27 Feb, 2008

जर्जर झंझारपुर पुल

झंझारपुर में कमला बलान पर बनल रेल -सड़क पुल के हालत एकदम खस्ता भs गेल छै. एहि ठाम अक्सर कोनो न कोनो दुर्घटना होएते रहैत अछि. एकहिं संग दुनु पुल होय के कारण एहिठाम लोक के सदिखन जाम सेहो मिलैत छै. पुल पर रेल लाइन के दुनु बगल... पटरी के दुनु कात आओर बीच में लकड़ी के पटरा सभ जे कील सं ठोकल छै ओकर कील आब निकलि गेल छै. कील के ढीला भs गेला सं पटरा के एक तरफ लात पड़त त पटरा दोसर तरफ उठि जाएत. ऐना में कई बेर एहन होय छै जे मोटर साइकिल... साइकिल के चक्का पटरा के एकटा छोर सं पार भेर कि दोसर छोर उठि गेल..झुला टाइप सं. एहि सं दुर्घटना सेहो भ जाए छै. गाड़ी के बैलेंस एकदमे सं गड़बड़ा जाइ छै. कई ठाम त बड़का बड़का फांक भ गेल छै. एहि फांक सभ में कोनो गाड़ी फंसि गेल त फेर कल्याणे बुझु. लोक के सभ काम काज सेहो फंसि जाइत अछि. पुल के पाया सभ सेहो कमजोर जका लगैत अछि. एकरा पर ध्यान देबय के जरूरत अछि. जिनका पता छनि वो गाड़ी चलाबय वाला लोक सभ एहिठाम संभलि क चलैत छथि मुदा कइटा नवका लोक एहि ठाम फंसि जाइत छथि. एहि ठाम कोनो गाड़ी फंसल कि समझु बड़का जाम लागल. जाम सं कइ बेर सकरी आओर झंझारपुर के बीच रेल गाड़ी सेहो फंसि जाइ छै. आओर जखन तक रास्ता साफ नहिं भेल बैसल रहु गाड़ी में... किछ कओ नहिं सकैत छी. अगर जल्दीए एकर कोनो उपाय नहिं कएल गेल त कोनो दिन बड़का दुर्घटना भ सकैत अछि. एहि लेल पहिने सं सावधानी... सतर्कता बरतैत एकरा मरम्मत के जरूरत अछि.

मिथिला इतिहास संस्थान सम्मेलन

मिथिला इतिहास संस्थानक सम्मेलन 15-16 मार्च के ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय में होएत. एहि लेल विश्वविद्यालय के इतिहास विभाग जोर शोर सं जुटल अछि. मिथिलाक इतिहास अध्ययन पर विशेष जोर देबय के लेल सम्मेलन में प्राचीन... मध्य आओर आधुनिक मिथिला पर केंद्रित आलेख सेहो राखल जाएत. एहि ठाम मिथिला में समाज आओर शिक्षा विषय पर सिंपोजियम सेहो आयोजित कएल जाएत. एकर संगहि एकटा परिचर्चा मिथिला इतिहास में मिथक किंवदंती एवं अंधविश्वास पर सेहो होएत.
सम्मेलन में मिथिला के इतिहास एवं संस्कृति सं संबंधित शोध आलेखक संग मिथिला संस्कृति सं जुड़ल लोक साहित्य के संकलन के लेल विशेष परियोजना तैयार कएल जाएत. सम्मेलन में तीन सौ सं ज्यादा प्रतिनिधि के शामिल होए के उम्मीद छै. सम्मेलन के लेल डा. विवेकानंद झा जीक अध्यक्षता में एकटा कमेटी बनाएल गेल अछि. कमेटी में प्रो. रत्नेश्वर मिश्र, प्रो. सीपीएन सिंहा , प्रो. नरेंद्र नारायण सिंह निराला , डा. धर्मेद्र कुंवर , डा. एसएन आर्या, डा. हीरानंद आचार्य , डा. अमरनाथ ठाकुर आओर डा. उषा किरण झा शामिल छथिन्ह.

26 Feb, 2008

बिहार... मिथिला के लेल ट्रेन

रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव के रेल बजट में बिहार... मिथिला के लेल काफी किछ अछि. एकटा गरीब रथ दिल्ली सं जयनगर के बीच शुरू होएत जे सप्ताह में दु दिन पटना भ क चलत. नयका गाड़ी में अमृतसर-सहरसा जनसाधारण एक्सप्रेस वाया हसनपुर सप्ताह में एक दिन चलत... जयनगर-सहरसा जानकी एक्सप्रेस वाया हसनपुर सप्ताह में तीन दिन चलत... एकर संग जे दोसर ट्रेन शुरू होएत ओ अछि...
सूरत-मुजफ्फरपुर एक्सप्रेस वाया आजमगढ-छपरा (साप्ताहिक)...
दिल्ली-जोगबनी लिंक एक्सप्रेस (साप्ताहिक)...
कामाख्या-गया एक्सप्रेस (साप्ताहिक)...
मथुरा-छपरा एक्सप्रेस (सप्ताह में तीन दिन)
पुरी-दरभंगा एक्सप्रेस (साप्ताहिक)...
वास्कोडिगामा-पटना एक्सप्रेस वाया कोंकण रेलवे (साप्ताहिक)....
गया-चेन्नई एक्सप्रेस (साप्ताहिक) ...
राँची-भागलपुर एक्सप्रेस वाया क्यूल (सप्ताह में तीन दिन)...
राँची-भागलपुर वनांचल एक्सप्रेस वाया क्यूल (सप्ताह में दु दिन)
आमान परिवर्तन के बाद हाजीपुर-फुलवरिया पैसेंजर (प्रतिदिन)
एकर संग दानापुर दरभंगा के बीच चलय वाला एक्सप्रेस के जयनगर तक बढ़ा देल गेल अ. जखन कि मथुरा लखनऊ एक्सप्रेस के पटना तक क देल गेल अ. एकरे संग. अमृतसर सहरसा गरीब रथ के दु दिन सं बढ़ा क तीन दिन क देल गेल. भागलपुर राँची एक्सप्रेस आब प्रतिदिन क देल गेल अ. आओर अहमदाबाद पटना अजीमाबाद एक्सप्रेस के साप्ताहिक से दु दिन क देल गेल अछि.एहि बेर आमान परिवर्तन ... पटरी के बड़ी लाईन में जे बदलय के बात छै ओहि में पूर्णिया-सहरसा आओर सीतामढ़ी नरकटियागंज शामिल अछि

लालू के बजट

रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव लगातार पाचम साल रेल भाड़ा नहिं बढ़ा s एकटा रिकॉर्ड बना लेलाह अछि. मुदा रेलभाड़ा नहिं बढयबा के असर दोसर चीज पर नहिं पड़ल अछि. हुनकर रेल बजट में दोसर तोहफा सेहो छनि. भाड़ाबढ़ाबय के बात छोडु किछ घटा सेहो देलखिन्ह . अपन रेल बजट भाषण में मेल , एक्सप्रेस आओरपैसेंजर गाड़ी के लेल 50 रुपया तक भाड़ा में एक रुपया कम करय के ऐलान कएलाह... सेकेंड क्लास में 50 रुपयासं बेसि के भाड़ा में पांच प्रतिशत के कमी होएत... एसी वन के भाड़ा में सात फीसदी आओर एसी टू के भाड़ा में चारफीसदी कमी कएल गेल अछि .
लालू जी के लोक लुभावन बजट में 10 गरीब रथ आओर 53 नब गाड़ी के संग 16 गाड़ी के रूट बढ़ाबय के घोषणाकएल गेल....एकर अलावा नई दिल्ली ... पटना ... सिकंदराबाद आओर छत्रपति शिवाजी स्टेशन ( मुंबई ) केविश्वस्तर के स्टेशन बनाबय के वादा कएल गेल . रेल बजट में वरिष्ठ नागरिक...अशोक चक्र पाबय वाला सैनिक... एड्स पीड़ित के संग छात्रा सभ के रियायत के घोषणा कएल .. एकर संग रेलवे के फोर्थ ग्रेड में लाइसेंसदारी कुली केभर्ती कएल जाएत... आब अहां नेट के संग संग मोबाइल सं सेहो टिकट बुक करा सकय छी.
बिहार के नवीनगर में 1000 मेगावाट के बिजली कारखाना के लेल एनटीपीसी सं करार कएल गेल आओऱ रेलवे केजमालपुर कारखाना के आधुनिकीकरण सेहो कएल जाएत.

22 Feb, 2008

समस्तीपुर में आलू प्रसंस्करण उद्योग

समस्तीपुर में आलू प्रसंस्करण उद्योग लागत. हाले में कोलकाता में पोटैटो एक्सपो भेल रहय ओकर बाद सं समस्तीपुर में आलू आधारित उद्योग लगाबय में कइटा उद्योगपति सभ दिलचस्पी देखलखिन्ह अ. ई बात एहि ठामक किसान के लेल खुशी के बात छै. एहि सं ओ आओर मेहनत करताs आओर हुनका अपन उपज... पैदावार के सही कीमत सेहो मिलतन्हि. खबर छै जे रिलायंस सेहो एहि में अपन रुचि दिखएलक अ. आलू उपजाबय के मामला में बिहार के स्थान देश में तेसर छै. एकर संगे बिहार के आलू नीक क्वालिटी के सेहो होइ छै. बिहारक माइटक असर छै जे एहि ठामक आलू दोसर ठाम सं बेसि स्वादिष्ट होइ छै. मुदा अपना एहिठाम बिहार... मिथिला में आलू के उपयोग मात्र सब्जी... तरकारी लेल होइत अछि. अखन धरि एकर प्रोसेसिंग नहिं के बराबर भs रहल अछि. एकटा बात आओर छै भने बिहार पैदावार के मामला में तेसर स्थान पर छै... मुदा प्रति कट्ठा... एकड़ उत्पादन देखल जाय तs ओ दोसर ठाम सं कम छै. एकर लेल राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय के कृषि वैज्ञानिक सभक सहयोग सं नीक वेरायटी के आलू के पैदावार के कोशिश कएल जा रहल छै. उम्मीद छै जे जल्दीए आलू के पैदावार में बढ़ोतरी होएत आओर किसान भाई के सेहो फायदा मिलतन्हि.
समस्तीपुर तरकारी... सब्जी उत्पादन के मामला में बिहार में सभ सं आगा रहल अ. आओर समस्तीपुर एकटा बड़का सब्जी मंडी में सेहो तब्दील भ रहल अछि. एहि ठामक तम्बाकू ... खैनी सेहो दुनिया भर में नाम कमौने अछि. एहि ठाम सं तरकारी बिहार के कोना कोना में बेचल जाइत अछि. मुदा एहि ठाम एतेक बड़का स्तर पर सब्जी के खेती होयतो एकोटा उद्योग नहिं अछि. अगर प्रसंस्करण उद्योग के बात आगां बढैत अछि तs ई एहिठामक लेल एकटा बड़का बात होयत .

20 Feb, 2008

घेरा डालो डेरा डालो

अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति मार्च में बजट सत्र के दौरान संसद के घेराव करय जा रहल अई. घेरा डालो डेरा डालो आंदोलन में लोक के जुटाबय के लेल... अलग मिथिला राज्य के लेल समिति के लोक सभ गामे - गामे जा रहल छथिन्ह. समिति के अध्यक्ष बैद्यनाथ चौधरी बैजूजी खुद जोर- शोर दौरा में लागल छथिन्ह. ओ गाम में जाs कs सभ मैथिल लोकनि के मार्च के तेसर हफ्ता में दिल्ली में जुटय लेल कहि रहल छथिन्ह. ओ लोक सभ सं अपील करय छथिन्ह जे जखन तक अहां सभ लोकनि के सहयोग नहिं मिलत अलग मिथिला राज्यक बननाय संभव नहिं अछि. हुनकर कहनाय छनि जखन भाषा के आधार पर पंजाब... पश्चिम बंगाल... असम... गुजरात बनि सकय अ त मिथिला किएक नहिं.
समिति के कहनाय छै मिथिला में जे बाढि़... सुखाड़... बिजली आओर पलायन के जे समस्या छै ओकर समाधान अलग राज्य बनले पर भs सकय अ. अलग राज्य बनवा के बादे मिथिलाक विकास संभव अछि. अखन धरि सभ राजनीतिक दल राजनीति कए एहिठामक लोक के ठगैत रहल. ई इलाका दोसर इलाका के तुलना में बेसि पिछड़ल रहल. लोकक समस्या परेशानी दूर करय के लेल सही मायने में प्रयास नहिं कएल गेल. लोक सं खिलवाड़ कएल गेल. वोट लेबय लेल दस तरहल भरोसा... वायदा कएल गेल मुदा लोक के हाथ में कि आएल ... किछ नहिं. विकास त छोड़ु उल्टा ऐहन भेल जे स्कूल कॉलेज में जे मैथिलीक पढ़ाई होयत छल कई ठाम बंद भ गेल. स्कूल में जखन पढ़ाई नहिं होयत त लोक ओहि भाषा के जानथिन्ह कोना. दोसर के छोड़ु हमर केवटी, दरभंगा गाम में सौ में सं नब्बे टा बच्चा मैथिली में बात नहिं करय छथिन्ह. कोनो स्कूल में पढ़ाई नहिं होय छै. अंग्रेजी स्कूल में तं मैथिली बोलला पर मुर्गा बना देल जाय छै. ई हाल हमरे गाम के नहि अछि ...मिथिला के बेसि गाम में अहां के इहे हाल मिलत. नहिं पढ़ाई होय छै आओर लोक सेहो नहिं पढ़य लेल चाहय छथिन्ह. पढला के बाद जखन मैथिली में कोनो काजे नहिं भेटत त पढ़ि कs कि करब. पढ़िओ लेब तs दरभंगा... मधुबनी... समस्तीपुर... पूर्णिया सभ ठाम एकोटा दोकान... दफ्तर... फिल्म के नाम... ट्रेन के नाम.. बस के नाम मैथिली में नहिं मिलत. दोसर त छोड़ु ई जे आंदोलन चलि रहल अछि ओकर नारा अछि डेरा डालो...घेरा डालो.

13 Feb, 2008

दरभंगा-कुशेश्वरस्थान बड़ी लाईन

दरभंगा सं कुशेश्वरस्थान के बीच जल्दीए बड़ी लाईन बनत. रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव पिछला दिन कुशेश्वरस्थान में दरभंगा-कुशेश्वरस्थान बड़ी रेल लाईन के शिलान्यास कएलाह. रेल मंत्री कहलथिन्ह जे कुशेश्वरस्थान के एकटा एहन रेल टर्मिनल बनाबल जाएत जे देश में अपना तरहक होएत... देश में सर्वोत्तम होएत. श्री यादव ईहो कहलथिन्ह जे कुशेश्वरस्थान के एकटा पर्यटन स्थल के रूप में सेहो विकसित कएल जाएत. एहि अवसर पर रेल मंत्रीजी ईहो संकेत देलथिन्ह जे एहि बेरक रेल बजट में आम लोकक विशेष द्यान देल जाएत. एहि शिलान्यास सभा में ओ महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के नेता राज ठाकरे के सेहो निंदा कएलथिन्ह. आ कहलथिन्ह जे राज ठाकरे देश के बांटय के काज कs रहल छथिन्ह. ई सभ देश के एकता अखंडता के लेल खतरा अछि.

राज ठाकरे बनि गेलाह हीरो

महाराष्ट्रक राजनीति में राज ठाकरे हीरो बनि गेलाह अ. जमानत मिलला के बाद अदालत सं ओ एकटा नायक... विजेता के तरहे निकलला आओर हाथ लहराबैत अपन समर्थक के धन्यवाद देलाह. घर सं गिरफ्तार भेलाह पर अदालत तs अएला पुलिस के गाड़ी सं मुदा घर गेलाह अपने गाड़ी सं...ओहो खुद चला कs . अदालत आओर घर पर हुनकर समर्थक के भारी भीड़ हुनकर जय-जयकार करैत रहला. मराठी अस्मिता के मुद्दा उठा कs ओ ई साबित कs देलाह अ कि बाला साहेब ठाकरे के असली वारिस उहे छथिन्ह. बाला साहेब के बाद मराठी मानुस के बात करय वाला उहे छथिन्ह दोसर कोई नहिं. एकरा ओ डंका के चोट पर साबित कs दिखयलाह अ. शिवसेना में जखन हुनका बाला साहेब के उत्तराधिकारी नहिं बनाबलव गेल... उद्भव ठाकरे के बनाबल गेल त ओ महाराष्ट्र नव निर्माण सेना बना लेलाह. बना त लेलाह मुदा मराठी वोट पर कब्जा केना कएल जाय. एकरा लेल ओ बाला साहेब के तरहे मराठी अस्मिता... बेरोजगारी... बेकारी... मराठी मानुस वाला कार्ड खेलला. आओर ओ एकरा पूरा फायदा उठाबय में कामयाब रहला. राज ठाकरे के गिरफ्तारी सं सरकार सेहो फायदा में रहल. ओ केन्द्र सं आबय वाला दबाव के कम सेहो कए देलक आओर शिवसेना के वोट बैंक के दु -फाड़ सेहो . अखन तक जे मराठी वोट पर शिवसेना के एकछ्त्र कब्जा छल आब ओ दु हिस्सा में बंटि गेल . राज आओर उद्भव के बीच. अहां कहि सकय छी जे राज ठाकरे के नायक... हीरो बनय सं अगर सभस बेसि घाटा... नुकसान भेल अ त असली शिवसेना के... उद्भव ठाकरे के. आओर अगर ककरो सभ सं बेसि फायदा भेल अ त ओ कांग्रेस के. कांग्रेस एक तीर सं कइटा शिकार करय में कामयाब रहल अ. एहि में एनसीपी... बीजेपी... शिवसेना सभ हासिया पर चलि गेल अ. राज ठाकरे आगा त अएला अ मुदा एकर असल फायदा कांग्रेस के भेल अ. चालीस साल पहिने बाला साहेब जे मराठी मानुस के नाम पर मु्द्दा उठा राजनीति पर हावी भेल छलाह... कहि सकय छी ओहि मुद्दा के आब राज ठाकरे हथिया लेलन्हि अ.
एहि सं पहिने भारी सुरक्षा बल के मौजूदगी में राज ठाकरे के गिरफ्तार कए विक्रोली अदालत लs जाएल गेल. जतय हुनका जमानत मिलि गेलन्हि. असल में हिनका खिलाफ जे अदालत में सबूत पेश करल गेल ओ पुख्ता साबित नहिं भेल. हिनका ऊपर भड़काउ भाषण देबय... लोक के बांटय के आरोप लगल मुदा जे हिनकर बयान पेश कएल गेल ओ पूरा नहिं छल... आधा अधूरा छल. आखिर ओतय दिन सs सरकार इहे तs करि रहल छल. एहि तरहे मामला पेश कएल जाय जे टिकिए नहिं पायल.

राज ठाकरे के पीठ पर कांग्रेस के हाथ !

महाराष्ट्र में राज ठाकरे के सेना बेकाबू भS रहल अछि ... आओर अखन तक राज ठाकरे के गिरफ्तारी नहिं भेला सं लोकक मन में ई सवाल घुमड़ि रहल अछि कि कहीं राज ठाकरे के पीठ पर कांग्रेसक हाथ त नहिं अछि. राजनीति में किछुओ संभव अछि. अपन गोटी फिट बैठाबय के लेल कांग्रेस ई खेल खेल सकैत अछि. आखिर कांग्रेस सरकार के कि प्रॉब्लम छै जे ओ राज ठाकरे के गिरफ्तारी सं बचय चाहय छै ? आखिर हिंसा... तोड़फोड़ पर ऊतारु महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के कार्यकर्ता के खिलाफ कार्यवाई किएक नहिं भS रहल अछि ? एकटा बात पर सेहो ध्यान देबय पड़त जे राज ठाकरे अपन बयान में मुख्यमंत्री विलासराव देशमुख के प्रशंसा कएलथिन्ह अ. देशमुख जी के परेशानी इहो छैनि जे शरद पवार के पार्टी एनसीपी नहिं चाहय छै जे राज ठाकरे के खिलाफ कोनो कार्रवाई होय. शरद पवार के जानय छिअई कि नहिं ? अपन केन्द्रीय कृषि मंत्री छथिन्ह. मुदा हिनकर बेसि समय अपन मंत्रालय सं बेसि क्रिकेट में बितय छैनि. आखिर ई भारतीय क्रिकेट कंट्रोल बोर्ड... बीसीसीआई के अध्यक्ष जे छथिन्ह. देश में किसान आत्महत्या करैत रहौ... हिनका कोनो फर्क नहिं पड़ैत छनि... देश में करोड़ों रुपया के सड़ल... महंगा गेंहु दोसर देश सं मंगाल जाय... मुदा देश के किसान के सही दाम नहिं मिलबाक चाही. ईहे हिनकर फंडा छैनि. किसान भाई के हालत खराब छनि मुदा हिनका किछ देखाय-सुनाय नहिं पड़ैत छनि. राज ठाकरे मामला पर हिनकर पार्टी नहिं चाहय छथिन्ह कि हुनका खिलाफ एकोटा कदम उठावल जाय.
आखिर ई सभ किएक भS रहल छै ? कांग्रेस- एनसीपी के यूपीए सरकार किएक नहिं चाहय छै जे अगला किछ दिन तक राज ठाकरे के खिलाफ कार्रवाई होय ? आखिर किएक मुम्बई के बाद दोसरो इलाका में उत्तर भारतीय पर हमला होय के बादों सरकार सुतल छै ? मुम्बई के बाद आब पुणे... नासिक... कल्याण जैसन कइटा इलाका में उत्तर भारतीय के संग मारि पीट कएल गेल अ. घर सं निकालि कS सामान सभ तोड़ि देल गेल... लोकक के मारल पिटल गेल. जीवन भरि के कमाई नष्ट कs देल गेल. लोकक दोकान... झोपड़ी... टैक्सी... मोटर साइकल तोड़ि देल गेल. अपन सभ किछ छोड़ि ओ महाराष्ट्र सं भागि रहल छथिन्ह. हुनका सभ के देखय वाला कोई नहिं छैनि. बस में... ट्रेन में ... रास्ता पर लोक के रोकि के नाम... गाम पूछि मारल पीटल जा रहल अछि. मुदा केन्द्र में यूपीए सरकार के समर्थन देय वाला बिहार... यूपी... उत्तर भारत के नेता ... मंत्री सभ किछ नहिं कs रहल छैथि. कि हिनकरो नींद तखने खुलत जखन सभ गोटे महाराष्ट्र छोड़ि... अपन रोजी रोटी छोड़ि वापस अपन गाम चलि जयताह. आखिर उत्तर भारतीय नेता सभ एनसीपी... कांग्रेस पर दबाव किएक नहिं बना रहल छथिन्ह. हुनकर कि मजबूरी छैनि ? कि एहि बल पर ओ बिहार... यूपी में राज करय चाहय छथिन्ह ? हम यूपी- बिहार के बात एहि लेल कs रहल छी कि ओहि ठाम सं भागल वाला बेसि लोक बिहार- यूपी के छथिन्ह. हिनकर विपत्ति में सुधि नहिं लेबय वाला नेता सभ कोन मुंह लsक हिनका पास जयथिन्ह. सवाल फेर ओहि उठय छै जे आखिर यूपीए सरकार के परेशानी कि छै ?
असल में महाराष्ट्र में कांग्रेस के सरकार अपना बल पर नहिं बनल छै. सरकार के एनसीपी के समर्थन छै. महाराष्ट्र में तीनटा पार्टी के मजबूत आधार छै. कांग्रेस...शिवसेना आओर एनसीपी. शिवसेना में आब दु फाड़ भ गेल छै. बाल ठाकरे के शिवसेना आओर राज ठाकरे के महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना. मुदा महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के पकड़ नहिं के बराबर छै. जखन कि बाल ठाकरे के शिवसेना के अखनो मजबूत पकड़ छै. कांग्रेस चाहय छै जे उत्तर भारतीय... मी मुम्बईकर के मु्द्दा उठाकय राज ठाकरे शिवसेना के वोट में सेंध लगाबय. अगर राज ठाकरे ई मुद्दा के गरमाबय में सफल रहय छथिन्ह तs ओ शिवसेना के सीट काटय में सफल रहता जकर नुकसान बाल ठाकरे के होयतन्हि आ फायदा कांग्रेस के. जतेक सीट के नुकसान शिवसेना के होयत ओतेक फायदा कांग्रेस के मिलत. उत्तर भारतीय के मुद्दा पर दुनु पार्टी... शिवसेना आओर महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना लड़ैत रहता मुदा फायदा कांग्रेस के होयत. एहि लेल कांग्रेस चाहय छै जे जखन तक ई मामला पूरा तरहे गरमा नहिं जाय राज ठाकरे के गिरफ्तारी नहिं होय. अखन गिरफ्तारी कएला सं ओ फायदा नहिं मिलत जे दु चारि दिन बाद हिंसा... तोड़फोड़ बढ़ला के बाद होयला सं होयत. तखन राज ठाकरे पूरा तरहे मराठी लोक के बीच हीरो बनि गेल रहता. मराठी सभके लगतन्हि जे राज ठाकरे एकटा नेता छैन्हि जे हुनकर हित के बात करय छथिन्ह . आ ओ हुनकर गिरफ्तारी के विरोध में सड़क पर उतरि जयताह. सड़क पर उतरला का बाद शिवसेना के समर्थन करय वाला लोक महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के पक्ष में आबि जयताह. एना होयला पर कांग्रेस के मुराद पूरा होयत. शिवसेना के वोट जे एक ठाम जाइत छल ओ दु ठाम भs जायत. कांग्रेस के सीट किछ बढ़ि जाएत. यानी खेल पूरा राजनीति सs जुड़ल अछि. एहि लेल उत्तर भारतीय लोक के सेहो किछ दिन संभल कs रहय के जरूरत छनि. प्रतिक्रिया जताबय के जरूरत नहिं छनि. संयम बनाकय रहुं. पार्टी...नेता को बहकाबय में नहिं आउ. गाम- घर सं बाहर कमाबय लेल आएल छी. मारि...पीट... तोड़ फोड़ में शामिल नहिं होउ. काज सं काज राखु.

10 Feb, 2008

मिथिला... मैथिली लेल लिखु

मैथिली के अस्तित्व संकट में अछि. कि एकर आभास अहां के अछि? एकटा रिपोर्ट में कहल गेल जे मैथिलीभोजपुरी भाषा किछ दिन बाद खत्म जाएत. एहि रिपोर्ट में किछ गलत नहिं छै. कोनो स्कूल में प्राथमिक स्तरपर मैथिली में पढ़ाई नहिं रहल अछि. विद्यार्थी सभ केना मैथिली जानथिन्ह. आब दरभंगा-मधुबनी में अहां केकई ठाम मैथिली सुनय लेल नहिं मिलत. बिहार सं बाहर रहय वाला लोक आब मैथिली बाजय सेहो छोड़ि रहलछथिन्ह. आई काल्हि के रोजगारपरक दुनिया में सभ किछ रोजगार सं जुड़ल छै. आओर जखन मैथिली में रोजगारनहिं मिलत लोक एकरा बोलत किया ? एहि सभ के देखैत अहां सभ मैथिली के बढ़ावा देबय के लेल... एकरअस्तित्व बरकरार राखय के लेल आगां आऊ. मैथिली में हमर एकटा ब्लॉग अछि हेलो मिथिला. हेलो मिथिला केदुनिया भर में मैथिल लोकक अपार सहयोग मिलि रहल अछि. हेलो मिथिला दुनिया भर में मैथिली के सभसलोकप्रिय ब्लॉग अछि. मैथिली के प्रचार प्रसार में एकर मार्फत नीक काज रहल अछि. हेलो मिथिला के बादकइटा आओर लोक मैथिली में काज करय लेल आगां अएला . हुनकर स्वागत छन्हि. हम चाहब जे मैथिली केऊपर आयल संकट के दूर करय लेल अहां सभ मिल S प्रयास करु. मिथिला के प्रत्येक गाम-घर के लोक सं हमरआग्रह अई जे अहां आगां आऊ. हेलो मिथिला पर अपन विचार राखु. आस पास के घटना... पावनि-त्योहार... सांस्कृतिक कार्यक्रम... विद्यापति समारोह... गीत नाद... मेला किछ रहल अछि ओकरा बारे में लिखु. मुदाकोशिश करु बेसि सं बेसि खबर मिथिलाक विकास के होय... सकारात्मक खबर के होय. ककरो पर आरोपप्रत्यारोप नहिं होय. अपना सभ के लोकक आपसी लड़ाई-झगड़ा में नहिं पड़य के अछि. मिथिला... मैथिली के आगांबढाबय के बात करय के अछि. अहि लेल अहां सभ हमरा लिखु हम ओकरा अहांक नाम के संग हेलो मिथिला मेंछापब. अहां डिजिटल कैमरा या मोबाइल फोन सं लेल गेल फोटो सेहो भेज सकय छी. फोटो मेल सं अटैच भेजसकय छी. हम ओकरा सेहो एहि ब्लॉग पर जगह देब. अहांक लेख... विचार... टिप्पणी नाम फोटो के संग छापब. अहां अपन पूरा नाम... गाम... पता... फोटो हमरा मेल S दिअ. अहां ऑर्कुट पर हमर फ्रेंड्सलिस्ट में शामिल सकय छी. देर कोन बात के आइए सं काज शुरू करु. अपन- अपन लेख... रिपोर्ट... विचार... सुझाव भेजनाय शुरूकरु. अगर कोनो दिक्कत होय हम बीच-बीच में अहां के समाचार लिखय के जे बुनियादी बात ध्यान में रखय केछै बतायल करब. अहां के कोनो बात मन में घुमड़ि रहल अछि S बेझिझक लिखु कोनो संकोच नहिं करु.

9 Feb, 2008

महाकवि के सम्मान

हेलो मिथिला ब्लॉग शुरू कएला के बाद सैकड़ों लोकक फोन... ईमेल... राय... सुझाव... टिप्पणी मिलल. सभ लोक अपन अपन विचार रखलाह. हुनका सभ के पत्र... फोन सं उत्साह आओर बढ़ल. बीच-बीच में काम काज सं समय निकालि कय एहि ठाम लेख लिखैत रहलऊ. अहां सभ के उत्साह बढयला सं खुशी सेहो भेल. मुदा सभसं बेसि खुशी एकटा मैथिल प्रेमी पाठक श्री ऋतेश पाठक जीक पत्र मिलला पर भेल. ऋतेशजी अपन पत्र में एकटा खबर सेहो भेजने छथिन्ह. आओर ई खबर एहन अछि जे हमरा सभ मैथिल के लेल बड़का खबर अछि. अहां सभ सं सेहो हमर आग्रह अछि जे... अहां सभ सेहो मिथिला सं संबंधित नीक खबर..विकास परक खबर हमरा पास भेजबाक कष्ट करू. हम ओहि खबर के एहि में देबय के पूरा कोशिश करब अहांक नाम के संग. ऋतेश जीक भेजल खबर एहि तरह सं अछि.
बाजि गेल रण डंक, डंक ललकारि रह अछि. गरजि-गरजि कय, जन-जन के परचारि रह अछि. मैथिली में देश भक्ति सं भरल एहने रचना के लेल महाकवि आरसी प्रसाद सिंह के मिथिला रत्‍‌न क उपाधि सं सम्मानित कएल गेल अ. अंतराष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन दिल्ली के तरफ सं कोलकाता में भेल चारिम अधिवेशन में एहि सम्मान सं अलंकृत कएल गेल. मरणोपरांत मिलल एहि सम्मान सं महाकवि के प्रति आस्था रखय वाला साहित्यकार... शिक्षाविद... बुद्धिजीवी सभ खुश छथिन्ह . महाकवि आरसी प्रसाद सिंह हिन्दी आओर मैथिली में कविता... प्रबंध काव्य... गीत... कहानी... आत्मकथा... बाल साहित्य... एकांकी... संस्मरण आदि के सैकड़ों किताब लिखने छथिन्ह. महाकवि लिखित मैथिली रचना में माटिक दीप... पूजाक फूल... सूर्यमुखी... मेघदूत समेत दर्जनों किताब प्रकाशित अछि. मैथिलीक एहि रचना में महाकवि अपन मातृभाषा के प्रति उपेक्षा के भ‌र्त्सना कएने छथिन्ह.

6 Feb, 2008

अबे ओ बिहारी...

मुम्बई में महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना के समर्थक उत्तर भारतक लोक सभ के खिलाफ अभियान चला रहल छथिन्ह. महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना राज ठाकरे के पार्टी के नाम छै. राज ठाकरे के कहनाय छैनि जे उत्तर भारतक लोक के मुम्बई आबय सं स्थानीय लोक के रोजगार नहिं मिलि रहल छै आओर ओ बेरोजगार भटकि रहल छथिन्ह. ओना हुनकर उत्तर भारतक मतलब यूपी - बिहार सं छैनि. यूपी - बिहारों में खास बिहार सं. पंजाब ... हरिय़ाणा... राजस्थान... दिल्ली सं नहिं. ई सोचय वाला बात छै जे आखिर बिहार में कोन बात छै जे दिल्ली... असम... बंगाल या मुम्बई के लोक सभ बिहारी सं एतेक डरय छथिन्ह. आओर एहि डरक कारणे दिल्ली... पंजाब... हरियाणा... मुम्बई के लोक डरि कय बिहारी कहय छथिन्ह... भइया कहि बुलाबय छथिन्ह. अबे ओ बिहारी कहि अपमान करय के कोशिश करय छथिन्ह. ओ त बिहारी कनि शांत प्रकृति के लोक छथिन्ह ताहि कारणे बात के अनसुना कय दैत छथिन्ह. कहय छथिन्ह अपन काम काज करब कि एहि सभ में फंसल रहब. अहि कारण दिल्ली मुम्बई वाला के बात पर ध्याने नहिं दैत छथिन्ह.
आखिर बिहार के लोक में एहन कोनो बात त जरूर छै जे सभ गोटे बिहार के लोक स डरय छथिन्ह. ई हल्ला बंगाली... मराठी... मलयालयी... पंजाबी...मद्रासी... कश्मीरी के लS क किएक नहिं अछि. जबकि एतय के लोक सेहो देश के हर प्रदेश... राज्य में बिखरल छथिन्ह. देश के हर हिस्सा में काम-काज करय छथिन्ह. आखिर ओ बिहारक लोक के प्रगति... उन्नति... कमाय के किएक नहिं पचा पाबय छथिन्ह. अगर बिहार के लोक सभ क्षेत्र में आगां छथिन्ह त कि एहि में बिहार के दोष? एहि में बिहार के लोकक कोनो दोष नहिं छनि. ओ जतय जाय छथिन्ह अपन मेहनत... काबिलियत के बल पर सभके पाछां छोड़ि दैत छथिन्ह. चाहे वो कोनो काम - काज होय आ पढ़ाई लिखाय आ नौकरी. बिहारी जतय जाय छथिन्ह अपन परचम लहरा दैत छथिन्ह.
आब एहि में बिहार के लोक के कोन दोष छै जे दिल्ली के ज्यादातर ऑटो... रिक्शा... टैक्सी... दोकानदार... सब्जी वाला... सरकारी दफ्तर में काज करय वाला लिपिक... बाबू... अफसर बिहार के छथिन्ह. कि एहि में बिहार के कोनो गलति छै जे दिल्ली के स्कूल कॉलेज में सभसं ज्यादा विद्यार्थी बिहार सं जुड़ल छथिन्ह. बिहारक लोक में ई खूबी छैनि जे ओ जे काज करय छथिन्ह... पूरा मन लगाक करय छथिन्ह. अपन सभ काज में सौ प्रतिशत दैत छथिन्ह. आ जे मेहनत करत देर सबेर ओकरा ओकर फल त मिलबे करतय. कतेक दिन रोकि कS रखबय. सभ दिन पक्षपात कय... बिहारी कहि... पाछां नहिं धकेल सकय छी न ?
देश के सभ लोक एक जकां छी... कोनो लोक में कोनो फर्क नहिं छैनि... हम लोक के बिहारी... पंजाबी... मराठी कहि नहिं बांटि सकय छी. सभ भारतक नागरिक छथिन्ह. सभ एकटा परिवारक हिस्सा छथिन्ह. आखिर भारतक पहचान छै अनेकता में एकता. दिल्ली... पंजाब... हरियाणा... बंगाल आ मंम्बई के विकास में बिहारक लोक के बड़का योगदान छै. चाहे ओ इंफ्रास्ट्रक्चर सं जुड़ल होय... कृषि सं... या प्रशासन सं. चाहे ओ डॉक्टर होय... इंजीनियर होय... आईटी प्रोफेशनल होय या आईएएस आ आईपीएस. हर क्षेत्र में बिहारी अपन सशक्त मौजूदगी दर्ज करयने छथिन्ह त अपन काबिलियत के बल पर. आ एहि में ओहिठाम के स्थानीय लोक काज नहिं करय चाहय छथिन्ह या काज करय में सक्षम नहिं छथिन्ह त एहि में बिहारक लोक के कोन दोष ? स्थानीय लोक डॉक्टर... इंजीनियर... आईटी प्रोफेशनल... आईएएस... आईपीएस नहिं बनि पाबय छथिन्ह त कि एकर दोष बिहार के लोक पर देल जाउ. अगर ओ शून्य सं शिखर पर पहुंचल छथिन्ह त अहां हुनका ओतय सं गिराबय के नहिं सोचिऔ. हुनकर सहभागी बनु... हुनका जकां अहुं ओहिठाम मेहनत के बल पर पहुंचय के कोशिश करु. आखिर हम सभ त एके छी नहिं. त नीचा कि आ ऊपर कि सभ ठाम मिलि जुलि कS रहुं.