अपन गाम-घरक समाचार... कविता... कहानी... सुझाव... विचार... राय... कमेंट एहि पता पर भेजु : - hellomithilaa@gmail.com

नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

होली पर विशेष ट्रेन

होली आबय वाला अछि आओर लोक सभ गाम जाए के लेल रेलवे रिजर्वेशन काउंटर पर टिकट के लेल भीड़ लगौने छथि. टिकट के लेल मारामारी भs रहल अछि. कइटा गाड़ी मे त टिकट नहिं मिलि रहल अछि. भीड़ के देखैत रेलवे के तरफ सं होली के लेल स्पेशल ट्रेन चलाएल जा रहल अछि . होली के लेल चारि टा स्पेशल ट्रेन चलत. चारु ट्रेन बिहार भs क चलत. एकटा ट्रेन नई दिल्ली सं पटना के बीच चलत... दोसर दिल्ली सराय रोहिल्ला सं दरभंगा के बीच जखन की तेसर आओर चारिम दिल्ली सं गुवाहाटी के बीच चलत.
पटना आओर नई दिल्ली के बीच ट्रेन नंबर 2393A आओर 2394A चलत. ई स्पेशल ट्रेन नई दिल्ली सं सांझ मे 1700 बजे खुलि दोसर दिन 1000 बजे पटना पहुंचत. जखन कि पटना सं ई ट्रेन 1200 बजे दिन मे खुलि अगिला दिन 0400 भोर मे नई दिल्ली पहुंचत. एहि मे थर्ड एसी... स्लीपर आओर जनरल डिब्बा रहत... आओर ई कानपुर... इलाहाबाद... मुगलसराय होएत पटना पहुंचत.
दिल्ली सराय रोहिल्ला सं दरभंगा के बीच चलय वाला स्पेशल ट्रेन के नंबर अछि 4006A आओर 4005A. ई ट्रेन दिल्ली सराय रोहिल्ला सं राति 2215 बजे चलि अगिला दिन 1150 बजे दरभंगा पहुंचत. जखन कि दरभंगा सं ई ट्रेन भोर मे 0700 बजे खुलि अगिला दिन 0740 बजे दिल्ली सराय रोहिल्ला पहुंचत. एहि ट्रेन मे थर्ड एसी... स्लीपर... आओर जनरल डिब्बा रहत. ई स्पेशन ट्रेन नई दिल्ली... साहिबाबाद... गाजियाबाद... कानपुर... इलाहाबाद... वाराणसी... बलिया... छपरा... सोनपुर... हाजीपुर... मुजफ्फरपुर आओर समस्तीपुर स्टेशन पर रुकत.
नई दिल्ली सं गुवाहाटी के बीच 2486 आओर 2485 नंबर के स्पेशल राजधानी एक्सप्रेस चलत. ई ट्रेन नई दिल्ली सं 0930 बजे खुलत आओर मुरादाबाद... बरेली... लखनऊ... वाराणसी... बरेली... छपरा... हाजीपुर... बरौनी... कटिहार... किशनगंज... न्यू जलपाईगुड़ी... न्यू कूच बिहार आओर न्यू बोगियागांव स्टेशन पर रुकैत अगिला दिन राति के 2015 बजे गुवाहाटी पहुंचत. गुवाहाटी सं एकर खुलय के समय रहत 1345 बजे आओर नई दिल्ली पहुंचत 1720 बजे जखन कि ट्रेन नंबर 2456 आओर 2455 नई दिल्ली- गुवाहाटी स्पेशल राजधानी एक्सप्रेस नई दिल्ली सं दोपहर 1400 बजे खुलि अगिला दिन राति मे 2015 बजे गुवाहाटी पहुंचत. गुवाहाटी सं ई ट्रेन 1345 बजे खुलि अगिला दिन 1940 बजे नई दिल्ली पहुंचत. ई ट्रेन कानपुर... इलाहाबाद... मुगलसराय... पटना... बरौनी... कटिहार... किशनगंज... न्यू जलपाई गुड़ी... न्यू कूच बिहार आओर न्यू बोगियागांव स्टेशन पर रुकत.

ई टाइम त जारी कएल गेल अछि मुदा टिकट कटाबय आओर गाम जाए सं पहिने स्टेशन सं पूरा पूछताछ कs लेनाय नीक रहत. गाड़ी नंबर आओर स्टेशन के बारे मे पूछताछ जरूर कs लेब. कोनो परेशानी होए त लिखब.

खालसा कॉलेज मे मीडिया वर्कशॉप

                                                                                   दिल्ली विश्वविद्यालय के श्री गुरुनानक देव खालसा कॉलेज मे 17 तारीख के एकटा मीडिया वर्कशॉप सरोकार-2009 के आयोजन कएल गेल.  वर्कशॉप ' आधुनिक मीडिया: विविध आयाम ' पर छल.  एहि वर्कशॉप मे कइटा पत्रकार लोकनि आबि अपन अनुभव सं छात्र सभ के अवगत करौलखिन्ह.  पहिल सत्र मे सतीश जैकब... गौहर रजा आओर एनके सिंह अपन- अपन टिप्स छात्र सभ के देलखिन्ह.  दोसर सत्र मे राजीव कटारा जी खेल पत्रकारिता के बारे मे बतौलखिन्ह.  ओना क्रिकेट के आगां दोसर खेल के बढ़ावा नहिं देबय पर दुख सेहो व्यक्त कएलखिन्ह.  हॉकी...तीरंदाजी के दुर्दशा पर दुख जतएलखिन्ह.  अरविंद सिंहजी छात्र सभ के राजनीतिक पत्रकारिता के बारे मे बतौलखिन्ह.  हुनकर साफ कहनाय छलन्हि जे राजनीतिक पत्रकारिता बढ़ कठिन अछि आओर एहि के लेल सम्पर्क सूत्र बेसि सं बेसि बनयबाक चाही.  जतेक बेसि सम्पर्क रहत ओतेक बेसि खबर हाथ लागत.  मुदा एकटा गप्प सभ के कहनाय छलन्हि जे पत्रकारिता के क्षेत्र बड़ संघर्ष के क्षेत्र अछि आओर एहि मे खूब मेहनत करय के जरूरत अछि.  छात्र सभ के अपन- अपन स्टाएल बना कs लिखबाक चाही...रिपोर्टिंग करबाक चाही.  एहि वर्कशॉप मे हमरा सेहो बोलय के मौका मिलल.  कोनो वर्कशॉप मे बोलय के ई हमर पहिल अवसर छल.  हमरा न्यूजरुम के हलचल पर बोलय के लेल 10 मिनट के समय देल गेल छल.  ओहि मे हम विद्यार्थी सभ के  इलेक्ट्रानिक मीडिया के न्यूज़रुम के हलचल के बारे मे बताबय के प्रयास कएलौं.  मुदा एहि के लेल ई समय किछ कम पड़ि गेल आओर हमरा लागल जे जल्दी -जल्दी मे विद्यार्थी सभ के किछ बेसि जानकारी द देल जाए.  एहि लेल हम किछ स्पीड सं बोलय लगलौं. मुदा बाद मे हमर लागल जे हमरा हड़बड़यबाक नहि चाही छल.  किएक त जल्दी -जल्दी बतएला के बादो बहुत किछ बताबए के रहि गेल. जतेक वक्ता छलखिन्ह सभ त अपने बारे मे बोलैत गेलखिन्ह जे हम ई रिपोर्टिंग कएलौं... प्रधानमंत्री के संग त मंत्री के संग फलां ठाम गेलौं मुदा छात्र सभ के जे समाचार के जानकारी चाही छल ओ नहिं मिलि रहल छलन्हि.  ओना छात्र सभ के बताबए लेल बहुत किछ रहि गेल मुदा हुनका सभ के न्यूज रूम मे बारे मे जानए के लेल नब- नब चीज मिललैन्हि.  अगर फेर कोनो मौका मिलल त आओर विस्तार सं बताएल जाएत कि खबर अएला के बाद न्यूजरूम मे केना कि हलचल होएत अछि आओर खबर बनाबए लेल कतेक भागदौड़ होएत अछि. इनपुट... आउटपुट...  डेस्क... शॉट्स... पैकेज... पीसीआर...  एमसीआर...  एंकर...  रिपोर्टर...  लाइव... फोनो... ब्रेक... टीजर ...  रनडाउन एक- एक चीज के जानय के जरूरत छनि.
                                                                                         एहि वर्कशॉप मे दिल्ली विश्वविद्यालय के सभ पत्रकारिता कॉलेज के छात्र-छात्रा आओर प्रोफेसर सभ आएल छलखिन्ह.   दोसर सत्र मे हिन्दी आओर पत्रकारिता विभाग के अध्यापिका डॉ तृप्ता आओर मधु लोमेश सेहो अपन विचार व्यक्त कएलखिन्ह. मधु लोमेश जी के साफ कहनाय छलन्हि जे आई काल्हि के पत्रकारिता के हिसाब सं किताब उपलब्ध नहिं अछि आओर ओ पाठ्यक्रम के पुरान होय पर अफसोस सेहो जतएलखिन्ह.  खालसा कॉलेज के डॉ एच एस गिल जी के कहनाय छलन्हि जे एहन कार्यशाला छात्र सभ के लेल बड़ उपयोगी होए छनि ताही लेल एहि तरहक कार्यशाला बराबर होएत रहबाक चाही. छात्र सभ के एहि सभ सं काफी कुछ जानय के मिलैत अछि.  वर्कशॉप मे आएल छात्र-छात्रा सभ के सार्टिफिकेट...सम्मान सेहो देल गेल.  डॉ रेनू दु्ग्गल जी धन्यवाद ज्ञापन कएलखिन्ह.  ओना कार्यक्रम के सफल बनएबा मे प्रकाश प्रियदर्शी... रमण शुक्ला... लक्ष्मी शंकर मिश्र... बृजेश कुमार आओर सुजीत जीके बड़का योगदान रहलन्हि.   सभ गोटे कई दिन सं बर्कशॉप के सफल बनएबा मे लागल छलाह.  एहि वर्कशॉप मे ओना पंकज पचौरी आओर पुण्य प्रसुन वाजपेयी के सेहो बजाएल गेल छलन्हि मुदा हामी भरला के बादो ई सभ नहिं अएलखिन्ह.

    शेखावाटी उत्सव

                                                                                  राजस्थान देश के एहन राज्य अछि जकरा अहां सही मायने मे विविध आयाम वाला राज्य कही सकय छी.   राजस्थान मे अहां के हरल- भरल जंगल सं लs क सुन्दर- सुन्दर नीक झील मिलत... मरुस्थल मिलत... पैघ-पैघ राजमहल... किला मिलत जे अपन भव्यता के कहानी कहैत अछि.  सुन्दर-सुन्दर हवेली मिलत.  जयपुर... उदयपुर... जोधपुर... जैसलमेर...  माउंट आबू जका टूरिस्ट पैलेस मिलत.  राजस्थान अपना मे सभटा विविधता समेटने अछि.   एहि राजस्थान के नवलगढ़ मे 13 फरवरी सं 15 फरवरी धरि शेखावाटी उत्सव मनाएल गेल.   एहिठाम के सीकर... झुंझुनूं...  नवलगढ़ इलाका शेखावाटी के रुप मे जानल जाएत.  शेखावाटी देश के सभ सं बेसि शहीद देबय वाला इलाका के रूप मे जानल जाएत अछि.   लोक एकरा शहीदक भूमि कहैत अछि... वीरक भूमि कहैत अछि.   एहि भूमि पर राजस्थान कला, संस्कृति आओर पर्यटन विभाग... जिला प्रशासन... मोरारका फाउंडेशन आओर सहज फाउंडेशन के ओर सं तीन दिनक शेखावाटी उत्सवक आयोजन कएल गेल.  उत्सवक मुख्य आयोजन शहर के सूर्यमंडल स्टेडियम मे भेल.

                                                     एहि उत्सव के लेल मोरारका फाउंडेशन के कमल मोरारका जी के ओर सं दिल्ली आओर देश के दोसर हिस्सा सं पत्रकार सभ के सेहो न्योत देल गेल छलन्हि.  दिल्ली  सं हमरा सेहो जाए के मौका मिलल.  पत्रकार भाई लोकनि के तीन दिन तक ओहि ठाम खूब नीक आदर सत्कार भेलन्हि.   एकरा लेल जिनिया कम्यूनिकेशन के अमित झा जी प्रशंसा के पात्र छथि.  जेना लोक बेटी के विआह मे दिन- राति एक कएने रहय छथिन्ह ओहिना अमित जी किनको कोनो परेशानी नहिं होए ओकरा लेल एक  कएने रहलाह.   दिन राति भागि-दौड़ करैत रहलाह.   कोनो पत्रकार बंधु के कोनो कष्ट नहिं होए एकर पूरा ध्यान रखलाह. अमितजी के संग आयुष... मानव  सेहो जी-जान सं सेवा सत्कार मे जुटल रहलाह. 
                                                                     मोरारका जी पिछला 14 साल सं लगातार ई उत्सव मना रहल छथिन्ह. ओना सरकार के तरफ सं जे सहयोग मिलबाक चाही से हुनका नहिं मिलि रहल छनि मुदा स्थानीय लोकक खूब सहयोग मिललन्हि.   भोरे -भोर दिल्ली सं चलला के बाद बेरिया मे दु बजे के करीब नवलगढ़ पहुंचलौं.  ओतय हमरा सभ मे सं किछ पत्रकार के रूप विलास पैलेस आओर किछ लोक के रूप निवास कोठी मे ठहराएल गेल.  ओतय सं हमरा सभ के ऑर्गेनिक फॉर्म लंच के लेल बिदसर लs जाएल गेल.  चारू कात हरल भरल खेत के बीच फार्म हाउस आओर ओहि मे ओ भोज.  ओहि भोज के जतेक बड़ाई करू ओ कम होएत.  राजस्थानी थाली मे गामक... राजस्थानक खाना के आनंद आबि गेल.
                                                      आर्गेनिक फॉर्म लंच के बाद हम सभ गोटे सूर्यमंडल स्टेडियम दिस विदा भेलहुं.  ओतय दर्जनो स्टॉल लगाएल गेल छल.  कइ तरहक प्रतियोगिता के आयोजन सेहो कएल गेल छल.  गाम घर के लोक... लड़का सभ खेलकूद मे लागल छलाह त बाहर के लोक...विदेशी पर्यटक सभ ऑर्गेनिक फूड के मजा लेबय मे व्यस्त छलाह. फूड बाजार मे ग्रामीण संस्कृति के अनुरूप चूल्हा पर पकाएल गेल भोजन विदेशी सभ के लेल पसंदक भोजन बनि गेल छल.  ओना स्थानीय लोक एहिटाम चाइनीज... कांटीनेंटल भोजन के लुत्फ उठाबय मे आगा छलाह.  एतय लगाएल गेल स्टॉल पर महिला सभ सेहो अपन -अपन खरीदारी मे जुटल छलिह.    एहि उत्सव मे गामक आओर शहरक दुनु के मिलल- जुलल रूप देखल के मिलल.  एहि ठाम कई तरहक प्रतियोगिता के आयोजन भेल जेहि मे पोस्टर... पेंटिंग प्रतियोगिता... बंधेज... रंगोली... मेहंदी प्रतियोगिता आओर मटका दौड़... रस्सा-कस्सी...हरदड़ा... राउंडर बल्ला आओर कबड्डी के संग सतोलिया...लूणक्यार सेहो भेल.
                                                                         शेखावाटी उत्सव मे किसान संगोष्ठी सेहो भेल.  एहि मे सिक्किम सं लs क देश भर सं किसान भाई लोकनि आएल छलाह.  एहि मे आएल बेसि किसान लोकनि ऑर्गेनिक खेती सं जुड़ल छलाह.  किसान संगोष्ठी  के मुख्य अतिथि छलाह  मलेशिया  के सीटी गेना.  हुनकर कहनाय छलन्हि जे आबय वाला दिन मे ऑर्गेनिक खेती किसान भाई के लेल फायदा के खेती साबित होएत.  एहि के बाद सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो भेल जकर आनंद लोक सभ खूब उठएलाह.  कवि सम्मेलन...लॉफ्टर शो मे सामाजिक  कुरीति के निशाना बनाएल गेल.  लॉफ्टर चैंपियन रास बिहारी गौड़ तं अपन अंदाज मे हंसा हंसा लोक सभ के लोटपोट कs देलखिन्ह.  एकटा खास गप्प ई रहल जे तीनु दिन कार्यक्रम के आखिर मे जोरदार आतिशबाजी कएल गेल.  पूरा आकाश रंग बिरंगा आतिशबाजी सं रंगि गेल.  पूरा कार्यक्रम के दौरान लागल जेना पूरा शहर स्टेडियम मे आबि गेल होय.  स्थानीय लोक सभ के खूब समर्थन मिललन्हि आयोजक के.   एकटा गप्प आओर रहल जे ओतेक भीड़ रहितहुं.  एकदम सं शांति.   कतहुं एक -दु टा सं बेसि पुलिस वाला देखय के नहिं मिलल.  मुदा कोनो हो हल्ला नहिं. कोनो अप्रिय घटना नहिं. सभ किछ शांति सं भs गेल.
                                                                                   उत्सव मे शेखावाटी के सांस्कृतिक धरोहर के लs क  कएल गेल फोटो प्रदर्शनी सेहो लोकक आकर्षण के केन्द्र रहल.    सांझ मे राजस्थानी गीतनाद के कार्यक्रम सेहो भेल ओकर बाद हम सभ रातुक खाना के लेल नवलगढ़ के मिलू के धाणी विदा भेलहुं ऑर्गेनिक डिनर के लेल.   ओहि ठाम गजल के बीच कॉकटेल आओर डिनर के आनंद आबि गेल.  गीतनाद के बीत आतिशबाजी आओर खाना... कि कहल जाउ !   डिनर मे पत्रकार भाई लोकनि के संग शहर के सम्मानित लोक सभ सेहो आमंत्रित छलाह.  नीक व्यवस्था छल.
                      उस्तव के दोसर आओर तेसर दिन लोक सभ उत्सव के संग आस पास के उलाका घुमय के आनंद सेहो उठएलाह.  किछ लोक झुंझुनू त किछ  मांडवा त किछ सीकर दिस विदा भs गेलाह.  किछ लोक नवलगढ़ मे हवेली धुमि कs दिन बितयलाह.  एहिठाम हवेली सभ के बड़ नीक पेंटिंग कएल गेल अछि.  मधुबनी पेंटिंग्स जका. मधुबनी पेंटिंग्स त मूल रूप सं माइटक घर- देवाल पर कएल गेल अछि मुदा ओहि ठामक पेंटिंग हवेली सभ मे पूरा के पूरा देवाल पर कएल गेल अछि.  देश -विदेश के लोक ओहि पेंटिंग्स के देखय लेल आबय छथिन्ह.  हवेली सभ के पर्यटक स्थल के रूप मे बदलल जा रहल अछि. म् यूजियम के रूप देल जा रहल अछि.   अपन मिथिला मे एहि बातक कमी अछि. 
                    मोरारका जी के एक बात के लेल धन्यवाद सेहो देल जएबाक चाही जे ओ एहि क्षेत्रक आर्थिक विकास के  ग्रामीण पर्यटन सभाके  आयोजन सेहो कएलाह.  एहि मे गाम घर के लोक के संग गाम घरक परिवेश सं जुड़ल होटल... सरकारी आओर गैर सरकारी संगठन सं जुड़ल लोक सभ शामिल भेलाह.  मोरारका जी के प्रयास सं सैकड़ो किसान ऑर्गेनिक खेती सं जुड़ि फायदा उठा रहल छथिन्ह.  किसान भाई के रोजगार के नबका अवसर मिलि रहल छनि.  आर्थिक स्थिति मजबूत भs रहल छनि.


    एम्हर ओम्हर के खबर

    सहरसा-
    1. सहरसा के स्टेडियम ग्राउंड मे उद्योग मेला शुरू भेल. मेला मे नब -नब चीज के देखय लेल लोक के भीड़ आबि रहल अछि. सभ सं बेसि भीड़ कृषि विभाग के स्टॉल पर देखाय पड़ि रहल अछि.

    2. बिहार के उद्योग मंत्री दिनेशचन्द्र यादवजीक कहनाय छनि जे बैजनाथपुर पेपर मिल छह  मास के भीतर चालू  करि देल जाएत . एकरा लेल सरकार के तरह सं झंडा देखा देल गेल अछि आओर मिल के लेल जरूरी उपकरण...कल-पूर्जा जुटाबय के तैयारी सेहो शुरू  भs गेल अछि . मंत्रीजी के इहो कहनाय छलन्हि जे सहरसा मे जल्दीए एकटा बड़का औद्योगिक प्रांगण स्थापित  कएल जाएत.

    समस्तीपुर-

    राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय के फ्लैक्स हाउस मे दु दिनक मधु मेला शुरू भेल. ई मेला शुक्र आओर शनिदिन चलत.  मेला मे मधुमक्खी पालन के कइटा स्टॉल लगाएल गेल अछि.


    भागलपुर-

    भागलपुर मे पुसा के तर्ज पर एकटा नबका कृषि विश्वविद्यालय खोलल जाएत. एहि पर करीब 350 करोड़ रुपया खर्च होएत. एकर घोषणा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन विकास यात्रा के  क्रम मे कएलखिन्ह.



    झंझारपुर-

    बिहार के आपदा प्रबंधन राज्यमंत्री नीतीश कुमार के कहनाय छनि जे झंझारपुर मे राष्ट्रीय स्तर के स्टेडियम बनत. स्टेडियम मे ओ सभ सुविधा रहत से राष्ट्रीय स्तर के स्टेडियम मे होएत अछि.





    दरभंगा-

    अपन मांग के लs क बिहार राज्य विश्वविद्यालय आओर महाविद्यालय कर्मचारी महासंघ के आह्वान पर राज्य के  9 विश्वविद्यालय के सभटा शिक्षकेतर कर्मचारी सामूहिक अवकाश पर रहताह.


    Mora Mithila Gam

    Sunder Sugandhit Manmohak Achhi mor mithila gaam,
    Chhori jakra juni puchhu rahayt Katek chhi pareshaan ,

    Yau man padai achhi pawani tihar
    Sunder aripan a lekhan vichaar
    Sochataye hayat achhi chidai bani bhadi turtai Udan,

    Sunder Sugandhit Man mohak Achhi Mora Mithila Gaam.

    He matri-bhoomi maa mithele, Sunu Subodhak Pukaar
    Juni dur karu apan aanchlak mamta se karu aab Vichaar
    Sab ahin ke saanidhiye me rahai karu kunu ehen odiyaan

    Chhori Jakra juni puchhu katek rahayt chhi pareshaan

    - CA Subodh thakur
    Vill. Hainthi Bali
    Jhanjharpur

    मंत्रेश्वर झा जी के साहित्य अकादमी पुरस्कार

                                                                                                मिथिलाक... मैथिलीक मंत्रेश्वर झाजी के 'कतेक डारि पर'  किताब के लेल 2008 के साहित्य अकादमी पुरस्कार सं सम्मानित कएल गेलन्हि.   ई किताब हुनकर संस्मरण पर छनि.   झा जी के कविता... कहानी... नाटक... एकांकी... व्यंग्य पर कइटा किताब छपल छनि.  जेहि मे  खाधि...  अनचिन्हार गाम... बहसल रातिक इजोत... पान एलैए मखान एलैए... कांटक जंगल आ पलास... बालु परहक अल्पना...  चलय पनिभरनी... ओझा लेखे गाम बताह... टोंटानाथक चिट्ठी... फूसि फासि एकेडमी... प्रायश्चित...  समारोह...  चक्रवात...  चक्रव्यूह... पराजय... किएक चुप अछि बसंती...  सौभाग्यवती भव... विकट पाहुन... रिहर्सल... बहुरुपिया... धूर्तनगरी...  चाही एकटा नोकर...  पैघ लोक आओर एक बट्टे दो शामिल छनि.  मंत्रेश्वर जीक जन्म 6 जनवरी 1944 के मधुबनी के लालगंज मे भेलन्हि.   श्री झा रिटायर आईएएस अधिकारी छथिन्ह.  1967 मे  IAS  बनला के बाद बेगूसराय आओर सिंहभूम के डीएम  सेहो रहलाह.

                                                                                                                                      एहि बेर पुरस्कृत कृति मे भारतीय भाषाक सातटा उपन्यास... सातटा काव्य संग्रह... तीनटा आलोचनात्मक ग्रंथ...  पांचटा कहानी संग्रह आ एकटा संस्मरण शामिल अछि.  हिंदी के लेल ई पुरस्कार गोविन्द मिश्र जीके  'कोहरे में कैद रंग'   के लेल देल गेलन्हि.   पुरस्कार पाबय वाला मे तीनटा महिला सेहो छथिन्ह.   पुरस्कार के रूप मे 50 हजार रुपया... एकटा शॉल आओर स्मृति चिह्न देल गेलन्हि.  पुरस्कार साहित्य अकादमी के अध्यक्ष सुनील गंगोपाध्याय देलखिन्ह.  एहि बेर जे 23 टा  पुरस्कार देल गेल ओ ऐना अछि-
    रीता चौधरी (असमिया), 
    विद्यासागर नार्जारी (बोडो), 
    गोविंद मिश्र (हिन्दी), 
    श्रीनिवास बी. वैद्य (कन्नड़), 
    अशोक एस. कामत (कोंकणी),
    श्याम मनोहर (मराठी) 
    मित्र सैन मीत (पंजाबी)
    शरत कुमार मुखोपाध्याय (बांग्ला), 
    चंपा शर्मा (डोंगरी), 
    अराबम ओम्बी मेमचौबी (मणिपुरी), 
    प्रमोद कुमार मोहंती (ओड़िया), 
    ओमप्रकाश पांडे (संस्कृत), 
    चिटिप्रोलु कृष्णमूर्ति (तेलुगू) 
    जयंत परमार (उर्दू) 
    गुलाम नबी आतश (कश्मीरी), 
    दिवंगत केपी अप्पन (मलयालम) 
    हीरो शेवकाणी (सिंधी) 
    मंत्रेश्वर झा (मैथिली)
    सुमन शाह (गुजराती), 
    हायमन दास राई किरात (नेपाली), 
    दिनेश पांचाल (राजस्थानी), 
    बादल हेम्ब्रम (संथाली) 
    आओर मेलणमई पोन्नुसामी (तमिल)

    इग्नू सं मैथिलीक पढ़ाई...

    इंदिरा गांधी राष्ट्रीय मुक्त विश्वविद्यालय.. इग्नू सं मैथिलीक पढ़ाई एहि सत्र सं शुरू भs जाएत.  इग्नू के नबका सत्र जुलाई सं शुरू होएत.  नबका सत्र के लेल दाखिला शुरू अछि.  एकरा लेल दरभंगा के क्षेत्रीय कार्यालय के कोड द देल गेल अछि.  आ कोड मैथिली के फाउंडेशन कोर्स के लेल अछि.  मैथिलीक कोड अछि BMAF-001.  एकरे संग भोजपुरी के पढ़ाई सेहो शुरू होएत.  भोजपुरी के कोड अछि BBHF-001.  उत्तर बिहार के करीब- करीब  पूरा इलाका दरभंगा केंद्र के भीतर आबैत अछि.   आब स्नातक के पढ़ाई करय वाला छात्र फाउंडेशन कोर्स मे एकटा विषय के रूप मे मैथिली या भोजपुरी राखि सकैत छथि.  मैथिली के फाउंजेशन कोर्स मे मैथिली भाषा... साहित्य.. ऐतिहासिक... सांस्कृतिक  लोक परंपरा के संग मिथिलाक्षर के सेहो शामिल कएल गेल अछि.  इग्नू के पाठ्यक्रम बड़ नीक होएत अछि. एहि ठाम सं पढ़ाई करय वाला छात्र के इग्नू के ओर सं स्टडी मैटेरियल देल जाएत अछि. जे उच्च स्तर के होएत अछि. 

    आकाशवाणी सं मैथिली संगीत

    मैथिल लोक के लेल एकटा नीक खबर अछि. आकाशवाणी केंद्र दरभंगा सं आब मैथिली मे सुगम संगीत के प्रसारण होएत. शुरू मे मैथिली सुगन संगीत के प्रसारण दु दिन होएत जकरा बाद मे बढ़ा कs सभ दिन करि देल जाएत. एहि मे मैथिली गीतनाद... भजन... गजल के प्रसारण होएत. एहि कदम सं त मैथिलीक लोकप्रियता त बढ़बे करत गायक... संगीतकार आओर गीतकार सभ के रोजगार सेहो मिलतन्हि. दरभंगा आओर आसपास के इलाका के लोक सभ एकर फायदा उठा सकय छथिन्ह. एकटा नीक गप्प आओर ई अछि जे एकटा गीतकार सं साल मे पांचेटा गीत लेल जएतन्हि . एकर फायदा ई होएत जे साल मे सय... सवा सय कलाकार के... गीतकार के मौका मिलतन्हि. गीतकार के गीत के सवा 6 सय रुपया के हिसाब सं पाई देल जएतन्हि. एकरे संग गायक के साढ़े 9 सय आओर संगीतकार के साढ़े बारह सय रुपया देल जाएत. एकरा लेल कलाकार के चयन आओर स्वर परीक्षा प्रक्रिया शुरू कs देल गेल अछि. आवेदन लेल जा रहल अछि. 24 फरवरी सं 27 फरवरी धरि स्वर परीक्षा लेल जाएत. चुनल कलाकार के डाक आओऱ फोन सं सूचित करि देल जाएत.

    दरभंगा आकाशवाणी सं मैथिली मे समाचार बुलेटिन शुरू होए के बादहिं सं मैथिली मे सुगम संगीत के कार्यक्रम शुरू करय के मांग भs रहल छल. आकाशवाणी महानिदेशालय सं एकर अनुमति सेहो मिलि गेल अछि. मैथिली के मान्यता मिलला केर बाद सं एकर विकास के लेल काज भs रहल अछि. आगां जाs क मैथिली के आओर कार्यक्रम सभ शुरू भs सकैत अछि. बस बीच...बीच मे नेता सभ...अफसर सभ के हुरकारैत रहय के जरूरत अछि.

    जे होय नीक अछि...

    मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आई काल्हि विकास यात्रा के दोसरचरण मे निकललि छथिन्ह. विकास यात्रा के लs क बड़ आलोचना सेहो भs रहल छनि. विपक्षी दल सभ के कहनाय छनि जे ई पाइ के बरबादी अछि... सरकार के कामकाज प्रभावित भs रहल अछि... आओर ई विकास नहिं विनाश यात्रा अछि. नहि जाने कि कि. मुदा जे होय गाम घर के... टोला मुहल्ला के लोक के लेल ई एकटा नया अनुभव अछि. कि अहां कहिओ सोचने रहि जे मंत्रिमंडल के बैठक अहांक गाम मे भs सकैत अछि ? शिकायत सुनैत नीतीश कुमार मुख्यमंत्री जी अपन सभ मंत्री के संग अहांक गाम मे अएताह ? मुदा ई भs रहल अछि. मुख्यमंत्री जी अपन पूरा मंत्रिमंडल के संग... पैघ-पैघ अफसर सभ के संग... पार्टी के नेता सभ के संग गामे गाम जा रहल छथिन्ह. सरकार अहांक घर पर आएल अछि. जे दुख... परेशानी... समस्या अछि सीधा सरकार सं कहिऔ. बीच मे कोई नहिं. एहन मौका फेर मिलत आ नहिं. जे शिकायत अछि कहि दिऔ.
    दोसर पार्टी के नेता सभ जे कहथिन्ह ई लोक के लेल नीक कदम अछि. सरकार के लेल नीक कदम अछि... नीतीश जी के लेल खुद नीक छनि. सरकार के... मुख्यमंत्री के... अधिकारी के लेल गाम घर के परेशानी... समस्या जानय के ई नीक अवसर छनि. लोक सभ सेहो एकर फायदा उठा रहल छथिन्ह. बढ़ि-चढ़ि के विकास यात्रा मे आबि रहल छथिन्ह. मुख्यमंत्री जी सेहो लोक सभ के अपन समस्या कहय लेल प्रेरित करय छथिन्ह... कहय छथिन्ह जे ककरो सं डरय के जरूरत नहिं अछि खुलि कs बोलु. लोक सभ सेहो हिम्मत कs बोलय छथिन्ह. मुदा लोक के मुख्यमंत्री सं ओतेक डर नहिं लगैय छनि जतेक कि खाकी वर्दी वाला पुलिस आ पुलिस अफसर सं... अपन गाम- घर के छुटभैया नेता सभ सं. किएक त मुख्यमंत्री के गेलाह के बाद इहे सभ हरकयथिन्ह जे कि जरूरत छल ई सभ बोलय के... बड़ बोलय छलौंह मुख्यमंत्री ठाम आब बुझिऔ... फलां फलां
    .नीतीश कुमार, मुख्यमंत्री, बिहार
    ई जानतहिं कि जिनका बारे मे शिकायत करबन्हि ओ बाद मे हमरा सं झगड़ा करत... हमेशा के लेल ओ हमर दुश्मन बनि जाएत लोक हिम्मत कs रहल छथिन्ह. अहां के ई गप्प ओनरगर लगि सकैत अछि. मुदा गाम घर के लोक अखनो एहन हाल मे छथिन्ह जे बड़का लोक... हाकिम... दरोगा... अफसर... नेता के खिलाफ खुलि कs नहिं बोलय छथिन्ह. मुंह के पाछां भले बड़का- बड़का हांकि देताह मुदा मुंह पर किछ कहय सं बचताह. आओर ओहि मे दीन-हीन हाल मे रहय वाला लोक त कहबे नहिं करु. गाम घऱ मे जिनका ओतय काज करय छथिन्ह... सभ के मालिके बुझय छथिन्ह. अगर मालिके के शिकायत करताह त कतय कमयताह आओर कतय खयताह. जल मे रहि क मगर सं बैर नहिं राखल जा सकय अछि. सामाजिक ताना- बाना के ई मामला लोक के सोचय पड़य छनि. भ्रष्टाचार... रिश्वत... ठगनाय ई सभ नहिं रुकय के बड़का कारण अछि ई. जे कमजोर लोक धम्मगर लोक...बलगर लोक के खिलाफ किछ बाजय सं बचय छथिन्ह. किएक त रहय के त अछि हिनके सभ के संग. कोनो छोट- मोट काज के लेल हिनके सभ के आगां हाथ पसारय पड़ैत अछि. त मुख्यमंत्री के आगां सभ लोक त नहिं किछ लोक हिम्मत जरूर क s रहल छथिन्ह. मुख्यमंत्री जी के कइटा अफसर के सस्पैंड करला सं लोक के बल मिलल अछि. खुलि रहल छथिन्ह. मुख्यमंत्री जी सेहो लोक के हिम्मत दिलाबय लेल कहय छथिन्ह खुलि कs बोलुं... हम छी नहिं.
    मुख्यमंत्री जतय रात्रि विश्राम करय छथिन्ह ओतय राति मे लोक संगीत के कार्यक्रम सेहो होएत अछि. लोक सभ सं चर्चा होएत अछि. भोरे- भोर निकलि जाए छथिन्ह गाम घुमय लेल... गाम घुमय के क्रम मे बेसि कs ओ दलित बस्ती दिस जाए छथिन्ह. लोक सभ सं मिलय छथिन्ह. हुनकर परेशानी के बारे मे जानय छथिन्ह. ककरो पास राशन कार्ड नहिं छै... त ककरो डीलर चीनी... मटिया तेल नहिं दैत छै. ककरो लाल कार्ड नहिं बनल अछि. त ककरो इंदिरा आवास योजना के पाई नहिं मिलल. ककरो पेंशन के पाई रुकल अछि त कोनो ठाम स्कूल मे मास्टर साहेब पढ़ाबय नहिं आबय छथिन्ह. त कतहुं स्वास्थ्य केंद्र मे डॉक्टर साहेब नहिं रहय छथिन्ह. कोनो गाम मे खरंजा नहिं छै त कोनो ठाम बिजली के ट्रांसफर्मर जलल अछि. एक के बाद एक परेशानी...शिकायत मुख्यमंत्री के सुनय लेल मिलि रहल छनि. मुख्यमंत्री जी तत्काल एकरा दूर करय के कोशिश सेहो करय छथिन्ह. नहिं त अफसर सभ के जरूरी निर्देश दैत जाए छथिन्ह.
    अहां सोचिऔ कि ई सभ राजधानी पटना सं कहिऔ
    विकास यात्रा मे नीतीश कुमारसंभव छल. खर्च के लs क जे हो हल्ला भs रहल अछि ओ सही नहिं अछि किएक स सरकार लोकक कल्याण के लेल हजारो करोड़ रुपया के योजना लाबैत अछि... लोकक कल्याण के लेल हजारो करोड़ रुपया खर्च होएत अछि. आओर एहि मे जतेक खर्च भs रहल अछि ओकर लाभ त सीधा लोक के मिलि रहल छनि. संगहि विकास यात्रा जेहि -जेहि रास्ता सं गुजरि रहल अछि अफसर सभ ओकरा चमकाबय मे सेहो लागल रहय छथिन्ह. एहि सं सड़क...बिजली...पानि के मामला मे किछ सुधार सेहो भs रहल अछि. जे होए अपना तरहक ई अलगे यात्रा अछि.

    मैथिली साहित्यक पहिल इतिहासकार नहिं रहलाह

    मैथिली आओर अंग्रेजी के प्रकांड विद्वान डा. जयकांत मिश्र नहिं रहलाह. 3 फरवरी मंगल दिन इलाहाबाद मे हिनकर निधन भs गेलन्हि. जयकांत जी 87 साल के छलाह. महामहोपाध्याय उमेश मिश्र जीक पुत्र डा. जयकांत मिश्र जीकक जन्म 22 दिसंबर 1922 के मधुबनी जिला के गजहरा गाम मे भेल छलन्हि. डा. मिश्र मैथिली साहित्यक इतिहास 'ए हिस्ट्री आफ मैथिली लिटरेचर' लिखय वाला पहिल साहित्यकार छलाह. जयकांत जी इलाहाबाद विश्वविद्यालय मे अंग्रेजी शिक्षक आ विभागाध्यक्ष छलाह. 1963 मे इलाहाबाद मे मैथिली पत्र... पत्रिका के प्रदर्शनी लगएलाह जेहि मे ओहि समयक भारत के प्रधानमंत्री पं. जवाहरलाल नेहरू सेहो आएल छलखिन्ह. जकर बाद 1965 में मैथिली के साहित्य अकादमी मे शामिल कएल गेल. मिश्रजी साहित्य अकादमी मे मैथिलीक प्रतिनिधि सेहो छलाह आ आजीवन मैथिलीक विकास के लेल लागल रहलाह. 1982 मे इलाहाबाद विश्वविद्यालय सं रिटायर भेलाह के बाद चित्रकूट ग्रामोदय विश्वविद्यालय सं जुड़ि गेलाह. हिनकर लिखल किताब मे कीर्तनिया ड्रामा... फोक लिटरेचर ऑफ मिथिला आओर ए हिस्ट्री आफ मैथिली लिटरेचर शामिल अछि. हिनकर निधन के समाचार मिलतहि समस्त मैथिल लोक शोक के लहर मे डूबि गेलाह. अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद के धनाकर ठाकुर जी हुनकर निधन पर शोक जताबैत कहलथिन्ह जे मैथिली के विकास मे जयकांत जीक बड़ पैघ हाथ छनि. मैथिलीक विकास के लेल ओ गाम...गाम...घऱ...घर एक कएने रहलाह. गाम-गाम घुमि मैथिली आंदोलन चलएलाह. ईश्वर हुनकर आत्मा के शांति प्रदान करथिन्ह.


    एनडीटीवी सं टीवी पत्रकार के ट्रेनिंग

    टीवी पत्रकार बनय के इच्छा राखय वाला के लेल एकटा नीक खबर अछि. एनडीटीवी सेहो पत्रकारिता संस्थान खोलि देलक अछि. एहि सं पहिने आजतक... बीएजी... पॉयनियर... टाइम्स जैसन मीडिया हाउस सेहो पत्रकारिता संस्थान चला रहल छल. टीवी पत्रकारिता के क्षेत्र मे एनडीटीवी के लेल कोनो परिचय देबय के जरूरत नहिं अछि. ओना एनडीटीवी के ई ब्रॉडकास्ट ट्रेनिंग प्रोग्राम आम लोक के लेल नहिं अछि. नौ मास के एहि एप्रेंटिस ट्रेनिंग प्रोग्राम के फीस अछि एक लाख 85 हजार रुपया. गाम... घर के जे लोक एहि क्षेत्र मे आबय चाहय छथिन्ह हुनका लेल ई फीस कनि भारी पड़तन्हि. ओना आब त कइटा संस्थान दु-दु... तीन-तीन लाख रुपया तक लs रहल अछि. मुदा सरकारी संस्थान आओर नीक पत्रकारिता संस्थान मे अहां अखनो पचास हजार सं कम मे पत्रकारिता ट्रेनिंग पाबि सकय छी.
    एनडीटीवी के ई कोर्स 9 मास के अछि आओर एहि के लेल 40 टा छात्र के चुनल जाएत. पहिल बैच मार्च 2009 सं शुरू होएत आओर दोसर जुलाई सं. एकटा जरूरी बात ई जे छात्र के स्नातक के संग उम्र 27 साल सं कम होबाक चाही. पहिल बैच के लेल फॉर्म जमा करय के आखिरी दिन अछि 23 फरवरी. ट्रेनिंग के दौरान नीक प्रदर्शन कएला पर एनडीटीवी सं जुड़य के सेहो अवसर मिलि सकय छनि. छात्र के एनडीटीवी मे डॉ प्रणय रॉय के संग विक्रम चन्द्रा... बरखा दत्त... विजय त्रिवेदी... मनोरंजन भारती... संजय अहिरवाल... पंकज पचौरी... सोनिया सिंह... रवीश कुमार... मनीष कुमार... आओर विनोद दुआ जैसन नामी पत्रकार सं पढ़य...लिखय के जानय के मौका मिलतन्हि. ट्रेनिंग के बारे मे आओर कोनो जानकारी चाही त अहां एहि ठाम सम्पर्क कs सकय छी...

    NEW DELHI TELEVISION LIMITED
    207, Okhla Industrial Estate,
    Phase III, New Delhi - 110 020, India
    Phone: +91 11 66176306, +91 11 66176250
    Mobile: +91 98118 47142
    Email: ndtvmi@ndtv.com
    For Feedback: ssinghal@ndtv.com
    Web: www.ndtvmi.com

    Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial

    अहांक विचार / सुझाव