नव वर्ष मंगलमय हो...
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 7 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
एकरो देखु...

http://muskuraahat.blogspot.com
नीक- नीक आओर फोटो देखय लेल क्लिक करु मुस्कुराहट
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 4 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
बेंगलुरु मे विद्यापति समारोह
कार्यक्रमक शुरुआत कर्नाटक के राज्यपाल डॉ. रामेश्वर ठाकुरजीक दीप प्रज्ज्वलन आ सांसद श्री रामा जोइस जीक क उद्-बोधन सँ भेल. दूनू विशिष्ट अतिथि के पाग आ दोपट्टा सँ सम्मानित कएल गेलन्हि.
समारोह मे मौजूद विद्वान लोकनि सभ मिथिला आ मैथिली सँस्क़ृति पर अपन विचार देलथि मुदा सभ सं खास गप्प इ रहल जे डॉ. रामेश्वर ठाकुरजी अपन विचार मैथिली मे प्रकट कयलथि.
जाहि मे पत्रिकाक उद्देश्य... उपलब्धि... आगामी परियोजना आ एहि सँ जुडल विभिन्न मुद्दा पर संगठनक विचार सँ उपस्थित मैथिल गण केँ अवगत करौलथिन्ह.
कार्यक्रमक बैनर सेहो हिन्दी मे लिखल गेल छल. इ समारोह अपना पाछू कतेक प्रश्न छोडि गेल जेना केवल राजनैतिक महत्त्वाकांक्षा आ वर्चस्ववाद के लेल एहन तरहक आयोजन कएला सँ मैथिली भाषा आ मैथिली सँस्कृति के कोना लाभ होयत.
जे होय लोक सभ के त मैथिली गीत नाद कार्यक्रम स मतलब छलन्हि जकर ओ सभ जमि कs आनन्द उठाएलाह. मिथिलाक सं बाहर मैथिली मे एहन कार्यक्रम होएत रहैत अछि त लोक सभ गाम- घर के याद मे पहुंचि जाए छथि. एहन कार्यक्रम बेर -बेर होबाक चाही.रिपोर्ट- कुन्दन कुमार मल्लिक
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 2 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: गाम सं दूर गामक गप्प, मिथिला- मैथिली, सभा-संगत
बाढ़ि राहत पैकेजक मांग
बिहार मे आएल कोसीक बाढ़ि के बाद राहत आओर पुनर्वास के लेल बिहार सरकार केन्द्र सरकार सं चौदह हजार आठ सय आठ (14,808 ) करोड़ रुपया केर मांग कएलक अछि. ई भेल एक सय अड़तालीस अरब रुपया. ई मांग एनडीए संयोजक आओर जेडीयू अध्यक्ष शरद यादव प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह सं भेंट करय समय कएलखिन्ह. प्रधानमंत्री जी कहलखिन्ह जे हरसंभव मदद देल जाएत.
बिहार सरकार के कहनाय अछि जे बाढ़ि प्रभावित इलाका मे करीब साढ़े तीन लाख मकान बनाबय के जरूरत अछि आओर एक मकान के बनाबय के लेल अगर डेढ़ लाख रुपया लागत मानल जाय तs ओहि हिसाब सं साढ़े तीन लाख मकान के लेल साढ़े बाबन अरब रुपया के जरूरत पड़त. एहि तरहे सामुदायिक शिविर बनाबय लेल 15 अरब तीस करोड़ रुपया चाही. मालजाल ... मवेशी... पशु शिविर बनाबय लेल सेहो 4 अरब रुपया के जरूरत पड़त. एकरे संग केंन्द्र सरकार सं कएल गेल मांग मे ई कहल गेल अछि जे बाढ़ि के कारण प्रभावित इलाका मे सड़क... स्वास्थ्य सेवा... आओर स्कूल... कॉलेज के भारी नुकसान पहुंचल अछि ओकरा फेर सं बनाबय लेल सेहो अफरात पाइ चाही. एहि के लेल जखन धरि पर्याप्त पाइ के इंतजाम नहिं होएत. लोकक के छोट-छोट बात के लेल परेशानी के सामना करय पड़त.
ओना बाढ़ि के चारि मास भs गेलाह के बादो लोकक परेशानी कम नहिं भेल अछि. अखन त शिविर मे रहय वाला लोक सभ के ठंड सं ठिठुरय पड़िल रहल छनि. तिरपाल के शिविर मे ठंडा हवा चारु कात सं लोक से सिहरा रहल अछि. लोक के पास गरम कपड़ा... लत्ता नहिं छनि जेहि सं ठंडी सं बचाव करताह. एम्हर दस-पन्द्रह दिन सं मौसम से खराब अछि. कई-कई दिन बाद सूरज देवता के दर्शन होएत अछि. सरकार तरफ सं लोक सभ के जे अनाज आओर दोसर सहायता मिलल छल सेहो खत्म होए वाला छै. अखन धरि चारु कात तबाही... बीमारी पसरल अछि. लोक कोने तरहे जिनगी बिता रहल छथिन्ह. एतेक दिन भेलाह के बादहुं जीवन सामान्य नहिं भs पाएल अछि. कइटा इलाका त एहन अछि जे आइओ पानि जमा अछि. रोटी...कपड़ा आओर मकान के समस्या आइओ जस के तस अछि.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 2 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: बिहार मे बाढ़ि, मिथिला- मैथिली
कृषि विद्यालय खुलत...
बिहार मे चरवाहा विद्यालय के जगह आब कृषि विद्यालय खुलत. एहि मे किसान भाई के खेती आओर कृषि पर आधारित अन्य रोजगार के ट्रेनिंग देल जाएत. राज्य भर मे एकरा लेल 534 कृषि विद्यालय खोलत जाएत. ई कृषि स्कूल हर ब्लॉक मे खोलय जाएत. एहि स्कूल के लेल कम सं कम ढ़ाई एकड़ जगह होबाक चाही. जगह उपलब्ध भs गेलाह पर ओहि स्कूल के सरकार तरफ सं पचास हजार रुपया देल जाएत. जेहि सं स्कूल मे पढ़ाई आओर कृषि ट्रेनिंग के सामान खरीदल जा सकत. एहि स्कूल मे खेती करय के संग खेती सं जुड़ल दोसर प्रशिक्षण मिलत. एहि मे मुर्गी पालन... मछली पालन ... डेयरी आओर पशुपालन सं जुड़ल प्रशिक्षण शामिल अछि. एहि मे ट्रेनिंग लेलाह के बाद किसान भाई लोकनि अपन- अपन इलाका मे जाs क अपन गाम के लोक सभ के आधुनिक ढंग सं खेती आओर पशुपालन करय के बारे मे बतयथिन्ह.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 1 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: career, करियर, मिथिला- मैथिली
बेंगलुरु मे विद्यापति समारोह
दक्षिण भारतीय राज्य कर्नाटकक राजधानी बेंगलुरु मे 25 दिसम्बर ...
बृहस्पति दिन विद्यापति समारोह होबए जा रहल अछि. समारोहक आयोजन विद्यापति मैथिली परिषद्, बेंगलुरु केर तत्वाधान मे भs रहल अछि. बेंगलुरु मे कन्नडिगा बिहार समाज अछि . कन्नडिगा बिहार समाज एहिठाम 'राजेन्द्र प्रसाद मेमोरियल ट्रस्ट' के तहत विभिन्न तरहक साँस्कृतिक कार्यक्रम चलबैत अछि जाहि मे दुर्गापूजाक आयोजन विशेष प्रसिद्ध अछि . मुदा एहि साल किछु वैचारिक एवम् राजनैतिक मतभेद के कारणे ई दू भाग मे बँटि गेल ओहि मे सँ एकटा ग्रुप श्री हरिश्चन्द्र झा केर अध्यक्षता मे एहि कार्यक्रमक आयोजन कय रहल अछि. कार्यक्रम के सन्दर्भ मे विशेष जानकारी के लेल सम्पर्क क सकय छी-
(Opp. Kanteerava Studio Road)
Bengaluru- 560 022
98450 52066 & 98452 02215
रिपोर्ट- कुन्दन कुमार मल्लिक,
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: गाम सं दूर गामक गप्प, सभा-संगत
यूथ आइकॉन बनला नीतीश मिश्र
मिथिलाक लेल एकटा खुशीक गप्प अछि. अपन नीतीश मिश्र जी वर्ष 2008 के लेल पेप्सी एमटीवी यूथ आइकॉन चुनल गेलाह अ.
नीतीश मिश्र जी झंझारपुर सं जेडीयू के विधायक आओर बिहार सरकार मे आपदा प्रबंधन राज्यमंत्री छथिन्ह. मधुबनी जिला मे चलाएल जा रहल हिनकर ई-स्वास्थ्य परियोजना के दुनियाभर मे सराहना मिललन्हि अछि. एहि बेर हिनका मिलाकs आठ टा लोक यूथ आइकॉन चुनल गेलाह अ. सभ अलग-अलग क्षेत्र सं जुड़ल छथिन्ह. एहि मे फैशन डिजाइनर... मुक्केबाज़... साइबर सिक्योरिटी गुरु... फिल्मकार आ संगीतकार शामिल छथिन्ह. हिनका सभ के ओहि तीस लोक मे सं चुनल गेलन्हि अ जेहि के लेल आठ हजार सं बेसि लोक आवेदन कएने छलथिन्ह. ई चुनाव ऑनलाइन वोटिंग आओर एसएमएस सं भेल अछि. एहि सं पहिने महेन्द्र सिंह धोनी... राहुल द्रविड... शाहरुख खान आओर अनिल अंबानी के ई सम्मान मिलि चुकल छनि.
य़ूथ आइकॉन चुनल गेलाह पर नीतीश जीक फोटो नाम के संग पेप्सी के दस लाख केन पर छपत आओर हिनकर काज के लोक सभ के सामने लाएल जाएत. विदेश सं पढ़ाई कs क अएला के बाद कोनो बड़का कंपनी मे काज नहिं कs नीतीश जी राजनीति मे उतरलाह. ओना राजनीति त हिनकर खून मे छनि. नीतीशजी पूर्व मुख्यमंत्री जगन्नाथ मिश्रजीक पुत्र छथिन्ह. हिनकर चाचाजी पूर्व रेलमंत्री स्वर्गीय ललित नारायण मिश्रजी देश के धाकड़ नेता मे सं छलखिन्ह आओर हिनकर समय मे बिहार मे खूब विकास भेल. मुदा जनवरी 1974 मे हुनकर हत्या कs देल गेलन्हि. ओहि दिन बिहार के विकास के एकटा अध्याय खत्म भs गेल छल. नीतीश मिश्रजी खुद नीक काज कs रहल छथिन्ह. 18 अगस्त के कोसीक बाढ़ि के बाद पूरा राहत... आपदा प्रबंधन हिनके ऊपर छनि. बाढ़िक दिन सं नीतीश जी लोकक मदद मे जुटल छथिन्ह. खुद बचाव आओर राहत काज के निगरानी कs रहल छथिन्ह. एक- एक चीज पर ध्यान राखय छथिन्ह. एक तरहे कहि सकय छी जे हिनका नेतृत्व मे दुनिया के सभस पैघ राहत कार्य चलि रहल अछि. बाढ़ि सं सहरसा... सुपौल... अररिसा... पूर्णिया मे भारी तबाही भेल. जानमाल के भारी नुकसान भेल. कोसीक बाढ़ि के बाद करीब नौ... दस लाख लोक के सुरक्षित स्थान पर पहुंचाएल गेल. रहय...खाय पिबय के व्यवस्था कएल गेल. राहत के काज अखन धरि जारी अछि. राहत काज मे नीतीशजी के एहि इलाका सुपौल... बलुआ बाजार सं होय के फायदा मिलि रहल छनि ओ इलाका सं नीक जकां परिचित छथिन्ह आ हिनका अगुआई मे नीक काज भs रहल छनि. लोक के बाढ़ि सं संबंधित ताजा जानकारी मिलैत रहय एकरा लेल नीतीशजी बाढ़ि प्रबंधन सूचना तंत्र सेहो बनौले छथिन्ह.
नीतीश मिश्र के यूथ आइकॉन चुनल गेलाह के बाद मिथिला... बिहार मे खुशीक लहर अछि. गामघर के लोक सभ त खुश छथिन्हे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारजी सेहो खुशी व्यक्त कएलखिन्ह अ आ अपन मंत्रीजी के बधाई सेहो देलखिन्ह अ.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 3 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन
अलग मिथिला राज्य के मांग एक बेर फेर जोर पकड़ल अछि. दिल्ली के लाजपतनगर मे शुरू भेल दु दिनक अंतर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन मे लोक सभ एकमत सं कहलाह जे आब मिथिला राज्य बनय मे देरी नहिं होबाक चाही. 21 दिसम्बर के लाजपतनगर मे सम्मेलन भेल जखन कि 22 तारीख के जन्तर-मन्तर पर धरना प्रदर्शन कएल गेल.
सम्मेलन मे लोक सभ के कहनाय छलन्हि जे मिथिलाक सामाजिक... सांस्कृतिक विरासत दोसर सं एकदम अलग अछि. एकर अपन अलग सभ्यता... संस्कृति... साहित्य अछि. अलग पहचान अछि. देश मे भाषा के आधार पर कइटा राज्य बनल अछि अगर भाषा के आधार पर देखल जाए त मैथिली देश के टॉन टेन भाषा मे शामिल अछि. जनसंख्या... क्षेत्र कोनो आधार पर मिथिलाक मांग ठुकराएल नहिं जा सकैत अछि. लोक सभ के त इहो कहनाय छलन्हि जे हम अलग मिथिला राज्य बनाबय के मांग नहिं कs रहल छी... हम त मिथिला राज्य जे हजारों... सैकड़ों साल सं छल ओकर पुनर्स्थापना चाहय छी.
सम्मेलन मे मिथिलाक बाढ़िक समस्या पर सेहो चर्चा भेल... लोकक पलायन केना रोकल जाय... मिथिलाक लोक के रोजगार के लेल कि सब कएल जा सकैत अछि. माछ... मखान... आम... लीची... तम्बाकू के केना रोजगार सं जोड़ल जा सकय अ एहि पर सेहो विचार विमर्श भेल.
विकास के लेल मिथिला के आईटी आओर शिक्षा हब मे बदलय के विचार सेहो आएल. लोक सभ के इहो कहनाय छलन्हि जे जखन तक मिथिलाक सभ गोटे के संग नहिं लेब... काज के आगां बढ़नाक मुश्किल अछि. एहि के लेल एहन कार्यक्रम बेर- बेर होबाक चाही आओर ओहि मे सभ वर्गक प्रतिनिधि होबाक चाही. प्रतिनिधि सिर्फ देखाबय लेल नहिं होबाक चाही जे कहल जाय कि हमर कार्यकारिणी मे सभ वर्गक लोक छथि. हुनका सभ के वास्तव मे लs क चलय के जरूरत अछि. दिल्ली मे हमरा कइटा मैथिली कार्यक्रम मे जाय के मौका मिलल मुदा सभ मे एकटा कमी देखल गेल जे ककरो बारे मे कोनो पेपर... अखबार मे किछ नहिं छपल . कोनो ठाम ई संदेश नहिं छल जे फलां तारीख के फलां ठाम फलां कार्यक्रम भs रहल अछि. अहां सभ बेसि सं बेसि संख्या मे आउ. सभ किछ मुजबानी चलैत अछि. ओ त एम्हर -ओम्हर सं खबर मिलि गेल त पहुंचि गेलहुं. कोई गोटे बता देलाह त नीक नहिं त कार्यक्रम भs गेल अहां के पता सेहो नहिं चलत... ओ त पेपर ... अखबार आ टीवी मे बहुत मैथिली प्रेमी सभ छथिन्ह जे कोनो तरहे पता चलला पर अपन रिपोर्टर... कैमरामैन के भेज दय छथिन्ह. मुदा हिनका सभ के कोनो चिंता नहिं रहय छनि जे एकर कोनो प्रचार प्रसार होए. खबर... न्यूज आबय. आ बिना प्रचार प्रसार... हो हल्ला के अहां लाइट मे आएब मुश्किल देखाएत अछि. सिर्फ एकटा कार्यक्रम के बारे मे अखबार के आएल छल... ओहो मैथिली अकादमी के सरकारी विज्ञापन छल जे फलां दिन श्रीराम सेंटर मे मैथिली कार्यक्रम अछि. नहिं त मैथिली... मिथिलाक कार्यक्रम के बारे मे त कोनो खोजखबर नहिं मिलत. दु-चारि टा दोस्त सभ मिलत त कहत फलां दिन फलां ठाम बड़ नीक मैथिली कार्यक्रम भेल छल त अहां कहबय जे हमरा त पता नहिं चलल...पता रहैत त हमहुं चलतहुं.
मैथिली कार्यक्रम भने दिल्ली... नोएडा मे होएत अपन मैथिल लोक नहिं सुधरब... दिल्ली टा मे नीक लाइट... बाजा के साटा नहिं करय छथिन्ह. नहिं त नीक सं साउंड सिस्टम रहत नहिं लाइट सिस्टम. सभ गड्ड...मड्ड. नहिं बैसय के नीक व्यवस्था... सभक जोर मंच पर बैसल के रहय छनि आ लोक सभ के पाछा रखने रहय छथिन्ह. कइ बेर त लगैत अछि जे मंच पर बैसल लोक अपने मे बाजय छथिन्ह आ सुनय छथिन्ह. पाछां लोक सभ अपना मे बतिआएत रहय छथि. भारी अव्यवस्था रहैत अछि. मीटिंग स्थल के चुनाव सेहो नीक सं नहिं होएत अछि. एहि के लेल एहन जगह होबाक चाही जतय लोक के आबय- जाय... चाय - पानि... नुनु -बच्चा के लेल किछ खाय पिबय के परेशानी नहिं होय. जगह साफ -सुथरा होए. जतय लोक शांति सं बैसि सकय. छोट-छोट बात के ध्यान रखय पड़य छै. अहां जखन दु ... तीन मास पहिने सं तैयारी करय छी त एकरा सभ के ध्यान राखय पड़त.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 2 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: गाम सं दूर गामक गप्प, मिथिला- मैथिली
मैथिल मिलन समारोह
बंगलोर मे भेल मैथिली मिलन समारोहक किछ फोटो...
समारोहक स्मृति चिन्हक अनावरण करैत डॉ. पद्मनाभ मिश्र (बायाँ तरफ) आ श्री मुरारी झा
मन्च पर कुन्दन जीक संग डॉ. पद्मनाभ मिश्र एवं हुनक धर्मपत्नी श्रीमती अल्पना पद्मनाभ
मंच संचालन करैत कुन्दन मल्लिक
मंच पर एकटा दम्पत्ति आ दाहिना कात छथि श्री केशव कर्ण जे मंच संचालन मे सहयोग केलथि
बेस्ट कपल प्रतियोगिता के विजेता बाँया सँ श्री एवं श्रीमती विभूति झा आ दाहिना कात श्री एवं श्रीमती अविनाश झा
प्रतिभागी गण
अपन मैथिली गीतक प्रस्तुति सँ श्री अविनाश झा श्रोतागण केँ झुमा देलथि। दाहिना कात छथि श्री केशव कर्ण
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 3 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: गाम सं दूर गामक गप्प, मिथिला- मैथिली, सभा-संगत
मैथिल मिलन समारोह
बंगलोरक कॉनफिडेंट कास्केड रिसॉर्ट मे कतेक रास बात के तत्वाधान मे एकटा "मैथिल मिलन समारोह" क आयोजन कयल गेल. जाहि मे करीब 30 टा मैथिल परिवार उपस्थित भेलाह. कार्यक्रम दिन मे 03 बजे सँ रातिक 10 बजे तक चलल. जाहि मे किछु प्रतियोगिता आ साँस्कृतिक कार्यक्रम सेहो राखल गेल छल. मुख्य सँयोजक पद्मनाभ मिश्र जी छलथिन्ह आ मंच संचालनक जिम्मेदारी कुन्दन कुमार मल्लिक जीके देल गेल छलन्हि. जिनकर संग देलथिन्ह केशव कर्ण जी. कार्यक्रमक सफलताक अन्दाजा एहि बात सँ लगाओल जा सकैत अछि जे प्रतिभागी सभ बहुत जल्द एहिना एकटा आर समारोह के आयोजन पर जोर देलथिन्ह. निर्णय भेल जे अगिला बरस होली के आस-पास एहिना एकटा आयोजन फेर कएल जाय. कनेक काल के लेल लागल जे एक बेर फेर सँ अपन गाम-घर मे पहुँचि गेल छी. कार्यक्रम मे सामाजिक व्यवस्था सँ जुडल समस्या पर सेहो विचारक आदान-प्रदान कएल गेल.
रिपोर्ट- कुन्दन कुमार मल्लिक,
सम्पादक, "कतेक रास बात"
http://www.vidyapati.org
मो.- 9739004970
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: गाम सं दूर गामक गप्प, सभा-संगत
कटिहार मे अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय !!!
अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय... एएमयू कटिहार मे... अछि न नीक खबर. मुदा ई नीक खबर के धरातल पर आबय लेल बिहार सरकार के सहयोग के जरूरत पड़त. बिहार सरकार के एकरा लेल जमीन... बिजली आओर पानि के इंतजाम करय पड़तन्हि. एएमयू के एहि केन्द्र के लेल करीब तीन सय एकड़ जमीन के जरूरत पड़त. तीन सय एकड़ जमीन ओहो मुफ्त मे... मुफ्त मे मुश्किल लगैत अछि. ओना सरकार चाहय त किछ मुश्किल नहिं अछि. एएमयू के देश भर मे एहन पांच टा केंद्र खुलत. एहि पर करीब दु हजार करोड़ रुपया के खर्च आएत ओहि हिसाब सं कटिहार मे बनय वाला केंद्र पर सेहो चारि सय रुपया खर्च होएत. एहि सं मिथिलांचल के शिक्षा के क्षेत्र मे त फायदा होएबे करत दोसर क्षेत्र मे विकास सेहो होएत. पैसा अएला सं इंफ्रास्ट्रक्चर सेहो मजबूत होएत. लोक के जीवन स्तर मे सुधार आएत. केन्द्र के लेल चारि सय करोड़ रुपया बहुत होइ छै आओर ओतेक रुपया कटिहार मे केन्द्र बनाबय मे लागत त सैकड़ो लोक के रोजगार सेहो मिलतन्हि. नवका रोड... मकान... दोकान सभ बनत. विकासक बयार बहत. विश्वविद्यालय के केन्द्र खोलय के लेल मुख्यमंत्री के पास चिट्ठी भेजल गेल अछि . ओना एहि सभ मे कहि सकय छी अपन केंद्रीय मानव संसाधन मंत्री फातमी जीक योगदान अछि. बिना हुनकर योगदान के ई मिथिला...बिहार नहिं आबि सकय छल. फातमीजी कइटा संस्थान के बिहार मे लाबय मे कामयाब रहला अ. मुदा अखन किछ कहल नहिं जा सकय अ पहिने सरकार तरफ सं ग्रीन सिगनल मिलय तब न.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 1 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: career, करियर, मिथिला- मैथिली
एकरो देखु...

http://muskuraahat.blogspot.com/
आओर देखय लेल क्लिक करु मुस्कुराहट
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
राजकमल जयंती समारोह
मैथिली आओर हिन्दी के पैघ उपन्यासकार... साहित्यकार स्व राजकमल चौधरी (1929-1967) जीक जयंती समारोह हुनकर पैतृक गाम सहरसा के महिषी मे 13 तारीख के मनाएल गेल. हुनकर जयंती समारोह मे कइटा लेखक... साहित्यकार शामिल भेलाह. संस्कृति मिथिला मंच के तहत भेल एहि समारोह मे लोक सभ के कहनाय छलन्हि जे हुनकर ओहन रचना के प्रकाशित करय के कोशिश होबाक चाही जे आई धरि नहिं छपल. समारोह मे हुनकर रचना पर सेहो चर्चा भेल. सभ गोटे हुनकर रचना के बेजोड़ बतएलखिन्ह. सभ गोटेके कहनाय छलन्हि जे राजकमलजी स्त्री-रुष संबंध पर जे गप्प आई सं पचास साल पहिने छेड़लखिन्ह तकर बहस आइओ खत्म नहिं भेल अछि. जे ओ पचास साल पहिने कहलखिन्ह ओ आइओ भs रहल अछि. राजकमल जीक हिन्दी मे कइटा रचना छनि मुदा मैथिली मे हुनकर लोकप्रिय रचना मे ललका पाग... आदि कथा... पाथर फूल... आंदोलन... स्वरगंधा आओर कथा पराग शामिल अछि.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 1 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
राजनगर मे अति पिछड़ा महासम्मेलन
मधुबनी जिला के राजनगर मे 20 दिसम्बर के अति पिछड़ा महासम्मेलन भs रहल अछि. उम्मीद अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमारजी सेहो एहि सम्मेलन मे शामिल होएताह. सम्मेलन के लs क जोर-शोर सं तैयारी चलि रहल अछि. लोक सभ जनसम्पर्क अभियान मे सेहो लागल छथिन्ह. राज्य के मंत्री सभ सेहो सम्मेलन के सफल बनाबय लेल जुटल छथिन्ह. सम्मेलन मे एहन लोक सभ सेहो जुटल छथिन्ह जे अति पिछड़ा वर्ग सं नहिं छथिन्ह. सत्ताधारी पार्टी के नेता सभ जी-जान लगएने छथिन्ह. सम्मेलन के लs क कोनो कोर कसर नहिं छोड़ि रहल छथिन्ह. पार्टी के महिला नेता सभ सेहो घर-घर जाs क न्योत द रहल छथिन्ह सहासम्मेलन के सफल बनाउ आ नीतीशजी के हाथ मजबूत करु. नीतीशजी पंचायत चुनाव मे महिला के 50 प्रतिशत आरक्षण देबय के हिम्मत जुटा पएलखिन्ह. एकर फायदा सेहो भेल. पंचायत चुनाव मे गाम-घर से महिला सभ बढ़ि-चढ़ि कs हिस्सा लेलखिन्ह. लोकतंत्र के लेल ई नीक गप्प अछि.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
मुस्कुराहट...

http://muskuraahat.blogspot.com
आओर देखय लेल क्लिक करु मुस्कुराहट
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
देशक पहिल मखाना प्रोसेसिंग यूनिट
अहां के पता अछि जे देशक पहिल मखाना प्रोसेसिंग यूनिट कतय लागय अछि ? देशक पहिल मखाना प्रोसेसिंग यूनिट झंझारपुर के कन्हौली परिसर मे लागल अछि. इ परिसर झंझारपुर व्यापार मंडल सहयोग समिति लिमिटेड के परिसर अछि. कहल जा रहल अछि जे एहि प्रोसेसिंग मशीन पर शुरुआती तौर पर अस्सी लाख सं बेसि रुपया खर्च आएल अछि. एक-दुटा नव मशीन आओर लागत. एकर उद्घाटन सहकारिता मंत्री गिरिराज सिंहजी कएलथिन्ह. अखन धरि मखाना के दाना के पुरनका तरीका सं गरम कs चोट दs लावा निकालय जाइत छल. एहि मे बड़ मेहनत लगैत छल आओर टाइम सेहो खूब लगैत छल. आओर कई लोक के सेहो जुटय पड़य छलन्हि. मुदा आब एहि मशीन के लगला के कारण लावा सेहो मशीने सं फोड़ल जाएत. सभ किछ ऑटोमैटिक होएत...अपने-आप. एहि मे दस दिनक काज घंटा भर मे कs सकैत अछी. पाई बचत... समय बचत. आओर माल सेहो चोखा होएत. सभ लावा एक सन. एहि मशीन के कारण मखाना के कइटा उत्पाद बाजार मे आएत. एकटा त जेनरल मखाना के पैकेट रहत... दोसर मे मखाना के पॉप... मखाना खीर के मिक्स पैकेट... मखाना पाउडर. त खीर-सब्जी के संग चटपटा रेडीमेड मखाना खाय लेल तैयार रहुं. आबय वाला दिन मे मखाना के दु-चारि टाइप के आओर चीज खाय लेल मिलि जाएत.
एहि प्रोसेसिंग मसीन के एकटा इंट्रेस्टिंग गप्प आओर इ अछि जे एहि मशीन के चलाबय लेल बाहर सं बिजली नहिं लेल जाएत. एहि के लेल एकटा अलग जेनरेटर लगाएल गेल अछि. जे बायोमास गैसीफायर सं चलत. आओर ई बायोमास गैसीफायर चलत धान के भूस्सी सं. भूस्सी के लेल कन्हौली परिसर मे राइस मिल सेहो लगाएल जाएत
एहि सं नहिं केवल मखाना पैदा करय वाला के फायदा होयतन्हि बल्कि हजारों लोग के रोजगार सेहो मिलतन्हि. ई मशीन एहन ठाम लागल अछि जतय सं दरभंगा...मधुबनी दुनु ठाम के लोक के फायदा मिलतन्हि. दुनिया भर मे एहिठाम सं मखाना जाएत अछि. अखन एकटा मशीन लागल अछि एकर सफलता के बाद आओर मशीन लगाएल जाएत. मिथिला मे जतय दोसर उद्योग-धंधा नहिं अछि ई मशीन रोजगार के एकटा नबका अवसर प्रदान करत. देश-विदेश मे मखानक मांग बढ़त. मधुबनी... मिथिला पेंटिंग जकां इहो दुनिया भर मे मिथिलाक नाम बढाएत. इलाका के विकास होएत. विदेशी मुद्रा मिलत. कहि सकय छी मिथिला कs विकास दिशा मे ई एकटा मील के पाथर साबित होएत.
अहां सभ सं आग्रह जे अहांक इलाका मे एहि तरहक कोनो विकासक बयार बहैत होय त हमरा पास ओकर जानकारी भेजु ह ओकरा एहिठाम राखब. कि अहां सभ नहिं चाहैत छी जे अहांक इलाका...गाम घर के समस्या.., परेशानी...विकासक गप्प दोसर लोक तक पहुंचय. किछ नव होए अहां अकटा मैसेज भेज देल करु. नहिं किछ त कमेंट मे दु लाइन लिखल करु. मुदा लिखु. अपन राय...विचार दुनिया के सामने राखु.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 5 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
डॉ शशिनाथ झा के भाषा सम्मान
डॉ शशिनाथ झा जीक चयन 2007 के भाषा सम्मान पुरस्कार के लेल कएल गेलन्हि अछि. ई पुरस्कार साहित्य अकादमी दिल्ली के ओर सं देल जाएत अछि. कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय के प्रोफेसर डॉ शशिनाथ झा जीक शास्त्रीय आओर मध्यकालीन साहित्य मे योगदान के देखैत एहि सम्मान के लेल चयन कएल गेलन्हि. एहि बारे मे साहित्य अकादमी के ओर सं डॉ शशिनाथ झा जी के पत्र भेजि कs सूचना दs देल गेलन्हि अ. संस्कृत विश्वविद्यालय मे व्याकरण के प्रोफेसर डॉ झा के घर मधुबनी जिला के लखनौर थाना मे छनि. शशिनाथ जी मैथिली... हिन्दी आओर संस्कृत मे 60 सं बेसि किताब लिखि चुकल छथिन्ह. ओना भाषा सम्मान दोसर बेर मिथिला आएल अछि. एहि सं पहिने डॉ जयमंत मिश्र जी के एहि सम्मान सं सम्मानित कएल जा चुकल अछि. एहि सम्मान के लेल डॉ शशिनाथ जी के बधाई.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: गाम सं दूर गामक गप्प
दरभंगा के नाम भेल बदनाम...
दरभंगा मे आई-काल्हि सबहक जुबान पर एकहिं टा चर्चा अछि जे दरभंगा के ... मिथिला के नाम माइट मे मिला देल गेल. दरअसल रवि दिन लहेरियासराय के स्टेडियम मे रियलिटी शो के नाम पर बॉलीवुड नाइट के आयोजन कएल गेल छल. एकर आयोजन गायत्री फाउंडेशन के ओर सं कएल गेल. गायक मे मो. अजीज. जॉली दास आओर फेम गुरुकुल स्टार रूपरेखा बनर्जी अपन कार्यक्रम पेश कएलाह. कलाकार सभ सेहो मिथिला मे कार्यक्रम पेश करय के नाम पर उत्साहित छलाह. दर्शक सभ के संग सेहो मिललन्हि. हुनकर सभ के कहनाय छलन्हि जे मिथिला के बारे मे जे सुनने छलहुं से पएलहुं . मुदा पाई देबय के नाम पर काफी हो हंगामा भेल. कलाकार सभ के जे साटा भेल छल...जतेक पाई देबय के तय भेल छल उ त छोडुं सिर्फ भाड़ा दs क विदा कएल गेल. पाई लेबय लेल कलाकार आओर म्यूजिकल ग्रुप एम्हर सं ओम्हर दौड़त रहलाह आओर आयोजक के कोनो था-पता नहिं रहल... परा गेलाह. स्टेज वाला सं लs क होटल वाला तक सभ के पाई बकाया. होटल वाला त अंत मे आयोजक के होटल मे बंद कs देलाह मुदा ओ ओहिठाम सं सेहो केना पराs गेलाह . ककरो पता नहिं चलल. पटना सं आएल स्टेज कलाकार आओर स्टेज बनाबय वाला सभ पाई के लेल दिन भर एम्हर सं ओम्हर करैत रहलाह. शिकायत सेहो कएल गेल... मामला के निपटारा करय के प्रयास जारी अछि. मुदा एहि सं दरभंगा आओर मिथिला के छवि के काफी नुकसान भेल. काफी बदनामी भेल. आब ओ कलाकार जतय जएताह कहताह दरभंगा गेल छलहुं एहन स्वागत भेल जे तय पाइओ नहिं मिलल. एकर भरपाई कहिओ नहिं भs सकैत अछि . ई हमरा सभ के लेल शर्म के बात अछि. डूबि मरय के गप्प अछि. एहि सं नीक छल कोनो मैथिलीए कार्यक्रम करैतहुं कम पाई मे.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
Beautiful Butterflies...
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
मैथिली सम्मेलन दिल्ली मे
21 तारीख के कार्यक्रम 10 बजे शुरू होएत आओर परिचय- पाति के बाद कोसीक बाढ़ि आओर ओकर मिथिलाक विकास पर असर पर चर्चा कएल जाएत. फेर लंच के बाद मिथिला राज्य के गठन किएक जरूरी अछि एहि विषय पर सभ लोक अपन -अपन विचार रखताह. एहि सम्मेलन के बारे मे कोनो तरहक जानकारी के जरूरत होए त अहां आगां देल गेल फोन नंबर पर अंतरराष्ट्रीय मैथिली परिषद के पदाधिकारीगण सं सम्पर्क कs सकैत छी.
फोन नंबर अछि-
9971873583 ,
9811680725 ,
9350904059 ,
9958397733 .
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: गाम सं दूर गामक गप्प
मधुबनी-कमतौल रेल लाइन
मधुबनी सं कमतौल के बीच रेल लाइन के लेल जल्दीए सर्वे कराएल जाएत. ओना मधुबनी सं रहिका... बेनीपट्टी... बिस्फी होएत कमतौल के लेल रेल लाइन के मंजूरी मिलि गेल अछि. मुदा राजनीतिक प्रभाव के कारण बीच मे एक-दुटा गाम सेहो जोड़ि देल जाएत अछि. एहन होएत आएल अ. आबि देखु एहि मे कि होएत अछि. आब जखन एहि रेल लाइन के लेल मंजूरी मिलि गेल अछि त उम्मीद अछि जे सर्वे मे तेजी आएत. मधुबनी सं कमतौल के बीच बनय वाला ई रेल लाइन करीब 35 किलोमीटर के होएत. सर्वे जतेक जल्दी शुरू होए नीक रहत... नहिं तs आगां काज बढ़त कि नहिं के जानलक. बिहार मे अखनो रेलवे के दर्जनो एहन परियोजना... काज अछि जे ओहिना पड़ल अछि. कोई देखय वाला नहिं अछि. काज के आगां बढ़ाबय के लेल इलाका के लोक सभ के सेहो आगां आबय पड़तन्हि. बिना लोक के जागरूक कएने... बेर- बेर नेता के लग ओहि मुद्दा के उठएले... काज नहिं बनत. इलाका मे काज कराबय लेल अपन सांसद... विधायक के संग आवाज उठाबय पड़त. पार्टी-पॉलिटिक्स के छोड़ि इलाका के विकास के लेल सभके संग आबय पड़त. विधानसभा... संसद मे आवाज उठाबय पड़त. अगर विधायकजी... सांसदजी नहिं सुनैत छथि... अनठिआबैत छथि... त हुनकर बहिष्कार करनाय शुरू कs दिअ. कहिऔ अखन नहिं सुनब त चुनाव मे भुगतै पड़त. दौड़ि कs अएताह. विधायक... सांसद जी के खिलाफ विरोध प्रदर्शन कs दिऔ. देखिऔ दौड़ल अएताह. हुनका काज करय पड़तन्हि. आओर जखन काज करताह त विकास जरूर होएत. बस बीच-बीच मे हुरकारैत रहिऔ.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 1 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
डॉ मेघनाद साहा पुरस्कार के लेल चयन
ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के वीसी डॉ मिश्री लाल ठाकुर... डॉ मेघनाद साहा पुरस्कार सं सम्मानित कएल जएताह. ई सम्मान इंडियन इंस्टीट्यूट ऑफ ओरिएंटल हेरिटेज'क ओर सं देल जाएत अछि. कोलकाताक ई संस्थान ओरिएंटल अध्ययन आओर रिसर्च के लेल विश्व विख्यात अछि. हेरिटेज के ओर सं डॉ मिश्री लाल ठाकुर जी के एकटा पत्र भेजल गेलन्हि अ जेहि मे हुनका सं 5 सं 8 फरवरी धरि होए वाला अंतर्राष्ट्रीय सम्मेलन के उद्घाटन सेहो करय के आग्रह कएल गेल छनि. एहि सम्मेलन मे कई देशक विद्वान शामिल होए छथिन्ह. एहि सम्मेलन मे भारतीय संस्कृति पर चर्चा कएल जाएत अछि.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: गाम सं दूर गामक गप्प
बिहार मे सेहो बनत एटीएस
देशभर मे आतंकवादी हमला दिन पर दिन बढ़ल जा रहल अछि. खुफिया तंत्र विफल साबित भs रहल अछि. मुदा बिहार मे अखन धरि कोनो एहन तंत्र नहिं अछि जे आतंकवादी हमला के समय कारगर ढंग सं काज कs सकत. एहि के लsक बिहार सरकार सेहो आंतक निरोधी दस्ता... ATS बनाबय जा रहल अछि. सरकार ई मानि रहल अछि जे देश के कोनो हिस्सा मे आंतकवादी हमला भs सकैत अछि आओर ओहन स्थिति मे बिहार के पहिने सं तैयार राखय लेल सरकार एटीएस के गठन पर गंभीरता सं विचार करि रहल अछि. एहि लेल केंद्र सरकार सं सेहो बातचीत कएल जा रहल अछि.
बिहार के लेल खतरा एहि लेल बेसि अछि जे एक त नेपालक सीमा खुलल अछि. एहि दs क आंतकवादी के बिहार मे घुसय मे कोनो परेशानी नहिं होएत... दोसर बिहार नेपाल के बीच जमि कs तस्करी सेहो होएत अछि आओर खुफिया विभाग सेहो मानैत अछि जे सीमावर्ती इलाका काफी संवेदनशील बनि गेल अछि. एकरे संग नेपाली माओवादी सभ सेहो परेशानी के कारण अछि. बिहार के लेल नक्सल सेहो समस्या बनल अछि. किशनगंज तरफ बांग्लादेशी घुसपैठ सेहो कम नहिं भs रहल अछि. सीमावर्ती इलाका के स्थिति त बड़ विस्फोटक बनल अछि. जखन धऱि शांत अछि...शांत अछि. जहिआ फटत फूरा इलाका तहस- नहस भs जाएत. वोटक कारणे सभ सरकार एकरा अनठिएले अछि. बांग्लादेशी घुसपैठी जहां-तहां झुग्गी-झोपड़ी बना रहि रहल अछि . कोई देखय वाला नहिं अछि. रोडक कात मे कब्जा कs... सरकारी जमीन पर घऱ बना रहि रहल अछि. मुदा सभ सरकार तुष्टीकरण के नीति के कारण एहि पर आंखि मुंदने रहैत अछि. जखन दिल्ली जैसन शहर मे कब्जा के हटाबय वाला कोई नहिं अछि त गाम -घर के बात समझि सकैत छी. पहिने त झुग्गी झोपड़ी बना रहुं... सरकार हटाएत त नवका जमीन देत... मुआवजा देत... फायदे-फायदा अछि. कोनो कार्रवाई होएत त आओर नीक... पक्का नागरिक बनि जाएब. मानवाधिकार संगठन के संग मिलि जाएत. अवैध रूप सं रहय वाला सभ राशन कार्ड बना... वोटर लिस्ट मे नाम जुड़वा नागरिक बनल जा रहल अछि. बिहारी लोक सभ काम काज के लेल... कमाई धमाई के लेल दिल्ली... पंजाब... हरियाणा जा रहल छथिन्ह आ बांग्लादेशी... पाकिस्तानी... नेपाली सभ बिहार मे आबि... जमीन कब्जा कs रहल छथिन्ह... विदेशक पाई के बल पर गाम घर मे खेत जमीन खरीद रहल अछि. विदेशक पाई के बल पर जमीनक मालिक बनि रहल छथिन्ह. जमींदार बनल जा रहल छथि.
मुम्बई कांड ओहिना नहिं भेल... कोनो विभिषण के मदद के बिना नहिं संभव अछि... ओहने विभिषण सभ बिहार के बोर्डर इलाका मे थोक मे तैयार भs रहल अछि. जहिआ किछ होएत मुम्बई सं बदतर हाल होएत आओर तखन हालात सं निपटय लेल हमरा पास हाथ मलय के अलावा कोनो रास्ता नहि होएत. तखन माथ पर हाथ धs कछमछाइत रहब.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
फेरो हेतै भोर...
पिछला हफ्ता चारि राज्य मे चुनाव... मतगणना के लs क काफी व्यस्त रहल. एहि बीच कइटा समाचार आएल आओर गेल. दरभंगा... लहेरियासराय मे मो. अजीज... जॉली दास आओर रूपरेखा बनर्जी के कार्यक्रम भेल... मनोज तिवारी सेहो अएलाह... काफी हो हंगामा भेल. गायक सभ के पाई नहिं मिलल... ई सभ सेहो बताएब. मुदा सभ सं पहिने डॉ विद्याधर मिश्र जीक कविता संग्रह ' फेरो हेतै भोर ' क गप्प. रविदिन दरभंगा मे डॉ रामदेव झा जी एहि किताबक विमोचन कएलखिन्ह. एकरे संग सावित्री झाजीक किताब 'आचार्य सुरेन्द्र झा सुमनक गद्य-गरिमा' क लोकार्पण आशा मिश्राजी कएलखिन्ह. एहि अवसर पर ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के पूर्व हिन्दी विभागाध्यक्ष प्रो अजित कुमार वर्माजी कहलखिन्ह जे सावित्री जीक किताब रिसर्च करय वाला लोक सभ के लेल आधार ग्रंथ साबित होएत आओर फेरो हेतै भोर हवा के एकटा नव झोंका लs क आएत. एहि अवसर पर साहित्यकार पं चंद्रनाथ मिश्र अमर... आचार्य सोमदेव... डॉ सुरेश्वर झा... डॉ भीमनाथ झा... डॉ शशिनाथ झा जी सेहो अपन विचार व्यक्त कएलखिन्ह.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
सीतामढ़ी के लेल सवारी गाड़ी
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
गुवाहाटी मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह
रवि दिन 7 दिसम्बर के गुवाहाटी मे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह के आयोजन कएल गेल अछि.
समारोह के आयोजन मिथिला सांस्कृतिक समन्वय समितिक ओर सं कएल गेल अछि. समितिक सचिव छथिन्ह चन्द्र मोहन झा जी. पूर्वोत्तरक प्रवेशद्वार कहय जाय वाला गुवाहाटी मे बड़ मैथिल लोक रहय छथिन्ह. मैथिल लोक एहिठाम अपन मैथिल परम्परा... संस्कृति के जिंदा रखने छथिन्ह. पूरा धूमधाम सं पावनि त्योहार मनाबैत छथिन्ह. रवि दिन जे विद्यापति स्मृति पर्व समारोह भs रहल अछि ओ गुवाहाटी के प्राज्ञज्योति आईटीए सेंटर मे होएत. समारोह के लेल खासतौर सं दरभंगा आओर पटना सं मैथिल कलाकार सभ आबि रहल छथिन्ह. एहि ठाम बराबर मैथिली कार्यक्रम होएत रहैत अछि जेहि मे लोक सभ खूब बढ़ि-चढ़ि के हिस्सा लैत छथिन्ह. गुवाहाटी वाला विद्यापति स्मृति पर्व समारोह के संबंध मे कोनो जानकारी के जरूरत होए त अहां सचिव चंद्र मोहन झा सं 098640- 15388 नबंर पर फोन कs सकय छी.
रिपोर्ट- श्रवण कुमार झा, गुवाहाटी फोन-09957567550
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेललाइन
दरभंगा सं मुजफ्फरपुर के बीच नबका रेल लाइन के शिलान्यास सिंघबाडा मे भेल. एकर शिलान्यास करैत रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव जी कहलथिन्ह जे नबका रेल लाइन सं जाले... सिंघबाड़ा आओर केवटी सेहो जुड़त. मुदा केना जुड़त एकर खुलासा नहिं भेल. लालूजी तं इहो कहलथिन्ह जे केवटी... जाले... सिंघबाड़ा के जनकपुर रोड़ स्टेशन पुपरी सं सेहो जोड़ल जाएत. रेलमंत्री कहलाह जे अगर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जल्दीए जमीन उपलब्ध करा देताह त ई लाइन तीन साल मे बनि जाएत. लालूजी पिछला दु साल मे बिहार मे कइटा रेल परियोजना के शिलान्यास कएलथिन्ह अ मुदा ओ आगां नहिं बढ़ि पा रहल अछि. शिलान्यास के बाद काज सेहो आगां बढ़य ई इंतजाम होबाक चाही. अखन ओ रेलमंत्री छथिन्ह कोशिश कs परियोजना मे तेजी ला काज के करबा सकय छथिन्ह . मुदा चुनावक बाद कि होएत कहल नहिं जा सकैत अछि. आओर अगर चुनाव बाद लालूजी छोड़ि दोसर कोनो गोटा रेलमंत्री बनताह त फेर ओ बिहारक परियोजना के जारी रहय देताह या ठंडा बस्ता मे डालि देताह के जानैत अछि.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
राजनगर मे रुकत गंगासागर एक्सप्रेस
जयनगर के कोलकाता सं जोड़य वाला गंगासार एक्सप्रेस ट्रेन आब राजनगर मे सेहो रुकत. राजनगर मे गंगासागर एक्सप्रेस के रुकला सं राजनगर के संग भगवानपुर... बाबूबरही... खुटौना... लौकहा... लौकही के लोक सभ के फायदा होयत. आब ओ राजगनर सं सीधा कोलकाता रुट मे जतय जाय के होयतन्हि... जा सकैत छथि. गंगासागर एक्सप्रेस के रुकय के खबर के बाद इलाका के लोक सभ रेल मंत्री सं जयनगर सं खुलय वाला दोसर गाड़ी सभ के सेहो राजनगर मे रोकय के आग्रह कएलखिन्ह. लोक सभ के कहनाय छनि जे गरीब रथ आओर जानकी एक्सप्रेस के स्टोपेज के संग बिहार सम्पर्क क्रांति आओर स्वतंत्रता सेनानी एक्सप्रेस के दरभंगा के जगह जयनगर सं चलाएल जाय.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
रोजगार के नबका रास्ता...
आई बाढ़ि प्रभावित इलाका सं आएल किछ लोक सं गप्प होए छल. बाढ़िक बात सुनाबय लगलाह. केना चारु कात पानि ए पानि देखायत छल आओर किछ नहिं. इलाका के इलाका दहा गेल.
कतेक लोक मारल गेल तकर कोनो ठिकान नहिं. बड़का- बड़का धनिक लोक सभ कंगाल भs गेलाह. कोनो चीजक नामोनिशान नहिं रहल. माल-जाल... कपड़ा -लत्ता... घर-दलान सभ बहि गेल. जेना-तेना कs लोक अपन जान बचएलाह. किछ लोक त केला के थम्ब के नाव जकां काज मे लाs केहुना जान बचएलाह. केला के बड़ाई होए लागल जे केलाक थम्ब नहिं रहैत त जान बचैनाय आफत रहैत. केला के थम्ब पर गप्प निकलल त इहो पता लागल जे खगड़िया के परबत्ता प्रखंड मे एकटा गाम अछि उदयपुर. एहि ठाम महिला सभ केला के थम्ब सं रेशा निकालि कs चटाई... फूलपत्ती... माला... थैला बना रहल छथिन्ह. ई सभ बनाबय के ट्रेनिंग नेहरु युवा केंद्र सं देल गेल अछि. नेहरु युवा केंद्र के लोक सभ एहि के लेल बधाई के पात्र छथिन्ह. जे ओ स्थानीय लोक सभ के रोजगार के ई ट्रेनिंग देलखिन्ह. लोक सभ मे एकटा नवका हुनर विकसित कएलखिन्ह. रोजगार के एकटा नवका रास्ता दिखएलखिन्ह. सरकार के सेहो चाही जे बेसि सं बेसि बेरोजगार लोक एहि कला के ट्रेनिंग लs स्वरोजगार के रास्ता अपनाबैत.
आमतौर पर ई होइ छै जे केला के गाछ.. घौर कटाएला के बाद ओहिना छोड़ि देल जाएत अछि या जतय बेसि खेती होइ छै ओतेय खेते में छोड़ि देल जाएत अछि. मुदा ई रोजगार के एकटा नव रास्ता सेहो प्रदान करि रहल अछि. खोज-खबर लेलाह पर ईहो पता चलल जे हाजीपुर के कृषि विज्ञान केन्द्र मे सेहो केला के थम्ब सं रेशा निकालय के ट्रेनिंग देल जाइत अछि. ई केंद्र कृषि के क्षेत्र मे नीक काज कsरहल अछि. एहिठाम थम्ब सं रेशा निकालय लेल दु टा मशीन सेहो लागल अछि. एहिठाम गाम -घर के लोक सभ के व्यवसायिक प्रशिक्षण देल जाएत अछि जाही सं लोक स्वरोजगार के माध्यम सं अपन आर्थिक स्थिति नीक कs सकथिन्ह. ट्रेनिंग हफ्ता भर के होएत अछि. इ केंद्र केला के थम्ब सं रेशा निकालय के ट्रेनिंग देबय के संग ओहि सं बनल सामान के केना बेचय जाय...कहां बेचल जाय एकर जानकारी सेहो दैत अछि. अहां सभ के अगर एहि सं जुड़ल कोनो जानकारी के जरूरत होय त अहां एहि पता पर सम्पर्क कs सकय छी.
कार्यक्रम समन्वयक,
कृषि विज्ञान केन्द्र,
हरिहरपुर, हाजीपुर
पिन- 844101, बिहार.
फोन/फैक्स - (06224)-276595
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: career, करियर, मिथिला- मैथिली
Art with knives...

आओर देखय लेल क्लिक करु मुस्कुराहट
http://muskuraahat.blogspot.com
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
गुवाहाटी के लेल विशेष ट्रेन
दरभंगा सं गुवाहाटी के लेल एकटा विशेष ट्रेन चलाएल जा रहल अछि. ई विशेष सुपरफास्ट ट्रेन 2502 A हफ्ता मे एक दिन रवि दिन खुलत. ई ट्रेन दरभंगा सं सुबह 0930 बजे खुलि अगिला दिन 1430 बजे गुवाहाटी पहुंचत. बीच मे ई ट्रेन समस्तीपुर... बरौनी... बेगूसराय... खगड़िया... कटिहार... मानसी स्टेशन पर रुकत. जखन कि गुवाहाटी सं ई स्पेशल ट्रेन 2501 A शनि दिन खुलत. गुवाहाटी सं एकर खुलय के टाइम रहत राति के 2330 बजे आओर ई दरभंगा अगिला दिन सांझ मे 1700 बजे पहुंचत. गुवाहाटी सं ई ट्रेन 6 आओर 13 तारीख के खुलत जखन कि दरभंगा सं 7 आओर 14 तारीख के खुलत. अखन त ई स्पेशल ट्रेन सिर्फ 14 दिसम्बर तक अछि जरूरत पड़ला पर एकर फेरा बढ़ाएल जा सकैत अछि. मुदा आबय जाय सं पहिने स्टेशन पर पूछताछ जरूर क लेल करु.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
केवटी मे बनत गर्ल्स हॉस्टल
केवटी... दरभंगा मे लड़की सभ के लेल सय बेड वाला हॉस्टल खुलत. एकर एलान केवटी मे केंद्रीय मानव संसाधन राज्यमंत्री मो. अली अशरफ फातमी जी कएलकिन्ह. फातमीजी के कहनाय छलन्हि जे एहि हॉस्टल मे सभ तरहक आधुनिक सुविधा मौजूद रहत. एकरे संग हुनकर इहो कहनाय छलन्हि जे जल्दीए एकटा आईटीआई आओर सीबीएसई पैटर्न वाला स्कूल सेहो खोलल जाएत. फातमी जी पुरनका हिसाब सं अखन केवटी के लोक के सांसद छथिन्ह. मुदा परिसीमन के बाद केवटी, मधुबनी लोकसभा क्षेत्र मे आबि गेल अछि. जिला तं दरभंगा पहिने जका बनल रहत. एहि लs क केवटी के लोक सभ फातमी जी सं कहलथिन्ह जे केवटी तं आब मधुबनी मे आबि गेल अछि ताही लेल अहां के एहि बेर मधुबनी सं चुनाव लsड़ पड़त. फातमीजी मुस्कुरा कs रहि गेलखिन्ह.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: career, करियर, मिथिला- मैथिली
किछ फर्क नहिं पड़ल...
नीतीश जी के मुख्यमंत्री बनला तीन साल सं बेसि भेल. मुदा जखन हम अपन गाम दिस देखय छी त किछ फर्क नहिं बुझाइत अछि. जेहना तीन साल पहिने छल तहिना आइओ अछि. बिजली... पानी... सड़क... पढ़ाई-लिखाई आओर बेरोजगारी... सभ तेहिना अछि. बिजली के बल्ब जेना तीन साल साल पहिने टिमटिमाइत छल तेहिना आइओ. लोक सभ के कहनाय छनि जे तीस-चालीस साल पहिने जे बिजली के पोल लागल ओहि टाइम मे जे तार लागल रहय... सेहो अखनो धरि लागल अछि. बीच मे कांग्रेस... जनता दल... एनडीए कइटा सरकार आएल...मुदा नव किछ नहिं भेल. पुरान कम लोड वाला तार होबाक कारणे आओर कनेक्शन दिन पर दिन बढ़ैत रहला के कारण लोड नहिं लैत अछि. एहि फेज सं ओहि फेज मे लाइन होएत रहैत अछि आ बल्ब टिमटिमाइत रहैत अछि. हमर गाम सं सटल गाम सभ जे मेन रोड सं कनि हटि के अछि... ओहिठामे हाल त आओर खराब अछि. बिजली के खंभा लागल मुदा तार नहिं लागल... कईठाम सं त खंभा सेहो गायब भ गेल अछि. अखनो कइटा गाम अछि जिम्हर बिजली पहुंचलों नहिं अछि. अखनो ओहि गाम सभ मे लालूजी के लालटेने जलैत अछि.
पानि के हाल तं एहन अछि जे सरकार के कागज पर दर्जनों हैंडपंप गड़ायल मिलि जाएत मुदा लोकेशन पर एको टा नहिं मिलत. नहिं जानि कतs गड़ाएल अछि ओ हैंडपंप सभ. सभ ऊपरे सं ऊपर खा लैत अछि. पानी टंकी सेहो बनल मुदा अकन धरि लोक सभ के ओकर लाभ नहिं मिलि रहल अछि. सरकार तरफ सं बीच मे शौचालय बनय के स्कीम आएल छल. एहन- एहन शौचालय बनल जे मास दिन नहिं टिकल... लोक पहिने जकां अखनो खेते दिस जाएत छथिन्ह.
सड़क के त हाले नहिं पुछुं. पता नहिं चलत जे कतs सड़क अछि आ कतs खद्दा. हमर गाम दरभंगा शहर सं 16 किलोमीटर दूर अछि. दरभंगा सं जयनगर के बीच मेन रोड पर . ई रोड दरभंगा के नेपाल सं जोड़ैत अछि. बीच मे एयरफोर्स स्टेशन सेहो अछि. मुदा रोड के हाल ई जे 16 किलोमीटर जाय मे अहां के डेढ़ सं दु घंटा लगि जाएत. गाम- घर सं बराबर या रोज दरभंगा जाय वाला लोक सभ के त आदत पड़ि गेल छनि. मुदा नवका लोक के त हालत खराब भs जाइ छनि. बस...गाड़ी के सीट के पकड़ने रहय छथिन्ह जे नहिं जाने कखन गाड़ी उलटि जाएत. नेशनल हाइवे जे स्वर्णिम चतुर्भुज के नाम सं बनि रहल अछि... ओ जरूर नीक सं बनि रहल अछि मुदा राज्य सरकार वाला रोड के हाल पहिने जका अछि. नीतीश जी के सरकार सेहो सिर्फ गप्पे पर चलि रहल अछि. हुनकर मंत्रिओं सभ किछ क नहिं रहल छथिन्ह. किछ दिखि नहिं रहल अछि. लोक के जे विकास होइ छै जे दिखबाsको चाही. ई तीन साल मे त हमरा गाम मे कोनो फर्क नहिं बुझाइत अछि... अहांक गाम दिस कि हाल अछि ?
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली

















