अपन गाम-घरक समाचार... कविता... कहानी... सुझाव... विचार... राय... कमेंट एहि पता पर भेजु : - hellomithilaa@gmail.com

नवका- पुरनका लेख सर्च करु...

मैथिली के स्कॉलर एट रेजीडेंस

साहित्य अकादमी दिल्ली के ओर सं मैथिली के पांचटा साहित्यकार के स्कॉलर एट रेजीडेंस बनाएल गेल अछि. पांचटा साहित्यकार मे पं. श्रीचंद्रनाथ मिश्र 'अमर' आओर डॉ. रामदेव झा दरभंगा सं ... डॉ. मायानंद मिश्र सहरसा सं आओर पं. गोविंद झा आओर मार्कण्डेय प्रवासी पटना सं छथिन्ह. हिनका सभ के अपन किताब के लेल साहित्य अकादमी के सम्मान पहिनहिं मिलि चुकल अछि.
पं. श्रीचंद्रनाथ मिश्र 'अमर' आओर डा. रामदेव झा साहित्य अकादमी मे मैथिली के प्रतिनिधि सेहो रहि चुकल छथिन्ह. स्कॉलर एट रेजीडेंस बनला के बाद हिनका सभ के छह मास धरि पचीस हजार रुपया मिलतन्हि आओर साहित्य केर विकासके लेल काज करय पड़तन्हि. एहि के लेल हिनका सभ के दिल्ली मे रहय के जरूरत नहिं छनि. सभ गोटे घरहिं पर रहि कS साहित्य के विकासके लेल सोचथिन्ह आओर काज करथिन्ह. स्कॉलर एट रेजीडेंस के एहि योजना मे 24 भाषा के साहित्यकार सभके जोड़ल गेल अछि.
Bookmark and Share

0 Comments:

Post a Comment

अहांक विचार/सुझाव...

कोनो परेशानी भेलाह पर एतय क्लिक करु;..
Planning to marry? Register at Shaadi.com Matrimonial

अहांक विचार / सुझाव