अपन गाम-घरक समाचार... कविता... कहानी... सुझाव... विचार... राय... कमेंट एहि पता पर भेजु : - hellomithilaa@gmail.com

नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

सभ सं लोकप्रिय मैथिली गीत ?

मैथिलीक सैकड़ों एहन गीत अछि जकरा सुनितहिं मन खुश भs जाएत अछि.  मैथिली गीत सुनय मे जे अलौकिक आनन्द मिलैत अछि ओ कोनो आओर गीत मे नहि मिलि सकैत अछि चाहे ओ सुपरहिट मुम्बइया फिल्म के गीत किएक नहि होय. अहां सभ मैथिली गीत सुनैत होएब. कि अहां बता सकैत छी जे मैथिलीक सभ सं लोक प्रिय गीत कोन अछि ?  ओहि गीत के अहां किएक सभ सं कर्णप्रिय मानैत छी ?  अहां सभ के लेल ई सवाल कठिन नहि अछि.  मुदा हमरा सन ओ सभ लोक जे गाम-घर मे नहि रहैत छथिन्ह... हुनका लेल ई सवाल बड़ महत्व राखैत अछि.  अहां के एहि सवाल के जवाब सं कतेक लोक के कई तरहक गीत के बारे मे जानय लेल मिलतन्हि.  अहांक पसंद के बाद लोक सभ सेहो ओहि गीत के सुनय के कोशिश करताह.  त देर नहि करू.  झट द मैथिलीक सभ सं लोकप्रिय गीत के नाम कमेंट वाला लिंक के क्लिक क लिख भेजु.  कमेंट वाला मे कोनो परेशानी होए त ओहि मे बॉक्स के ऊपर मे एकटा आओर लिंक अछि
Comment
ओकरा क्लिक  कs अपन जवाब लिखु.  अगर ओना नहि करय चाहय छी त अहां अपन पसंदक गीत के नाम लिखि हमरा
  hellomithilaa@gmail.com  
पर मेल क s दिअ. धन्यवाद.
Bookmark and Share

शिफ्ट नहि होएत रेल परियोजना

बिहार के लेल एकटा नीक खबर अछि. रेल बजट के जे संकेत मिलि रहल अछि ओकरा मुताबिक बिहार सं जे रेल परियोजना के बाहर ल जाए के गप भs रहल छल... आब ओ नहि होएत. बीच मे खबर आएल रहय जे मढौरा, छपरा आओर मधेपुरा के रेल कारखाना के बंगाल शिफ्ट करय के विचार चलि रहल अछि. मुदा एहि बात के पता चलतहि बिहार मे भारी विरोध शुरू होए लागल. पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव एहि मुद्दा पर रेल मंत्री ममता बनर्जी सं सेहो बात कएलखिन्ह. बीजेपी के ओर से सेहो कहल गेल जे अगर कोनो रेल परियोजना के राज्य सं बाहर ल जाए के कोशिश कएल गेल त बिहार सं एकोटा ट्रेन के गुजरय नहि देल जाएत.
रेल परियोजना पर बिहार के लोक के विरोध के देखैत रेल मंत्रालय के आ जे कहुं रेल मंत्री ममता बनर्जी के परियोजना पर अपन कदम पाछां करय पड़लन्हि. ई सभ बिहार के लोक के ...जनता के जागरूकता के कारण भेल अछि. केन्द्र के तरफ सं अखन धरि बिहार के काफी उपेक्षा कएल गेल अछि. मुदा आब लोक धीरे-धीरे केंद्र के भेदभाव वाला राजनीति के समझि रहल अछि.
बिहार के रेल परियोजना के शिफ्ट करय के मामला एकदम सं राजनीतिक कहल जा सकैत अछि. आओर कहल जा रहल अछि जे एहि के पाछा रेलवे के लोके सभ शामिल छथिन्ह. एहि परियोजना के तत्कालीन रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव जी के समय मे शुरू कएल गेल छल. मुदा काज अखन धरि शुरूआती चरण मे अछि. मढौरा मे त जमीन अधिग्रहण के लेल लोक के जे मुआवजा देल जा रहल छल फिलहाल ओकरा पर सेहो रोक लगा देल गेल अछि.
एहि परियोजना के बंगाल नहि गेलाह के बाद आब खबर अछि जे ममता बनर्जी तीन जुलाई के पेश होए वाला रेल बजट मे बंगाल के लेल किछ दोसर नबका परियोजना के घोषणा करतीह. उम्मीद अछि जे ओ किछ नबका परियोजना के संग किछ नबका ट्रेन सेहो शुरू करतीह. एकटा नबका वैगन ट्रॉली फैक्ट्री खोलय के सेहो चर्चा चलि रहल अछि. जे होए.. ओ बंगाल के लेल दस टा आओर परियोजना शुरू करैथि... मुदा जे कतहुं लागल अछि ओकरा त शिफ्ट नहि करैथि. जे होए ई गप कंफर्म त रेल बजट पेश होएला के बादे पता चलत. ताबैति धरि प्रार्थना करू जे बिहार सं रेल परियोजना शिफ्ट नहि होए.
पिछला लेख:
  रेल कारखानाके मामला गरमाएल
 बिहार से छीनो बंगाल को दो
बिहार के झटका 
Bookmark and Share

आब ऑनलाइन पिंडदान

आब देश सं बाहर रहय वाला लोक सभ सेहो पिंडदान करा सकताह. बिहार राज्य पर्यटन विभाग के ओर सं पितृपक्ष मेला के दौरान एहि बेर सं ऑनलाइन पिंडदान कराबय के व्यवस्था कएल जा रहल अछि. एहि सुविधा के लेल विदेश मे बसल लोक के किछ खर्च सेहो करय पड़तन्हि. खर्च के भुगतान क्रेडिट कार्ड सं कएल जा सकैत अछि. जिनका पिंडदान कराबय के छनि ओ क्रेडिट कार्ड सं शुल्क के भुगतान कs वीडियो कॉन्फ्रेंसिंग सं घर बैसल पिंडदान आ पूजा कs सकताह.
अहां कहि सकय छी जे आजुक आधुनिक युग मे पूजा-पाठ सेहो आधुनिक रूप ल लेलक अछि. सभ किछ हाईटेक बनल जा रहल अछि. काम-काज... नौकरी आ दोसर कोनो परेशानी के कारण पिंडदान करय नहि आबि सकय छी ... चिंता के कोनो बात नहि. घर बैसल पिंडदान करू. बस किछ बटुआ ढीला करय पड़त. बस बटुआ भरल रहत त सभ काज होएत रहत.
बिहार के विश्वप्रसिद्ध गया पितृपक्ष मेला के अवसर पर प्रवासी भारतीय अपन पूर्वज के श्राद्ध ऑनलाइन क सकताह. एहि सं जतय हुनका आध्यात्मिक सुख मिलतन्हि ओतहि सरकार के आमदनी सेहो होएत.
एहि बेर के पितृपक्ष मेला तीन सं अठारह सितम्बर तक चलत. सरकार के उम्मीद अछि जे एहि बेर करीब आठ लाख लोक मेला मे पहुंचताह. एकरा देखैत मेला के तैयारी अखने सं शुरू करि देल गेल अछि. तैयारी के समीक्षा खुद उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी जी कएलखिन्ह. सरकार एहि लेल ‘विष्णु सरकार’ नामक एकटा नीक होटल सेहो तैयार करबयलक अछि.
मेला के दौरान पर्यटन विभाग के तरफ सं किछ आधुनिक सुविधा वाला कॉटेज सेहो बनाएल जाएत. पर्यटन विभाग एहि बेर यात्री सभ के लेल एकटा विशेष पैकेज सेहो शुरू करय जा रहल अछि. एहि पैकेज मे यात्रा...विश्राम...पूजा आओर धुमनाय-फिरनाय शामिल रहत. तैयारी के क्रम के गया आओर बोध गया शहर के प्रमुख तालाब सभ के सफाई कएल जा रहल अछि. मेला के दौरान एहिठाम आबय वाला लोक के कोनो दिक्कत नहि होए ओकरा लेल सफाई...शौचालय आओर पीबय वाला पानि के व्यवस्था सेहो कएल जा रहल अछि...
Bookmark and Share

कि मिथिलांचल राज्य के सपना होएत साकार ?

अगर सभ किछ ठीक-ठाक रहल त मिथिला राज्यक मांग जल्दीए साकार रूप ल सकैत अछि. केंद्र सरकार के पास दसटा नबका राज्य बनाबय के आवेदन पहुंचल अछि. ओहि मे उत्तर बिहार के मैथिली भाषी इलाका के मिला क मिथिलांचल राज्य बनाबय के आवेदन सेहो शामिल अछि. केंद्र सरकार सभटा आवेदन के विचार के लेल अपना पास राखि लेलक अछि. आब ओहि दसों आवेदन पर गृहमंत्रालय विचार करत. गृह मंत्रालय राज्य के गठन के लेल जरूरी सभ पहलू पर चर्चा करि... समीक्षा करि सरकार के अपन रिपोर्ट देत. ओहि रिपोर्ट के अध्ययन के बाद केंद्र सरकार कोनो फैसला करत. ओना अखन धरि कोनो राज्य के तरफ सं एहि संबंध मे सिफारिश नहि आएल अछि जे कि राज्य के गठन के लेल जरूरी होएत अछि. ई सभ आवेदन संगठन के ओर सं आ फेर व्यक्तिगत रूप सं सरकार के पास आएल अछि. कइटा आवेदन त सरकार के पास पांच-पांच... सात-सात साल सं पड़ल अछि. अखन जे नबका राज्य बनाबय के लेल दसटा आवेदन मिलल अछि ओहि मे मिथिलांचल के अलावा बिहार-उत्तर प्रदेश सं भोजपुर... उत्तर प्रदेश सं बुंदेलखंड... आंध्र प्रदेश सं तेलंगाना... पश्चिम बंगाल सं गोरखालैंड... महाराष्ट्र सं विदर्भ ... गुजरात सं सौराष्ट्र... कर्नाटक सं कुर्ग...असम-पश्चिम बंगाल सं कूच बिहार आओर पश्चिम उत्तर प्रदेश सं हरित प्रदेश शामिल अछि.
Bookmark and Share

किछ जॉब...

एहिठाम हम अहांक लेल किछ जॉब के बारे मे जानकारी द रहल छी उम्मीद अछि अहां सभ के  काज आएत. अहांक कोनो मित्र अगर एहि फील्ड सं छथि आओर नौकरीक तलाश मे छथि त अहां हुनका सेहो बता सकैत छी. ई सभ जॉब के  पता एम्हर -ओम्हर सं चलल अछि. अहां आओर जानकारी नीचा देल गेल पता सं जुटा सकय छी.
धन्यवाद.
Copy Editors : Outlook Money
Experience: 2-3 years
Contact : Nidhi Sinha, assistant editor, Outlook Money
Mail Your Resume to : outlookmoneyjobs@gmail.com
Gyanwave.com: Internship
For : online content developer, education journalist
Fresher / Experienced both can apply
Contact : Mr. Moinuddin Ahmed
Phone: ; 9911113358, 9811667756
Send Your Resume To : editorial@gyanwave.com
Web Designer
: Experience Commerce.
Qualifications: Graduate, Diploma in Designing . 
Tools : Photoshop, Illustrator, Dreamweaver, Flash, HTML
Experience: 2 - 5 years.
Send your resume to: jayshree@experiencecommerce.com
To more: www.experiencecommerce.com
Content Writer
: Infinity Advertising Services Pvt. Ltd.
Qualifications: degree/diploma in English/Mass Communication
Experience: 1-4 years
Email your resume to: hrd@infinityadvt.com

विदेह भेल सदेह

इंटरनेट पर मैथिलीक पहिल पत्रिका विदेह आब सदेह भs गेल अछि... विदेह सदेह बनि आब सभ के सामने आबि गेल अछि. एकर पूरा श्रेय श्री गजेन्द्र ठाकुर जीके जाए छनि. ई हुनकर मातृभाषा मैथिलीक प्रति अनुराग के सेहो देखबैत अछि. गजेन्द्र जी मैथिली मे कइटा पोथी त लिखनहिं छथिन्ह... मैथिली-अंग्रेजी आ अंग्रेजी-मैथिली शब्दकोश सेहो तैयार कएने छथिन्ह. सदिखन मैथिलीक विकास मे जुटल रहय छथिन्ह. देश- विदेशक मैथिल के एकठाम लाबय मे विदेह के बड़का योगदान रहल अछि. ई मैथिल सभ के एकटा बड़का मंच प्रदान करैत अछि. विदेह दुनिया के करीब सत्तरटा देश मे पढ़ल जाएत अछि. मैथिली पत्रकारिता मे अखन धरि विदेह जे काज करलक ओ अतुलनीय अछि. इंटरनेट के माध्यम सं पत्रिका निकालनाय... एकरा त अहां एक तरहे एकटा साहसिक कदम कहि सकैत छी. जतय प्रिंट के पढ़य लेल एकोsटा पत्र-पत्रिका नहि मिलैत होए. ओतए ई साहसिके कदम अछि. प्रिंट वाला पत्र-पत्रिका त नामे लेल अछि. साल मे एक-दुटा अंक निकालि खानापूर्ति टा होएत अछि. कोनो सभा संगत के दौरान मिलल त मिलल नहि त पतो नहि चलत जे मैथिली मे ई पत्रिका निकलैत अछि. नाम त दसटा के सुनय लेल मिलत. बस अपने मे निकालय छथि आओर अपने मे पढय छथि.
एहन हालत मे विदेह के निकलनाय सुखद अछि. कम सं कम इंटरनेटहिं पर गजेन्द्र ठाकुरजी हर अंक त निकालैत छथिन्ह. आब जखन विदेह सदेह भs गेल अछि उम्मीद अछि ठाकुरजी एहि क्रम के जारी रखताह. ओना विदेह के सदेह वाला अंक इंटरनेट पर सेहो अछि. विदेह के इंटरनेटक अंक जारी रहत ओहि मे कोनो रुकावट नहि आएत. विदेह सदेह पत्रिका के पहिल अंक मे इंटरनेट वाला विदेह के पहिल पचीस अंकक चुनल रचना के प्रकाशित कएल गेल अछि. विदेह मे कथा-पिहानी... कविता... एकांगी... कॉर्टून... इंटरव्यू सभ किछ के समावेश त कएले गेल अछि. पत्रिका के आखिर मे मैथिलीक मानक लेखन शैली सेहो देल गेल अछि. कम सं कम हमरा सभ जकां लोक के लेल त ई नीक अछि. गाम-घर सं बाहर रहय वाला आओर मैथिलीक पोथी कम पढ़य वाला लोक सभके लेल ई मानक लेखन शैली बड़ काज के अछि. मुदा एकरा बेर- बेर पढ़य के जरूरत अछि. किएक त जे लिखय के आदत भ जाएत अछि ओ जल्दी नहि हटैत अछि.
विदेह सदेह के एहि अंक के देखि मन खुश भs गेल. आब अगिला क के इंतजार अछि. अगिला साल जनवरी मे विदेह के अगिला अंक आएत. ओना एहि अंक के लेल गजेन्द्र ठाकुर जीके काफी मेहनत करय पड़लन्हि. फोंट के दिक्कत... ले आउट... फॉर्मेटिंग के... सभ ठाम हुनका जुझय पड़लन्हि. रचनाकार के पठाएल एक-एक रचना के फेर सं टाइप करनाय... छपय सं पहिने एक-एक शब्द के फेर सं चेक करनाय. एकदम सं थका देबय वाला काज अछि. एहि के लेल हुनका बहुत-बहुत धन्यवाद आओर अगिला अंक के लेल शुभकामना.


कि इहे सभागाछी अछि ?


मधुबनी के पास सौराठ मे आई काल्हि सौराठ सभा चलि रहल अछि. लोक सभ एहि सभा के सभागाछी के नाम सं जानैत छथिन्ह. पहिने अगर अहां भूलल-भटकलों मधुबनी आ रहिका चलि जएतहुं त पता चलि जाएत जे लगनक टाइम आबि गेल अछि... आओर सभागाछी मे सभावास चलि रहल अछि. बस स्टैंड... रेलवे स्टेशन... रिक्शा... टेम्पो पर... चारुकात कतहुं देखु... लाल-लाल धोती... चमकैत रेशमी आ मलमल के कुर्ता... ललका पाग... मुंह मे पान... हाथ मे बेंत संग कथा-वार्ताक गप मे लीन लोक मिलि जाएत छलाह. गपक विषय बस एकेटा... फलां बाबू के एतेक मे तय भेलन्हि त फलां बाबू के ओतेक मे. फलां बाबू किछ ओर धीरज रखतथिन्ह त आओर कम मे कथा तय भ जएतन्हि. ओ त धरफरा गेलाह. फलां बाबू ठका गेलाह. हुनका अपन बात पर अड़ल रहबाक चाही छलन्हि. नहि जाने कि कि...
पहिने जे बात के पता पांच-सात किलोमीटर दूरहिं सं चलि जाएत छल. आई अहां सौराठ गाम सं घुमिओ कs चलि आएब त पता नहि चलत जे आई-काल्हि सभावास चलि रहल अछि. पहिने गाजा-बाजा के संग उद्घाटन होएत छल. बिरादरी के पैघ-पैघ लोक जुटए छलखिन्ह. नेता... मंत्री सभ आबैत छलाह. आब खोजलों सं नहि मिलताह. पहिने जे कथा बिना सभागाछी के शास्त्रार्थ के पूरा नहि होएत छल. आब घरकथा सं भs जाएत अछि. आई के आधुनिक संचार... सूचना युग मे किनको सं ई बात छिपल नहि रहय छनि जे किनकर बालक कतय काज कs रहल छथिन्ह. आओर फेर कन्या के विआह योग्य होएतहिं गाम-गाम मे वरतुहार खेरा देल जाएत अछि. पता चलतहिं दस ठाम सं दबाव बना देल जाएत अछि कथा के लेल.
किछ दिन के बाद अगर लोक सभ के सभागाछी के बारे मे सिर्फ किताबे टा मे पढ़य लेल मिलय त एहि मे कोनो अचरज नहि. पंजीकार सभ सेहो एहि सं निराश छथिन्ह. हुनका सभ के कहनाय छनि जे मिथिलाक एकटा गौरवशाली परम्परा खत्म भs रहल अछि. लोक सभ सिर्फ पंजी कराबय लेल एतय आबय छथि. एकटा कारण इहो कहि सकय छी जे दहेज प्रथा के खिलाफ चलय वाला अभियान के कारण सेहो लोक एहि सं दूर रहय चाहय छथिन्ह. एहि बेर 24 तारीख के शुरू भेल सभागाछी 2 जुलाई तक चलत. आब देखु आगां कि हाल रहैत अछि. ओना त एम्हर सं गुजरय वाला लोक सभ के मुंह सं एतबा सुनल जाएत अछि कि यौ इहो इहे सभागाछी अछि ?
सभा गाछी


दरभंगा मे मिथिला थीम पार्क

दरभंगा मे एकटा पार्क बनय जा रहल अछि जेहि मे अहांके मिथिलाक सभ्यता... संस्कृति... लोक- परम्परा... गीतनाद... लोककथा आओर मिथिलाक विभूति सभ किछ के एकहिं ठाम दर्शन भs जाएत.  लोक सभ के ई साहित्य आओर शिल्प के माध्यम सं जानए लेल मिलतन्हि. मिथिलाक थीम पर ई पार्क दरभंगा जक्शन के पास म्यूजियम मे बनय वाला अछि.  एकर तैयारी पटना के प्रेमचंद रंगशाला आओर कॉलेज ऑफ आर्ट एंड कॉलेज मे चलि रहल अछि.  सरकार के तरफ सं एहि लेल 30 लाख रुपया देल गेल अछि.  एहि थीम पार्क मे आबि लोक अपन मिथिलाक बारे मे एहन-एहन जानकारी पाबि सकैत छथि जकरा बारे मे ओ सोचिओ नहिं सकैत छथिन्ह.  लोक एहि ठाम आबि इतिहास सं रूबरु भ सकैत छथि.  विदेश राजा जनक... माता जानकी सं लsक महाकवि विद्यापति सभ गोटे के बारे मे छोट सं लsक पैघ सभ तरहक जानकारी पाबि सकैत छथि. मंडन मिश्र आओर भारती जीक शंकराचार्य के संग शास्त्रार्थ वाला प्रसंग होए आ कोनो दोसर... सभ चीज के समाहित करय के कोशिश भs रहल अछि. मैथिली लोकगीत होए आ फेर मधुबनी पेंटिंग सभक जानकारी अहांके एहिठाम मिलि सकैत अछि.  किछ रहि जाएत त लोकक अनुरोध के बाद ओकरा बाद मे जोड़ि देल जाएत.  ओना एहि सं जुड़ल लोक सभ के अपना भरि कोशिश छनि जे किछ नहि छुटै.  सरकार के योजना एहि तरहक दूटा आओर पार्क बनाबय के अछि.  एकटा छपरा मे आ दोसर बेतिया मे.  एहि दूनु पार्क मे बिहारक इतिहासक दर्शन कएल जा सकत सरकार के ई कोशिश नीक कदम अछि.

रेल कारखाना के मामला गरमाएल

मढ़ौरा के डीजल इंजिन रेल कारखाना आओर मधेपुरा के इलेक्ट्रिक इंजिन रेल कारखाना के बिहार सं बाहर ल जाए के मामला गरमा रहल अछि. ई एहन मुद्दा अछि जेहि पर बिहारक लोक सभ के बीच एकटा बहस शुरू भs गेल अछि. पार्टी के नेता सभ के बीच सेहो हलचल शुरू भs गेल अछि. एहि मुद्दा पर नेता सभ लोक सभ के अपना दिस करय मे जुटि गेलाह .
बिहार के लेल ई एकटा बड़का संवेदनशील मु्द्दा अछि. ई जानि पूर्व रेल मंत्री आओर आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यादव बुध दिन रेल मंत्री ममता बनर्जी सं मुलाकात कएलखिन्ह. अपन चिंता सं अवगत करएलखिन्ह. ममता बनर्जी एहि तरहक कोनो कोशिश... गप सं इनकार कएलखिन्ह.
बीजेपी सेहो एहि मु्द्दा के जोर-शोर सं उठाबय मे लागि गेल अछि. बीजेपी के त कहनाय अछि जे अगर मढौरा... छपरा आओर मधेपुरा रेल कारखाना के कतहुं आओर लs जाए के कोशिश कएल त बिहार सं दोसर राज्य के एकोटा ट्रेन के गुजरय नहि देल जाएत.
बिहार के रेल परियोजना के राज्य सं बाहर ल जाए के कोशिश के राज्य मे विरोध. एहि मुद्दा पर सभ पार्टी एकजुट.
राज्य मे कई साल सं लम्बित पड़ल दोसर रेल परियोजना के जल्दी पूरा कराबय लेल सेहो पार्टी मोर्चा खोलि देलक अछि. पार्टी एहि के लेल सभ पार्टी के सांसद के एकजुट करय मे लागि गेल अछि. बीजेपी के राज्य उपाध्याक्ष रामेश्वर चौरसिया त सीधा प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह सं पुछलथिन्ह... कि बिहार... भारत के हिस्सा अछि कि नहि ? देश के विकास मे बिहार के योगदान अछि कि नहि ? कि केंद्र के बिहार के प्रति कोनो दायित्व अछि कि नहि ? अगर अछि त फेर रेल कारखाना... परियोजना के बाहर लs जाए के बात किएक भs रहल अछि. बिहार मे जे चारिटा मेगापुल डेहरी... मुंगेर... पटना आओर निर्मली मे बनय वाला छल ओकर कि भेल ? अखन धरि किएक नहि बनल ? हरनौत कारखाना के कि भेल ?
ओम्हर मुंगेर मे अपन धन्यवाद यात्रा के दौरान उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी जी कहलखिन्ह जे बिहार के कोनो रेल परियोजना के बाहर ल जाए के कोशिश के गंभीर परिणाम भ सकैत अछि. बिहार के लोक एकरा बर्दाश्त नहि करत . मोदीजी सेहो कहलखिन्ह ई जे रेल परियोजना सभ के बंगाल ल जाए के साजिश भ s रहल अछि राज्य सरकार सेहो ओकर कड़ा विरोध करत. एकरा रोकय लेल जे सभ जरूरी होएत कएल जाएत. सभ तरहक कुर्बानी देबय लेल बीजेपी तैयार अछि.
एकटा बात नीक अछि जे एहि मुद्दा पर बिहार के सभ पार्टी एकजुट भs रहल अछि. पार्टी सभ के कहनाय अछि जे ई बिहार के लोक के भावना सं खेलनाय अछि. लालूजी के पार्टी के कहनाय अछि जे हम एहि तरहक कोनो काज नहि होबय देब ओतय पूर्व रेलमंत्री रामविलास पासवान जीक पार्टी के कहनाय अछि जे एलजेपी एहि तरहक कोनो कदम के कड़ा विरोध करत. बिहार के लोक अपन उपेक्षा आब आओर नहि सहत.
पिछला लेख:
बिहार से छीनो बंगाल को दो
बिहार के झटका 
Bookmark and Share
Add to Technorati Favorites Subscribe to me on FriendFeed

किछ जॉब...

आई-काल्हि पत्रकारिता कॉलेज के पढ़ाई कs छात्र सभ इंटर्नशिप के लेल एम्हर-ओम्हर दौड़ि रहल छथिन्ह.  किछ कोर्स पूरा भेला के बाद नौकरी के लेल सेहो सभ ठाम रेज्यूम डालि रहल छथिन्ह. मुदा मंदी के कारण अखन सभ सं खराब हाल मीडिया इंडस्ट्री के अछि.  एहन मे जखन किछ ठाम लोक के जरूरत अछि आओर हमरा पता चलल त हम समझलहुं जे एकरा सभ सं पहिने अहां सभ के बता देल जाए.  अगर अहां सभ के लाएक एहि मे सं कोनो जॉब अछि त सम्पर्क करय मे देर नहि करु.   बेस्ट ऑफ लक...

Media Jobs
Scriptwriter
Brief job profile: Scriptwriter who can convert two of stories (a RomCom and one of 26/11) into the format as required by the Mumbai film industry…using Final Draft.
Contact: Rajiv Soni (chartered accountant), Founder, CEO mailto:rajsoni5@hotmail.com
Cell: 98-993-28283.

Copy Editor

Rupa & Co. is one of the leading publishing houses in India. looking for young, dynamic and enterprising candidates who have excellent English writing and speaking skills. The candidate should have a sharp eye for detail and will be required to edit and proofread manuscripts. He/she should also be able to rewrite text if required.

The candidate will be required to work with a team of editors and the production department to see the books through press. If selected, the candidate will be expected to rapidly grow to a level where he/she can handle a complete project on his/her own—from conceptualizing to providing marketing support after publication.

Please contact Rashmi Menon, Editor, at editorial@rupapublications.com
Client Servicing
Location Mumbai
Experience Minimum 1 year

Position Media Operations
Location Mumbai
Experience Minimum 1 year.

Position Finishing Artist
Location Mumbai
Experience Minimum 1 year

Position Web Designer
Location Mumbai
Experience A minimum of 1 year

Position Visualiser
Location Mumbai
Experience A minimum of 1 year.

www.touchstone.co.in
Contact: (022) 26651564 / 26651565 / 9833247020
Contact Person Meenal / Seema
jobs@touchstone.co.in


Graphic Designer
Location New Delhi
Experience 3-4 years of experience preferably from the Ad agency or Publishing company

Contact Person Vertica Dvivedi
Tel : 91-11-4165 0168 / 4602 6168
phone : 98110-31749


Digital Marketing Business Development Manager
Location Hyderabad
Experience Minimum 3 years experience in Digital Marketing

Position Senior Client Servicing Executive
Location Hyderabad
Experience Minimum 2 years experience in an advertising agency of repute

Tempest Advertising Pvt Ltd.
www.comvort.com
Tel: +91 40 27893819, 27893820, 27893821

Manager Marketing
Location New Delhi
Experience Experienced individual capable of generating meaningful revenues for the company

Position Field Marketing Executive
Location New Delhi
Experience 0-2 years. Freshers welcome
Remuneration Approx Rs 12,000/- + incentive + perks

Position Offset- Print Production Coordinator
Location New Delhi
Experience 3-4 years
Remuneration Approx Rs 18,000/- + perks

Mosaic Communications Pvt Ltd.
Contact Person Mr. Nikhil Aron
+91 11 460 83165

Copywriter
Location New Delhi
Experience 2-3 years in reputed national agency

Base Communication Pvt. Ltd..
Contact : 011-2984 1334 / 5 / 6
Contact Person Mr. Ashish Suda
Email  -

Account Manager
10 years of Experience

Account Executive
4 years of Experience

Media Manager
8 Years Of Experience

Copywriter
4 years of agency experience.

Free wrinkle strategic communications.
Contact Person Ms Deepa Hate
studio@freewrinkle.com
011- 28828311/28817677


Internship
NCR's first civil society-led community radio station in the NCR region, in Gurgaon (the rest are campus radio stations )... are looking for volunteers and interns who would like to work in a community-driven radio station that will allow them to get first hand experience in every aspect of radio production and broadcast.

Anyone interested, please contact Arti at arti@trfindia.org or call at 9811126336. For more information, please visit website www.trfindia.org


Copy Editors
Mint, the No. 2 business paper in the country, is looking for young, enthusiastic and creative minds for its copy desk, based out of Delhi.
Openings for Copy Editors with 1-5 years of experience. A background in business, though not a must, would be an advantage.
To apply, please contact Mint National Copy Chief Harjeet Ahluwalia at harjeet.a@livemint.com


Writers and editors
Writers and editors (Eng) for content for US market with 3-6 year experience. The package would be above 20k and can go upto 40 k depending on their experience.
Those interested, please send their detailed CVs to

ajit1991@gmail.com
Or
Call Ajit Kumar- 9810340311

Production manager
Looking for production manager , art director... costume director.... executive producer... and creative head for an upcoming serial....... kindly send resume on
kavitasingh3981@rediffmail.com


Casting people
Require actors between 30-40 with good comic timing for a film. Send in your pictures (max 5 pix, one headshot and one full length pix ). Mail to
sandhya.outcast@gmail.com


HT Bhopal

1. Deputy News Editor
8-10 yrs experience

2. Deputy Chief Copy Editor
5-8 yrs Experience

Mail Resume to:
hrbhopal@hindustantimes.com

Or

HR Department, HT Media Ltd
8/1, Malviya Nagar, Bhopal

पर्यटन स्थल बनत दरभंगा


मिथिलाक ह्रदयस्थल दरभंगा जल्दीए देश के पर्यटन मानचित्र सं जुड़ि जाएत. दरभंगा के विकसित करय के काज सेहो भs रहल अछि. पर्यटन के लेल जेहि स्थान के विकसित कएल जाएत ओहि मे अहिल्यास्थान... कुशेश्वरस्थान... संकटमोचन मंदिर... हराही पोखर शामिल अछि. पर्यटन मानचित्र सं एहि स्थान सं जोड़य लेल सरकार के दरभंगा राज कैम्पस... काली मंदिर... किला... दरभंगा किला

म्यूजियम पर सेहो ध्यान देबय पड़तन्हि. म्यूजियम मे मिथिला कला केंद्र बनाबय के कोशिश सेहो चलि रहल अछि. मुदा एहि के लेल सरकार के सभ सं बेसि ध्यान बुनियादी सुविधा पर ध्यान देबय के जरूरत अछि. दरभंगा मे अखन रोड के जे हाल अछि ओहि मे त बाहर के लोक एक बेर अएला के बाद फेर आबय सं कान पकड़ि लेताह. सड़क सम्पर्क नीक जकां बनाएल जाए.

बिजली सेहो एकटा बड़का परेशानी अछि.

दरभंगा मे मिथिला सं जुड़ल सामान सभ के विशेष दोकान सेहो खोलल जएबाक चाही. जेहि मे मधुबनी पेंटिंग... मखान... सिकी कला सं जुड़ल सामान सभ रहय. अपना ओहि ठाम सिकी सं पेटार... पौती... डलिया नीक–नीक डिजायन के बनाएल जाएत अछि. मेला- ठेला मे अहां लकड़ी के खिलौना देखैत होएब ओ खासकर मिथिले मे मिलत. ओ सभ सेहो राखल जा सकैत अछि. कई ठाम कपड़ा के जे कतरन होए छै ओकर नीक-नीक चीज बनाक बेचल जाएत अछि. अगर अहां देश भर के पर्यटन स्थल पर गेल होएब त ओहिठामक बड़का –बड़का स्टोर मे एहन चीज सभ बिकैत देखने होएब. एकरे संग ओहि स्टोर मे मैथिलीक किताब...पोथी सभ सेहो रहबाक चाही जेहि सं लोक मैथिली साहित्य के आनन्द सेहो ल सकथिन्ह. एहि ठाम सिर्फ मैथिली मे नहिं बल्कि मिथिला सं जुड़ल हिन्दी- अंग्रेजी सहित दोसर भाषाक पोथी सेहो उपलब्ध होबाक चाही.


दरभंगा के पर्यटन मानचित्र सं जोड़ल जा रहल अछि नीक गप अछि. मुदा एकरे संग सरकार के चाही जे दरभंगा सं आगां बढ़ि विद्यापति जीक जन्मस्थान बिस्फी के सेहो जोड़ल जाय. कपिलेश्वर स्थान... उच्चैठ भगवती स्थल के सेहो नक्शा सं जोड़ल जा सकैत अछि. तमिलनाडु मे एक जगह अछि कोरोमंडल ऑर्टिस्ट विलेज... ई पूरा के पूरा गाम कलाकार सभ के अछि. एहिटाम के ऑर्टिस्ट सभ सं मिलय के लेल दुनिया भर के लोक सभ आबय छथिन्ह. एहिना मधुबनी के पास के गाम रांटी... जितबारपुर... रशिदपुर के मधुबनी पेंटिंग ऑर्टिस्ट विलेज के रूप मे बढ़ावा देल जा सकैत अछि. मिथिला पेंटिंग के लेल पहिल पद्मश्री जीतय वाली गंगादेवी जीक गाम रशिदपुर मे जाए के लेल त अखन धरि ठीक सड़क तक नहि अछि. जखन कि एहिठाम घर-घऱ मे बच्चा-बच्चा मधुबनी पेंटिंग के कलाकार सं कम नहि छथि. मधुबनी सं 12 किलोमीटर दूर राजनगर त अखनो आसपास के लोक के लेल एकटा पर्यटन स्थल अछिए. नया साल मे राज कैम्पस मे एहिठाम भारी भीड़ रहैत अछि. दूर-दूर सं लोक सभ आबैत छथिन्ह.

कोनो जगह एक बेर पर्यटन मानचित्र सं जुड़ि गेल आओर अगर ओकरा बारे मे नीक सं प्रचार-प्रसार कएल गेल... नीक सं प्रमोशन भेल त ओहिठाम विदेशी पर्यटक सभ के अनाय शुरू भs जाएत अछि. फेर ओहि इलाका के लोक के रोजगार के एकटा नबका द्वार खुलि जाएत अछि. विकास फेर पाछा नहि रहैत अछि. लोक के जीवन स्तर सेहो नीक होबय लागैत अछि. मिथिलांचल के ग्रामीण पर्यटन के रूप मे सेहो बढ़ावा देल जा सकैत अछि. अहां सभ के कि लगैत अछि ? सरकार के एहि सभ के लेल कि सभ करय के जरूरत छनि ? कोन- कोन आओर क्षेत्र अछि जकरा एहि मानचित्र सं जोड़ल जा सकैत अछि ? कोन कोन चीज के बढ़ावा देबय के जरूरत अछि ?

Bookmark and Share
Add to Technorati FavoritesSubscribe to me on FriendFeed

बिहार से छीनो, बंगाल को दो...


पिछला लेख मे हम अहां के कहने छलहुं जे बिहार सं रेल इंजन निर्माणक दु टा परियोजना आब बंगाल जा सकैत अछि.
एहि पर नई दुनिया मे एकटा स्पेशल स्टोरी आएल अछि. लेख अछि ममता के एजेंडे मे बिहार से छीनो. बंगाल को दो नई दुनिया के एहि विशेष स्टोरी के अनुसार ममता बनर्जी आई-काल्हि कोलकाता मे बैसि बजट बनाबय के तैयारी मे लागल छथीह आओर एकर घोषणा आबय वाला रेल बजट मे भs सकैत अछि. एहि बारे मे एकटा खबर पहिनहुं बिजनेस के प्रतिष्टित साइट www.livemint.com मे सेहो आएल छल. आओर जखन हम एहि पर बिहार के झटका लिखलहुं त लोक सभ कहय लगलाह अहां अनेरो बात के तूल द रहल छी. अगर ई तूल देनाय छै त बैसल रहुं मुंह छिपा कs. खेलैत रहुं ताश आओर मारैत रहुं गप. ममता बनर्जी जकां नेता अहां के एहि आलस्यपन के फायदा उठा सभ प्रोजेक्ट अपना ठाम लs जएताह. तखन हाथ मलैत रहब. आबो जागु नहिं त सुतले कि आओर जागले कि वाला हाल भs जाएत. अपने जागु आओर अपन एमपी सभ के सेहो जगबिओन्हि. दूनु परियोजना कि शिफ्ट करय के खिलाफ अभियान चलाउ. अपन राय राखु... अपन विरोध जताउ.


कोसी के काज पूरा


कोसी मे पिछला साल आएल बाढ़ि के बाद जे काज होबाक छल ओकरा पूरा करि लेल गेल अछि. ई कहनाय छनि केंद्रीय जल संसाधन मंत्री पवन कुमार बंसल जीक. बंसल जीक कहनाय छनि जे कुसहा मे डेढ़ किलोमीटर के करीब जे बांध टूटल छल ओकरा बना लेल गेल अछि. एकरे संग कोसी अपन पुरान रास्ता पर आबि गेल अछि. कोसीक धार आब पुरान रास्ता पर बहि रहल अछि. पिछला साल कुसहा मे बांध टूटला सं जान-माल के भारी नुकसान भेल छल. बाढ़ि के राष्ट्रीय आपदा घोषित करि देल गेल छल. बाढ़ि के याद करि लोक अखनो सिहरि उठय छथिन्ह. सरकार के तरफ सं जे कहल जाए मुदा स्थानीय लोक के कहनाय छनि बाढ़ि सं बचाव के लोल अखनो काफी किछ करय के जरूरत अछि. धार के पानि कनिओ बढैत अछि कि लोक के धड़कन सेहो बढ़ि जाएत अछि.


बिहार के बदनाम करय मे अखबार सेहो शामिल

लागैत अछि बिहार के बदनाम करय मे पूरा दुनिया लागि गेल अछि. दुनिया भर मे कोनो घटना होए ओकरा लेल बिहार के जिम्मेदार ठहरा देल जाएत. मुम्बई मे अपराध के लेल एक बेर राज ठाकरे बिहारी भैया सभ के नाम कि लेलाह... आब हर बात पर बिहार के नाम ल गरिअनाय फैशन जकां बनि गेल अछि. दिल्ली के मुख्यमंत्री सेहो एक बेर कहने छलीह जे दिल्ली के कानून व्यवस्था खराब करय लेल बाहरी लोक जिम्मेदार अछि. बाहरी सं हुनकर तात्पर्य बिहारे सं छल. महाराष्ट्र होए... दिल्ली होए... पंजाब होए.. असम होए... बंगाल होए हर जगह आब कोनो खऱाब चीज होएत अछि त ओकरा लेल बिहार के दोषी ठहरा लेल जाएत अछि.

पहिने बिहार के बदनाम करय मे राजनेता के राजनीतिक हित जुड़ल छलन्हि ओ वोट बैंक के लेल दस तरह सं लोक के उकसाबैत छलिन्ह. मुदा जे ताजा मामला सामने आएल अछि ओ बुद्धिजीवी वर्ग सं अछि. अखबार के सम्पादकीय विभाग सं अछि . भोपाल सं प्रकाशित देश के एकटा प्रतिष्ठित अखबार अछि दैनिक भास्कर. दैनिक भास्कर के राज्य सम्पादक छथिन्ह अभिलाष खांडेकर. हुनकर एकटा सम्पादकीय निकलल भोपाल को बिहार होने से बचाएं. खांडेकर जी ई लेख भोपाल मे कार मे भेल गैंगरेप के बाद लिखलखिन्ह. एहि लेख मे ओ एक तरह से बिहार के गाड़िए देने छथिन्ह. खुब हो हल्ला भेलाह पर आओर प्रबंधन के कइटा फोन गेलाह के बाद पेपर त नहिं मुदा साउट पर बिहार के जगह पर जंगलराज करि देल गेल अछि.

असल मे बिहार के लोक... छात्र अपन प्रतिभा के बल पर... अपन योग्यता के बल पर... अपन स्कील... क्षमता के बल पर पूरा देश मे छाएल जा रहल छथिन्ह. मेडिकल... इंजीनियरिंग... आईटी... बैंक... एसएससी... रेलवे... लोकसेवा कोनो परीक्षा होए बिहारी छात्र सभठाम अपन परचम लहरा रहल छथिन्ह. कइ ठाम त एहन भ रहल अछि जे आधा सं बेसि सफल विद्यार्थी बिहार सं रहय छथिन्ह . एहन मे ओहिठाम के लोक के लगय छनि जे अगर ई पास भ गेल त हमर अपन भाई-भतीजा के नौकरी नहि मिलत, जे ओतक समर्थ नहिं रहय छथिन्ह. जहिआ तक अनुशंसा पर होएत छल.... बिना परीक्षा लेने नौकरी देल जाएत छल तखन त ओ अपन भाई- भतीजा के ओहिना नौकरी द दैत छलखिन्ह मुदा आब जखन योग्यता परीक्षा सं होएत अछि... ओहि मे ओ पिछड़ि जाएत छथि आओर एकरा लेल बिहार के गड़िआबैत छथिन्ह. बिहारी विद्यार्थी ओना शांत होएत छथि. सभ किछ शांति सं करय चाहैत छथिन्ह. मुदा दोसर राज्य के लोक सभ हो हल्ला क हिनका होत्साहित करय चाहैत छथिन्ह. मराठी... बंगाली... पंजाबी के नाम पर अपन अस्तित्व बचाबय चाहैय छथिन्ह. जोर सं बोलि मामला के भटकाबय चाहैय छथिन्ह.

अखबार के सम्पादक के एहि मामला पर बिहार के लोक के कड़ा विरोध जतएबाक चाही ओर प्रबंधन पर ई दबाव बनाएबाक चाही जे ओ सम्पादक महोदय पर उचित कार्रवाई करय. सम्पादकीय सं सिर्फ बिहार के नाम हटा जंगलराज करला सं मामला नहिं खत्म भ जाएत अछि. ई सम्पादक महोदय के मानसिकता के देखाबैत अछि. अगर हिंसा... अपहरण... कानून व्यवस्था के मामला देखल जाए त बिहार अखनो दिल्ली-एनसीआर सं कई गुना बेहतर अछि. दिल्ली-एनसीआर मे त ठीक शहर मे दिन दहाड़े बैंक लूटि लेल जाएत अछि. महिला के उठा लेल जाएत अछि. बाइकर्स के आतंक मचल अछि. पेपर क्राइम के खबर सं भरल रहैत अछि. पेपर देखिऔ कोनो दिन एहन नहि होएत जे दिल्ली – एनसीआर के फलां-फलां इलाका मे एतेक लोक के गोली मारि देल गेल... त लूटि लेल गेल. ब्लूलाइन बस के आतंक त सभ जानिते छी. देश के राजधानी होएतहुं जेना ओकरा पर कोनो कानून लागुए नहि होएत होउ, लागू केना होएत बेसि बस त नेता सभ के परिचित के छनि. दिल्ली- एनसीआर मे एकोटा ऑटो अहां के नियत भाड़ा-किराया (मीटर) पर नहि मिलत. जतय के किराया 10 टका होएत पचास मागंत. जखन दिल्ली के ई हाल त देश के सोचिए सकैत छी. कई इलाका मे त महिला बिना कोनो पुरुष के संग बाहर नहिं निकलय छथीह. एतेक खराब हाल अछि दिल्ली-एनसीआर के. नहि जानि कोन ठाम चारिटा बदमाश आएत आओर कनपटी पर भीड़ा सभ सामान छीन लेत. कानून व्यवस्था अपना सं नहिं सुधरत त बिहारी के बदनाम करताह.

मुम्बईओ के सेहे हाल छै. मुम्बई हमला के समय राज ठाकरे जैसन लोक चुप रहताह आओर छोट छिन बात पर बिहारी के जिम्मेदार ठहरएताह. मुम्बई मे बनय वाला पचास प्रतिशत फिल्म अंडरवर्ल्ड पर रहय छै कि ओ अंडरवर्ल्ड बिहारी चलाबैत अछि. अंडरवर्ल्ड केना सिर उठाबैत अछि अहां के लचर कानून व्यवस्था के कारण नहिं. आब अहां एकरो लेल बिहारे के बदनाम करु तकर त कोनो जवाबे नहि अथि न. देश के बड़का-बड़का जतेक घोटाला भेल अछि ओहि मे निन्यानबे प्रतिशत घोटाला मे बिहार के लोक के कोनो हाथ नहि अछि. मुदा अहां बदनाम करबय बिहार के.

बिहार शुरूए सं भेदभाव के शिकार होएत आएल अछि. खनिज सम्पदा मे धनी होएतहुं शोषण कएल गेल. खनिज सम्पदा बिहार ( झारखंड सहित ) मे आओर हेडक्वार्टर बंगाल... बंबई मे... दिल्ली मे. फैक्ट्री बिहार मे ओर अफसर बंगाल के. नौकरी मे अपन-अपन इलाका के लोक के भरि देलाह. बिहारी बेरोजगारे ... बेकारे रहल. माल बिहार के आओर मलाई खाय बाहर के लोक. शिक्षा... स्वास्थ्य... सड़क... रेल... रोजगार... विकास सभ क्षेत्र मे बिहार के अनदेखी कएल गेल. एहि के लेल काफी हद तक अपन बिहार के नेता सभ सेहे जिम्मेदार छथि. जे पार्टी मे अनुशासन के नाम पर चुप रहलाह आओर अपन राज्य-क्षेत्र के उपेक्षा करैत रहलाह.

मुदा जे होए ई मुद्दा पर सभ लोक के एक स्वर सं अपन विरोध जतयबाक चाही जेहि सं आगां कोइ एहन हिम्मत फेर नहिं करय. अगर एहि बेर चुप रहब त फेर बेर- बेर एहन गप सुनय लेल तैयार रहय पड़त. आबि अहां सोचि लिअ अहां कि चाहैत छी. अपन कमेंट- विचार जरूर लिखु.

बिहार के झटका...

अगर एहि खबर मे कनिओ सच्चाई अछि त ई बिहार के लेल बड़का झटका अछि. खबर अछि जे लालू प्रसाद यादव जी के रेल मंत्री रहैत बिहार के मढ़ौरा मे जे डीजल इंजन आओर मधेपुरा मे बिजली इंजन रेल कारखाना बनय वाला छल ओ आब बिहार सं बाहर जा सकैत अछि. बेसि उम्मीद अछि जे ई कारखाना वर्तमान रेलमंत्री ममता बनर्जी के राज्य पश्चिम बंगाल चलि जाय. एहि बारे मे बिजनेस के एकटा अखबारक livemint साइट पर खबर आइल अछि. ममता बनर्जी के ध्यान एकदम सं अर्जुन के आंखि जका पश्चिम बंगाल मे होए वाला अगिला विधान सभा पर लागल छनि. आओर ओ एहि बीच बेसि सं बेसि उपलब्धि अपना नाम पर जोड़ि लेबय चाहैत छथिन्ह. पिछला दिन ओ दीघा के लेल एकटा नबका ट्रेन सेहो शुरू कएलखिन्ह. प्रथा के उलट कोलकाता मे रेल मंत्री के काज शुरू कएलीह. कहिओ एहनो नहिं होए जे ओ कहथीह जे रेल मंत्रालय के हेडक्वार्टर सेहो कोलकाता ल आएल जाए. अहां सभ के याद होएत जे जखन रामविलास पासवान जी हाजीपुर मे रेल के कार्यालय बनौने छलखिन्ह त ममता बनर्जी कतेक विरोध कएने छलखिन्ह.
लोक सभा चुनाव भेलाह पर हम एकटा लेख लिखने छलहुं जे कि नीतीश के जीत बिहार के हार अछि तखन कइटा लोक कहने छलाह जे अहां क्षेत्रीयता पर जा रहल अछि आओर ई कि बकवास मुद्दा उठौने छी. जे लोक कहय छलखिन्ह जे केन्द्र मे राज्य सं किनको मंत्री रहने आ नहिं रहने कोई फर्क नहिं पड़ैत अछि. हुनका एहि सभ सं सबक लेबाक चाही. पिछला दिन सेहो एकटा खबर आएल रहय जे गया के आर्मी कोर सेंटर के एहि ठाम सं हटाक बंगलुरू ल जा रहल अछि.
सोचिऔ आखिर बिहार के संग भेदभाव कहिआ तक? अहां सभ अखनो नहि जागब त बिहार पिछड़ले रहत. अपन-अपन एमपी... प्रतिनिधि के जगाउ... हुनका राज्य के विकास के खिलाफ होए वाला फैसला के विरोध करय के लेल हुड़काबिऔ. नहि त जेना चलय छै चलय दिऔ. कोई नृप होए हमे का हानि ? कि फर्क पडय छै. कहबाको छै... मड़ुआ रोटी खाई छी... धारक पानि पिबय छी... बम बम भोले करय छी. त करैत रहु बम बम भोले. बाद मे सरकार के नहिं कोसबय.

एहि लिंक पर क्लिक कs ई खबर पढ़ि सकय छी- live mint.com

Bookmark and Share
Add to Technorati Favorites Subscribe to me on FriendFeed

पुलिस के दौड़ेलक...

दरभंगा विश्वविद्यालय थाना क्षेत्र मे बुध दिन लोक सभ पुलिस के दौड़ा देलक. असल मे अहिठाम चोरी के शक मे पुलिस एकटा ड्राइवर के पकड़ि लेलक. ड्राइवर के पकड़यला के बाद लोक सभ पुलिस के घेर लेलक. लोक सभ हाथ मे झाडू... डंडा... बर्तन लsक पुलिस पर हमला करि देलक. पुलिस कर्मी केहुना अपन जान बचा कs ओहिटाम सं पड़यलाह. लोक सभ के कहनाय छलन्हि जे पुलिस बेकसूर लोक के पकड़ि ज्यादती करि रहल अछि. लोक सभ रोड जाम करि ड्राइवर के रिहा करय के मांग करय लगलाह. पुलिस पहिने त तैयार नहिं भेल मुदा जखन हुनका सभ पर हमला भs गेलन्हि त ओ ड्राइवर के छोड़ि देलखिन्ह.
Bookmark and Share
Add to Technorati Favorites
Subscribe to me on FriendFeed

नीतीश फेर यात्रा पर

लोकसभा चुनाव मे मिलल भारी कामयाबी सं उत्साहित मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राज्य के जनता के आभार जताबय लेल धन्यवाद यात्रा पर निकलि पड़लाह अछि. सात दिन के अपन एहि यात्रा मे रोज कम सं कम तीन लोकसभा क्षेत्र मे जएताह. तीन लोकसभा क्षेत्र मे सं कोनो एकठाम हिनकर सभा सेहो होएत. धन्यवाद यात्रा के शुरूआत बुधदिन दरभंगा... मधुबनी आओर झंझारपुर लोकसभा क्षेत्र सं भेल. यात्रा के दौरान मुख्यमंत्री के संग उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी सेहो रहथिन्ह. यात्रा के पहिन दिन मुख्यमंत्री एक बेर फेर केंद्र सं बिहार के विशेष राज्य के दर्जा देबय के मांग कएलखिन्ह.
Bookmark and Share
Add to Technorati Favorites
Subscribe to me on FriendFeed

सौभाग्य मिथिला : मैथिलीक अपन चैनल

मैथिली के चौबीसों घंटा वाला अपन चैनल 18 जून सं शुरू भs रहल अछि. चैनल के नाम अछि सौभाग्य मिथिला. मिथिला... मैथिलीक लेल ई नीक खबर अछि. करीब पांच करोड़ मैथिल के लेल ई मैथिलीक पहिल मनोरंजन चैनल होएत. लाइन मे किछ आओर चैनल अछि मुदा किछ एहन पेंच... कारण अछि जेहि सं ओ ऑन एयर नहि भS रहल अछि. सौभाग्य मिथिलाक तैयारी अखन जोर-शोर सं चलि रहल अछि. चैनल के काज देख रहल छथिन्ह प्रफुल्ल कुमार मिश्रजी. प्रफुल्लजी करीब 14 साल सं टीवी सं जुड़ल छथिन्ह. आओर सौभाग्य मिथिला के धरातल पर लाबय लेल दिन-राति एक कएने छथिन्ह.
प्रफुल्ल जीक संग चैनल सं कइटा आओर अनुभवी लोक सभ जुड़ल छथिन्ह जे मिथिला... मैथिल सभ्यता... संस्कृति आओर साहित्य के लोक के बीच पहुंचाबय लेल प्रयासरत छथिन्ह. प्रिंट पत्रकारिता आओर रंगमंच सं जुड़ल कुमार शैलेन्द्र जी चैनल के प्रोग्रामिंग देख रहल छथिन्ह. उम्मीद करबाक चाही जे ओ नीक-नीक कार्यक्रम लsक अएताह. कईबेर हुनकर नाटक देखय के मौका मिलल अछि. नीक काज करय छथिन्ह.
सौभाग्य मिथिला पर भोर मे 6 बजे सं लs क राति साढ़े दस बजे धरि अहां के नबका-नबका कार्यक्रम देखायल जाएत. राति मे अहां दिनका किछ नीक कार्यक्रम के फेर से देख सकैत छी. कार्यक्रम के शुरूआत 5:55 पर पराति.. पतरा सं होएत. भोरक कार्यक्रम मे अहां भक्तिरस सं डूबल गीतक कार्यक्रम ‘फूलडालि’ ...’मैथिली मज़ा’... आधुनिक मैथिली गीतक कार्यक्रम ‘खटमिट्ठी’... प्रेमगीतक कार्यक्रम ‘सिंगरहार’... विद्यापतिक गीतक कार्यक्रम ‘भनहि विद्यापति’ आओर सभ तरहक मैथिली गीतक कार्यक्रम ‘रमन-चमन’ देखि सकय छी. सांझ मे मैथिली एलबमक गीत वाला कार्यक्रम होएत ‘मैथिली मिक्स मसाला’. सौभाग्य मिथिला ओना त अछि मैथिली चैनल मुदा एहि पर शुरू मे एक घंटाक भोजपुरी कार्यक्रम ‘भोजपुरी मिक्स मसाला’ सेहो होएत. किछ दिन के बाद मगही मे कार्यक्रम शुरू करय के सेहो विचार छनि. चैनल मे चंदा झाजीक रामायण... मैथिली गीतनाद आओर कइटा दोसर कार्यक्रम पर काज चलि रहल अछि. शैलेन्द्र जीक एकटा हंसी वाला कार्यक्रम ‘डियर भावज’ सेहो रहत. किछ दिन बाद ‘अंग्रेजी कका’... ‘सास-पुतोहु’ ओर ‘अटकन-भटकन’ नामक कार्यक्रम देखय लेल मिलत.
एकटा नबका प्रयोग ई रहत जे अहांके सांझ के कार्यक्रम मे गाम-घर मे जे महिला सभ गीत गाबय छथिन्ह बिना कोनो बैकग्राउंड म्यूजिक के... सेहो सुनय लेल मिलत ‘गीतनाद’ मे. एकरे संग ‘महेशवाणी’... ‘जय अंबेगौरी’ आओर गामघरक ‘कीर्तन’ सेहो देखय-सुनय लेल मिलत.
सौभाग्य मिथिला के अखन किछ परेशानी के सेहो सामना करय पड़ि रहल अछि. चैनल आबि जाएत मुदा कतहुं दिखबे नहिं करत त कि फायदा. केबल आओर डिश पर वितरण मे फच्चर फंसि रहल छनि. केबल आओर डिश वाला किछ बेसिए पाई मांगि रहल छनि. चैनल के खर्च के एकटा बड़का हिस्सा त डिस्ट्रीब्यूशन पर चलि जाएत अछि. एकरा सुलझाबय लेल सेहो प्रयास भs रहल अछि. ओना प्रफुल्लजी केबल वाला के सेट टॉप बॉक्स फ्री देबय लेल तैयार छथिन्ह. अहां सभ के सेहो चैनल देखय लेल अपन-अपन केबल ऑपरेटर पर चैनल देखाबय लेल दबाव बनाबय पड़त. जेहि सं कि अपन गाम –घर- टोल सं हेलो मिथिला जकां जुड़ल रहि.
किछ शिकायत सेहो आएल अछि जे चैनल के अधिकारी सभ मिथिलाक नाम पर लोक सं मुफ्त मे काज कराबय चाहैत छथिन्ह. आखिर अपन भाषा-गाम-घर-टोल सं प्रेम के मतलब ई नहि अछि जे अहां हुनका सं बेगारी कराबी. मुदा एहि बारे मे जखन शैलेन्द्रजी सं बात भेल त ओ एहि सं साफ इनकार कएलखिन्ह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे इंडस्ट्री के मुताबिक ओ सभ के पेमेंट कs रहल छथिन्ह. हां ई बात सच अछि जे ओ गीत-संगीत सं जुड़ल लोक के सिर्फ टोकन मनी दs रहल छथिन्ह. आबय-जाय के खर्च द रहल छथिन्ह. किएक त हुनका सेहो चैनल के मार्फत अपन प्रचार मिलतन्हि. लोक के बीच हुनका पहुंचय के मौका मिलतन्हि. ओना एकटा गप त अछि जे कोनो नीक काज शुरू भेलाह पर दस तरहक बात सेहो उड़ैत अछि. भS सकैत अछि किछ लोक खोंच लगाबय लेल ई हल्ला उड़ाबैत होएथिन्ह. जे होय हमरा सभ के त सौभाग्य मिथिलाक इंतजार अछि. चैनल के किछ नीक लोक के सेहो जरूरत छनि . अगर अहां मैथिली मे काज करय चाहैत छी त सम्पर्क के पता अछि-
सौभाग्य मिथिला
ए-6/1, मायापुरी फेज -1
नई दिल्ली-110064
फोन- +91-99905-94444.

सहरसा मे हुड्डा

सहरसा मे सोनबरसा के शाहपुर मे हरियाणा के मुख्यमंत्री भूपिंदर सिंह हुड्डा सोम दिन 149 टा घर लोक के सौंपलखिन्ह. ई सभ घर शाहपुर के मुसहरी टोल मे बनाएल गेल अछि. पिछला साल कोसी मे आएल बाढ़ि के बाद हरियाणा सरकार मुसहरी टोल के गोद लेने छल. ई सभ 149 टा घर हरियाणा सरकार के तरफ सं बनाएल गेल अछि. हुड्डा जी ओकरे बाढ़ि पीड़ित के सौंपए आएल छलखिन्ह. बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो हुनका संग आएल छलखिन्ह. मुसहरी के दु टोल मे करीब ड़ेढ हजार लोक रहैत छथिन्ह. मुसहरी टोल सहरसा शहर सं करीब 25-26 किलोमीटर दूर अछि. टोल सं रोड तक पहुंचय के लेल पहिने कच्ची सड़क छल जे आब पक्की भs गेल अछि. टोल मे पक्का शौचालय सेहो बनाएल गेल अछि. चौदहटा हैंडपम्प लगाएल गेल अछि. सौर ऊर्जा सं चलय वाला लाइट सेहो लगाएल गेल अछि. मुदा किछ लोक के ई आरोप छनि जे एहि मे काफी गोलमाल सेहो भेल अछि. पहिने स बनल इंदिरा आवास योजना वाला मकान के मरम्मत आओर रंग-पोइत कs नबका जकां करि देल गेल अछि. लोक के कहनाय छनि जे अखनो कइटा एहन घर अछि जकर पूरा मरम्मत नहि भेल अछि. प्लास्टर उदड़ल अछि आओर मिस्त्री सभ ओकरा ठीक करय मे लागल अछि. पूरा प्रोजेक्ट करीब डेढ़ करोड़ रूपया के अछि.


कोसी: फेर बढल धड़कन...

कोसी मे पानि बढ़य के खबर अछि. ओना अखन मानसून नहि आएल अछि. पानि अखन कम अछि. मुदा कोसी मे एको इंच पानि बढ़ल नहि कि लोक के धड़कन सेहो बढ़य लागय छनि. लोक के पिछला साल आएल भीषण बाढ़िक याद ताजा भs जाएत छनि. पिछला साल कुसहा मे बांध टूटला सं वीरपुर मधेपुरा... सहरसा... पूर्णिया... अररिया... खगड़िया मे भारी तबाही भेल छल. बाढ़िक पानि कम भेलाह के बाद बांध मरम्मत के काज शुरु भेल. मुदा अखनो मरम्मत के काज पूरा नहि कहल जा सकैत अछि. सरकार के तरफ सं कहल जाएत अछि जे सभ काज समय पर भ जाएत. मुदा लोक सभ के इहो कहनाय छनि जे नेपाल सं जे सहयोग मिलबाक चाही से नहि मिलि रहल अछि. काज मे माओवादी के कारण सेहो असर पड़ि रहल अछि. आओर पिछला साल जकां एहि साल फेर पानि आएल त फेर तबाही भs सकैत अछि.
बाढ़िक आपदा सं निपटय के जानकारी देबय के लेल राज्य आपदा प्रबंधन विभाग के ओर सं 17-18 जून के मधुबनी आओर खगड़िया मे दु दिनक बाढ़ प्रबंधन कार्यशाला लगाएल जा रहल अछि. एहि मे आपदा के स्थिति मे कि–कि करबाक चाही... कि सावधानी बरतबाक चाही...बताएल जाएत. एहि मे लोक सभ सं इहो जानल जाएत जे बाढ़ि के समय हुनका कोन-कोन समस्या के सामना करय पड़य छनि आओर ओहि सं केना नीक सं निपटल जा सकैत अछि. ओना एहि बेर कोसी के धार पर... पानि पर सैटेलाइट सं नजर राखल जा रहल अछि. सैटेलाइट सं ई पता चलैत रहत जे किम्हर पानि बेसि अछि आओर धार किम्हर बहि रहल अछि. किम्हर के लोक के सचेत करय के जरूरत अछि.
ओना एहि बेर प्रशासन के तरफ सं राहत आओर बचाब के सेहो तैयारी कएल जा रहल अछि जे कोनो आपात स्थिति मे जानमान के कम सं कम नुकसान होए. लोक सभ सेहो एहि बेर किछ बेसि सतर्क छथि. अहां सभ सेहो अपन-अपन गाम-घर...टोला-मोहल्ला के खबर एहि ठाम भेजल करू जेहि सं लोक के अहांक स्थिति हालत के सही –सही पता चलैत रहय.

कॉमन सेंस... 1

कई बेर अहां... हमरा सभ के संग एहन होए छै जे नहि होबाक चाही. बच्चा मे कइटा बात एहन छल जे घर के संग-संग स्कूल मे सेहो बताएल जाएत छल जे एना नहि करs त ओना नहि करs. जेना अपना सं बड़ के सम्मान करबाक चाही... सत्य बोलबाक चाही... चोरी नहिं करबाक... ककरो दुख नहि पहुंचयबाक चाही... लोक के मदद करबाक चाही... सड़क पर बायां कात चलबाक चाही. गंदगी नहि फैलयबाक चाही. ई सभ नैतिक शिक्षा के रूप मे सेहो पढ़ाएल जाएत छल. एहन मैनर... कॉमन सेंस के बात लोक रोज -रोज के अनुभव सं सेहो सीख लैत अछि जे कि करबाक चाही आओर कि नहि. कोन चीज लोक के पसंद आएत कोन नहि. कोन चीज करला सं लोक के सुविधा होएत आओर कोन चीज सं लोक परेशानी महसूस करताह. मुदा दिल्ली अएला के बाद रोज किछ न किछ एहन होएत अछि जे मुंह सं अनायास निकलि जाएत अछि कॉमन सेंस इज नॉट सो कॉमन. जेना चारि लोक गप करय छी ओहि मे नाक मे आंगुर करय लगलहुं. कतहुं ठाड़ भs लग्घि करय लगलहुं. दस लोक लाइन मे ठाड़ छथि आओर अहां लाइन तोड़ि सभसं आगां जा ठाड़ भ गेलहुं. एकदम चालू रोड पर पांच टा लोक गप लड़ाबैत बीच मे चलि रहल छी. हम आई सं एहि पर एकटा कड़ी शुरू कs रहल छी जेहि मे कॉमन सेंस वाला गप होएत जकरा हम-अहां रोज झेलैत छी.
एक बेर त एहन भेल जे सूचना प्रसारण मंत्रालय मे निदेशक स्तर के एकटा हमर मित्र दिल्ली सं घुमय नोएडा दिस अएलाह. सोचलाह हमरा सं मिलैत चली मुदा ओहि दिन हमर ऑफ छल. पहिने हम बुध दिन ऑफ लैत छलहुं. न्यूज चैनल मे चौबीसों घंटा काज होएत अछि एहि लेल सभ लोक अपन -अपन ऑफ अलग-अलग लैत छथिन्ह. ओ हमरा फोन कएलाह जे हम अहांक ऑफिस के बाहर ठाड़ छी आओर अहां लेल नबका साल के डायरी सेहो लेने आएल छी. हम हुनका कहलिएन्हि जे आई त हमर ऑफ अछि. जहां तक डायरी के गप अछि त हम एकटा लड़का के कहि दैत छी ओ अहां सं लs लेत. हम ऑफिस मे डेस्क पर के एकटा सहकर्मी संजीव दूबे जी के हुनका सं भेंट क डायरी ल लेबय लेल कहलिएन्हि. संजीव जी के इहो बता देलएन्हि जे ओ केहन लोक छथिन्ह आ हुनकर जे स्वागत-सत्कार होबाक चाही से कs देब. संजीव जी डायरी लs वापस न्यूज डेस्क पर चलि अएलाह. काज करय लगलाह. मुदा हमरे संग काज करय वाला एकटा छलाह संजय सिन्हा जी. ओ संजीव सं पूछलखिन्ह किनकर डायरी छनि. संजीव हमरा बारे मे बतएलखिन्ह. मुदा संजय सिन्हा ओ डायरी ल अपना तरफ सं एकटा लड़की के प्रजेंट कs देलखिन्ह. ई जानतहुं जे ई डायरी हितेंद्र जी के कोई प्रजेंट कएने छनि. अगिला दिन हमरा एहि बातक पता चलल. दुख सेहो भेल. मुंह सं अनायास निकलि गेल जे कॉमन सेंस इज नॉट सो कॉमन. संजय सिन्हा जी आई काल्हि आजतक मे छथि. ओना हम संजय जी सं कोनो शिकायत नहिं कएलिएन्हि मुदा जखन हुनकर चर्चा होएत छनि हमरा ई गप याद आबि जाएत अछि.
अहां सभ के संग सेहो जरूर एहन किछ नहिं किछ घटैत होएत. अहां ओकरा लिखि क हमरा पास भेज दिअ.

Add to Technorati Favorites Subscribe to me on FriendFeed Bookmark and Share

सौराठ सभा 24 जून सं...

शादी-विआह के लेल मिथिलाक मशहूर सौराठ सभा 24 जून सं शुरू होए वाला अछि. सौराठ सभा 2 जुलाई तक चलत. सौराठक सभागाछी मधुबनी के पास अछि. मधुबनी सं रहिका जाए के रास्ता मे. मधुबनी सं करीब 6 किलोमीटर दूर. मधुबनी सं बस... जीप... मैक्सी आ फेर रिक्शा सं सेहो जा सकय छी. दरभंगा सं एहिठाम अहां रहिका भs जयनगर जाए वाला बस... कोच सं या दरभंगा-रहिका के बीच चलय वाला मैक्सी सं जा सकय छी.
पहिने सौराठ सभा के एहि सभागाछी मे खुब रमन-चमन रहय छल. हमर गाम दरभंगा सं रहिका जाए के रास्ता मे अछि. हमरा याद अछि जे आई सं 15-20 साल पहिने धरि एहिठाम लगन भरि मेला जकां माहौल रहैत छल. दूर-दूर सं लोक आबैत छलखिन्ह. सरकारक तरफ सं विशेष रूप सं सभागाछी जाए लेल स्पेशल बस चलाएल जाएत छल. चारु कात रेशमी कुर्ता... ललका धोती... ललका पाग पहिनने... हाथ मे बेंत आओर पान चबाबैत लोक. दुनिया भर मे रहय वाला मैथिल ब्राह्मण शादी के लेल एहि ठाम आबैत छलाह. एहिठाम दूल्हा के संग हुनकर परिवार के लोक सभ आबि सभागाछी मे आमक गाछक नीचा बैसय छलाह. कन्या पक्ष के लोक सेहो आबय छलाह. वर पक्ष आओर कन्या पक्ष के बीच शास्त्र-वेद... पढ़ाई- लिखाई पर चर्चा होएत छल. जतेक पढ़ल लिखल वर... ओतेक मांग. हुनका ठाम ओतेक भीड़.
कई बेर त एकहिं वर पर कइटा कन्या पक्ष वाला लागि जाए छलाह. एहन स्थिति मे एहिठाम जोरगर लोक... पाईवाला लोक वर पक्ष के ई कहि अपना पक्ष मे करय लगलाह जे हम सुन्नर... गुणवती लड़की के संग अहां के मोटर गाड़ी... सोना-गहना... खेत... रुपया-पैसा सेहो देब. इलाका मे हमर ई दबदबा अछि त हमर ई प्रतिष्ठा अछि. हमर समांग एतेक पढ़ल-लिखल छथि त ओ फलां-फलां विभाग मे काज करैत छथि. वर पक्ष के अपना पक्ष मे करय लेल कन्या पक्ष के लोक हर संभव जतन करय लगलाह. मिथिला मे दहेज प्रथा एहिठाम सं जोर पकड़ल.
पहिने त शादी योग्य सभ वर पक्ष आओर कन्या पक्ष के लोक एतय जुटय छलखिन्ह. मुदा आब एहिठाम गिनल-चुनल लोक आबय छथिन्ह. आब त गाम-घर पर बैसले-बैसल सभ तय करि लेल जाएत अछि. कन्या के शादी योग्य होएतहिं वर के तलाश शुरू भs जाएत अछि. एहि बातक खोज शुरू भs जाएत अछि कि कोन गाम मे कोन-कोन योग्य लड़का अछि. किनकर बालक नीक पद पर काज कs रहल छथि. कोन लड़का नीक पाई कमा रहल छथि. पता लगतहिं सूत्र तलाश... नेटवर्क जोड़ि वर पक्ष के पक्ष मे करय के कोशिश कएल जाएत अछि. एहन लोक के खोजल जाएत अछि जिनकर धाक वर पक्ष पर चलैत छनि. जिनकर उपकार के बोझक तर ओ दबल रहय छथिन्ह. ओहन लोक के पकड़ि वर पक्ष पर दबाव बनाएल जाएत अछि. वर पक्ष के कर्जा- परेशानी के बारे मे पता लगाएल जाएत अछि. ई सभ पता लगला के बाद ओहिठाम सं सेहो काज बनाबय के कोशिश कएल जाएत अछि. लड़की के लेल नीक... सुयोग्य वर के तलाश ओहिना नहिं पूरा होएत अछि. वर के लेल बड़ तिकड़म करय पड़ै छै.
पहिने त सौराठ सभा मे सभ होएत छल. आब त सभ किछ तय भ गेलाह के बाद लोक सिर्फ पंजीकार सं पंजी मिलान कs विआहक अनुमति लेबय लेल पहुंचय छथिन्ह. पंजीकार ई देखय छथिन्ह जे कन्या पक्ष ओर वर पक्ष के बीच सात पुरखा तक कोनो रक्त संबंध त नहिं छनि. पंजी व्यवस्था मे मातृकुल के ओर सं पांच पीढ़ी आओर पितृकुल के सात पीढ़ी... पुरखा तक खून के रिश्ता के देखल जाएत अछि. अगर एहि बीच मे कोनो संबंध निकलि जाएत अछि त फेर विआह नहि होएत अछि. रक्त संबंध निकलि गेलाह पर विआहक संबंध नहि जोड़ल जाएत अछि.
सौराठ सभा के चमक कम होए के एकटा कारण दहेज विरोधी आंदोलन के सेहो अछि. पिछला किछ साल सं एहिठाम दहेज विरोधी आंदोलन सं जुड़ल लोक सभ सेहो अपन झंडा-बैनर ल पहुंचि जाए छथिन्ह. ओ सभ लोक के दहेज के विरोध मे जागरूक करय छथिन्ह. बताबय छथिन्ह जे दहेज पढ़ल-लिखल... शिक्षित समाज के लेल कलंक अछि. असल मे दुनिया भर मे लोक सौराठ सभागाछी के दूल्हा बाजार नाम सं सेहो जानैत अछि. नौकरी के हिसाब सं दूल्हा... वरक कीमत लगाएल जाएत अछि. आईएएस... आईपीएस... एलाएड... बैंक... एसएससी... टीचर आओर कर्मचारी सभ के अलग-अलग रेट. शादी तय भेलाह के बाद गाम मे चर्चा सेहो होएत रहय छल छल जे फलां के एतेक पाई मिललन्हि... त फलां के विआह एतेक पाई मे तय भ गेल. ओना किछ लोक पर दहेज विरोधी आंदोलन के असर सेहो छनि. ओ आदर्श विआह पर जोर दैत छथिन्ह. एहन होबाको चाही.

प्यास


Bookmark and Share
Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites

हमर गाम छूटि गेल, पेट भरवाक लेल।

भूख लागल अछी एखनहुँ, उमरि बीत गेल।।

नौकरी की भेटल अपनापन छूटल।

नेह डूबल वचन केर आशा टूटल।

दोस्त यार कतऽ गेल, नव लोक अपन भेल।

रही गाम केर बुधियार, एतऽ बलेल।

हमर गाम छूटि गेल, पेट भरवाक लेल।

भूख लागल अछी एखनहुँ, उमरि बीत गेल।।

आयल पाबैन तिहार गाम जाय के विचार।

घर मे चर्चा जे केलहुँ भेटल फटकार।

नहि नीक कुनु रेल, रहय लोक ठेलम ठेल।

कनिया कहली जाऊ असगर, बन्द करू खेल।

हमर गाम छूटि गेल, पेट भरवाक लेल।

भूख लागल अछी एखनहुँ, उमरि बीत गेल।।

की कहू मन के बात छी पड़ल काते कात।

लागल छाती पर आबि कियो राखि देलक लात।

घर लागय अछि जेल, मुदा करब नहि फेल।

नया रस्ता निकालत, सुमन ढ़हलेल।।

हमर गाम छूटि गेल, पेट भरवाक लेल।

भूख लागल अछी एखनहुँ, उमरि बीत गेल।।

-श्यामल सुमन, जमशेदपुर



TwitIMG

Webmasters Make $$$

आत्मदर्शन


Bookmark and Share
Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites


ठोकलहुँ पीठ अपन अपने सँ, बूझलहुँ हम होशियार।

लेकिन सच कि एखनहुँ हम छी, बेबश आउर लाचार।

यौ मैथिल जागू करू विचार। यौ मैथिल सुनि लिय हमर पुकार।।

गाम जिला के मोह नहि छूटल, नहि बनि सकलहुँ हम मैथिल।

मंडन के खंडन केलहुँ , बिसरि गेल छी कवि-कोकिल।

कानि रहल छथि नित्य अयाची, छूटल सब व्यवहार।

बेटीक बापक रस निकालू, छथि सुन्दर कुसियार।

यौ मैथिल जागू करू विचार। यौ मैथिल सुनि लिय हमर पुकार।।

मिथिलावासी बड़ तेजस्वी, इहो बात अछि जग जाहिर।

टाँग भीचै मे अपन लोक के, एखनहुँ हम छी बड़ माहिर।

छटपट मोन करय किछु बाजी, सुनबालय क्यो नहि तैयार।

मुखिया नहि मानथि समाज मे, एक सँ एक बुधियार।

यौ मैथिल जागू करू विचार। यौ मैथिल सुनि लिय हमर पुकार।।

"संघे शक्ति कलियुगे" केर, कतेक बेर सुनलहुँ हम बात।

ढ़ंगक संघ बनल नहि एखनहुँ, हम छी बिल्कुल काते कात।

सुमन हाथ लय बिहुँसल मुँह सँ, स्वागत सत्कार।

हृदय के भीतर राति अन्हरिया, चेहरा पर भिनसार।

यौ मैथिल जागू करू विचार। यौ मैथिल सुनि लिय हमर पुकार।।

-श्यामल सुमन, जमशेदपुर



TwitIMG

Webmasters Make $$$

बेटी


Bookmark and Share
Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites

माँगू दहेज भरमार यौ,

चलू बड़का कहाबी।।


भेटल पड़ोसी कय जे किछु दहेज।

रखला एखन तक सबटा सहेज।

कम नहि करब स्वीकार यौ।

चलू बड़का कहाबी।।

बेटा अपन छी बेटी छी आन।

नहि दऽ सकै छी बेटी लऽ प्राण।

दुनियाँ बनल व्यापार यौ।

चलू बड़का कहाबी।।

बेटा आ बेटी के अन्तर मेटाबू।

बेटी जनम लियै थपड़ी बजाबू।

बेटी सुमन श्रृंगार यौ।

चलू बड़का कहाबी।।

-श्यामल सुमन, जमशेदपुर



TwitIMG

Webmasters Make $$$

बिहार के संग फेर भेदभाव ?


Bookmark and Share
Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favoritesकेंद्र सरकार के तरफ सं बिहार के संग फेर पक्षपात कएल गेल. बिहार के गया स्थित ऑर्मी सर्विस कोर सेंटर ( ASC ) के बंगलुरु शिफ्ट कएल जा रहल अछि. जखन कि बंगलुरु मे डिफेंस के कइटा यूनिट पहिले सं मौजूद अछि. ई सभ रक्षा मंत्रालय के ओर सं भs रहल अछि. अखन देश के रक्षा मंत्री छथिन्ह ए के एंटोनी जी. एंटोनी जी कर्नाटक के पड़ोसी राज्य केरल के मुख्यमंत्री रहि चुकल छथिन्ह. आओर अखन के केंद्रीय मंत्रिमंडल मे बिहार प्रतिनिधित्व सिफर अछि.
बिहार के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि मामला पर अपन कड़ा नाराजगी जतबैत एकटा पत्र रक्षा मंत्री के लिखलखिन्ह अ. पत्र मे ओ कहलखिन्ह अ जे गया ASC सेंटर के एहिठाम सं बंगलुरु शिफ्ट करनाय राज्य के लोक के संग नाइंसाफी होएत. एहि सेंटर सं इलाका के हजारों लोक के रोजी-रोटी जुड़ल अछि. रोजगार मिलि रहल अछि. एकरा एहिठाम सं गेलाह सं ओ सभ सड़क पर आबि जएताह. रक्षा मंत्री के लिखल अपन पत्र मे मुख्यमंत्री इहो कहलथिन्ह अ जे बिहार बाढ़ि आओर भूकम्प प्रभावित जोन मे आबैत अछि. आओर गया मे एएससी सेंटर के रहला सं लोक के कोनो आपदा के समय मे तुरंत राहत मिलय के उम्मीद बनल रहैत अछि. सेंटर के हटला सं बिहार एहि सुविधा सं सेहो वंचित भs जाएत.
बिहार मे अखन सेना के मात्र दु टा केंद्र अछि. दानापुर मे सब एरिया हेडक्वार्टर आओर गया मे एएससी सेंटर. गया मे अखन जे ई सेंटर अछि ओ करीब 600 एकड़ मे फैलल अछि. रक्षा मंत्रालय एकरा एहि ठाम सं हटा बंगलुरु लs जाए चाहैत अछि. मुदा होहल्ला सं बचल लेल एकटा झुनझुना सेहो थमाएल जा रहल अछि. सरकार एहिठाम ऑफिसर्स ट्रेनिंग एकेडमी ( OTA ) बनाबय चाहैत अछि. ओटीए मे शॉर्ट सर्विस कमीशन ऑफिसर्स के प्रशिक्षण देल जाएत. चेन्नई ओटीए के बाद ई देश के दोसर ओटीए संस्थान होएत जतय ऑफिसर्स के प्रशिक्षण देल जाएत. ओना इंडियन मिलिटरी एकेडमी देहरादून मे सेहो ऑफिसर सभ के ट्रेनिंग देल जाएत अछि. अगर देहरादून के देखल जाए त ई देश के तेसर संस्थान होएत. मुदा एकर मतलब ई नहिं जे पहिने सं जे सेंटर अछि ओकरा हटा क दोसर ठाम लs जाएल जाए. सेंटर गया मे बनल रहय एकरा लेल सभ पार्टी के प्रतिनिधित्व के मिलिजुलि कs केंद्र सरकार के पास उठयबाक चाही. बिहार के संग अखन धरि बड़ नाइंसाफी भेल अछि. आब लोक के एकरा सभ के खिलाफ आवाज उठाबय पड़त. अपन आवाज बुलंद करय पड़त. अपन-अपन इलाका के सांसद... राज्यसभा सांसद के जगाबय पड़त जे आबो उठु... पार्टी पॉलिटिक्स के छोड़ि राज्य विकास के लेल एक होउ. आब बैसि कs राजनीति कएला सं काज नहिं चलत. दौड़-धूप करु. अहां सभ के कि लगैत अछि. अखन धरि जे बिहार के संग होएत आबैत रहल अछि ओ आगां सेहो होएत रहय ? अगर नहिं त देखैत कि छी अपन-अपन एमपी पर दबाव बनाउ. अगर से नहिं कs सकय छी त कम सं कम अपन बिचार त एहि ठाम राखिए सकय छी नहि . कि सेहो नहि ?



TwitIMG

Webmasters Make $$$

बिहार के फेर अपमान


Bookmark and Share
Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites

महाराष्ट्र मे एक बेर फेर बिहार के अपमान भेल अछि. पुणे के एकटा लॉ इंस्टीच्यूट मे इंटरव्यू के लेल गेल छात्र के बिहारी कहि के बुलाएल गेल. बिहारी कहि क बुलाबय वाला कोनो अनपढ़ ओर गंवार लोक नहिं छलाह. बिहारी बुलाबय वाला छलाह इंटरव्यू बोर्ड के सदस्य. एतबा नहिं इंटरव्यू बोर्ड के सदस्य बिहारी के ताना देबय के संग हिनका संग के इहो कहलाह जे आबि गेलाह क्राइम प्रदेश के निवासी. एडमिशन के लेल बिहार सं संस्थान मे इंटरव्यू देबय लेल गेल छात्र के अपमानित कएल गेल. ई वाक्या रोड पर चलैत आ एम्हर-ओम्हर नहिं भेल अछि. वाक्या भेल अ देश के सम्मानित लॉ इंस्टीच्यूट मे.
ई घटना के खबर मिलला के बाद सं लोक सन्न छथि. अहां सोचि सकय छी जे इंटरव्यू बोर्ड के लोक के केहन मानसिकता अछि. लॉ के माध्यम सं ओ लोक के न्याय... सामाजिक समरसता के प्रयास कि करथिन्ह ? ओ त समाज मे जहर घोलय के काज कs रहल छथि. एकर जतेक निंदा कएल जाए कम होएत. इंटरव्यू के एहन सदस्य के खिलाफ कार्रवाई करैत महाराष्ट्र सरकार के तुरंत एहन लोक के बाहर के रास्ता देखयबाक चाही. एहन लोक समाज के लेल कलंक अछि जे समाज के... देश के बांटय के कोशिश क रहल छथि. लोक राज ठाकरे के कहैत छल. मुदा एहन पढ़ल- लिखल लोक... देश के दिशा देय वाला लोक त आओर खतरनाक अछि देश के विकास के रास्ता मे. एहन लोक के सख्त सं सख्त सजा देबय के जरूरत छै जाही सं दोसर लोक एहि तरहक हिम्मत नहिं क सकय.
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एहि मामला के गंभीरता सं लैत केंद्रीय गृह मंत्री आओर महाराष्ट्र के मुख्यमंत्री के पत्र भेजलखिन्ह अ. अपन पत्र मे नीतीश जी कहलथिन्ह अ कि बिहारी छात्र सभ के सुरक्षा के लsक कठोर कदम उठाबय के जरूरत अछि. नीतीश जी इहो कहलखिन्ह जे लॉ इंस्टीट्यूट मे बिहार के छात्र सं आपत्तिजनक सवाल पूछल जा रहल अछि. छात्र के इंटरव्यू बोर्ड के बिहारी विरोधी रुख के सामना करय पड़ि रहल अछि. इंटरव्यू के दौरान बिहारी छात्र सभ के कहल गेल जे बिहार क्राइमक कैपिटल अछि आओर बिहारी एहिठाम क्राइम करय लेल आबैत अछि. अपन चिट्ठी मे मुख्यमंत्री लिखलखिन्ह अ जे एहि सं बिहार के लोक के भावना के बड़का आघात पहुंचल अछि. महाराष्ट्र मे बिहारी छात्र आओर मजदूर के लगातार परेशान करनाय चिंता के बात अछि.
मुदा कि करबय पिछला बेर जखन बिहारी छात्र सभ के मुम्बई... महाराष्ट्र मे मारल-पीटल गेल छल तखनो कांग्रेसे के सरकार छल केंद्र ओर राज्य दुनु ठाम... आओर अखनो दुनु ठाम कांग्रेसे के सरकार अछि. कांग्रेस सरकार बिहारी मामला पर अनठिआबय वाला मानसिकता राखैत अछि. मामला के टालय वाला रूख राखैत अछि. राज ठाकरे मामला पर सेहो अनठिआबैत-अनठिबैत हीरो बना देलक. अगर कांग्रेर सरकार के एहि मामला पर कनिओ संजीदा रहैत त अखन धरि इंटरव्यू बोर्ड के सदस्य के हटा देल गेल रहैत. मुदा केंद्र सरकार सेहो जेना जख्म पर नूने मलय के काज करैत अछि.
आखिर बिहार के मेहनती... लगनशील... तेजतर्रार... हरफनमौला लोक के खिलाफ कहिआ तक ई सभ होएत रहत ? सरकार कोनो मामला के शुरूए मे गंभीरता सं किएक नहिं लैत अछि ? कि ऑस्ट्रेलिया...कनाडा मे जेना भारतीय छात्र के संग भs रहल अछि ओ भारत के दोसर राज्य मे बिहारी के संग होएत रहत कि ? ई सभ कहिआ तक चलैत रहत ?


TwitIMG

Webmasters Make $$$

लॉटरी- ईनाम वाला ईमेल सं बचि कs...

Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites

आई-काल्हि लोक सभ के पास ईमेल पर एहन–एहन मेल आबि रहल अछि जकरा हुनका सं कोनो
ताल्लुके नहिं रहय छनि... मुदा निशाना हुनके बनाएल गेल रहय छनि. भने अहां कोनो
प्रतियोगिता... क्विज मे लाग लेने होए आ नहिं. मुदा अहांक से पास जे मेल आएत ओहि
मे अहां के बताएल जाएत कि अहां फलां लॉटरी आ ईनाम जीतलौं अ. अहां भने कोनो
नौकरी के लेल फॉर्म भरने होए आ नहिं मुदा अहां के नौकरी के ऑफर मिलत... विदेश
मे नौकरी के चुनल जाए के पत्र मिलत. विदेश मे कोई होए आ नहिं अहां के पास मेल
आएत जे फलां आदमी मरला के बाद अहांक लेल एतेक धन-संपत्ति छोड़ि गेलाह अछि...
अपन वसीयत अहांक नाम पर करि गेलाह अ. कई बेर त एहन मेल आएत जे हम मुश्किल मे
छी... होटल... टैक्सी... गाड़ी-घोड़ा के बिल चुकाबय के लेल पाय नहिं अछि. मदद करु. कई
बेर बैंक के ओर सं सेहो मेल रहैत अछि जेहि मे अहां के बैंक के जानकारी के अपडेट
करय के कहल जाएत अछि. पासवर्ड बताबय लेल कहल जाएत अछि.
ईमेल के आखिर मे बीमा भुगतान... सीमा शुल्क भुगतान...
कुरियर... पुलिस अधिकारी के रिश्वत देबय के लेल... वीजा आओर दोसर शुल्क के
लेल... मदद के लेल पाई मांगल जाएत अछि. ओ अहां सं पता...फोन नम्बर के संग बैंक
खाता के जानकारी सेहो मांगत. कई तरहक शुल्क के लेल ओ अहां के अपन खाता मे पाई
जमा करय लेल कहत. गुमराह करय वाला ईमेल के जाल मे नहिं फंसु. एहन तरह के कोनो
मेल आबय त सभसं पहिने त ओकरा स्पैम रिपोर्ट क दिऔ. फेर ओहि तरहक मेल अनाय नहिं
रुकैत अछि त ओकर सूचना पुलिस के देल करु. दिल्ली मे त अहां एहि तरहक मेल के खबर
100 ओर 1090 नंबर पर फोन क सेहो द सकय छी. कनि धन के लोभ मे अहां अपन जीवन भर
के कमाई गवां सकय छी. एहन ईमेल सं बचि के रहब.


TwitIMG

Webmasters Make $$$

नहिं मिलला कालीदास...

एकटा लड़का सं गप्प भs रहल छल. गप्प साहित्य... उपन्यास... कहानीक किताब पर भs रहल छल. ओ कइटा लेखक सभ के बारे मे बताबय लगलाह. प्रेम कथा पर सेहो गप्प भेल. हम हुनका सं पुछलिएन्हि जे कालीदास के पढ़ने छी कि नहिं. ओ कहलाह नहिं. हम कहलिएन्हि हम अहांक के हुनकर किछ किताब गिफ्ट करब. अहां हुनका पढ़ि लेब. प्रेम... परिणय... श्रृंगार पर हुनकर किताब के कोनो तुलना नहिं अछि. बेसि त नहिं मुदा जतेक किताब अखन धरि पढलहुं... जे बात हुनकर किताब मे अछि दोसर ठाम कतहुं नहिं मिलल. गप्प खत्म भेलाह के बाद सोचलहुं जे किताब खरीदे लेल जाय. पास के दोकान मे किताब नहिं मिलल. चलि गेलहुं नोएडा के सेक्टर 18 मार्केट आओऱ अट्टा बाजार. डेल्टा... गलगोटिया कइटा दोकान मे गेलहुं. कालीदास जीक अभिज्ञान शाकुंतलम... मेघदूत... ऋतुसंहार... रघुवंशम आओर कुमारसंभवम मे सं कोनो किताब नहिं मिलल. पांच-सात टा किताबक दोकान मे गेलहुं मुदा सभ ठाम जेना हिंदी... संस्कृतक किताब सं एलर्जी होए. एक त दोकानदार दोसर दोकान मे किताब खरीदय वाला लोक सभ सेहो हमरा एना घुरय लगलाह जेना कोनो दोसर ग्रहक प्राणी होय. दिल्ली...नोएडा जकां बड़का शहर मे त हिंदी... संस्कृतक किताब किछ खासे जगह पर मिलि सकैत अछि. आई- काल्हि सभ दोकान मे अहां के अंग्रेजीए के किताब... पत्र-पत्रिका सभ देखय लेल मिलत. दिल्ली मे दक्षिण मे जेएनयू के इलाका...आओर उत्तर मे दिल्ली विश्वविद्यालय के इलाका मे... नई सड़क ... दरियागंज मे खोजला पर किछ दोकान मे अहां के हिंदी के किताब मिलि सकैत अछि. मुदा अगर अहां कोनो पॉश कॉलोनी... वीआईपी इलाका दिस रहैत छी त ओहि ठाम हिन्दी के किताब खोजलो पर नहिं मिलत.
मन मारि कs घर वापस आबि गेलहुं. आब किनको सं कहि कs मंगायब पड़त. नहिं त कहिओ दरियागंज...नई सड़क दिस जाए के मौका मिलत त खरीदब. मुदा एहि सं पता चलैत अछि जे देश मे हिंदी...संस्कृत के कि हाल भs रहल अछि. शहर सभ मे स्कूल- कॉलेज मे पढ़ाई-लिखाई अंग्रेजीए मे भs रहल अछि. किछ दिन के बाद एहन भs जाएत जे बच्चा सभ के हिंदी पढ़ाबय लेल मनोहर पोथी सेहो खोजने नहिं मिलत.


Bookmark and Share
Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites



TwitIMG

Webmasters Make $$$

हेलो मिथिला पर अहांक विचार

अहां सभ के हमर नमस्कार. हेलो मिथिला पर अहां सभक सुझाव...विचार...कमेंट मिलैत रहैत अछि. ओ हमरा लेल बड़ काजक रहैत अछि. एहि बहाने अहां सभक प्यार मिलैत रहैत अछि. मुदा पिछला दिन ब्लॉग के सेटिंग गड़बड़ भs गेलाह के कारण अहां सभ हेलो मिथिला पर कमेंट नहिं दs पा रहल छलहुं. एहि के कारण अहां सभ के जे परेशानी भेल ओकरा लेल खेद अछि. ओना परेशानी दूर करय के कोशिश करलौं मुदा अहां के लागय जे अखन आओर किछ करय के जरूरत अछि त हमरा जरूर बतायब. अहांक विचार हमरा लेल बड़ मायने रखैत अछि. हेलो मिथिलाक सुधार के लेल अहां सभक विचार अनमोल होएत अछि. उम्मीद अछि अहांक सहयोग मिलैत रहत.
धन्यवाद.
अहांक
हितेंद्र कुमार गुप्ता
+91-9873606696

Bookmark and Share
Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites



TwitIMG

Webmasters Make $$$

स्वर्गारोहण अर्थात लोकतंत्रीय मुक्ति

तीन दिन पूर्व अपन निकटतम मित्र घनश्याम बाबू केर दुर्घटना मे मृत्यु भेलाक पश्चात आय गजानन बाबू चौपाल मे बैसल उदास रहथि। योग्य रहलाक बादो एक प्राइवेट स्कूल मे कम वेतन पर नौकरी करब घनश्याम बाबूक विवशता छल कियैक तऽ घर मे वृद्ध माता, पत्नी, विवाहक योग्य पुत्रीक अतिरिक्त शिक्षारत पुत्रक भरण पोषणक भार हुनके कमाय पर। आय पूरा परिवारे बेसहारा भऽ गेल। एहेन घटना तऽ ककरो वास्ते दुखद होइते छैक लेकिन गजानन बाबूक दुख ताहि सँ बेसी बुझना जाइत अछि। जखन चौपालक लोक सब आग्रह करैत खोदि खोदि पुछलखिन्ह, तकर बाद पता चलल हुनक दुखक असली कारण।
दुर्घटनाक बाद घायल घनश्याम बाबू केँ अस्पताल आनल गेल आ डाक्टर देखतहिं मृत घोषित कऽ देलक। पुत्रक बाहर रहबाक कारणें अंतिम संस्कार तत्काल सम्भव नहि छल। गजानन बाबू आर लोक सब सँ विचार कय लाश केँ शीत गृह मे रखबाक प्रबंध करय लगलाह। लेकिन सरकारी अस्पताल - सीधा सीधी बिना घूसक एको डेग चलब मुश्किल। शीत-गृहक कर्मचारी बाजल - "जगह नहीं है"। गजानन बाबू स्थिति सँ उत्पन्न सम्वेदना देखबैत, अपन सब ज्ञान, अनुभव लगाकऽ थाकि गेलाह किन्तु शीत-गृह कर्मी अपन राग बजबैत रहल जे - "जगह नहीं है"। गजानन बाबू परेशन छलाह। ताबत सरकारी तंत्रक मौन संकेत बुझनिहार एक नवयुवक आबि कर्मचारीक हाथ मे एकटा नमरी थमाबैत कहलखिन्ह - "अब तो जगह है न"? तत्काले जगह भेट गेल। लाश राखल गेल। काज भेलाक पश्चातो गजानन बाबू दुखी छलाह।
अगिला दिन पुत्रक आगमनक बाद पोस्टमार्टमक तैयारी होमय लागल। अस्पताल मे एम्बुलेन्सक सुविधा सेहो छल। जहिना आजुक समय मे सरकारी गाड़ी सँ सरकारक काज छोड़ि शेष सब काज होइत अछि तहिना अस्पताल केर प्रबंधकक घर मे प्रबंध करवाक हेतु एम्बुलेन्सक सार्थक उपयोग भऽ रहल छल। प्रबंधकक नाम पर अपन घरक प्रबंध करवा मे ड्रावर साहेब सेहो संकोच नहि करथि। एम्बुलेन्सक कारणे देरी होमय लाग। एम्बुलेन्स आयल आओर ड्राइवर साहेब आबतहिं बजलाह - " अभी हम तुरत आये हैं, एक घण्टे के बाद दूसरे शिफ्ट का आदमी जायगा"। एतबा सुनतहि फेर शीत-गृह मे काज आयल वो योग्य आधुनिक युवक अपन चमत्कार देखौलन्हि। पचास टाकाक एकटा नोट ड्राइवर साहेब कें दैत बजलाह -"अब चलिए"। ड्राइवर तत्काल तैयार भऽ गेल।
गजानन बाबू मित्रक विछोह, मित्रक परिवारक भबिष्यक चिन्ता सँ तऽ चिन्तिते छलाह, ऊपर सँ ई सब देख भीतरे भीतर छटपटावैत रहलाह जे नैतिकता, ईमानदारी कतऽ चलि गेल। पोस्टमार्टम हाऊस मे सेहो भीड़ छल। बेसी आत्महत्या आओर बेसी दुर्घटना हमरा लोकतंत्रक बिशिष्ट बिशेषता अछि। किनारा जाऽ कऽ जखन सरकारी करमचारी सँ जानकारी लेबाक कोशिश भेल तऽ वो असंवेदनशील प्राणी बाजल - "ये भीड़ तो आप देख ही रहे हैं। सब इसी काम के लिए आया है। कोई राशन या वोट की लाइन तो है नहीं। और मेरे दो ही हाथ हैं। आपका नम्बर जब आयगा तब देखेंगे"। लोक सब अनुमान करय लगलाह तऽ चारि घण्टासँ कम केर मामला नहि छल। ताबत धरि तऽ राति भ् जायत। सबकेँ चिन्तित देख पुनः वो योग्य युवकक योग्यताक काज उपस्थित भेल। येन-केन-प्रकारेण पाँच टा नमरी पर बात फरियायल आओर मरलाक बादो लाइन तोड़ि कऽ घनश्याम बाबूक लाश केँ पोस्टमार्टम हाऊस सँ मुक्त कराओल गेल। गजानन बाबूक नैतिक शिक्षा, ज्ञान, अनुभव सबटा राखले रहि गेल। ककरा चिन्ता अछि जे मृतकक परिवार पर कतेक संकट आयल अछि। अपन वेतनक अतिरिक्त बेसी सँ बेसी आमदनी करब सरकारी सेवकक युगधर्म अछि। एहि युगधर्मक पालन सरकारी सेवकगण अबाध गति सँ सम्पूर्ण देश मे कऽ रहल छथि। एहि क्रम मे पुलिस केँ सेहो यथायोग्य दक्षिणा देबय पड़ल।
थाकल हारल मृतकक स्वजन परिजन समेत गजानन बाबू श्मशान घाट एलाह। सब जगह सँ बेसी भयावह दृश्य छल। ओहनहियो श्मशान तऽ भयावह होइते छैक। किन्तु जे भयावहता लोक सब कें देखऽ पड़लन्हि वो आओर भयावह छल। जगहक वास्तें, लकड़ीक वास्तें, अस्थि कलश रखबाक हेतु एतय तक कि मृतकक मृत्यु प्रमाण पत्रक वास्तें सेहो, सब जगह नियुक्त कर्मचारीक नियमित काजक बदला मे अनियमित रूप सँ
यथायोग्य टाका खर्च करय पड़लन्हि। एवम प्रकारें घनश्याम बाबू वर्तमान लोकतंत्रीय पद्धतिक जाल सँ मुक्त भऽ स्वर्गारोहण केलाह। गजानन बाबू सोचि सोचि भावुक एवं चिन्तित छलाह संगहि एक यक्ष प्रश्न सेहो ठाढ़ छल जे घनश्याम बाबू तऽ कहुना लोकतंत्रीय मुक्ति पाबि स्वर्गारोहण केलाह किन्तु हमर मुक्ति केर कोन रास्ता निकलत? हमर स्वर्गारोहण भऽ सकत की नहि?

-श्यामल सुमन, जमशेदपुर

Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed

Add to Technorati Favorites




TwitIMG

Webmasters Make $$$


हमर बिआह - 4

फोटो देखला के बाद आब मिलय लेल मन बेचैन होबय लागल. लागैत छल 10 दिन बाद आबय वाला जन्मदिन अखने आबि जाय. घुरि-फिर के आबि आ लिफाफा सं फोटो निकालि निहारय लागि. किएक कतहुं आओर मन लागत. हमर मनक स्थिति देख डेरा के पास रहय वाला गामक एकटा लड़का के पता चलि गेल जे अगुआ सभ डायरेक्ट हिनके पास ठमकि गेल छलन्हि. बिआहक गप्प चलि रहल छनि. ओकरा पता चलिते दिल्ली मे गाम के रहय वाला सभ हमतुरिया दोस सभ के कानों-कान खबर भ गेलन्हि.
हमर गाम के आबादी के हिसाब सं देखल जाय त रोड कात मे गुप्ताजी सभ आओर बाकी मे कायस्थ...ब्राह्मणक बेसि आबादी छन्हि. लालाजी सभ के बेसि आबादी होबाक कारणे सभ एक-दोसरा के नाम के अंत मे लाल लगा कs पुकारैत छथिन्ह. गाम मे लोक सभ हमरो हित लाल के नाम सं पुकारैत छलाह. हमतुरिया मे हम सभ एक-दु क्लास आगां-पाछां के लडका सभ संगे घुमलौं-फिरलौं...हंसी-मजाक करलौं... मस्ती करलौं. आब दिल्लीओ अएला के बाद शेखर लाल... सुमनलाल... राजीवलाल... उदयलाल... विनोद लाल... मनोजलाल सभ बीच-बीच मे मिलैत रहलौं... गाम घर के गप्प होएत रहल.
हमर बिआहक बात सुनतहिं सभ शनि दिन सांझ मे धमकि गेलाह. पार्टी होबाक चाही. हम शाकाहारी छी. मुदा मैथिल के पार्टी बिना माछ–चिकेन के भए नहिं सकैत अछि. पर्स सं पाई निकालि राजीव लाल चिकेन लाबय चलि गेलाह... विनोदलाल एक कैरेट भरि कs बीयर ल अएलाह... शेखरलाल दोसर चीज सभके ओरिआन मे लागि गेलाह. सुमनलाल मिठाई...नमकीन लs अएलाह. उदयलाल किचेन के भार संभारि खाना बनाबय लेल जे लड़का के राखने छलहुं ओकरा निर्देश देबय लगलाह... प्याज छिल त लहसुन छिल... मसाला ला त तेल ला. चूंकि हमरा लेल शाकाहारी खाना सेहो बनय के रहय ताही लेल उदयलाल के कनि बेसि प्रयास करय पड़ि रहल छलन्हि.
नौ बजे राति के करीब बोतल खुलि गेल... चिखना मे उबलल अंडा...हल्दीराम के भुजिया... दालमोट...मुंगफली...फ्राई काजू...सलाद राखल गेल. हम शराब त नहिं पिबय छी मुदा संग देबय लेल गप्प करैत भुजिया... सलाद खायत संग देबय लगलहुं. अगुआ...वरतुहार पर गप्प होय लागल. हम कहलिएन्ह जे लड़की के बाबूजी ओर भाय आएल छलखिन्ह. फोटो दs गेल छथिन्ह. आब सभ फोटो देखय लेल मारि करय लागल. फोटो देखतहिं शेखरलाल उछलि पड़ल आओर जोर सं बोलि पड़ल- अरे ई तो श्वेतबा है...


ई कि ? सभ भौंचक... ई केना जानैत अछि ?

शेखर- एकर जन्मपत्री त हमरा संग छ हितलाल ! ई सीएम साइंस कॉलेज के मैथ के एचओडी वीरेन्द्रबाबू के बेटी छथीह. कॉलेज के कोन लड़का नहिं हिनका चिन्हैत छल. कॉलेज के सभ सं सुन्नर लड़की. सभ लड़का हिनका पर फिदा...श्वेता सं बतिआय लेल लड़का सभ बहाना खोजैत छल. मुदा वीरेन्द्रबाबू के लs क सभ डरितो छल. वीरेन्द्र बाबू हमर छोटका कका के संगी छलखिन्ह. कका के कहला पर हम हुनका घरों पर गेलहुं. ओतबे पता लागल जे श्वेता वीरेन्द्र सर से बेटी छथीह. ओहि के बाद हमर हुनका घर आना- जाना शुरू... ट्यूशन सेहो धs लेलहुं हुनका सं. श्वेता के चक्कर मे एकबेर बस स्टैंड के पाछा जे विनयआ रहय छ ओकरा सं झगड़ो भs गेल रहय कॉलेज मे. कि कहिअ भाय.. एक बेर देखबs त अपना मे नहिं रहबह. ओकरे लेल स्पैलंडर मोटरसाइकिल सेहो लेलहुं. अपना दिस स कोनो मौका नहिं जाय दी.. खूब हंसी-मजाक...घुमनाय- फिरनाय सभ होए. मुदा राखी दिन सभ गुड़ गोबर भ गेलह ... श्वेता के फोन आएल आबय लेल... दौड़ते गेलहुं. मुदा कि पता छल जे ओ पहिने सं राखी लs तैयार अछि...जानतहुं त जएबो नहिं करतौं. मुदा हम ओकर मुसकी देखि ई आस मे कि कोन ठिकान...ई सभ दुनिया के दिखाबय लेल होए...लागल रहलौं... हमहुं साला पगला... पाछां-पाछां लागल रहलौं. इंटर कएला के बाद त दिल्लीए आबि गेलहुं. ओना पिछला दिन गाम गेल छलहुं त कका कहैत छलाह जे ओ बंगलौर सं आईआईएम कs रहल छथीह.

विनोदलाल- लs हितलाल... तोरा सं बेसि त शेखरलाल सं जानपहचान छनि. अपना धरि इहो बड़ कोशिश करलक. मुदा अपना त ओतेक देर वेट नहिं करय छिअ. जे होए तुरंत... न या छ तुरंत . अपन त हरदम तैयार... शर्ट के जेब मे हनुमान चालीसा त पेंट के जेब मे कंडोम...नहिं जानि कखन कि काज आबि जाय.

सभ हंसय लागल...हा-हा-हा-हा-हा...

हमरा रहल नहिं गेल. विनोद के झाड़ैत कहलिएन्हि- ई बुड़ि ...गप्प हांकय छ… बोलनाय दोसर गप्प छै ओर करनाय दोसर... ऑफिसे मे त पचासों टा लड़की छ... एकोटा तोरा संग अएलह कि नहिं? फर्क इहे छै जे तों सभ लड़की मे एकेटा चीज देखैत छsह आओर लड़की सभ लड़का मे सं सिर्फ एकेटा के देखैत छै. बुझलह कि नहिं.
हमरा तमसाएल देखला पर सुमनलाल बात संभारैत बोलय- भाय जे होए... फोटो देखि त लगैत छ जोड़ी मस्त रहतs.
हा-हा-हा-हा-हा...

विनोदलाल- आओर आब शेखर त साला सेहो भ s गेलह.

हा-हा-हा-हा

उदयलाल- तोरा हाथ नहिं लगलह... दोसर ककरो सं त चक्कर नहिं छलई न ?

शेखरलाल- नहिं भाय... कैरेक्टर पर कोनो सवाल नहिं उठा सकय छ. असल मे ओ एतेक दिल के साफ... हेल्पिंग नेचर के... हंसमुख... मिलनसार छै नहिं जे लोक गलत मायने निकलि लैत अछि. हमरो संग सेहो कहि सकय छ. ओना आई काल्हि के छौरा सभ के कि कहबह... जे लड़की नहिं मिलतह... ओकरा बारे मे दस तरहक हल्ला उठा देतह. ओ एहन छै त ओ ओहन छै.

हा-हा-हा-हा

शेखर- आओर हितलाल अपने जेहन छथि हंसमुख... मिलनसार... दोसर के दर्द समझय वाला छथि ओहि हिसाब सं दुनु के जोड़ि हिट रहतन्हि.

हा-हा-हा-हा
गप्प करैत राति के दु बाजि गेल...नौकरबा के कहलौ छोटू खाना लगाबय... खाना खएला के बाद एक बेर फेर श्वेता के गप्प शुरू भ गेल.


हमर बिआह -तेसर कड़ी
Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed
Add to Technorati Favorites



TwitIMG

Webmasters Make $$$


मिथिला सं अछि मदनी...



दिल्ली मे गिरफ्तार आतंकवादी उमर मदनी के बारे मे खुलासा भेल अछि कि ओ अपन मिथिला सं अछि. मदनी मधुबनी जिला के बासोपट्टी प्रखंड सं अछि. गाम भेल बलकटवा. मीडिया मे जखने ई खुलासा भेल कि मदनी मधुबनी के बासोपट्टी सं अछि. मीडिया सं जुड़ल लोक सभ के मदनी के गाम से जमावड़ा होए लागल. ओना गाम के लोक मदनी के बारे मे किछ बताबय सं बचि रहल छथिन्ह. मदनी के गाम के असल नाम मोहम्मद उमेर अछि.
गाम मे मदनी के मां शायरा खातून एकसरे रहय छथीह. मदनी के पिता मो. शम्सुल हक नेपाल के सप्तरी जिला मे मदरसा चलाबैत अछि. मदनी के चारिटा भाई ओआर अछि. मो. जोहैर... मो. उजैर... मो. जुबैर आओर मो. नुमैर. नुमैर के छोड़ि सभ के नाम गाम के वोटर लिस्ट मे अछि. मो. जोहैर के बारे मे कहल जा रहल अछि जे ओ दिल्ली मे अरबी भाषा के प्रोफेसर छथिन्ह. एकटा भाई अरब मे रहैत अछि. सभ भाई बाहरे रहय छथि आओर बीच-बीच मे मां सं मिलय लैल आबैत रहय छथि.
अहां के ई जानि के अचरज होएत जे बासोपट्टी के एकटा आओर आरोपी अछि मो. कमाल. मो. कमाल सेहो मुम्बई विस्फोट के आरोपी अछि. कमाल फिलहाल जेल मे अछि. कहल जाएत अछि जे मदनी मधुबनी के कइटा लोक के आतंकी प्रशिक्षण द चुकल अछि. आओर मिथिला सं जुड़ल लोक के लश्कर सं जोड़य लेल... भर्ती करय लेल पाई के इंतजाम सेहो करैत छल. खबर त सेहो छै जे मदनी के तार नेपाल सं सेहो जुड़ल अछि. मदनी फिलहाल पुलिस रिमांड मे अछि. मुदा मिथिला के लोक सभ के गंभीरता सं एहि बारे मे विचार करय पड़तन्हि. बीच-बीच मे खुफिया रिपोर्ट सेहो छपैत रहैत अछि जे नेपाल सं जुड़ल इलाका मे आईएसआई के गतिविधि बढ़ल अछि. आतंकी बिहार के सीमावर्ती इलाका के भोला-भाला...मासूम लोक के अपन निशाना बना रहल अछि.

जाति...धर्म...बिरादरी...नौकरी के नाम पर... पाई देबय के नाम पर अपना संग जोड़ि रहल अछि... बहका रहल अछि. सरकार के एहि दिशा मे ध्यान देबय के जरूरत अछि नहिं त जम्मू-कश्मीर... असम जकां बिहार के हाल सेहो खराब भ सकैत अछि. नक्सल एकटा बड़का समस्या त अछिए. बॉर्डर इलाका मे गरीबी सेहो बड़ अछि. बाढि सं हर साल परेशान रहैत छथि लोक सभ. रोजगार के कोनो ठोस उपाय नहिं. केहुना कs गुजारा होएत अछि. पेट भरय लेल पंजाब...हरियाणा... असम... दिल्ली...मुम्बई के रास्ता देखय छथिन्ह. मुदा सभ ठाम दुतकारल जाएत छथि. एहन मे लोक त खाली पेट कोनो आतंकी संगठन के सॉफ्ट टारगेट बनिए सकैत अछि. अहांक कि कहबाक अछि ? एकरा सं बचय के कि उपाय अछि ?

Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites


TwitIMG

Webmasters Make $$$




मिथिला-मैथिल गौरव

468x60-LSAT-Coursesजाहि दिन सँ संविधानक अष्टम सूची मे मैथिली भाषाक नाम जुटल, हम सब अपना केँ गौरवान्वित महसूस कऽ रहल छी. बात इ गौरवक अछिहो. पूरा मिथिला आ मिथिलाक बाहरो जतऽ देखू ततऽ कार्यक्रमक आयोजन भेल. नवीन- नवीन मैथिली नामधारी संस्थाक उदय आओर मैथिल... मिथिला आ मैथिलीक विकासक चर्चा तऽ आम भऽ गेल. कियो मस्त छथि तऽ कियो मैथिली भाषाक विकासक चिन्ता सँ रोगग्रस्त. कतेक गोटय तऽ सामाजिक रूप सँ चिन्तित भऽ एना कहैत छथिन्ह जे कोशीक बाढ़ि सँ जतेक नुकसान नहि भेल ताहि सँ बेसी नुकसान मैथिली नहि बजला सँ होयत. जगह-जगह मंच सँ एक पर एक विद्वानक भाषणक संग किछु ललका कानवलाक कठहँसी सुनब, साधारण लोकक विवशता भऽ गेल. मातृभाषाक प्रति प्रेम कुनु खराबो बात नहि. संविधानो मे एकर विधान अछि जे प्रारंभिक शिक्षा मातृभाषा मे देल जाय.
गजानन बाबू गामक प्रतिष्ठित... अवकाश प्राप्त शिक्षाविद छथि. अवकाश प्राप्त भेलाक पश्चात शहर छोड़ि, गामक स्थायी निवासी भऽ गेलाह संगहिं हुनके दलान पर चलय वला प्रायः अस्थायी चौपालक स्थायी सदस्य सेहो. बैसारी मे गजानन बाबू भरि दिनक अखबारी सूचना आ रेडियो-समाचारक आधार पर प्राप्त ज्ञान केँ साँझ होइतहिं, गामक लोकक बीच बँटनाय शुरू कऽ दैत छथि. श्रोताक संख्या बढ़य ताहि खातिर सुननिहारक वास्तें बेसी काल तमाकू आ अंतिम में एक बेर चाय केर इन्तजाम गजानन बाबूक तरफ सँ मुफ्त.
ओना तऽ गजानन बाबू अनेक भाषाक जानकार छथि, मुदा मातृभाषा मैथिली केर प्रति बिशेष आग्रह. बेसी काल लोकक बीच में बजैत छथि - आजुक धिया पुता आब तऽ घरो मे मैथिली बजनाय छोड़ि देलक. कनिये दिनक खातिर शहर टा गेल कि बनि गेल अंग्रेज, पहिरनाय ओढ़नाय सब ओहने. ततेक अंग्रेजिया स्कूल खुलि गेल अछि जे सब अपना-अपना बच्चा केँ ओही स्कूल मे ठूसि रहल छथि अंग्रेज बनेबाक वास्तें. कोना होयत मैथिलीक विकास? मैथिली आब घरो मे बचती की नहि? आदि... आदि "आर्ष वचन" सँ समस्त चौपालक लोक केँ बेसी काल तृप्त करैत छथिन्ह.

अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषदक एक कार्यक्रम गाम मे आयोजित भेल. किछु पदाधिकारीगण बाहरो सँ एलाह. गामक किछु मातृभाषा प्रेमी लोक सेहो जमा भेलाह. कार्यक्रम अस्थायी चौपाल यानि गजानन बाबूक दलाने पर आयोजित छल. गजानन बाबूक गामक लोक पर खूब प्रभाव छल. आय तऽ बाहरो सँ अतिथिगण आयल छथिन्ह तऽ नाश्ता आदिक प्रबंध सेहो होयत, इ सोचि बहुत गामक लोक सभा मे जमा भेलाह.
कार्यक्रम शुरू भेल. गजानन बाबूक मातृभाषा-प्रेम वाणी सँ फूटि पड़ल. पुरनका कैसेट बाजय लागल - आजुक धिया पुता घरो मे मैथिली नहि बाजि "मम्मी डैडी" बाजय छथि... मैथिली बाजब अपमान बुझै छथि -------- आदि आदि. लोक सब ध्यानमग्न भऽ सुनि रहल छथि. ताबत धरि एक सात आठ सालक बचिया अचानक दलान पर आबि गजानन बाबू केँ संबोधित करैत बाजल - "ग्रैंड पा ग्रैंड पा, आपको जरूरी काम से अंदर बुलाया जा रहा है." एतबा सुनतहि अतिथिगण सहित गामक लोक सेहो गुम भऽ गेलाह संगहि गजानन बाबू केँ काटू तऽ खून नहि. मातृभाषाक प्रति नकली अनुरागक पोल खुलि गेल. आखिर कथनी करनी के इ अन्तर कहिया तक?


-श्यामल सुमन Learn To Earn
लेखक परिचय : ई रचना छनि श्री श्यामल किशोर झा जीक. ओना श्यामलजी लेखन क्षेत्र मे श्यामल सुमन के नाम सं प्रसिद्ध छथिन्ह. मूलरूप सं चैनपुर, सहरसा निवासी श्यामल सुमन जी विद्युत अभियंत्रण मे डिप्लोमा कs वर्तमान मे टाटा स्टील, जमशेदपुर मे प्रशासनिक पदाधिकारी के रूप मे अपन योगदान क रहल छथिन्ह. श्यामलजी स्कूल-कॉलेजक जमाना सं लिखि रहल छथिन्ह.. हिनकर कविता... गीत- ग़ज़ल... हास्य-व्यंग्य देशक तमाम पत्र- पत्रिका मे छपैत रहैत अछि. हिनका अहां सभ स्थानीय टीवी पर सेहो देखने आओर रेडियो पर सुनने होएब. हिनकर हिन्दी मे एकटा गीत ग़ज़ल के संकलन जल्दीए किताब के रूप मे बाजार मे आबय वाला अछि.

Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeed Add to Technorati Favorites



TwitIMG

Webmasters Make $$$


हमर बिआह... ( तेसर कड़ी )

468x60-LSAT-Courses


प्रेमक साक्षात मूर्ति... हुनकर रूप यौवनक आभा छनि-छनि कs गुलबिया साड़िक तर सं बहरा रहल छल. ताड़क तरकून के डाभ जका डबडबाइत यौवन केहुना क आंचर सं संभारने छलीह. लागैत छल बटन तोड़ि आब बाहर आएल... तब बाहर आएल. हुनकर सम्मुन्नत अञ्चल रेखावली देखि हमर छाती पर सांप लोटय लागल. हुनकर फोटो के रूप माधर्य मे हम एतेक तल्लीन भs गेलहुं जे हमरा प्रतीत भेल जे ओ साक्षात हमरा समक्ष ठाड़ छथि. आ कहि रहल छथि... कि देख रहल छी ? ... आगां आउ. रस सं भरल ई लाल-लाल ठोर अहिं के लेल अछि. हमर गालक लालिमा... ई रूप-यौवन सभ अहिं के लेल अछि. डरू नहिं... आगां बढुं. हमरा अपन आंलिंगन मे ल लिअ. अपन बांहि मे भरि हमर अतृप्त यौवन के तृप्त करि दिअ. जन्म-जन्म सं पिआसल एहि नवयौवना के पिआस बुझा दिअ. हमरो उत्साह बढ़ल... किछ हिम्मत आएल. मन भेल जे कम सं कम हुनकर चेरी सन ठोरक स्वाद त ल लेल जाय. प्रेमक प्रथम निशान हुनकर खिलल अधर पर द त देल जाय. हम फोटो के साक्षात हुनका समझि चुमय लेल आगां बढ़य लगलौं. एतबा मे फोनक घंटी बाजि उठल. हमर तंद्रा भंग भs गेल. हम अपन स्वपन सं जागि उठलौं. दिल ऐना धधकय लागल जेना दिवाली मे चारि दिन पहिने सं फुलाएल हुक्कालोली सलाइयक काठी देखते धधकि उठैत अछि. ओह... एहन मधुर सपना सं जगा देलक. ई सार फोनो के अखने बजय के छल. मन भेल जे उठा कs जोर सं पटकि कs फोड़ि दी. मुदा ओम्हर सं मामाजी के आवाज सुनि मन मसौसि कs रहि गेलौं.
मामाजी सेहो बिआहे के बात लs कs फोन कएने छलाह. हुनकर गप्प सुनि तमसाएल मन किछ शांत भेल. बिआहक गप्प सुनय मे नीक लागय लागल. कहय लगलाह... मनीगाछी के वीरेन्द्र बाबू के भेजने छलीअह. मिलल होतुन्ह. जेहि प्रयोजन सं बायोडाटा अहां के देल गेल अछि ओकरा साकार करबाक कोशिश करिऔं. नीक गप्प त ई अछि जे लड़की सेहो दिल्लीए मे काज करय छथीह. बायोडाटा सं हुनकर नंबर ल अहां हुनका सं कंटेक्ट करू. मेलजोल बढाउ. हुनका बारे मे बेसि सं बेसि जानय के कोशिश करु. फेर अहां छोटका भाय सेहो लाइन मे छथि. 10 बजिया गाड़ी लेट त 12 बजिया सेहो लेट भs जाएत. अहां त लेट भ गेलहुं हुनका लेट नहिं करबन्हि. करीब 20 -25 मिनट धरि ओ अपन फिलॉस्फी झाड़ैत रहलाह. जखन हम लड़की सं सम्पर्क करबाक कोशिश करय लेल तैयार भेलहुं... तखन फोन धरलाह.
मामाजी के फोन रखलाह के बाद हम लिफाफा सं बायोडाटा निकालि भावी पत्नी के बारे मे जानकारी एकत्रित करय लगलौं. पता चलल जे हुनकर शुभ जन्मदिन आबय वाला छनि. आब हमरा हुनका फोन करय के लेल बहाना आओर दिन दुनु भेट गेल. हम तय कएलौं जे हुनका जन्मदिनक तोहफा जरूर देब. आब हमर पूरा ध्यान एहि पर लागि गेल जे आखिर प्रथम मिलन मे हुनका कि गिफ्ट देल जाय.

<हमर बिआह दोसर कड़ी >

हमर बिआह-चारिम कड़ी


Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites



TwitIMG

Webmasters Make $$$



Banner

मैथिल बैसार...

Hotels Combined Pty Ltd
अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद के दु दिनक राष्ट्रीय कार्यकारिणी जयनगर मे शुरू होबय जा रहल अछि. कार्यकारिणी 13 ओर 14 जून के आर्य कुमार पुस्तकालय मे होएत. राष्ट्रीय कार्यकारिणी मे मिथिला आओर मैथिलीक विकास पर चर्चा कएल जाएत. मुदा अखन धरि जतेक बैसार आओर काज भेल अछि ओकरा संताष जनक नहिं कहल जा सकैत अछि. अपन मैथिल सभ कइटा गुट मे बंटल छी . एकटा ईर घाट त दोसर बीर घाट. विकास के बात पर सेहो कोनो तालमेल नहिं. सभ अपन-अपन राग अलापैत रहैत छथि. एहि कार्यकारिणी मे करीब 50 टा सदस्य शामिल होताह. हिनका सभ सं हम नीक करय के उम्मीदे टा कs सकय छी. किछ ठोस देखबन्हि तखने किछ भरोस होएत.
Bookmark and Share Subscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites



TwitIMG

Webmasters Make $$$

हमर बिआह ... ( दोसर कड़ी )

Hotels Combined Pty Ltd

ओम्हर मां-बाबूजी परेशान ...एम्हर हमर जान सांसत मे. ई पंडितबा एहन बीर्रौ लाएब देलक जे... आब कि-कि कहुं. भेंटैत त किछ करतौंउ. बाबूजी आओर मां के त हर दम हमर बिआहे के फिक्र लागल रहै छनि. कहिआ करबह... केहन करबह... नजर मे कोनो छ त बताबs... नहिं जाने कतेक सवाल. कइटा कन्यागत के त ओ दिल्ली डेरा पर सेहो भेज चुकल छथिन्ह. आओर कइटा त अपने-आप आबि गेलाह लड़की तक के लsक. हुनकर सभs के कहनाय छलन्हि जे अहां केवल हां कहि दिअ. हम अहांक बाबूजी के मना लेब. दहेज के कोनो बात नहिं. घोड़ा-गाड़ी... मकान... पाई सभ मिलि जाएत. बस अहां के हां कहय के देरी अछि. अहां सिर्फ शादी के लेल अपन स्वीकृति द दिअउ. ओकर बाद सभ हमरा पर छोड़ि दिअ. मुदा एहिठाम त पंडित तेसरे मोड़ द देलक.
मां-बाबूजी के शादी के बात कोनो बेजाय नहिं छनि. मुदा हम चाहैत छी जे अखन किछ काज क लेल जाय. एहि दुनिया मे अपन किछ नाम कमा लेल जाय. अखन हमरा मे जे उत्साह- उमंग अछि... किछ करय के जोश अछि... लगन अछि. आगां रहै नहिं रहै. आओर फेर काल्हि के देखलक ? फेर अखन जे हमर बॉस छथि ओ हमरा पर विश्वास सेहो खूब करय छथि. काल्हि फेर एहन बॉस मिलताह कि नहिं. हमरा काज मे पूरा छूट देने छथि. नबका-नबका प्रोजेक्ट के पूरा करय के जिम्मेदारी मिलल अछि. आओर एहन इंटरनैशनल प्रोजेक्ट बड़ भाग्य सं हाथ लगैत अछि. आ एक बेर काज मे अनठिआबय लागू त फेर बॉस सेहो नीक काज...जिम्मेदारी वाला काज देबय सं हिचकय लागय छथिन्ह. शादी-बिआह त दु साल बादो भ सकैत अछि. मुदा काज त एक बेर हाथ स गेल त फेर... मुदा लोक सभ के कहनाय छनि जे शादी-बिआह उम्रे मे नीक लगैत अछि. बाद मे लोक बुढ़बा वर कहि कs चिढ़ैतह. झड़ि तएतह जी...त कि पीबह घी. तैं बाबू सभ किछ टाइमे पर नीक रहय छी. अजीब घनचक्कर मे फंसि गेलहुं. किछ नहिं फुरा रहल अछि जे कि कएल जाय.
मन मे दस तरहक बात आबि रहल छल. नींद कोसों दूर छल. करवट पर करवट बदलि रहल छलौं. एहि क्रम मे ओ बात आबि गेल जेहि मे एकटा कन्यागत डेरा पर पहुंचल छलाह. कन्या के बाबूजी आओर भाय. सं ग मे कन्या के फोटो ओर बॉयोडाटा सेहो लेने आएल छलाह. हम दुनु गोटे के जे होबाक चाही से स्वागत सत्कार करलहुं. ठंडा... चाय-पानि... भुजिया-बिस्किट... मिठाई. मैथिल छलाह...मिथिलाक गाम-घर दिस सं छलाह... अपनापन छलन्हि. तैं नीक सं गप्प भेल. पढ़ाई-लिखाई... काम-काज... रहनाय-सहनाय आओर आगां कि सभ करय के विचार अछि... ई सभ मुद्दा पर गप्प भेल. बीच मे कन्या के भाय अपन बहिनक फोटो आ बॉयोडाटा देखय के आग्रह कएलन्हि. मन त बड़ भेल जे एक नजर देखि लेल जाय... मुदा वर पक्ष के जे अकड़ि होए छे ओकरा केना छोड़ि देतौहुं. कहलिएन्हि फैसला त मां-बाबूजी के करय के छनि. अहां ई फोटो हुनके किएक नहिं देखा दैत छिएन्हि. लड़की के भाई जोर दैत लिफाफा हाथ मे थमाबैत कहलाह हुनका त हम दिखाए देबैन्हि. एक बेर अहां देख लिअ. लड़की सेहो दिल्लीए मे अछि जहिआ कहब तहिआ मिला देब. अहां फोन पर सेहो गप्प क सकय छी. अहां सभ आजुक दौर से लोक छी. हम सभ बाधा नहिं बनब. दुनु गोटे एक बेर मिलि लिअ. आमने-सामने बैसि... गप्प कs एक दोसरा के बारे मे जानि लिअ. फेर अहां सभ के जे फैसला होएत हमरा मंजूर होएत. एहि मे कोनो जोर नहिं. अहां कोनो फैसला लेबय लेल स्वतंत्र छी. हमरा तरफ सं कोनो दबाव नहिं अछि. हम त कन्या पक्ष के छी सिर्फ आग्रह क सकय छी.
लिफाफा हमर हाथ मे छल. मन हुए जे कखन दुनु गोटे जैताs जे हम लिफाफा मे बंद सुन्दरि के दर्शन करि. बेस ओ जेना हमर मन के बात बुझि गेलाह आ फेर बात करय के कहि विदा लेलाह. हुनका सभ के जाएते झट द लिफाफा खोललहुं. फोटो देखतहिं मुंह सं अपने-आप निकलि गेल... सुभान अल्लाह ! ! !
प्रथम प्रेम के उत्पत्ति...
मैथिल सुन्दरी... गुलाबी साड़ी मे लिपटल कोमलांगीक कोमल बदन... गुलाबक सुर्ख पत्ती जकां खिलल ठोर... जेना दूध मे सिन्दूर डालि देने होए तेहन लाली लेने गालक रंग... पनिआएल झील सन गहराय लेने आंखि... साक्षात प्रेमक मूर्ति नजर आबि रहल छलीह।


हमर विआह के अगिला कड़ी के लेल पढ़ैत रहुं हेलो मिथिला

Bookmark and ShareSubscribe to me on FriendFeedAdd to Technorati Favorites


TwitIMG


Webmasters Make $$$
Webmasters Make $$$

लिच्छवी आब समस्तीएपुर तक..