

By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 2 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: Loksabha Election, मिथिला- मैथिली

By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 2 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
बिहार मे चुनाव के सभ सं महत्वपूर्ण दौर 30 तारीख के पूरा होई वाला अछि. 30 तारीख के वोट मिथिला के कोसी इलाका मे पड़य वाला अछि. जेहि लोकसभा क्षेत्र मे वोट पड़य वाला अछि ओहि मे सुपौल... अररिया... किशनगंज... कटिहार... पूर्णिया... मधेपुरा... बेगूसराय... खगड़िया... भागलपुर... बांका आओर मुंगेर शामिल अछि. कोसी क्षेत्र मे मतदान होए वाला अछि मुदा लोक मे चुनाव के लsक जे उत्साह होबाक चाही ओ नहिं अछि. कोसी इलाका मे गेलाह सं अहां के नहिं लागत जे एहिठाम वोट होए वाला अछि. लोक सभ खिसिआएल छथिन्ह. मतदाता के मूड देखि नेता सभ सेहो डराएल छथिन्ह. एहन पहिल बेर अछि जे नेता अपना क्षेत्र मे जाए सं डरि रहल छथि. हुनका लोकक मन मे भरल गुस्सा... पीड़ा के अंदाजा छनि.
इलाका मे कोसी के बाढ़ि अएला किछ दिन मे साल भर भs जाएत. मुदा लोकक जिनगी अखनो पटरी पर नहिं आएल अछि. जीवन कटनाय अखनो पहाड़ बनल अछि. बाढ़ि के समय मे चारु कात जतय पानिए-पानि देखाएत छल आई-काल्हि बालूए-बालू दिखाएत अछि. जेहि खेत मे धान- गेहूं के फसल लहलहाएत छल ओ तीन-तीन...चारि-चारि फीट बालू सं भरल अछि. आरि-धूरी सभ मिटाएल अछि. ई पता लगानाय मुश्किल भs गेल अछि जे कोन जमीन ककर अछि. कोन खेत ककर अछि. एहन हाल मे बरजोर...दबंग लोक कमजोर लोक के जमीन पर कब्जा सेहो कs रहल छथिन्ह. लोक सरकारी दफ्तर के चक्कर लगएलाह मुदा कोनो फर्क नहिं पड़ल. कमजोर लोक के एक-एक पल जिनगी बितानाय सदी कटनाय जकां भs गेल छनि.
बाढ़ि पीड़ित के पुनर्वास के काज अखन धरि पूरा नहिं भ पाएल अछि. जहां लालू प्रसाद यादव आओर रामविलास पासवान एकरा लेल बिहार सरकार के जिम्मेदार ठहराबय छथिन्ह ओतय मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के कहनाय छनि जे केन्द्र सरकार सं अखन धरि पाई नहिं मिलला के कारण पुनर्वास के काज शुरू नहिं भ पाएल अछि. नीतीश कुमार आरोप लगा रहल छथिन्ह जे केन्द्र सरकार पैकेज देबय मे देर करि रहल अछि. हुनकर इहो तहनाय छनि जे केंद्र मे बिहार के जे मंत्री छथि ओ सरकार पर दबाव बनाबय मे नाकाम रहला आओर आब जखन हुनका लागि रहल छनि जे लोक गुस्साएल अछि त कांग्रेस के दस तरहक बात के लेल कोइस रहल छथिन्ह.
दोसर ठाम जतय नेता सभ विकास के गप्प क s रहल छथिन्ह. ओतेय कोसी इलाका मे हुनकर हिम्मत काज नहिं कs रहल छनि. फूरा नहिं रहल छनि जे कि कएल जाए. कई ठामक लोकक कहनाय छनि जे जखन नेता सभ के हमर कोनो चिंता-फिकिर नहिं त फेर हम हुनकर किएक करएन्हि. एहि बेर ओ किनको वोट देबय सं इनकार करि रहल छथिन्ह. चुनाव के ई हाल अछि जे गाम घर मे पार्टी के झंडा पोस्टर देखय ले नहिं मिलि रहल अछि. एक्का-दुक्का पोस्टर, झंडा- बैनर कतहुं देखय लेल मिलैत अछि. एहन मे नेताजी केना मांगताह वोट !

By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 3 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: Loksabha Election, मिथिला- मैथिली

By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 3 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: Loksabha Election
मिथिलाक चुनावी पारा अखन चरम पर अछि. सभ दल के नेता सभ अपन पूरा दम-खम लगैने छथि. वोट के लेल जे सभ भs रहल छनि कs रहल छथि. मुदा एकरे संग-संग मतदाता जागरुकता अभियान सेहो चलि रहल अछि. सहारा इंडिया मीडिया के ओर सं ' एक वोट करय चोट' अभियान चलाएल जा रहल अछि. एहि अभियान मे सहारा इंडिया मीडिया के सभ न्यूज़ चैनल समय ... सहारा समय उत्तर प्रदेश/ उत्तराखंड... मध्य प्रदेश/ छत्तीसगढ़... बिहार/ झारखंड... एनसीआर( दिल्ली हरियाणा) आओर मुम्बई (महाराष्ट्र ) चैनल के संग राष्ट्रीय सहारा दैनिक अखबार आओर सहारा टाइम अंग्रेजी साप्ताहिक के जरिए मतदाता सं नीक उम्मीदवार के चुनय के आग्रह कएल जा रहल अछि. 'एक वोट करय चोट' अभियान सं मतदाता के बताएल जा रहल अछि कि अहांक एकटा वोट बड़का चोट कs सकैत अछि. अहां कोनो सांसद... सरकार के बदलि सकैत अछि.
सहारा इंडिया मीडिया के जकां आओर दोसरो लोक ... संस्था ... मीडिया हाउस मतदाता जागरुकता अभियान मे जोर-शोर सं जुटल छथि. 'दैनिक जागरण' अखबार सेहो जन जागरण अभियान चलौने अछि. जागरूकता अभियान मे मिथिलाक ... मिथिला लोकमंच... मिथिलायतन... मिथिला यूनेस्को... पाथ मिथिलांचल... द गाड बुद्धा फाउंडेशन... आओर महावीर मेमोरियल ट्रस्ट के लोक सभ मतदाता सभ के बीच जाS हुनकर वोट के महत्व बता रहल छथिन्ह. संस्था सभ सं जुड़ल लोक के एकटा बड़का बात ई कहनाय छनि जे लोकतंत्र के लेल सभ सं खतरनाक गप्प ई अछि जे पढ़ल- लिखल लोक वोट नहिं करय छथि. जागरूकता अभियान मे एनजीओ... संस्था... मीडिया हाउस के लोक सभ गली-गली... टोला-टोला जा लोक के जागरूक कS रहल छथिन्ह... पर्चा बांटि रहल छथिन्ह. वोट देबय के आग्रह कS रहल छथिन्ह. लोक सभ के ई कहल जा रहल अछि जे कोनो घर सं एकोटा वोट नहिं छुटय. सभ गोटे वोट जरूर करथि. कई ठाम नुक्कड़ नाटक.. बैसार सेहो भS रहल अछि.
जागरण अखबार के ओर सं दरभंगा मे रैली सेहो निकालल गेल... एहि रैली के पैघ गप्प ई रहल जे एहि मे महिला सभ बढ़ि-चढ़ि कS हिस्सा लेलीह. घरे-घर जा क मतदाता सभ के कहलीह जे... जे होय वोट करय जरूर पहुंचु. किनको वोट दिअ मुदा एकोटा वोट बर्बाद नहिं होए. बूथ पर जरूर जाउ. ई ध्यान जरूर राखु जे वोट कोनो साफ... निष्पक्ष... विकास करय वाला योग्य उम्मीदवार के मिलय. एहि बेर भाई- भतीजा... जाति ... धर्म सं दूर हटि कS वोट करु. लोकतंत्र के सभसं बड़का पर्व मे अपन भागीदारी जरूर सुनिश्चित करु. मिथिलाक बेसि लोकसभा क्षेत्र मे 23 तारीख के वोट अछि त एहि बेर पप्पू नहिं बनु... बूथ पर पहुंचि अपन वोट सं चोट जरूर करु.



By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 3 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: Loksabha Election
आई-काल्हि जखन चुनावी प्रक्रिया चलि रहल अछि. राजनीति के अपराधीकरण एकबेर फेर सं बड़का मुद्दा बनि कs उभरल अछि. कोनो पार्टी एहन नहिं अछि जेहि मे अपराधी तत्व के टिकट नहिं देल गेल होए. एहि अपराधी तत्व मे बाहुबली... माफिया... खूनी... डकैत...तस्कर शामिल भs सकैत अछि. चारु कात बाहुबली... अपराधी तत्व के जमघट अछि. सभ पार्टी केहुना कुर्सी पाबय चाहैत अछि एकरा लेल जोरगर... दबंग... आओर आपराधिक प्रवृति वाला लोक के टिकट दैत छथिन्ह. कोनो एकटा दल के एकरा लेल दोषी नहिं कहल जा सकैत अछि. सभ दल के एकहि हाल अछि. कोनो पार्टी ई दावा नहिं क सकैत अछि जे हुनका पार्टी मे एकोटा विवादास्पद पृष्ठभूमि के लोक... नेता नहिं अछि. संसद... विधानसभा मे अहां के कइटा एहन चेहरा देखय लेल मिलि जाएत जिनकर पृष्ठभूमि सभ के पता रहैत छनि. आई काल्हि जखन गठबंधन के सरकार बनाबय के टाइम आबैत अछि त पार्टी ककरो समर्थन लेबय लेल तैयार भs जाएत अछि... चाहे हुनकर व्यक्तित्व केहनो किएक नहिं होए. एहि कारण संसद आओर विधानसभा के गरिमा सेहो कम भेल अछि.
अपराधी... आतंकी... नक्सली के राजनीतिक संरक्षण मिलय लागल अछि. सरकार के एहि सं लड़य लेल मजबूत इच्छा शक्ति के जरूरत अछि. मुदा वोट बैंक के राजनीति के कारण सरकार ओहि इच्छाशक्ति के देखा नहिं पाबैत अछि. कुर्सी जाय के डर के कारण कोनो कार्रवाई नहिं होएत अछि. ओना चुनाव के समय नेता जी सभ के भाषण सुनिऔं लागत... भ्रष्टाचार... आतंक... अपराध के खिलाफ ओ सभ सं जोरदार ढंग सं लड़ि सकैत छथि. मुदा भाषण के बाद सभ ओहिना के ओहिना. आई त इहो कहल जा रहल अछि राजनीति अपराधी... काला धंधा करय वाला... अपहरण करय वाला... दलाल... तस्कर... गुंडा-डकैत के अड्डा बनल जा गेल अछि. वोट पाबय लेल बूथ कब्जा ... पाई बांटनाय... शराब... ताड़ी पिलानाय... झूठ वादा करनाय जे सभ होएत अछि करय छथि.
शुरू मे नेता सभ अपन दबंगई... वर्चस्व... बूथ कैपचरिंग के लेल अपराधी सभ के अपना संग जोड़लाह. मुदा जखन ओहि अपराधी सभ के लागल जे जखन ओ नेता जी के जीता सकय छथिन्ह त खुद किएक नहिं जीत सकैत छथि. बस ओहो सभ चुनाव लड़य लगलाह आओर जीतय लगलाह. पहिने बूथ कैपचरिंग बेसि होएत छल मुदा आब वोटिंग मशीन... ईवीएम अएला के बाद निष्पक्ष आओर स्वतंत्र मतदान होए लागल अछि. इक्का-दुक्का मामला के छोड़ल जा सकय अछि.
आई हाल ई भ गेल अछि जे नीक लोक राजनीति मे आबय नहिं चाहय छथिन्ह. चुनाव लड़य मे एतेक खर्च भ जाएत अछि जे आम लोक के सामर्थ्य के गप्प नहिं रहि गेल अछि. असल मे देश के विकास के लेल राजनीति मे नीक... ईमानदार लोक के होनाय बहुत जरूरी अछि. मुदा जखन सेवा भावना राखय वाला नेता के जगह बाहुबली... अपराधी प्रवृति के लोक कुर्सी संभालय लगताह त देश के कि हाल होएत ओकर भगवाने मालिक अछि.
ओना अपराधी सभ के चुनय लेल अपना लोक सभ सेहो कम जिम्मेदार नहिं छी. हम ही सभ न वोट द कS हुनका जीताबय छिएन्हि. अगर हम सभ वोटर जागरूक भ एहन दागी लोक के वोट नहिं दी त हिनकर चरण संसद... विधानसभा के नापाक नहिं क सकत. अहांक लेल ई नीक मौका अछि. जे अपराधी... बाहुबली लोक चुनाव मे ठाड़ छथि हुनका खिलाफ अभियान चलाउ... हुनका वोट नहिं देबय लेल लोक के जागरुक करु... नीक लोक के चुनु. फेर किनका वोट देबय से के देखत... अहांक वोट देबय काल ओ बाहुबली नहिं रहत. जे साफ-सुथरा व्यक्तित्व वाला उम्मीदवार छथिन्ह... जे विकास करय वाला लोक लगय छथि हुनका वोट द अपराधी के सबक सिखाउ. ओना एहि के लेल कइटा संगठन... लोक काज क रहल छथिन्ह.. लोक के जागरूक करय मे लागल छथिन्ह. एके बेर मे सभ अपराधी के त रोकल नहिं जा सकैत अछि मुदा किछिओ संख्या कम भेल त लागत जे सही दिशा मे चलि रहल छी. बस शुरूआत होबाक चाही. आओर जे एहन लोक छथि हुनका त सभ त चिन्हते छी. चुपचाप... बिना कोई हो-हल्ला के एहन लोक के वोट नहिं द राजनीति ... संसद... विधानसभा के साफ सुधरा बनाउ. राजनीति मे अपराधीकरण के रोकय लेल ई एकदम जरूरी अछि. नीक लोक के आगां आबय पड़त. एकजुट होए पड़त. अपराधी...बाहुबली के चुनय जाए सं रोकय पड़त .नीक लोक के लाउ. अहांक एकटा वोट बड़का चोट सs सकैत अछि.



By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 3 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post


By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 1 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: Loksabha Election


By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 2 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: Loksabha Election


By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 1 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: Loksabha Election


By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 2 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: Loksabha Election


By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 2 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post

|
|
| Subscribe to hellomithila |
| Visit this group |