नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

रेल बजट : बिहार के उपेक्षा

ममता बनर्जी के रेल बजट मे बिहार के उपेक्षा के लोक निराश छथि. लोक के उम्मीद छल जे कम सं कम लालूजी जे परियोजना शुरू कएने छथिन्ह ओकरा मे तेजी लाएल जाएत. मुदा ओहि पर एक तरहे समझु नहि ध्यान देल गेल. ओहि परियोजना सभ के लेल काफी कम राशि देल गेल अछि. एकतरहे खानापूर्ति कएल गेल अछि. गर्मी छुट्टी... छठ... दुर्गा पूजा... होली के समय बिहार जाए वाला ट्रेन मे कि हाल रहैत अछि जे अहां सभ जानिते छी. लोक के उम्मीद छल जे किछ नबका ट्रेन शुरू कएल जाएत. मुदा ओ पूरा नहि भेल. 

देश मे 50 टा विश्वस्तरीय स्टेशन बनाएल जाएत ओहि मे बिहार सं सिर्फ गया अछि. पटना के नाम ओहि मे नहि अछि. एहि बात पर पूर्व रेल मंत्री लालू यादव जी सेहो अपन नाराजगी जतएलखिन्ह. सातटा शहर मे स्टेशन पर एंबुलेंस सेवा शुरू कएल जाएत ओहि मे सेहो बिहार के कोनो स्टेशन नहि अछि. लेडीज स्पेशन के सुविधा सेहो बिहार के लेल अखन नहि अछि. बारहटा नॉन स्टॉप ट्रेन चलाएल जाएत ओहि मे सेहो बिहार के एकोटा ट्रेन नहि अछि. कम सं कम पटना से दिल्ली या पटना सं कोलकाता के लेल देबाक चाही छल. लोक मे एहि बात के लेल सेहो रोष अछि.
देश के जे 375 स्टेशन के आदर्श स्टेशन के रूप मे बदलल जाएत ओहि मे बिहार के बिहार शरीफ... जयनगर... मधुबनी... पटना साहिब... सीतामढी आओर सुल्तानगंज शामिल अछि.

रेल बजट मे 57टा नबका ट्रेन शुरू कएल गेल...27टा के विस्तार आओर 13टा ट्रेन के फेरा बढ़ाबय के घोषणा कएल गेल...
नबका ट्रेन एहि प्रकार सं अछि जे बिहार सं गुजरत...
- न्यू जलपाईगुड़ी- दिल्ली एक्सप्रेस वाया बरौनी (सप्ताह मे दु दिन)
- नई दिल्ली- गुवाहाटी राजधानी एक्सप्रेस (साप्ताहिक) वाया मुजफ्फरपुर
- रांची -पटना जनशताब्दी एक्सप्रेस (प्रतिदिन)
- जमालपुर- गया पैसेंजर (प्रतिदिन)
- झाझा- पटना एमईएमयू (प्रतिदिन)
जेहि गाड़ी के विस्तार देल गेल अछि ओ एहि तरह सं अछि-
- पोरबंदर-बापूधाम-मोतिहारी का मुजफ्फरपुर तक विस्तार (सप्ताह मे दु दिन)
जकर फेरा बढ़ाएल गेल अछि से अछि-
- सिकंदराबाद-पटना (सप्ताह मे दु दिन सं बढ़ाक प्रतिदिन)
- पुणे-पटना एक्सप्रेस (सप्ताह मे चारि दिन सं बढ़ाक प्रतिदिन)
जखन लोकसभा चुनाव खत्म भेल छल आओर रिजल्ट आएल छल त हम एकटा लेख लिखने छलहुं कि नीतीश के जीत बिहार के हार अछि त कइटा लोक एकरा बकवास करार देने छलखिन्ह. मुदा रेल बजट सं साबित भs रहल अछि जे बिहार के संग भेदभाव के शुरूआत भ गेल अछि. खबर त एहनो अछि जे बिहार के केंद्र तरफ जे पाई मिलैत अछि ओहि मे सेहो कटौती भs रहल अछि. एहन संकेत मिलि रहल अछि जे वर्ष 2009-10 के लेल बिहार के योजना मे पांच हजार करोड़ रुपया के कमी कएल जा रहल अछि. आब देखिऔ कि होएत अछि.
Bookmark and Share

1 टिप्पणी:

अहां अपन विचार/सुझाव एहिठाम लिखु