Why INDIA is in trouble?
आर्ट ऑफ लिविंग केर नीताजी सं मिलल मेल
Why INDIA is in trouble?
Population: 100 crore
9 crore retired
30 crore in state Govt
17 crore in central Govt
(Both Category don't work)
1 crore IT professional (don't work for India)
25 crore in school
1 crore r under 5 years
15 crore unemployed
1.2 crore u can find anytime in hospitals
Statistics says u find 79,99,998 people anytime in jail
The Balance two are U & Me.
U are busy " checking Mails /sending fwds.. "..!!
HOW CAN I HANDLE INDIA alone?
कि गप्प में सच्चाई छै की नहिं ?
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Value of life...
एकटा आओर संदेश...
If god answers your prayer, he is increasing your faith,
If he delays, he's increasing your patience,
If he doesnt answer, he knows you can handle it.




By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 3 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Geeta Gyan - HR to Employee
By-Vijay Deo Jha, The Pioneer, Ranchi
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 1 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
HIGHWAY ARTWORK.
एकटा संगी केर भेजल ईमेल संदेश हम अहां सभ के सेहो देखाबय चाहब.
1) TRAILER PAINTED TO LOOK AS IF THE SIDE AND BACK ARE OPEN, AND A GIANT BOTTLE OF FOREIGN BEER IS STICKING OUT OF THE TRAILER.
2) ENTIRE TRAILER IS PAINTED TO LOOK LIKE A GIANT CANVAS TOTE BAG. THE STRAP APPEARS TO JUT OUT , BUT IT IS ALL A FLAT SURFACE.
3) THE TRAILER IS PAINTED TO LOOK OPEN, WITH CASES OF PEPSI-COLA IN STACKS , SUSPENDED FROM THE CEILING, AND THE BOTTOM OF THE TRAILER IS EMPTY.
4) TRAILER HAS BEEN PAINTED TO LOOK LIKE THE FRONT OF A TRUCK,COMPLETE WITH A WINDSHIELD AND A TRUCKDRIVER PAINTED IN THE "DRIVER'S SEAT". HE IS LOOKING BACK OVER HIS SHOULDER TO APPEAR AS IF HE IS DRIVING BACKWARD. (IN MY OPINION, THIS ONE COULD CAUSE A LOT OF ACCIDENTS!)
5) PAINTED AS A BEAUTIFUL, LIGHTED AQUARIUM WITH FISH SWIMMING IN IT AND "LIVE" VEGETATION.
6) ANOTHER FOREIGN AD -- THIS ONE A SHELF LINED FULL WITH BOOKS AND A POST-IT NOTE WITH THE NUMBER. THE BACK HAS A CORK BULLETIN BOARD.
7) THE LAST ONE IS FOR PRINGLES HOT & SPICY....WELL, SEE FOR YOURSELF.....
REMEMBER -- EACH AND EVERY PHOTO YOU'VE SEEN HERE IS ACTUALLY JUST PAINT ON A PLAIN OL' SEMI TRAILER!!
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 3 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
कोचिंग के कारोबार
यूपीएससी... आईआईएम... आईआईटी... आओर दोसर प्रतियोगिता परीक्षा के रिजल्ट पिछला दिन निकललअछि. एहि में सं कइटा में बिहार... झारखंड के छात्र लोकनि के नीक रिजल्ट रहल अछि. आईआईटी में तं बिहार केपहिल स्थान मिलल अछि. बिहार -झारखंड के हजारों छात्र प्रतियोगिता परीक्षा में सफल भेलाह अछि. मुदा सवालउठैत अछि की कि ई बिहारक बेहतर शिक्षा व्यवस्था के कारण अछि ? कि बिहार में पढाई- लिखाई के स्तर नीकअछि एहि लेल हर साल हजारों छात्र कंपीटिशन में कामयाब भs रहल छथिन्ह. अगर नहिं तs एकर कारण की छै ? एकर कारण छै कोचिंग संस्थान में लेल गेल कोचिंग. सफल भेल छात्र में सं ज्यादातर कोनो न कोनो कोचिंगसंस्थान सं पढ़ने छथिन्ह. पटना ... दिल्ली में आबि दिन -राति मेहनत करय छथिन्ह. बिना कोचिंग...गाम घर मेंरहि कs पास होय वाला छात्रक प्रतिशत आब बड़ कम भs गेल अछि. गाम घर में स्कूल में पढ़ाई -लिखाय के हालनीक नहिं अछि. स्कूल अछि त बोर्ड नहिं... बोर्ड अछि त मास्टर नहिं... मास्टर अछि त कमरा नहिं. जेना तेना भs कs पढ़ाई चलि रहल छै.
पटना... दिल्ली... कोटा में कोचिंग करय लेल छात्रक भीड़ जुटि रहल अछि. कोटा शहर के तs जेना पूरा अर्थव्यवस्था कोचिंगे पर टिकल छै. दिल्ली में कटवारियासराय... जियासराय... मुनिरका... मुखर्जी नगर... दिल्लीयूनिवर्सिटी के इलाका... एहि ठाम लाखों छात्र मेडिकल...मैनेजमेंट... इंजीनियरिंग...सिविल सर्विसेज के तैयारी केलेल आबय छथिन्ह. एकटा अनुमान के मुताबिक सिर्फ दिल्ली में 5 लाख छात्र कंपीटिशनक तैयारी लेल आयलछथि. ओ सब 3 हजार सं लs कs छह- सात हजार रुपए तक के किराया पर मकान लs कs छथिन्ह. अगर किरायेके देखल जाय तs करोड़ों रुपया एहिठाम आबैत अछि. एकर संग कोचिंग के लेल30 हजार सं लs कs 60-70 हजाररुपया तक देबय पड़य छै. एकरा देखल जाय त ई सारा कारोबार अरबो रुपया पर चलि जाय छै. जाहि इलाका मेंविद्यार्थी सभ रहय छथिन्ह ओहि इलाका के रूखे चेंज भs जाय छै. किछिए दिन में ओहि ठामक स्थानीय लोककजीवनस्तर काफी बदलि जाय छै. ई सभ आमदनी बढ़ला सs होय छै. दिल्ली के कइटा इलाका एहन छै जतय सिर्फविद्यार्थीए के कमरा देल जाय छै... आओर एक- एकटा मकान मालिक के लाखों रुपया हर महीना सिर्फ मकानकिराया सं मिलैत अछि. मकान किराया के पैसा ओ सभ विलासिता आओर जमीन खरदय के संग दोसर निवेश मेंलगाबैत छथिन्ह. ई सभ होय छै एतय रहय वाला छात्र के पैसा सं जे ओ अपना अपना गाम घर सं लs कs आबयछथिन्ह. बिहार सं सेहो हर साल करोड़ों रुपया सिर्फ पढ़ाई के लेल बाहर जाय वाला छात्र के संग चलि जाइ छै. सरकार के एहि बात पर गंभीरता सं सोचय के चाही. कोनो उपाय करय के चाही. सरकार के चाही जे बिहार मेंशिक्षाक स्तर नीक होय...ओहि में सुधार होय जाहि सं गाम घरक पाइ गाम घरे में रहय.
ई पैसा एहिना नहिं आबैत अछि. एहि के लेल कतेक विद्यार्थी के गार्जियन के खेत भरना रखय पड़ैत अछि. खेत- खरियान बेचय पड़ैत अछि. गहना बंधक रखय पड़ैत अछि. सोच एतबे रहय छै जे केहुना हमर बौआ कंपीटिशन मेंकामयाब भs जएताह तs सभ दुख दर्द दूर भs जाएत. मुदा हर साल लाखों छात्र कंपीटिशन में बैसय छथिन्ह ओहिमें सं किछे सय सफल होएत छथिन्ह. सीट कम रहैत अछि. सीट कम परीक्षार्थी बेसि. कंपीटिशन तगड़ा रहैत अछि. कंपीटिशन तगड़ा रहैत अछि एहि लेल पार करय के लेल कोचिंग के शरण में जाय पड़ैत अछि. मुदा सबसं बड़कासवाल छै अगर स्कूल कॉलेज में ठीक सं पढाई लिखाई होय त विद्यार्थी कोचिंग के लेल किएक जएथिन्ह.
एकटा गप्प आओर जेना आइ काल्हि कोचिंग के लेल विद्यार्थी सभ दिल्ली... कोटा आ दोसर शहर जाय छथिन्हओहिना अगर पटना... दरभंगा... बोकारो... मुजफ्फरपुर के शिक्षा केन्द्र के रूप में विकसित कएल जाय तs एहिठाम सेहो बाहर के छात्र सभ अयताह...आओर जखन बाहर सं छात्र सभ अयताह तs एहिठामक अर्थव्यवस्था सेहोसुधरत. एहि के लेल पहिने त खुद के शिक्षा संस्थान के मजबूत कएल जाय. नव नव शिक्षा संस्थान... कॉलेज... यूनिवर्सिटी... मेडिकल... इंजीनियरिंग... प्रबंधन संस्थान खोलल जाय. जतेक नीक संस्थान खुलत ओतेक विद्यार्थीएहि ठाम शिक्षा ग्रहण करय लेल अएताह. अएताह तs ओ पाइ लs कs अएताह. जाही सं एहिठामक सेहो लोककजीवनस्तर सुधरत. तs कोशिश करु बिहार...मिथिलांचल एक बेर फेर सं शिक्षा जगत में प्रमुख केंद्र बनि क उभरय. अहां के एहि पर कि विचार अछि ? हम एहि गप्प पर अहां सभ के राय...विचार सेहो जानय चाहब. कृपया अपनाटिप्पणी जरूर देबय के कष्ट करू.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 1 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
दाई के बेटा दरोगा
दाई के बेटा दरोगा. दरभंगा... लहेरियासराय के पास बलभद्रपुर नवटोलिया के संदीप दरोगा में चुनल गेलाह अ. स्व. बहुरू राम जीक सुपुत्र संदीप बिहार कर्मचारी आयोग के अवर निरीक्षक...दरोगाक परीक्षा में एससी कोटा में दसवां स्थान प्राप्त कएला अछि. संदीपजी के मां दुर्गा नर्सिंग होम में दाई के काज करय छथिन्ह. बेटा के दरोगा बनला सं संदीपजी के माय माया देवी के जेना एकटा बड़का तपस्या सफल भs गेलन्हि अ. ओना त s संदीपजी शुरूए सं पढ़ई लिखय में तेज छलाह आओर दरोगा परीक्षा के लेल बंगाली टोला के एकटा कोचिंग संस्थान सं कोचिंग सेहो करैत छलाह. मुदा बेटा के एहि सफलता सं हुनकर सभ मनोरथ पूरा भs गेलन्हि अछि. माया देवी खुद कष्ट काटि एक-एकटा पैसा बचा संदीप के पढ़ौलन्हि अछि. संदीपजी सेहो अपन माय के निराश नहीं कएलथिन्ह अ. आब हमरा सभ के संदीपजी सं इहे उम्मीद अछि जे ओ पूरा ईमानदारी सं एहि काज के करताह आओर नाम कमौताह. एकरे संग- संग दोसर लोक सभ के लेल एकटा मिसाल सेहो बनताह.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 2 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
बभनगामा, मधुबनी में मुशायरा
मधुबनी जिला के बिस्फी प्रखंड स्थित औंसी- बभनगामा गांव में अखिल भारतीय मुशायरा के आयोजन कएल गेल. एहि मुशायरा में रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव, स्थानीय सांसद केंद्रीय गृहराज्य मंत्री डॉ शकील अहमद आओर केंद्रीय मानव संसाधन राज्यमंत्री मो. अली अशरफ फातमी सेहो मौजूद छलाह. रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव के कहनाय छलन्हि जे काल्हि तक घाटा में रहय वाला रेल के ओ फायदा में लs आएल छथिन्ह. रेलमंत्री कहलथिन्ह जे पूरा मिथिला में रेल लाइन के जाल बिछा देल जाएत. मधुबनी... रहिका... बिस्फी... बेनीपट्टी... कमतौल तक प्रस्तावित रेल लाइन के लेल काज जल्दीए शुरू कएल जाएत. लालूजी लोक सभ के इहो भरोसा देलथिन्ह जे औंसी में रेल आरक्षण आओर टिकट काउंटर खोलल जाएत.
केन्द्रीय मानव संसाधन विकास राज्य मंत्री मो. अली अशरफ फातमी कहलथिन्ह जे उर्दू विश्वविद्यालय केर शिक्षण केन्द्र बनौला सं उर्दू के विकासक मार्ग खुलल अछि. मुशायरा के केन्द्रीय गृह राज्यमंत्री डा. शकील अहमद सेहो संबोधित कएलथिन्ह. हुनकर कहनाय छलन्हि जे उर्दू लोक में राष्ट्रीय एकता... अखण्डता लाबय आओर एक सूत्र में बांधय के काज करैत अछि .
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
मधुबनी में एकादश रुद्र महादेव मंदिर
ग्यारह शिवलिंग वाला मंदिर. अचरच में पड़ि गेलहुं न... मुदा एहि के लेल बेसि दूर जाइ नहिं पड़त. ग्यारह शिवलिंग के दर्शन करय लेल अहां के बेसि मेहनत नहिं करय पड़त. मधुबनी सं तीन किलोमीटर दूर मंगरौन गांव में अहां एकहि संग ग्यारह शिवलिंग के दर्शन कs सकय छी. ग्यारह शिवलिंग वाला इ एकटा इकलौता मंदिर अछि. एहिठाम एकहिं संग भगवान महादेव के अलग -अलग रूप के दर्शन कएल जाइत अछि. तांत्रिक मुनेश्वर झा 1958 में एहिठाम एहि एकादश रूद्र महादेव मंदिर के बनौने छलाह. कहल जाइ छै जे सोम दिन एहि ग्यारह शिवलिंग के दर्शन मात्र सं सभ कष्ट आओर रोग दूर भs जाइत अछि. अपन कष्ट सं मुक्ति के लेल एहिठाम दूर-दूर सं लोक सभ आबैत छथिन्ह. इहो कहल जाइत अछि जे एहिठाम सय बेर ऊं नम: शिवाय, ऊं एकादश रुद्राय मंत्र के जाप कएला पर बारह सय जाप के लाभ मिलय छै.
मंदिर के प्रागण में दायां कात ग्रेनाइट आओर अष्टधातु केर बनल राधाश्याम मंदिर छै जहि में अहां विष्णु भगवान के दशावतार रूप के दर्शन कए सकय छी.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
Labels: मिथिला- मैथिली
हायाघाट में रेलमंत्री

रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव हायाघाट के चंदनपट्टी स्थित इलियासनगर में मौलाना आजाद राष्ट्रीय उर्दू विश्वविद्यालय के शिक्षा केन्द्र के उद्घाटन कएलाह. केंद्रीय विश्वविद्यालय के देखरेख में एहिठाम तीनटा संस्थान... बीएड, आईटीआई आओर कामरान मॉडल स्कूलक उद्घाटन भेल. एहि अवसर पर मानव संसाधन राज्यमंत्री मोहम्मद अली अशरफ फातमी सेहो मौजूद छलाह. एहि केन्द्र के एहिठाम लाबय के पूरा श्रेय फातमी जी के जाइ छन्हि.
रेलमंत्री के कहनाय छलन्हि जे ओ तs चाहैय छथिन्ह जे बिहार के कोना- कोना में रेल लाइन के जाल बिछय. मुदा नीतीश सरकार सं हुनका जमीन नहिं मिलि रहल अछि. लालूजी के इहो कहनाय छलन्हि जे बिहार में रेल के पांच टा कारखाना खोलल जाएत. उद्घाटन समारोह में आएल लोक सभ के रेल मंत्री इहो कहलथिन्ह जे देश के सभ प्रमुख स्टेशन पर मधुबनी पेंटिंग के लगायल जाएत.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
लकीर सं किछ अलग
यूपीएससी केर रिजल्ट निकलल... आईआईटी केर निकलल. यूपीएससी में टॉप टेन में अपन दरभंगा... मिथिलांचलक नंदकुमार झा अएलाह. आईआईटी में पटना केर शितिकांत पूरा इंडिया में टॉप कएलाह. सुपर 30 के 30 के 30 छात्र आईआईटी में आबि गेलाह. एकर संग बैंकिंग होय... एसएससी होय आ दोसर कोनो कंपिटीशन... बिहारक छात्र सभ नीक रिजल्ट लाबैत छथि. ई सभ देखि...सुनि नीक लागैत अछि. मुदा आब समय आबि गेल अ जे अपन बिहार के... मिथिलांचल के लोक सभ के लकीर सं कनि हटि के सोचय पड़त. लकीर सं कनि हटि के चलय पड़त.
आब समय आबि गेल अछि जे बनल बनाएल लकीर सं कनि हटि के चलय पड़त. कनि हटि के चलि... नव -नव प्रयोग करि. नव-नव रास्ता निकालि छिपल खजाना के खोजय पड़त. अखन तक आबि रहल परम्परा के तोड़ि एकटा नव पहचान बनाबय पड़त. आओर जे किछ नव करैत छथि बाजार में... दुनिया में हुनके धाक चलय छै. एकरा लेल अहां टाटा... बिरला ... अंबानी सं लsक बयानी तक के उदाहरण लs सकय छी. अगर लीक पर चलब तs ओतय पहुंचब जतय दोसर पहुंचल छै. लीक सं हटि कs किछ नव कय सकय छी...अपन अलग पहचान बना सकय छी. चाहे उ एयरटेल के मित्तल जी होताह आ पीवीआरक अजय बिजली या मशहूर बिल्डर हीरानंदानी . ई सभ लोकनि किछ अलग कएला के बादे आई एहि पॉजिशन पर छथिन्ह. बिना जोखिम लेने काज नहिं चलत. किछ अलग करय के आनंदे किछ आओऱ छै. हमर गाम के एकटा लड़का दिल्ली में बहुत दिन एम्हर-ओम्हर कइटा काज कएला. मन नहिं लगलन्हि. आखिर ओ कंपनी सभ में सिक्योरिटी देबय के काज शुरू कएलाह. आई हुनकर दिल्ली एनसीआर में सैकड़ों गार्ड कइटा कंपनी... होटल... मॉल में लागल अछि. लाखों रुपया के कारोबार कs रहल छथिन्ह. जोखिम केर संग- संग किछ संतोष... सब्र सेहो राखय पड़य छै. कनि नुकसान सं हारि कs अगर बैसि गेलहुं तs काज नहिं चलत. उठु आओर चलि पडु.
एहने एकटा कहानी छन्हि अंकुर वैद ... सौरभ शाह आओर मिशल रहेजा के. एक दिन ई तीनु दोस्त पब में बैसल छलाह कि देखय छथिन्ह कइटा एहन लोक छथिन्ह जे खूब पी लेने छथिन्ह आओर हुनका घर लs जाय वाला कोनो लोक नहिं छनि. एहन कइ बेर होय छै. भs सकय अ अहां सभ के सेहो कई बेर एहन दृश्य देखय के लेल मिलल होयत मुदा ई तीनु दोस्त ओहि दिन फैसला कएला जे एकटा एहन सर्विस शुरू कएल जाय जाहि में पब में एकसरे बैसल लोक के... पी कs बहैक गेल लोक के... आ ओहन लोक जे बैसि पी लेला के बाद गाड़ी नहिं चला सकय छथि हुनका घर तक पहुंचाबय के काज करल जाय. आई हिनकर धंधा हिट छनि.
आई सं बीस साल पहिने दरभंगा में एकटा सर्विस शुरू भेल छल गैस घर पहुंचाबय के... बिल जमा करय के. ओहि टाइम में गैस के बड़ किल्लत रहय छल आओर गैस के लेल कई बेर दौड़य पड़ैत छल. एहि में सर्विस वाला के निश्चित रकम दs देला पर ओ गैस के बुकिंग करानाय सं लs कs गैस के घर तक पहुंचाबय के काज करैत छल. आई -काल्हि की हाल छै नहिं मालूम मुदा ई दिल्ली- मुम्बई जैसन शहर में काफी चलि रहल छै. मेट्रो शहर में इजी बिल के नाम सं कई दोकान पर बिल जमा होइ छै.
एकटा उदाहरण मधुबनी जिला के अछि. एहि ठाम के एकटा राय जी मुम्बई गेलाह काज के तलाश में. मुदा काज में बड़ दिक्कत देखि ओ फिल्मी दुनिया में... फिल्म सिटी में निर्माता... निर्देशक... फाइनैंशर सभ के सामान पहुंचाबय के काज शुरू कs देलाह. हर फिल्म के लेल ऑडियो... लाइटिंग... घोड़ा गाड़ी सं लs कs खाना पीना तक सप्लाई करय पड़य छै. ओ धीरे-धीरे एहि में हाथ जमाबैत गेलाह आई हुनकर धंधा खूब चमैक रहैल छनि.
आई काल्हि आईटी... बैंकिंग... बीमा... पर्यटन... रिटेल सर्विस... आउटसोर्सिंग... मीडिया... डिजाइनिंग... फैशन. आओर स्वास्थ्य क्षेत्र सं जुड़ल काज में अपन पैठ बना सकय छी. आबय वाला दिन एहि सभ के रहत. एहि सभ में किछ नव प्रयोग कs... नव चीज ला मार्केट पर पकड़ बना सकय छी. शुरू में कनि दिक्कत परेशानी जरूर होयत मुदा हिम्मत सं काज लैत आगां बढैत रहब त रास्ता खुद ब खुद बनैत जाएत. अपन आस पास नजर दौड़यला पर एहि तरहक हजारों अवसर देखाय पड़त. जरूरत छै तs ओकरा पहचानि... ओकरा पकड़ि पूरा उत्साह... उमंग...जोश के संग काज शुरू करय केर. सभसं बड़का जरूरत छै खुद पर विश्वास ...भरोसा होबाक चाही जे हम ई काज कs सकय छी. हम एहि काज में सफल होयब आओर छोट छिन परेशानी सं हताश नहिं होयब. तs सरकारी नौकरी सं अलग किछ करय लेल आई ए सं जुटि जाउ.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 1 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
सफलता के सिद्धांत
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
तीन सालक आरोपी
दरभंगा सं एकटा खबर अछि. बहेड़ी थाना में ओना तs मामला दर्ज होएते रहैत अछि मुदा एक मामला में एहन आरोपी के नाम दर्ज छै जे आरोपी शब्द के मतलबों नहिं जानैत अछि. बहेड़ी थाना में पिछला दिन मारिपीट के एकटा मामला दर्ज करल गेल. आरोपी में ओना कइटा नाम छै मुदा अहां के ई जानि कs अचरज होएत जे एहि में एकटा नाम तीन साल के नुनु के छै. आब ई तीन साल के नुनु अजय ककरा सं मारि पीट करत ! एकर साफ मतलब अछि जे मामला दर्ज करय गेल पुलिस मामला के नीक सं जांच पड़ताल नहिं करलक आ जेना लोक कहलक लिख लेलक. उ तs जखन मामला अदालत पहुंचल तखन पुलिस के भूमिका पर सवाल उठावल गेल. मुदा पुलिस अपन गलती मानय लेल तैयार नहिं अछि. अफसर सभ सेहो पुलिस के बचाबय लेल बहाना बना रहल छथिन्ह. मामला के जे होय पुलिस के एकटा छोट-छिन्ह गलती के लेल तीन साल के अजयक पिता संतोष मल्लिक दरभंगा कोर्ट में चक्कर पर चक्कर लगा रहल छथिन्ह.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
मिल्लत कॉलेज स्वर्ण जयंती समारोह
दरभंगा में मिल्लत कॉलेज के स्वर्ण जयंती समारोह मनाबल गेल. समारोह के उद्घाटन केंद्रीय गृहराज्य मंत्री शकील अहमद आओर अध्यक्षता केंद्रीय मानव संसाधन राज्यमंत्री मो. अली अशरफ फातमी कएलाह. एहि अवसर पर डॉ शकील अहमद के कहनाय छलन्हि जे मुसलमान के ई शिकायत रहय छन्हि जे हुनका संग भेदभाव भs रहल छन्हि. एहि भेदभाव के खत्म करय के एकेटा तरीका अछि जे ओ मेहनत कए तालीम हासिल करय आओर अपन मंजिल हासिल करय...मुकाम हासिल करय. ओ अपील कएलथिन्ह जे अपन आर्थिक आओर शैक्षणिक पिछड़ापन के दूर करय लेल मुसलमान के खुद आगां आबय पड़त. गृह राज्य मंत्री के साफ कहनाय छलन्हि जे मुसलमान के तरक्की तखने संभव अछि जखन ओ मेहनत करताह...तालिम हासिल करताह.
डॉ. साहेब के कहनाय छलन्हि जे मिल्लत कॉलेज के जे रुतबा पहिने छल आब ओ रूतबा नहिं रहल अछि एकरा फेर सं पाबय लेल कॉलेज के कोशिश करबाक चाही. शहर के बुद्घिजीवी सभ के चाही जे ओ एहन माहौल बनाबैत जाही सं कॉलेज के नाम फेर सं रौशन भs सकय.
एहि मौका पर फातमी जी शिक्षा के विकास के लेल शुरू कएल गेल कार्यक्रम के बारे में बतौलन्हि. हुनकर इहो कहनाय छलन्हि जे मिल्लत कॉलेजक हॉस्टल बनाबय के लेल विश्वविद्यालय अनुदान आयोग...यूजीसी सं 60 लाख रुपया देल गेल अछि.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post
हाईटेक स्टेशन समस्तीपुर
रेलवे आई- काल्हि देशभर के स्टेशन सभ के हाई टेक बनाबय में लागय अछि. एहि के लेल एयरपोर्ट जकां स्टेशन पर सेहो सामानक जांच के लेल मशीन सभ लगायल जाएत. एहि दिस कदम उठाबैत समस्तीपुर रेलवे स्टेशन पर क्लोज सर्किट टीवी... सीसीटीवी लगा देल गेल अछि. एक तरहे कहि सकय छी जे स्टेशनक निगरानी आब सीसीटीवी के मार्फत सं शुरू भ गेल अछि. ई पूरा कवायद यात्री के सफर सुरक्षित करय लेल आओर सरकारी संपत्ति के नुकसान सं बचाबय लेल कएल गेल अछि. समस्तीपुर में अखन दसटा सीसीटीवी कैमरा लगाबय गेल अछि. एहि कैमरा सं मिलय वाला फोटो... तस्वीर पर नजर राखय लेल एकटा स्पेशल रूम बनाबल गेल अछि. जतय सं रेलवे सुरक्षा बल के जवान स्टेशन पर होय वाला गतिविधि पर नजर रखताह.
रेलवे के योजना देशभर के एक सय से ज्यादा स्टेशन के हाईटेक बनाबय के छै. जाहि सं स्टेशन पर आबय वाला हर आदमी पर नजर रखनाय आसान भs जाएत. एहि क्रम में जल्दीए दरभंगा रेलवे स्टेशन पर सेहो सीसीटीवी लगाबल जाएत. सीसीटीवी के संगहि दरभंगा, मधुबनी स्टेशन पर यात्री सभ के सुरक्षा के लेल कइटा कदम उठावल गेल अछि.
By : हितेंद्र कुमार गुप्ता 0 कमेंट | एतय क्लिक कs कमेंट लिखु Links to this post






















