछि.  पिस्टल पर साफ लिखल छै ऑनली पर पाक आर्मी.  आब ई पिस्टल बिहार केना पहुंचल ई छानबीन के बात अछि.     पुलिस एकर छानबीन करत.   मुदा बिहार के सीमावर्ती इलाका मे असामाजिक तत्व के गतिविधि बढ़ि गेल अछि.
  खुफिया एजेंसी के रिपोर्ट जे बीच-बीच मे पेपर सभ मे आबैत रहैत अछि... ओहि मे साफ कहल जाएत अछि जे बॉर्डर इलाका पर भारत के ध्यान देबय के जरूरत अछि.  अपराधी सभ अपराध कs खुलल सीमा स नेपाल भागि  जाएत अछि.  आ विदेशी अपराधी...  आतंकवादी नेपाल द भारत आबि जाएत अछि.

आतंकवादी सभ के लेल आबय-जाए लेल नेपाल बॉर्डर पार करनाय एहि घर सं ओहि घर मे जनाए जका रहैत अछि.  मुम्बई कांड के लs क जे आंतकवादी मदनी पकड़ाएल अछि ओ मधुबनीए के अछि.  मदनी बासोपट्टी सं जनकपुर जा ओहि ठाम फर्जी पासपोर्ट बनाबय आओर लोक सभ सं रास्ता सं भटकाबय के काज करैत छल. नहि जाने अपना संग इलाका के कतेक लोक के जोड़ने होएत ओकर कोनो ठेकान नहि.

मिथिलाक अपन इलाका जे मधुबनी पेंटिंग के लेल जानल जाएत अछि.   माछ... मखान... पान...  आम... लीची के लेल जानल जाएत अछि आब ओ आतंकी आओर अंडरवर्ल्ड के सम्पर्क के लेल जानल जा रहल अछि.  जाली नोट... ड्रग्स... हथियार आओर अवैध मानव तस्करी के लेल बदनाम भ रहल अछि.  नेपाल के संग सैकड़ों किलोमीटर के खुलल सीमा लोक सभ के आपसी रिश्ता बनल रहय एहि लेल राखल गेल रहय.  मुदा एकर दुरुपयोग भ रहल अछि.  जेहिआ सं माओवादी आंदोलन चलल अछि तेहिआ से त आओर हाल खराब अछि.  बांग्लादेशी आओर दोसर देश के लोक के भारत मे घुसय के लेल ई स्वर्ग रास्ता जका अछि.  ओना सीमा पर कइटा विदेशी पकड़ा सेहो चुकल अछि.  आओर जहा तक मदनी के बात अछि त ओ पहिल नहि अछि.  मदनी सं पहिने मुम्बई विस्फोट कांड मे मधुबनी जिला के कलाम अंसारी के सेहो गिरफ्तार कएल जा चुकल अछि.  ओ नेपाल भ पाकिस्तान गेल छल फेर ओहि ठाम सं आबि मुम्बई चलि गेल .   उत्तर प्रदेश के रामपुर मे जे CRPF कैंप पर हमला भेल रहय ओहि मामला मे सेहो सकरी के सबाउद्दीन के गिरफ्तार कएल गेल रहय.  इहो पाकिस्तान जाक प्रशिक्षण लेने रहय.  एकरा सभ जका कतेक होएत जकरा बारे मे लोक सभ के पता नहि होएत. 
मिथिला के लोक के चाही जे ओ अपना आस पास के लोक पर नजर रखताह... कोनो  गैर कानूनी काज होएत देखाए त पुलिस... प्रशासन के खबर करैथि. ओना पिछला दस- पंद्रह साल मे वोट के राजनीति के ल क सरकार कोनो खास कदम नहि उठएक. वोट के राजनीति देश के गर्त मे ल जाएत. नेता सभ के एहि सभ सं ऊपर उठि देश के बारे मे सोचबाक चाही.
Digg!

Bookmark and Share

चीनी मिल के दिन फिरत...

मधुबनी जिला के सकरी आओर दरभंगा जिला के रैयाम चीनी मिल चालू भs सकैत अछि. बिहार सरकार एकरा फेर सं चालू करय लेल प्राइवेट... निजी हाथ मे सौंपय चाहैत अछि. एक बेर पहिनहुं खबर आएल रहय जे रैयाम चीनी मिल निजी हाथ मे सौंप देल गेल अछि. ओना सरकार एहि बेर बिहार के तीन टा चीनी मिल के निजी क्षेत्र के देबय के फैसला कएलक अछि. तेसर अछि गया जिला के गुरारु चीनी मिल. एकरो निजी हाथ मे द देल जाएत आओर एहि ठाम एकटा राइस मिल सेहो खोलल जाएत.
इलाका के विकास के लेल चीनी मिल के चालू होनाए एकदम जरूरी अछि. बिहार मे जतय उद्योग-धंधा नाम के लेल अछि... ओतय एहि चीनी मिल के फेर सं चालू भेलाह सं सैकड़ों लोक के रोजगार मिलत. हमरा याद अछि जे पंद्रह... बीस साल पहिने जखन रैयाम मिल चालू छल आसपास के इलाका के किसान सभ के स्थिति बेहतर छलन्हि. रैयाम के आसपास के इलाका सम्पन्न मानल जाएत छल,.. कहल जाएत छल जे रैयाम...बलिया... छतबन एहि गाम मे सभ घर पक्का अछि... कुसियार के खेती सं होए वाला कमाय के कारण.
पहिने हमरा गाम मे सेहो कुसियारक खेती खूब होएत छल... दादाजी ओर चाचाजी सभ जखन ट्रेक्टर सं कुसियार ल कs रैयाम जाए छलखिन्ह क कई बेर संगे-संग हमहुं जाए छलहुं. बचपन मे बड़ मन लगैत छल एम्हर –ओम्हर जाए मे... घुमय मे. केवटी सं... समैला... पचाढ़ी फेर रैयाम. रैयाम मे बनल क्वार्टर... मिल सं सटल हाई स्कूल... सामने बाजार जनाय नीक लगैत छल. रैयाम चीनी मिल के कारण दरभंगा... मधुबनी के आसपास के 10-15 किलोमीटर के गाम के किसान सभ के जीवन स्तर नीक भ गेल छलन्हि. मुदा एहन नजर लागल जे सभ भट्ठा बैसि गेल. बाद मे त सुनय के आएल जे लोक सभ एकर एक-एकटा मशीन के कबाड़ के भाव मे बेच देलखिन्ह. एक-एकटा नट... वोल्ट सभ पांच-पांच... दस-दस किलो के रहैत छल. कतेक बेच देलक कतेक मे जंग लागि गेल.
एकर बंद होए के कारण किछ सरकारी त किछ एहि मे काज करय वाला लोक सभ सेहो छथिन्ह. काज करलौं... नहि करलौं... आबैत छी... जाए छी... वजन किछ... भुगतान किछ... घोटाला... गड़बड़ी सभ किछ मिलि क नहि... बूंदे-बूंद नहि तालाब भरय छई आओर खाली होएत अछि. लोक के मानसिकता सेहो अजीब होएत अछि जखन काज नहि रहत त कहताह जे कोनो देखिऔ न... बस खाए जोकर पाई मिलि जाए हम संतोष क लेब... मुदा जखन पैर धरय दिऔ त पूरा पसैरि जएताह... एकदम सं लाट साहैब जकां. फेर हिनका सं किछ नहि करा सकय छी... लगि जएताह राजनीति मे... पान-तम्बाकू खाए मे... बिहार के पिछड़य मे एक कारण एकरो बुझि सकय छी.
Bookmark and Share

जनसंख्या नियंत्रण के लेल अभियान...

जनसंख्या नियंत्रण के लेल बिहार सरकार एकटा विशेष अभियान चलाएत. एहि के लेल सरकार विशेषज्ञ के मदद सेहो लेत. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के कहनाय छनि जे जनसंख्या नियंत्रण के क्षेत्र मे तमिलनाडु के पूर्व मुख्यसचिव टीबी एंटनी नीक काज कएने छथिन्ह. एहि लेल सरकार हुनकर सेवा लेबय के बारे मे सोचि रहल अछि. मुख्यमंत्री इहो कहलथिन्ह जे एकरा लेल जनसंख्या नियंत्रण परिषद बनाएल जाएत.
अखन अगर जनसंख्या के हिसाब सं देखल जाए त बिहार मे एक किलोमीटर मे 880 लोक रहय छथिन्ह. जे देश के जनसंख्या घनत्व के हिसाब से काफी ज्यादा अछि. ओना दरभंगा...पटना सभ के देखल जाए त एहिठाम एक किलोमीटर मे 1300 लोक रहय छथि. एहि लेल जनसंख्या नियंत्रण कार्यक्रम के महत्व बढ़ि जाएत अछि. एहि के लेल लोक के जागरूक करय के जरूरत अछि. एहि के लेल सरकार के कहनाय अछि जे सघन अभियान चलाएल जाएत मुदा एहि मे कोनो जोर जबरदस्ती नहि कएल जाएत. बस लोक के समझाबय... जागरूक करय के काज कएल जाएत.
नीतीश जी राज्य मे जनसंख्या पर नियंत्रण के लेल... अभियान चलाबय के लेल सॉफ्टवेयर के महारथी बिल गेट्स सं सेहो सहयोग चाहैत छथिन्ह. बिल गेट्स फाउंडेशन दुनिया भर मे जनसंख्या नियंत्रण ओर दोसर सामाजिक सरोकार वाला सेवा के काज सं सेहो जुड़ल अछि.

Digg!

Bookmark and Share

फेर साजिश...

केंद्रीय मंत्रिमंडल ...  कैबिनेट मे कोनो प्रतिनिधि नहि होए के कतेक नुकसान होएत अछि एकरा बिहार सं बेसि कोई नहि समझि सकैत अछि.  बिहार सं रेल प्रोजेक्ट के बाहर ल जाए के बात भए रहल छल... मुदा  राज्य के नेता सभ के विरोध के बाद ई बात आगां नहि बढ़ल.  बिहार सं आर्मी सर्विस कोर के बंगलुरु ल जाए के बात ठंडा नहि भेल छल कि एकटा आओर दफ्तर के बिहार सं  बाहर ल जाए के बात शुरू भs गेल अछि.  एहि बेर गप  भ रहल अछि बिजली के उपकरण बनाबय वाला भारत हैवी इलैक्ट्रिकल लिमिटेड... BHEL के.  खबर अछि जे बिहार मे भेल के दफ्तर अछि ओकरा बंगाल ल जाए के कोशिश भs रहल अछि.  बिहार के ऊर्जा मंत्री रामाश्रय प्रसाद सिंह जीक कहनाय छनि जे भेल के दफ्तर पश्चिम बंगालके दुर्गापुर ल जाए के कोशिश भs रहल अछि. जखन कि भेल के एकटा दफ्तर कोलकाता मे पहिनहिं सं अछि.  सिंहजी के कहनाय छनि जे बिहार एहि तरहक कोनो कोशिश के विरोध करत आओर एकरा नहि जाए देत.


केंद्र सरकार ई सभ करि के कि संदेश देबय चाहैत अछि ?   कि केंद्र के नजर मे बिहार के कोनो  महत्व नहि अछि?  कि देश के राजनीति सिर्फ वोटे के लेल होएत रहत?   सिर्फ बंगाल के लाल गढ़ पर... राइटर्स बिल्डिंग पर कब्जा के लेल केंद्र कतेक गिरत.  वाम सरकार के हटाबय लेल एकटा बिहारे के बलि चढ़ाएल जाएत ?   कि बिहार के विकास के बिना बंगाल के... भारत के  नाम रहत ?   कि बिहार ओतेक गेल गुजरल  अछि जे एकरा संग एतेक भेदभाव के कोशिश भ रहल अछि ?   कि केंद्र सरकार तखने चेतय अछि जखन कश्मीर... पंजाब... पूर्वोत्तर जकां हिंसा होई लागैत अछि ?  शांति सं बात करय वाला के किएक नहि सुनैत अछि?
बिहार के विरोध पर रेल प्रोजेक्ट फिलहाल बाहर  नहि गेल...  मुदा अहां कतेक बात पर विरोध जतएबय ?  कि छोट -छोट बात के लेल सड़क पर निकलय पड़त ?  कि बिना हो-हल्ला करने सरकार नहि सुनत.?  अहां कि कहैत छी ?
Digg!

Bookmark and Share

प्रधानमंत्री के पत्र

बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह जी के एकटा पत्र लिखलखिन्ह अ.   पत्र मे बिहार के संग भेदभाव के आरोप लगाएल गेल अछि.  पत्र मे एक बेर फेर प्रधानमंत्री सं आग्रह कएल गेल अछि जे बिहारके विशेष पैकेज देल जाए.  नीतीश जी के कहनाय छनि जे विकास के नाम पर बिहार के संग राजनीति होएत रहल अछि.  ओ आब बंद होबाक चाही...  किएक त बिहार के विकास के  बिना देश के विकास संभव नहि अछि.  बिहार आगां बढ़त तखने देश आगां बढ़त. 


  मुख्यमंत्री  बिहार के विशेष राज्य के दर्जा देबय के मांग पहिनहिं कs चुकल छथिन्ह.   जेहि दिन आमचुनाव के वोट के गिनती छल ओहि सं एक दिन पहिने तक कांग्रेस बिहार के विशेष राज्य के दर्जा देबय के पक्ष मे छल.  मुदा गिनती के बाद पार्टी के नीक स्थिति मे आबतहि पार्टी के टोन बदलि गेल.  बजट मे सेहो किछ नहि कहल गेल.  कोनो विशेष पैकेज नहि देल गेल.  आब देखल जाए नीतीश जीक चिट्ठी के बाद  कि होएत अछि ?

Digg!

Bookmark and Share

तीनटा प्राइवेट इंजीनियरिंग कॉलेज शुरू होएत

बिहार मे एहि साल सं तीन टा नवका इंजीनियरिंग कॉलेज पढ़ाई शुरू कs रहल अछि. तीनु कॉलेज के ऑल इंडिया काउंसिल ऑफ टेक्नीकल एजुकेशन... AICTE सं एहि सत्र सं पढ़ाई शुरू करय लेल मंजूरी मिल गेल अछि. ई तीनु इंजीनियरिंग कॉलेज खुलि रहल अछि लखीसराय... पूर्णिया आओर बक्सर मे. लखीसराय मे ई कॉलेज खुलि रहल अछि बालिका विद्यापीठ के तरफ सं जखन कि पूर्णिया मे विद्या विहार स्कूल एकरा खोलि रहल अछि. बक्सर मे अरियांव के एकटा ट्रस्ट के इंजीनियरिंग कॉलेज खोलय के मंजूरी मिलल अछि.
एहि तीनटा इंजीनियरिंग कॉलेज के खुलला सं विद्यार्थी सभ के इंजीनियिरंग के पढ़ाई मे असानी रहलतन्हि. एहि सं बिहार मे सेहो इंजीनियरिंग कॉलेज के संख्या बढ़त आओर विद्यार्थी सभ के दोसर राज्य दिस नहि जाए पड़तन्हि. बस केवल जरूरत अछि पढाई के गुणवत्ता बनाके राखय के. नीक प्लैसमेंट... नीक फैकल्टी... आधुनिक तकनीक सं पढ़ाई... प्रैक्टिकल के नीक सुविधा उपलब्ध करएला सं दोसर राज्य के विद्यार्थी सभ सेहो आएत. ओना अखन शुरू मे कॉलेज के सिर्फ चारि विषय मे पढ़ाई कराबय आओर एडमिशन लेबय के अनुमति मिललन्हि... मुदा नीक सं कॉलेज चलएताह त दोसर आओर विषय सभ के मंजूरी मिल सकय छनि. एक विषय मे चालीस टा छात्र के दाखिला होएत. एहि लेल कुल मिलाक 240 टा छात्र के एडमिशन होएत.
Bookmark and Share

मधुश्रावणी शुरू भेल...सासुर गेलहुं कि नहि ?

मिथिला मे आई-काल्हि नव विवाहिता स्त्रीक उल्लास देखते बनैत अछि. आई-काल्हि गाम-घर मे बहिन... भौजी... नवकनियाक उमंग... उत्साह चरम पर अछि.  होए किएक नहि.  मधुश्रावणी जे अछि.  सावन मास मे होए वाला मधुश्रावणी विवाहक बाद नवका जीवन शुरु करय लेल एकटा प्रमुख पावनि अछि.
मधुश्रावणी केर मिथिला में विशेष स्थान अछि... ई नवविवाहिता स्त्रीक पावनि अछि.  नवकनिया सभ अपन पतिक दीर्घायु लेल ई पावनि करैत छथीह. ई पावनि नैहर में मनायल जाइत अछि.  मुदा विशेष परिस्थिति मे सासुर मे सेहो मनाएल जा सकैत अछि.  मधुश्रावणीक पूजा विवाहक पहिल सावन केर नागपंचमी के दिन शुरू होयत अछि आओर तेरह दिन तक लगातार पूजा होयत अछि.  अहि में तेरहों दिन नव-नव कथा सुनायल जायत अछि. कथैथिन कथा कहैत छथीह.  एहि में गृहस्थ जीवन मे प्रवेशक कथा-कहानी होएत अछि.  जेहिमे व्यावहारिक पहलू के संगहि- संग यौन शिक्षा के वर्णन सेहो रहैत अछि.  एहि कथाक बड़ महत्व अछि. एकरा एहि तरहे बनाओल गेल अछि कि एकरा पालन कएला सं जीवन सुचारु रूपे चलैत रहय.  अनुभवक सार रहैत अछि कथा मे.
भरि मधुश्रावणी गामक छटा किछु अलगे रहैत अछि.  लाल... पियर... हरिहर साड़ी में जखन नैहर आयल नवविवाहिता सभ फूल लोढ़वाक लेल निकलैत छथीह तं ऊ दृश्य देखवा जोगर होयत अछि.  नवविवाहिता सभ हाथ में डाला लेने मंदिर जाए छथिन्ह. मधुश्रावणी मे ओना भोर मे पूजा...बेरिया( दोपहर) मे कथा ओर सांझ मे फूल लोढ़य के परम्परा अछि... फूल लोढनाए एकसरे नहि टोली बनाकए...  हुनका सभक संगे कुमारि सखी-सहेली...धिया-पुता सभ रहैत छथिन्ह... पूरा माहौल रंगीन बनल रहैत अछि.  डाला के फूल सं नीक सं सजाएल जाएत अछि.  भोरक पूजा बसिआ फूल सं होएत अछि जेकरा कि सांझ मे लोढने रहय छथिन्ह.
असल में सावन मे बरसातक मौसम मे सांप-ढ़ोरि खूब निकलैत अछि... आओर ओकरा से पति के बचावय लेल...आ पति के दीर्घायु होबय के कामना के लेल विषहरी के पूजा कएल जाइत अछि... मिथिला केर हर पावनि त्यौहार लोक जीवन स जुड़ल अछि आओर ओकरा स जुड़ल अई लोक कथा. एहि लेल तेरहो दिन नव-नव कथा सुनाएल जाएत अछि. मधुश्रावणी मे वर...पाहुन सासुर सेहो जाए छथिन्ह.
Bookmark and Share

साहित्य अकादमी छापत मिथिला मिहिर

मैथिली... मिथिलाक लेल एकटा नीक खबर अछि.  साहित्य अकादमी दिल्ली मिथिला मिहिर के 20 वॉल्यूम मे प्रकाशित करत.  ई घोषणा महाराजा कामेश्वर सिंह फाउंडेशन के ट्रस्टी डॉ हेतुकर झा कएलखिन्ह.  ई घोषणा भेल मधुबनी मे आयोजित मैथिलीक तीन साहित्यकार भुवनेश्वर सिंह 'भुवन'... लक्ष्मीपति सिंह आओर ईशनाथ झा जीक जन्मशती वार्षिकी के अंतिम दिन.  दू दिनक ई संगोष्ठी साहित्य अकादमी दिल्ली आओर मैथिली साहित्य परिषद के ओर सं आरके कॉलेज मे भेल.
    संगोष्ठी के आखिरी सत्र मे पं. गोविन्द झा...  रामदेव झा...  मोहन भारद्वाज...  महेन्द्र मलंगिया...  डा. हेतुकर झा...  फूलो पासवान आओर डा. अमरनाथ झा सहित दोसर विद्वान लोकनि ई फैसला कएलखिन्ह जे साहित्य अकादमी नई दिल्ली मिथिला मिहिर के 20 वॉल्यूम मे प्रकाशित करि सकैत अछि.  एहि के लेल अकादमी के एनओसी द देल जाएत.
   एहि संगोष्ठी के पं.चन्द्रनाथ मिश्र...  साहित्य अकादमी के उपसचिव एस. गुणशेखरन...  साहित्य अकादमी मे मैथिली परामर्श मंडल के संयोजक विद्यानाथ झा विदित...  ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के प्रति-कुलपति पद्माशा झा समेत कइटा विद्वान संबोधित कएलखिन्ह.  संगोष्ठी मे कहल गेल जे मैथिली भाषा के विकास के लेल साहित्य अकादमी जोर-शोर सं काज क रहल अछि.
    संगोष्ठी मे एहि बात पर जोर देल गेल जे एहि तरहक संगोष्टी हर साल होबाक चाही.  संगोष्ठी मे तीनु साहित्यकारक रचना...  पोथी पर आलेख पढ़ल गेल... हुनकर जीवन पर...  व्यक्तित्व... कृतित्व पर प्रकाश डालल गेल...  आओर चर्चा कएल गेल.
Bookmark and Share

कि तैयार अछि भारत ?

एकटा खबर आएल अछि जे चीन तीन साल के भीतर भारत पर हमला कs सकैत अछि. रिपोर्ट आएल अछि इंडियन डिफेंस रिव्यू मे. इंडियन डिफेंस रिव्यू के एडिटर भरत वर्मा जीक कहनाय छनि जे चीन 2012 तक भारत पर हमला कs सकैत अछि. हुनकर बात पर यकीन कएल जाए त चीन अपन देश मे बढ़ैत बेरोजगारी... खराब आर्थिक हालात... मंदी सं फैलत असंतोष के खत्म करय लेल... लोक के ध्यान बंटाबय लेल एना कs सकैत अछि.
एहि हमला के बाद चीन दुनिया मे अपन वर्चस्व कायम करय के कोशिश करत. चीन के कम्युनिस्ट सरकार के खिलाफ लोक के विरोध से मुखर भs रहल अछि... समाज पर कम्युनिस्ट सरकार के पकड़ कमजोर भ रहल अछि. पार्टी मे नेतृत्व के प्रति विरोध बढ़ि रहल अछि. एहन मे चीन भारत पर हमला कs दय त कोनो अचरज के बात नहि.
मुदा सवाल उठय अछि कि अगर चीन हमला कs दैत अछि त भारत ओकरा जवाब देबय के लेल तैयार अछि. त जवाब साफ अछि...नहि. इंडियन डिफेंस रिव्यू के रिपोर्ट मे ईहो कहल गेल अछि जे भारत... चीन के हमला के जवाब देबय लेल तैयार नहि अछि. जमीनी स्तर पर भारत के जे तैयारी अछि ओ चीन सं हमला के निपटय लेल नहि अछि.
ई देश के लोक के लेल... हुक्मरान के लेल... बड़का चिंता के बात अछि. चीन एक बेर पहिनहु भारत पर हमला करि चुकल अछि... ओहो भारत-चीनी भाई-भाई के नाम पर... एक बेर पहिनहुं पीठ मे छुरा भोंकी चुकल अछि. एहि लेल चीन पर त कहिओ भरोसा नहि कएल जा सकैत अछि. भारत के एकटा बड़का भू-भाग पर कब्जा सेहो कएने अछि. अक्साईचीन पर त कब्जा कएनहि अछि संग संग ओ सिक्किम... अरुणाचल प्रदेश पर अपन दावा ठोंकैत रहैत अछि... धौंस दैत रहैत अछि. धौंस एहन जे प्रधानमंत्री के अरुणाचल दौरा पर अपन विरोध जताबैत अछि. मुदा भारत के रूख ओहे सभ दिन जकां सुस्त.
ओ भारत के अस्थिर करय लेल भारत के पड़ोसी देश के उकसाबैत रहैत अछि. सैन्य सहायता दैत रहैत अछि. भारत के चारु कात सं घेरय के उपाय कs लेने अछि. पाकिस्तान... हिन्द महासागर... म्यांमार ( बर्मा) सभ ठाम अपन पैठ बना लेने अछि. आब त नेपाल मे सेहो काफी किछ प्रभाव बना लेने अछि. सड़क सम्पर्क के जाल बिछा देने अछि आओर ओ रेल सम्पर्क बैसाबय मे सेहो लागल अछि. परम्परा के उलट नेपाल के तत्कालीन प्रधानमंत्री प्रचंड जी सभसं पहिने चीन गेलाह. चीन सेहो खुलि कs नेपाल के मदद करि रहल अछि. सभ क्षेत्र मे अपन पैठ बना रहल अछि. पाकिस्तान के परमाणु सहायता त दए रहल अछि.
मुदा भारत के नेता सभ के राज्य के पार्टी-पॉलिटिक्स सं फुरसति होए तखन न. भारत के नेता सभ के चिंता रहय छनि के हमरा राज्य मे केना सभ सं बेसि फंड आबय... दफ्तर आबय... रेल आबय. सिर्फ अपन चुनाव क्षेत्र के चिंता रहय छनि. देश के चिंता नहि. ओ दिन कहिआ आएत जखन भारत के सही मायने मे एकटा देश के वित्त मंत्री आओर रेल मंत्री मिलत... जे पूरा देश के एक नजर सं देखतिन्ह.
चीन के देखैत भारत के तैयारी एहन अछि जे अहां देखब त चीन आओर नेपाल सं लागल सीमा पर भारत के नहि त सड़क सम्पर्क नीक अछि नहि रेल सम्पर्क. रोड के हाल ई अछि जे बैल गाड़ी तक नीक सं नहि चलत. चीन सं लड़य के लेल भारत के नेपाल सं गुजरय पड़त. मुदा नेपाल के बॉर्डर इलाका वाला बिहार... यूपी...पूर्वोत्तर के शहर के हाल त आओर खराब अछि. केना गुजरत एम्हर सं सेना के काफिला. एयरफोर्स के हवाईअड्डा किछ खास –खास दूरी पर बनाबय के जरूरत अछि. ओकरा देखरेख के जरूरत अछि...से नहि होएत अछि. पूर्वोत्तर भारत के हाल ओहिना खराब अछि. विदेशी ताकत पूर्वोत्तर मे उग्रवादी संगठन के शह से दैत रहैत अछि. एम्हर इंफ्रास्ट्रक्चर के हाल एकदम बेहाल अछि. सरकार के पूरा ध्यान मेट्रो पर रहैत अछि.
सेना के ताकत के मामला मे चीन शुरू सं भारत के मुकाबला बीस साबित होएत रहल अछि. अखन धरि भारत के जतेक सैन्य तैयारी होएत रहल ओ पाकिस्ताव जैसन छोट देश के खिलाफ होएत रहल. भारत ... पाकिस्तान पर अटकल रहल जखन कि चीन... भारत के चारु कात सं घेरैत रहल. तीनु सेना होए आ परमाणु हथियार सभ मे चीन भारत सं बड़ आगां अछि.  ओकर तैयारी चुस्त अछि. हथियार त तीन-तीन...चारि-चारि गुना बेसि अछि. आओर ओ भारत जका कोनो मामला पर छह-पांच मे नहि रहैत अछि जे करय के रहैत अछि ओकरा नौ-छह कए दैत अछि. ओ अपन हित के मामला के भारत जका लंबित नहि रखैत अछि. तुरंत फैसला लैत अछि. मुदा भारत मे त मीटिंग पर मीटिंग... मीटिंग पर मीटिंग आओर नतीजा वहे ढाक के तीन पात.
Bookmark and Share

बाढ़ि के संग सूखा सेहो...

एक तरफ बाढ़िक तबाही त दोसर तरफ सूखा के मारि. कतहुं पानिए-पानि त कतहुं पानि के लेल तरसैत लोक. कोसी... बागमती... गंडक... कमला आओर भूतही बलान सं लागल इलाका पानि सं तबाह अछि. कटाव भ रहल अछि. गाम-घर मे पानि घुसि रहल अछि. दोसर दिस बिहार के कइटा इलाका एहन अछि जतय प्रचंड गर्मी पड़ि रहल अछि. पानि नहि भेलाह स लोक के हाल बेहाल अछि. किसान भाई परेशान छथि. खेतक जमीन फाटि रहल अछि. खेत मे जे किछ फसल लागल अछि ओ रौद स झुलसि गेल अछि... पियर पड़ि गेल अछि. पानि नहि भेलाह सं धान आओर कुसियार के खेती पर असर पड़ि रहल अछि. तीमन-तरकारी के दाम बढ़ि गेल अछि. दाम त जेना आसमान छुने जा रहल अछि. कोनो तरकारी खरीदय के हिम्मत नहि करैत अछि.
केन्द्र सरकार के कहनाय अछि जे महंगाई दर घटि रहल अछि. महंगाई दर त घटि रहल अछि मुदा महंगाई खुद बढ़ि रहल अछि. नहि जाने ई आंकड़ा केना तैयार होएत अछि जे चावल... दाल... सब्जी... तेल... साबुन ... फल सभ किछ के दाम बढ़ल जा रहल अछि आ मंहगाई दर... मुद्रास्फीति घटल जा रहल अछि. सभ लोक के बुड़बक बनाबय के तरीका अछि. मुद्रास्फीति घटला के बादो घरक बजट बढ़ि गेल अछि. लोक के सभ किछ गड़बड़ भ गेल छनि. खर्चा के बैलेंस बिगड़ि गेल अछि. किछ फुड़ाइत नहि अछि जे खर्चा पर कंट्रोल केना कएल जाए. कटौती कएल जाए त कतय.
सूखा के समस्या पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकटा बैसार सेहो कएलखिन्ह. सूखा सं केना निपटल जाए एहि पर चर्चा भेल. बैसार के बाद एकटा क्राइसिस मैनेजमेंट ग्रुप बनाएल गेल. जकर देखरेख मुख्य सचिव करथिन्ह. ई पहिने होबाक चाही छल. ओना लोक एहि उम्मीद मे छथिन्ह जे सावन मे भगवान किछ करथिन्ह आ पानि बरसैयछिन्ह. उम्मीद पर त दुनिया कायम अछि.
Bookmark and Share


केन्द्रीय मंत्री कएलाह कुसहा के दौरा...

केंद्रीय जल संसाधन मंत्री पवन कुमार बंसल रवि दिन कुसहा आओर भीमनगर के कोसी बराज के दौरा कएलाह. बंसलजी के संग नेपाल के जल संसाधन मंत्री बालकृष्ण खांड सेहो छलखिन्ह. दौरा मे बांध के मरम्मत... रखरखाव आओर सुरक्षा कार्य के जायजा लेलखिन्ह. बिहार के जल संसाधन मंत्री विजयेन्द्र प्रसाद यादव के एहिठाम नीक सं काज कराबय के लेल सराहना सेहो कएलखिन्ह. केंद्रीय मंत्री एहि ठाम के इंजीनियर आओर अफसर सभ के निर्देश देलखिन्ह जे बांध के सुरक्षा के काज नहि रुकबाक चाही... हर वक्त सतर्क रहय के जरूरत अछि. एहि बात पर नजर राखल लेल सेहो कहलखिन्ह जे कतहुं कटाव त नहि भ रहल अछि.
एहि दौरा मे जल संसाधन मंत्री पवन कुमार बंसल जी नेपाल के प्रधानमंत्री माधव कुमार नेपाल सं सेहो भेंट करलखिन्ह आओर कोसी बांध पर चर्चा कएलखिन्ह.  नेपाल के प्रधानमंत्री हुनका सभ तरह सं सहयोग के भरोस देलखिन्ह. आब कोसी पर चौबीसों घंटा निगरानी कएल जाएत.
पिछला साल 18 अगस्त के कुसहा मे बांध टूटला सं उत्तर बिहार के एकटा बड़का इलाका मे भारी तबाही भेल छल. सहरसा... सुपौल... अररिया... पूर्णिया... मधेपुरा मे जान-माल के भारी नुकसान भेल. बाढ़िक पानि सं लाखों लोक के जीवन नरक बनि गेल छल. प्रधानमंत्री बाढ़ि के राष्ट्रीय आपदा घोषित कएने छलखिन्ह. आब ओहि कटाव के पूरा तरह सं बांधि देल गेल अछि. ओर सरकार के दावा अछि जे एहि बेर बांध सं कोनो खतरा नहि अछि.
Bookmark and Share

कि लालू- नीतीश के लड़ाई मे बिहार पिस रहल अछि ?

राजनीति के बिसात एहन होएत अछि जे बड़का-बड़का धुरंधर के चित्त करि दैत अछि.  राजा के एना घेर लेल जाएत अछि जे ओ चाहैत ओहि घेर सं नहि निकैल पाबैत अछि.  आओर एहि चाल मे कइटा दोसर लोक मोहरा बनि जाए छथि.  एकर नतीजा जनता भुगतैत अछि.
आब अहां देखिऔ रेल बजट आएल.  आम बजट आएल.  दुनु मे बिहार के संग भेदभाव कएल गेल.  उपेक्षा कएल गेल.  रेल बजट मे बिहार के एक तरह सं झुनझुना देखा देल गेल.  मुदा रेल बजट मे बिहार के अनदेखी के जतय ममता बनर्जी  निशाना बनतीह ओतय निशाना पर छथि लालू यादव.  आओर कांग्रेस के एहि चाल के अपन नीतीशजी सेहो शह त रहल छथिन्ह.  बात होबय चाही छल बिहार के विशेष दर्जा के...  पैकेज के...  मुदा ओ नहि भs रहल अछि.  भs रहल अछि लालू के.  एकरा कि कहबय?  कि ई बिहारके खिलाफ अभियान अछि ?   आओर नीतीश जी अनजाने मे ओकरा बढ़ावा द रहल छथिन्ह ? 
ममता बिहार के अनदेखी पर सफाई देबय के उलट लालू के निशाना बनौने छथिन्ह.  नीतीश नहि जानैत छथिन्ह जे एहि बहाने ओ अपना के पाछा राखि लालू के आगां लाबि रहल छथिन्ह...  जेहि सं लोक के ध्यान हुनका सं हटि जाए.  आब अहां देखते छी जे रेलवे के बिहार मे कि हाल अछि कोनो ट्रेन मे लात धरय के जगह नहि.  आओर एहन मे आओर रेल के मांग करय के बजाय ओ दोसर बेकार के लड़ाई मे उलझल छथि.
बिहार के नेता कहिआ समझत एहन चाल के ?  बात श्वेतपत्र के भ रहल अछि?  श्वेतपत्र आबिओ जाएत त कि होएत ?  मुदा तखन धरि बिहार के नुकसान भ गेल रहत ?  बिहार एहि लड़ाई मे उलझल रहत आओर दोसर राज्य विकास के हिस्सा लैत रहत.  जखन होश आएत तखन धरि सभ खत्म भs गेल रहत.  हाथ मलय के अलावा कोनो रास्ता नहि रहत.
एकटा गप इहो अछि जे कहिं ई नीतीश के अपन समस्या... विफलता सं ध्यान हटाबय के चाल त नहि छनि.  नीतीश जी भने चुनाव जीत गेलाह. मुदा ओ हर फ्रंट पर विफल साबित भ रहला अ.  ओतेक दिन के बाद धरातल पर अखन धरि किछ ठोस नहि देखा रहल अछि.  दरभंगा सं हमर गाम सोलह किलोमीटर पर अछि आओर हमर गाम सं गुजरय वाला रोड नेपाल के बॉर्डर जयनगर के जोड़ैत अछि मुदा चारि साल सं ई रोड हाइई वे त छोड़ु एकटा खरंजा सं सेहो बदतर अछि.  एहि रोड पर बस सं गेलाह पर भगवान के नाम जपय पड़ैत अछि.  ई त एकटा उदाहरण अछि.  चाहे बाढ़ि होए...  सुरक्षा होए...  बिजली होए... कारोबार होए...  पढ़ाई-लिखाई होए... सभ क्षेत्र मे कोनो खास प्रगति नहि अछि.  बस लोक के मन किछ चेंज भेल अछि.  ई बात बिहार मे रहय वाला लोक नीक स जानय छथिन्ह.  त एहन मे कि नीतीश अपना पर सं  ध्यान  हटाबय लेल केंद्र के हाथ के कठपुतली बनि गेलाह अ.
 अहां सभ अपन विचार दिअ कि सच मे लालू -नीतीश के लड़ाई मे बिहार के नुकसान त नहि भ रहल अछि ?. विकास के मुद्दा सं लोक के ध्यान हटि रहल अछि ?  रेल बजट.. आम बजट के अन्याय सं लोक के ध्यान हटाबय लेल ई सभ भ रहल अछि ?  कि एहि मे नीतीश कुमार केंद्र के मोहरा बनि गेलाह ?  आ नीतीश सरकार अपन कमजोरी सं ध्यान हटाबय लेल एना करि रहल अछि ?  अहां अपन विचार जरूर राखब .

Bookmark and Share

मिथिला राज्य के लेल धरना प्रदर्शन...

मिथिला राज्य बनाबय के मांग के लsक दिल्ली के जंतर-मंतर पर धरना प्रदर्शन कएल गेल. धरना-प्रदर्शन अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के ओर सं कएल गेल. धरना पर बैसल लोक के कहनाय छलनि जे आजादी के ओतेक साल के बादो मिथिला क्षेत्र पिछड़ल अछि. इलाका के सम्पूर्ण विकास कs लेल अलग राज्य बनानाय एकदम जरूरी अछि. धरना पर समिति के राष्ट्रीय अध्यक्ष डॉ वैद्यनाथ चौधरी सेहो बैसल छलाह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे अखन धरि कोनो सरकार मिथिलांचल के विकास पर ध्यान नहि देलक. आओर जखन धरि अलग राज्य नहि बनत हम सभ चैन सं नहि बैसब. लोक सभ बीच-बीच मे नारा सेहो लगाबैत छलाह जे भीख नहि अधिकार चाही... हमर हमरा मिथिला राज्य चाही. धरना के बाद राष्ट्रपति... प्रधानमंत्री के नाम सं ज्ञापन सेहो सौंपल गेल. एहिठाम करीब सय लोक जुटल छलाह.
दिल्लीए जका मधुबनी मे सेहो अलग मिथिला राज्य के लेल कलक्टर दफ्तर के सामने धरना देल गेल. अंतरराष्ट्रीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के राष्ट्रीय अध्यक्ष चुनचुन मिश्र व राष्ट्रीय महासचिव प्रो. उदय शंकर मिश्र के नेत्वृत मे सैकड़ों लोक धरना पर बैसलाह. हुनकर कहनाय छलनि जे अखन धरि सभ राजनेता सभ मिथिलाक उपेक्षा कएलाह. जकर कारण आई मिथिला मे विकास नहि दिखाएत अछि . लोक गरीबी... बेरोजगारी मे जीवय लेल मजबूर छथि. हर साल बाढ़ि कहल झेलए छथि.
मधुबनी के धरना मे सभ दलक लोक सभ छलाह. धरना के बाद कलक्टर के राष्ट्रपति के नाम सं एकटा ज्ञापन देल गेल. अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद के डॉ धनाकर ठाकुर जीक अनुसार 22 दिसम्बर के दिल्ली मे एकटा बड़का धरना के आयोजन कएल जाएत. ओहि सं पहिने देश भर मे छोट-छोट बैसार... धरना प्रदर्शन होएत रहत.
Bookmark and Share

खत्म होएत गैस के किल्लत...

मिथिलांचल सहित बिहार के एकटा बड़का हिस्सा मे खाना पकाबय वाला गैस के जे किल्लत रहैत अछि  ओ जल्दीए खत्म होएत.  एहि बात के भरोस पेट्रोलियम आओर प्राकृतिक गैस राज्यमंत्री जितिन प्रसाद देलखिन्ह.  श्री प्रसाद के कहनाय छलन्हि जे एलपीजी गैस के किल्लत के देखैत तेल कंपनी कइटा नवका बॉटलिंग प्लांट लगाबय जा रहल अछि. मंत्री जी के कहनाय छलन्हि जे बिहार के मुजफ्फरपुर मे बॉटलिंग प्लांट लगाबय के काज शुरू भ गेल अछि.
जितिन प्रसादजी खुद मानलखिन्ह जे कंपनी के दावा के बावजूद बिहार मे गैस के लेल मारामारी होएत रहैत अछि ओर नवका प्लांट लगला सं ग्राहक... उपभोक्ता के किछ राहत मिलतन्हि.  अखन त बिहार मे गैस के लेल बड़ दिक्कत भ जाएत अछि.  सभ सं बेसि परेशानी त बरसाति... पानि के दिन होएत अछि.  एंजेसी वाला के आगां-पाछां दौड़ेत रहु.  मुदा गैस मास-मास दिन तक नहि मिलत.  एक त गैस मिलला के 21 दिन...  मास दिन बाद नंबर लागत. 

आओर ओ नंबर फेर कहिआ आएत ओ भगवाने जानैत छथिन्ह.  बस दौड़ैत रहु.  बरसाति मे रास्ता बंद भेलाह सं सेहो परेशानी होएत अछि. गैस वाला ट्रक नहि आ पाबैत अछि.  आ जखन गैस के ट्रके नहि एत त मिलत केना...  आओर जे एक दुटा ट्रक केहुना क आबितो अछि त ओ वीआईपी लोक सं बचत तखन नहि अहां के मिलत.
त देखु मंत्री जी त कहलाह अ.  हुनका कहल के मानल जाए त आब बेसि दिन इंतजार नहि करय पड़त.  आब बस बॉटलिंग प्लांट के काज पूरा होएत कि अहां सभ के गैस के दिक्कत दूर भ जाएत.
Bookmark and Share

डाक बम के सुविधा बहाल

बाबाधाम जाए वाला कांवडिया के लेल एकटा नीक खबर अछि.  झारखंड सरकार डाक बम के सुविधा फेर सं बहाल करि देलक अछि.  असल मे एहि बेर डाक बम के जे विशेष सुविधा मिलैत छल ओकरा बंद करि देल गेल छल.  एहि बात पर डाक बम सभ सुल्तानगंज मे काफी हो-हल्ला आओर तोड़-फोड़ कएने छलाह.  एकर बाद बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार झारखंड के राज्यपाल सैयद सिब्जे रजी जी सं बात करि सुविधा फेर सं बहाल करय के अनुरोध कएलखिन्ह.  जेहि पर ई फैसला आएल अछि.  मुदा डाक बम के ई सुविधा चारिए दिन मिलतन्हि... बुध... वृहस्पति... शुक्र आओर शनि दिन.  डाक बम रवि... सोम आओर मंगल दिन एहि विशेष सुविधा के लाभ नहि उठा पएताह.  एहि फैसला के बाद सुल्तानगंज मे डाकबम के प्रमाण पत्र देबय के काज फेर सं शुरू भ गेल अछि.  डाक बम सुल्तानगंज सं जल भरला के बाद चौबीस घंटा के अंदर जल ढारय छथिन्ह. एकरा एक तरह सं कांवड़िया सभ के मैराथन कहि सकैत छी.  डाक बम वाला कांवड़िया दौड़ेत... दौड़ेत अपन यात्रा पूरा करय छथिन्ह...बीच मे आराम नहि करैत छथिन्ह.

विकसित कएल जाएत पर्यटन स्थल

बिहार मे नवका पर्यटन नीति के मंजूरी द देल गेल अछि.  राज्य मे पर्यटन के विकास के लेल बौद्ध आओर जैन सर्किट के जकां रामायण सर्किट... गांधी सर्किट आओर इको सर्किट के आगां बढ़ाएल जाएत.  धार्मिक... सांस्कृतिक आओर स्वास्थ्य पर आधारित पर्यटन के बढ़ावा देल जाएत. एहि सर्किट के विकास के लेल कइटा योजना बनाएल गेल अछि.  सरकार के कोशिश पर्यटन सुविधा के विश्वस्तरीय बनाबय के अछि.  पर्यटक के एकहिं ठाम सभ तरहक सुविधा प्रदान कएल जाएत.  पर्यटन के बढ़ावा देबय लेल टूरिज्म प्रोमोशन काउंसिल बनाएल जाएत.  राज्य मे आबय वाला पर्यटक के सुरक्षा के लेल पर्यटन सुरक्षा बल के गठन सेहो कएल जाएत.
राज्य मे आबय वाला पर्यटक के संख्या बढ़ला सं सेहो सरकार उत्साहित अछि.  पिछला साल एहिठाम एक करोड़ 22 लाख 35 हजार पर्यटक आएल छल.  बौद्ध और जैन सर्किट के कारण बोधगया... गया... राजगीर... वैशाली... नालंदा आओर भागलपुर मे काफी संख्या मे विदेशी पर्यटक आबैत रहैत अछि.
नवका पर्यटन नीति मे सर्किट सं जुड़ल स्थल के विकसित कएल जाएत. एहि सं इलाका के लोक के रोजगार सेहो मिलतन्हि.  सड़क... बिजली... पानी... सुरक्षा के स्थिति सुधरत.  इलाका सुन्दर बनत.  ओना सरकार एहि पर सही सं गंभीरता सं ध्यान देय त पर्यटन मे काफी किछ कएल जा सकैत अछि.
बिहार के पर्यटक स्थल के भरमार अछि.  बोधगया के महाबोधि मंदिर... गया के विष्णुपद मंदिर आओर पिंडदान मेला...  नालंदा के प्राचीन विश्वविद्यालय आओर भागलपुर के विक्रमशिला विश्वविद्यालय के अवशेष... राजगीर के विश्व शांति स्तूप... कुंड... पावापुरी... जलमंदिर... सासाराम मे शेरशाह के मकबरा... पटना मे गोलघर... गुरु गोविन्दसिंह जी के जन्मस्थल... तारामंडल... चिड़ियाघर...गंगा नदी मे वोटिंग.... पटना सं सटल मनेर मे मनेरशरीफ... वैशाली मे वासोकुंड आओर शांति स्तूप... चम्पारण मे नंदनगढ़... भितिहरवा आश्रम... केसरिया स्तूप... सीतामढ़ी मे मां जानकी जतय प्रकट भेल छलीह से स्थल... दरभंगा मे अहिल्यास्थान... दरभंगा राज कैम्पस... कुशेश्वरस्थान... मधुबनी मे विद्यापति जीक जन्मस्थान बिस्फी... भगवती स्थान उच्चैठ... मधुबनी पैंटिंग के लेल मशहूर रांटी...जितवारपुर जैसन गाम... राजनगर के राज कैम्पस जकां सैकड़ों जगह अछि जकरा पर्यटन मानचित्र पर विकसित कएल जा सकैत अछि.
मुदा सभ सं पड़का गप ई अछि जे कि सरकार... प्रशासन अहि के लsक गंभीर अछि. आ एकरो हाल राज्य मे चलय वाला आओर कार्यक्रम के जकां होएत ?
Bookmark and Share

इ आज के डिमांड बा...

आई काल्हि जिम्हर देखु ओम्हर  गे  के चर्चा अछि.  न्यूज़ चैनल... अखबार...  पत्रिका सभ ठाम गे...  समलैंगिक मुद्दा पर चर्चा.  आजुक हॉट टॉपिक बनि गेल अछि.  किछ चटखारा लs क मजा लय छथि त किछ अपन दुख जताबैत एकर समर्थन करैत छथिन्ह.  बाबा रामदेव सेहो एहि मे कूदि पड़लाह ... हुनकर कहनाय छनि जे सभ के प्राणायाम करबाक चाही. सभ ठीक भ जाएत.  चर्चा त सभ ठाम अछिए.  एहि क्रम मे लोक सभ के रंग- बिरंग के मेल सभ सेहो आबि रहल छनि.  अखन हमरा पास सेहो एकटा मेल आएल अछि.  हम चाहब जे अहां सभ सेहो ओकरा पढ़ि.  ई गीत के लिखने छथिन्ह मनोज भावुक जी...
गीत त भोजपुरी मे अछि
मुदा अहां सभके समझय मे कोनो दिक्कत नहि आएत...  एकरा दू -तीन बेर पढ़ला के बाद रस मिलत...  त कोशिश करु एक-दू बेर बोलि के पढ़य के रिदम के संग ...  त आनंद लिअ.

इ आज के डिमांड बा रउरा ना बुझाई
नर नर संगे, मादा मादा संगे जाई .
हाई कोर्ट देले बाटे अइसन एगो फैसला
गे लो के मन बढल लेस्बियन के हौसला
भइया संगे मूंछ वाली भउजी घरे आई
इ आज के डिमांड बा रउरा ना बुझाई...

खतम भइल धारा अब तीन सौ सतहत्तर
घूमतारे छूटा अब समलैंगिक सभत्तर
रीना अब बनि जइहें लीना के लुगाई
इ आज के डिमांड बा रउरा ना बुझाई...

पछिमे से मिलल बाटे अइसन इंसपिरेशन
अच्छे भइल बढी ना अब ओतना पोपुलेशन
बोअत रहीं बिया बाकि फूल ना फुलाई
इ आज के डिमांड बा रउरा ना बुझाई...

जानवर से यौनाचार के नियम इक दिन टूटी
आदमी से जानवर के रिस्ता ओह दिन जुटी
फेर जे बिआई , ऊहे देश के चलाई
इ आज के डिमांड बा रउरा ना बुझाई...

Bookmark and Share

बाढ़ि के डर...

बिहार सरकार के जल संसाधन मंत्री विजेन्द्र यादव के कहनाय छनि के एहि बेर कोसी सं बाढ़ि के खतरा नहि अछि. कोसी के जतेक मरम्मत के काज छल ओकरा दुरुस्त करि लेल गेल अछि. मंत्री जी के इहो कहनाय छनि जे कोसी बराज मे जे फाटक फंसल अछि आ बंद अछि ओकरा ठीक करय लेल इंजीनियर... मैकेनिक के भेज देल गेल अछि. आओर एकरा जल्दीए ठीक करि लेल जाएत. मुदा नेपाल सं पानि छोड़ला के कारण... आओर बरसाती पानि आबय के कारण बिहार मे नदी सभ के जलस्तर बढ़ि रहल अछि. पानि बढ़ैत देखि लोक चिंतित छथि आओर सुरक्षित स्थान दिस जाए लगलाह . बाढ़ि वाला इलाका सं लोक के पयालन शुरू भ गेल अछि.
सरकार केतबो किछ कहैत रहौ... जमीन पर ओ चीज नहि देखाएत अछि. बिहार मे सिर्फ कोसीए नदी नहि अछि... बागमती.... कमला बलान... भूतही बलान... गंडक हर साल अपना संग भारी तबाही लाबैत अछि. उत्तर बिहार के हर साल बाढ़िक मारि झेलय पड़ैत अछि. तबाही झेलनाय लोक के लेल एकटा नियति बनि गेल अछि. सरकार केतबो मदद... सहायता... राहत के बात करत... अहां जखन प्रभावित इलाका मे जाएब तखन स्थिति के भयावहता के पता चलत. लागत नहि जे सरकार के तरफ सं किछ भ रहल अछि. लोक सभ केहुना बांध पर... स्कूल मे... सरकारी भवन मे... डीह पर शरण लेने रहय छथिन्ह. कोसी... बागमती आओर कमला बलान के पानि बढ़ला सं अखने कइटा इलाका मे पानि घुसि गेल अछि. कटाव भ रहल अछि. लोक सभ अपन जरूरी सामान लs घर छोड़ि भागि रहल छथिन्ह. प्रशासन के तरफ सं मदद के दावा कएल जा रहल अछि मुदा लोक के कष्ट कम नहि भ रहल अछि.
कई इलाका मे जतय अखन बाढ़ि नहि आएल अछि ओतय के लोक नदी के पानि के कटाव सं डरल छथिन्ह. कटाव एतेक तेजी सं भ रहल अछि जे धार एक-एक... दू-दू किलोमीटर तक एम्हर-ओम्हर भ गेल अछि. लोक के खेत... खलिहान... घर –द्वार सभ धार मे चलि गेल अछि. अखन त लोक के ध्यान केहुना के खुद के... परिवार के... माल-जाल के बचाबय के छनि... मुदा जखन बाढ़ि के बाद... पानि कम भेलाह के बाद लौटता त धार मे... कटाव मे सभ किछ बहि गेल रहत... तखन कतs रहल जाए सेहो एकटा प्रॉब्लम अछि. केंद्र आओर राज्य दुनु के तरफ सं किछ ठोस करय के जरूरत अछि. मुदा सभ किछ राजनीति मे फंसि जाएत अछि. पार्टी- पॉलिटिक्स मे अटकि जाएत अछि. आओर एहि मे मारल जाएत अछि आम लोक.
Bookmark and Share

आएल सावन... बाबाधाम चलु...

बोल बम... बोल बम...  आई सावन के पहिल दिन अछि.  एकरे संग सुल्तानगंज सं बाबाधाम जा कs जल चढानाय शुरू भ गेल अछि.  भरि रास्ता बोल बम...  बोल बम सं गुंजय लागल अछि.  आब भरि सावन सुल्तानगंज सं बाबाधाम के बीच शिवभक्त के लाइन लागल रहत.  बाबा के जल चढ़ाबय वाला मे सिर्फ बिहार... झारखंड के लोक नहि रहैत छथि... आस पास के दोसर राज्य आओर विदेश के लोक सभ सेहो आबय छथि.
बाबाधाम मे जल चढ़ाबय के लेल सभ सं पहिने लोक सुल्तानगंज मे उत्तरवाहिनी गंगा मे झुबकी लगा... बाबा अजगैबीनाथ के जल ढ़ारि... आओर गंगाजल ल कांवड़ के संग बोल बम - बोल बम करैत विदा होए छथिन्ह.  भरि रास्ता बाबा के नाम जपैत तीर्थाटन के एकटा अलगे आनंद उठाबैत छथि.  सुल्तानगंज सं बाबाधाम के बीच लोक के शुद्धता के बड़ ख्याल राखय पड़य छनि.  सभ तरह के व्यसन के त्याग दय छथि.  भरि रास्ता सभ तरहक अवगुणके दूर राखय के कोशिश कएल जाएत अछि.  पूरा ध्यान बाबा मे लगाएल जाएत अछि. 

सुल्तानगंज सं जल ल बाबाधाम मे जल ढ़ारय तक करीब सय किलोमीटर के दूरी तय करय पड़य छनि.  आम लोक ई यात्रा दू- तीन दिन मे तय करय छथिन्ह.  घुमैत- फिरैत सभ देखैत ...जानैत-बुझैत पहुंचय छथिन्ह.  एक दोसरा के जानय-पहचानय के मौका मिलैत अछि.  गाम-घर के झंझट के पाछा छोड़ि बाबा मे ध्यान लगाबय के मौका मिलैत अछि.  मुदा किछ लोक 24 घंटा के अंदर जल ढारनाय पसंद करय छथिन्ह.  हुनका डाक बम कहल