मैथिली भाषा के अस्तित्व संकट में अछि. मैथिली पर विलुप्त होय के खतरा मंडरा रहल अछि. केन्द्र सरकार के भाषायी अल्पसंख्य्क आयोग के अनुसार मैथिली... भोजपुरी... पाली... मगही... बज्जिका आओर अंगिका भाषाक स्थिति नीक नहिं अछि. ई बड़ गंभीर बात अछि. एहि पर गंभीरता सं विचार करय के जरूरत अछि. भने हम दिल्ली में मैथिली अकादमी बनय के घोषणा होबय सं खुश होय. मुदा जखन मैथिली आ भोजपुरी भाषा नहिं रहत त अकादमी बनि क कि होयत. भने हम सभ गोटे ई कहि जे किछ नहिं होयत मैथिली के...कोनो संकट नहिं छै... मैथिली कहियो खत्म नहिं होयत... मुदा एकरा हल्का सं नहिं लेल जा सकैत अछि.
अहां खुद गौर कS सकय छी जे कोनो भाषा के विकास तखने होय छै जखन बच्चा सभ के प्रारंभिक शिक्षा अपन भाषा में...मातृभाषा में देल जाई छै. मुदा कि मिथिला के कोनो स्कूल में मैथिली में पढ़ाई लिखाई होय छै???. बाजार में कोनो नीक अखबार... पत्रिका मैथिली में लोक के पढ़य के लेल अछि ? कि मिथिला भर में कोनो दोकान के बोर्ड... कोनो दफ्तर... फिल्म... प्रचार...विज्ञापन...घरक पता मैथिली में छै ? दरभंगा... मधुबनी... सहरसा... पूर्णिया... सीतामढ़ी... समस्तीपुर... मधेपुरा... कतहुं अहां के एकटा चीज मैथिली में लिखल मिलत? नहिं. एक दु टा अपवाद मिलत वो भगवान भरोसे. राजनीति चमकनाय अलग बात छै... विकासक बात करनाय अलग बात छै... आओर लोक में जागरूकता लनाय दोसर. आब त एहन स्थिति आबि गेल अ जे शहर के कि कहल जाय... गाम घर के धिआ- पुता सेहो मैथिली में नहिं बोलय चाहय छथिन्ह. आब गाम-गाम में इंग्लिश स्कूल खुलि गेल अ. जेहि में मैथिली त छोडुं... हिन्दी में बोलय पर विद्यार्थी के डांट खाय पड़य छै. मैथिली नहिं कोनो सरकारी स्कूल में पढ़ायल जाय अ नहिं कोनो पब्लिक स्कूल में... त फेर लोक के मैथिली लिखS पढ़S आयत कोना... ई बात सोचलिअई अ कि नहिं ?
सिर्फ राजनीति करला सं नहि होयत. अखन दिल्ली में अकादमी बनय के घोषणा भेल नहिं कि कई ठाम सं ओहि पर कब्जा करय के खबर आबय लागल. ओ अध्यक्ष बनता त ओ... सभ के अपन फिक्र छैनि. मैथिली बाचत तखन न अहांक राजनीति बाचत. एकरा लेल मजबूत संकल्प शक्ति के जरूरत अछि. सभ मिथिलावासी के एकर संकल्प लेबय पड़त जे हमरा चाहे संघर्ष करय पड़य... हर स्कूल में पहिल क्लास सं मैथिली में पढ़ाय होबाक चाहि. हर दोकान... हर दफ्तरक... बस स्टैंड...रेलवे स्टेशनक बोर्ड... हर चीज मैथिली में होबाक चाही. शादी विवाहक...मुंडन के कार्ड मैथिली में छपाउल जायत... अपन मिथिला के जतेक लोक बिहार सं बाहर रहय छथिन्ह हुनकर नुनु...बुच्ची मैथिली में बोलय तक नहिं छथिन्ह. हमरा मिथिला ते कईटा एहन लोक मिलला जे मैथिली त समझय छथिन्ह मुदा बोलि नहिं पाबय छथिन्ह. ऑर्कुट में हमर करीब सय टा दोस्त मिथिला के छथिन्ह मुदा दु चारि टा के छोड़ि सभ लोक मैथिली में स्क्रैप करला पर साफ कहय छथिन्ह जे हम मिथिला स जरूर छी मुदा मैथिली नहिं आबय अ. आखिर ओ मैथिली जानथिन्ह कोना... नहिं कोनो स्कूल में पढ़ाई होय छै. नहिं बाजार में कोनो किताब मिलय छै. नहिं कोनो टीवी चैनल नहिं कोनो अखबार. मैथिली के नाम पर कोनो नौकरी नहिं. फेर एकरा पढ़ि क करब कि? अहां कहब जे मातृभाषा नौकरी के लेल नहिं होय छै ई अस्मिता सं .. संस्कृति सं जुड़ल होय छै. मुदा कतेक दिन तक. कमाय...खाय के लेल हिन्दी... अंग्रेजी के शरण में जाय पड़त.
भाषा एक तरहे संस्कृति के पहचान होय छै. एहि लेल मातृभाषा के विकास जरूरी छै. एकरा बचाबय लेल लोक के आगा आबय पड़त. मैथिली बचल रहत त अपन मिथिला बचल रहत...जखन मैथिली नहिं रहत त मिथिला के बात कोना होयत. ई जरूर छै जे आई के ग्लोबलाइजेशन के दौर में सभसं बेसि खतरा लोक भाषा के विलुप्त होय के रहय छै. पहचान के खतरा खड़ा भ जाइ छै. सभ किछ अर्थ...पाई.. डॉलर सं जुड़ि गेल छै. मुदा अखनो देर नहिं भेल अ. सभ गोटे अगर अपन सभ मतभेद बिसरा के एक साथ आबि जाउ त मैथिली एक बेर फेर सं अपन शिखर पर होयत. मैथिली...मिथिला के नाम पर अपन -अपन राजनीति चलाबय वाला लोक सभ एक मंच पर आबि एकरा बचयबाक कोशिश में लागु.
31 Jan, 2008
संकट में मैथिली
29 Jan, 2008
दऱभंगा में बनत शॉपिंग मॉल
दरभंगा में जे मॉल बनय के खबर छै सेहो काफी फैल जगह में बनि रहल अछि चारि. ई मॉल पांच मंजिसा बनत जहि में मंजिल में दोकान रहत आओर सभस ऊपरका पर दुटा सिनेमा हॉल. एक मायने में ई मिथिलाक पहिलमॉल होयत. ई दरभंगा में दिल्ली रोड के पास बनत. खबर ईहो अछि जे ई मॉल फिल्मकार प्रकाश झा बना रहलछथिन्ह. हिनकर बनायल फिल्म दामुल... परिणति... मृत्युदंड... अपहरण काफी चर्चित रहल अछि. अगर एहि ठाम काज ठीकठाक रहल त एकटा मॉल झंझारपुर में सेहो बनायल जायत.
26 Jan, 2008
कृषि कार्यशाला
दरभंगा में औषधीय, सुगंधीय पौधा... फूलक खेती... मखाना और मछली पालन पर एकटा कार्यशाला भेल. एकर आयोजन नाबार्ड के सहयोग सं मिथिलांचल इंडस्ट्रियल चेंबर ऑफ कॉमर्स कएलक. कार्यशाला में किसान सभ सं कहल गेल जे पारम्परिक खेती के संग- संग वैज्ञानिक खेती पर सेहो जोर देल जाय. किसान सभ के कहल गेल जे अगर ओ जेट्रोफा... मखाना के खेती वैज्ञानिक तरीका सं करताह त हुनका अखन जतेक कमाई होई छन्हि... ओहि सं चारि-पांच गुना बेसि कमाई भS सकय छनि. एहि कार्यशाला में किसान सभ के खेती सं कमाई बढाबय के तरीका सेहो बतायल गेल. ओना पहिला लोक सभ पारम्परिक रूप सं जे खेती कय अएलाह अ तकरे करनाय नीक बुझय छथिन्ह मुदा नवका लोक सभ... युवा किसान सभ में वैज्ञानिक तरीका सं खेती करय के जागरूकता आएल अ. ओ रेडियो... टीवी... अखबार सं जानकारी लय खेती कय पैदावार बढ़ा रहल छथिन्ह. एहि के लेल ओ कृषि वैज्ञानिक सभ सं सेहो मिलय छथिन्ह. ओना एहि कार्यशाला में किसान सभ के एकटा सुझाव ई देल गेल कि अगर ओ अपन आस पास के किसान सभ के संग मिलजुलि के खेती करताह ... ग्रुप बनाSक खेती करताह त पैदावार के बेचय में ओतेक दिक्कत नहिं आयत. तखन व्यापारी सामान खरीदय लेल खुद हुनका पास अयताह. आ ओ अपन दाम पर हुनका सामान बेचि सकय छथिन्ह.
कस्तूरबा गांधी विद्यालय खुलत
दरभंगा सहित बिहार के 14 शहर में कस्तूरबा गांधी आवासीय विद्यालय खुलत. एकर घोषणा मानव संसाधन विकास राज्यमंत्री मो अली अशरफ फातमी कएलाह. ई घोषणा ओ दरभंगा में राष्ट्रीय मुक्त विद्यालय शिक्षा संस्थान ( NIOS ) के क्षेत्रीय उप केन्द्र आओर जखन चाहु परीक्षा दिउ केन्द्र के उद्घाटन के समय कएलाह. मंत्री जी सेहो कहलथिन्ह जे देश भर में हाई स्कूल के संख्या कम होई के कारण एनआईओएस बेहतर भूमिका निभा अछि. बिहार में अखन एकर 328 सेंटर अछि.. दु साल के भीतर एकर संख्या बढ़ा कय पांत सय कए देल जायत. फातमी जी सेहो कहलथिन्ह जे जेहि शहर में अल्पसंख्यक आओर अनुसूचित जनजातिक जनसंख्या बीस प्रतिशत सं बेसि होयत ओहि ठाम कस्तूरबा गांधी आवासीय विद्यालय खोलल जायत. केंद्रीय राज्य मंत्री के सेहो कहनाय छलन्हि जे ओ योजना आयोग सं 500 सं बेसि नवोदय विद्यालय खोलय के प्रस्ताव भेजने छथिन्ह. फातमी जी बिहार खासक मिथिला में शिक्षा के क्षेत्र में विकास के लेल नीक काज कS रहल छथिन्ह. एहि समारोह में केन्द्रीय भारी उद्योग राज्य मंत्री कांति सिंह... एनआईओएस के अध्यक्ष एनसी पंत सेहो मौजूद छलाह.
कोसी महोत्सव
एहि बेर सहरसा में कोसी महोत्सव के आयोजन 9 आओर 10 फरवरी के भ रहल अछि. एहि महोत्सव सं लोक के एहि ठामक संस्कृति आओर परम्परा जानय के मौका मिलैत अछि. एहि महोत्सव में मिथिलांचल के कोना -कोना के लोक त अबिते छथिन्ह. देश-विदेश के हजारों लोक सेहो आबय छथिन्ह. ई समारोह बड़ धूमधाम सं... बड़का स्तर पर मनायल जाइत अछि. समारोह के सफल बनाबय लेल अखने सं जोर-शोर सं तैयारी शुरू भ गेल अछि. कइटा समिति बनाबल गेल अछि. काजक बंटवारा भ गेल अछि. एहि में मिथिले टा के नहिं देश विदेशक कलाकार सभ सेहो शामिल होई छथिन्ह आओर अपन फन सं लोकक मनोरंजन करय छथिन्ह. गीत-संगीत आओर नृत्य के कार्यक्रम देखय लेल लोकक भारी भीड़ जुटैत अछि. एहि ठाम होय वाला कार्यक्रम लोक के वर्षों याद रहय छनि. महोत्सव में राष्ट्रीय स्तर के कलाकार के बुलावय लेल एहि बेर सरकार सं अतिरिक्त पाई सेहो मांगल गेल अ. महोत्सवक आयोजन नीक सं होय एहि लेल जिला के तमाम बड़का अफसर सभ दिन राति एक कय काज में लागल छथिन्ह. पुलिस प्रशासन अखने सं मुस्तैद भ गेलाह अ.
महोत्सव के दौरान कई तरहक प्रतियोगिता सभ सेहो होयत अछि. ओहि में पुरुषक दौड़... महिला सभक लेल धीमी साइकिल रेस... कबड्डी मैच... खो-खो... कुश्ती शामिल अछि. महोत्सव के दौरान एकटा स्मारिका सेहो निकालल जायत अछि. ई महोत्सव हर साल सहरसा में होई छै. आ एहि महोत्सव के जान अछि एहि ठाम होय वाला नौका दौड़ आओर बैलगाड़ी दौड़... लोक सभ एहि में बड़ उत्साह सं भाग लय छथिन्ह. आब त लोक सभ के उत्सुकता सं कोसी महोत्सव के इंतजार अछि.
22 Jan, 2008
आब खरीदु शेयर...
सोमवार के एतिहासिक गिरावट के बाद मंगल के सेहो बाजार में भारी गिरावट जारी रहल. बाजार के बेसि गिरला के कारण सर्किट सेहो लगाबय पड़ल. एहि में ई होय छै जे बाजार अगर एक बेर में 10 फीसदी सं ज्यादा गिरय छै त कारोबार एक घंटा के लेल रोइक देल जाय छै. दिन भर सेंसेक्स... निफ्टी में भारी उतार चढ़ाव देखल गेल. मंगल के दिन लाखों लोक के लेल अमंगलकारी साबित भेल. कतेक लोक कंगाल भ गेलाह... जिंदगी भर के लाखों रुपया के जमा पूंजी स्वाह भ गेलनि. चारु कात हाहाकार मचि गेल. लोक सड़क पर उतरि गेल. बीजेपी के नेता वित्त मंत्री सं इस्तीफा देबय के मांग करय लगलाह. पार्टी के कहनाय छल जे पिछला दिन जहि तरह सं बाजार तेजी सं बढ़ल अ ओहि सं बाजार पर सट्टेबाज के कब्जा भ गेल अ. आओर सेबी आई जे ई जांच के आदेश देलक अ ओ ओकरा पहिने देबाक चाहि छल जखन बाजार ऊपर गेल छल.
मुदा प्रधानमंत्री आओर वित्त मंत्री दुनु गोटे लोक के भरोसा देलथिन्ह जे देश के अर्थ व्यवस्था काफी मजबूत अछि आओर उतार चढाव बाजार के अंग अछि. अगर बाजार उपर जा रहल अछि त कहिओ नीचा सेहो आ सकय अछि. एहि स्थिति में लोक के संयम सं काज लेबाक चाही. समझदारी दिखयबाक चाही. ई नहिं कि भीड़ के भेड़चाल के हिस्सा बनि गेलहुं. भीड़ जिम्हर भागल ओम्हर भागय लगलहुं. धैर्य सं काज लिअ. सभ जे काज करय छथिन्ह से नहिं करु. अहां के ई सोचि ते चलय पड़त जे बाजार में अगर फायदा छै त नुकसान सेहो छै. हर चीज के दुनु पक्ष होय छै.
अहां के इहो सोचि ते चलय पड़त जे बाजार में जे मजबूत कंपनी छै... आई खूब फायदा द रहल छै ओकरो शेयर गिर सकय छै... ओ सेहो अहां के तबाह कय सकय अ. एहि लेल सावधानी जरूरी छै. एम्हर जे महीना दस दिन... साल में बाजार में तेजी आयल अ... शेयर बाजार में हरियाली दिखल अ. ओकरा देखैत लोक सभ ज्यादा सं ज्यादा पाई शेयर बाजार में लगाबय लगलाह अ. चाय- पान दोकान सं लs क दलान तक... सभ तरफ शेयर बाजार आओर एहि सं आबय वाला पैसा के चर्चा होय लागल छल. जे शेयर बाजार में पाई नहिं लगयने छलाह हुनका लगैत छलैन्हि जे एहि दुनिया में सभ सं बुड़बक ओहि छथि.... जे शेयर में एकोटा पाई नहिं लगौने छथि. ई खतरनाक स्थिति अछि. जखन चाय पान या बूट-पालिस करय वाला अहां के पाई लगाबय के सलाह देबय लगय स संभलि जाउ. कहनाय छै न नीम हकीम खतरे जान.
अमीर बनय के सपना देखय छी नीक अछि... सभ के सपना देखबाक चाहि... आखिर देखब नहिं त पूरा केना करब. मुदा शेयर बाजार के मार्फत रातों रात अमीर बनय के सपना देखनाक बुड़बकय होयत. ई जुआ नहिं अछि जे पासां फेंकलहु आ जीतला पर राज जीत गेलहुं. आ हारला पर सभस प्रिय चीज के सेहो हारी गेलहुं. समझदारी सं काज लिअ. कखनो उम्मीद सं बेसि लाभ के उम्मीद नहिं करु. एकरा धंधे रहय दिअउ... एकरा सट्टा... जुआ में तब्दील नहिं करु. कतेक लोक कर्ज ल Sक... सभ किछ बेचकय शेयर बाजार में पैसा लगौने छथि आई हुनकर हाल जाSक सुनिऔ. माथ पर हाथ देने छथिन्ह.
आब जे भेल से भेल... संभलि क कदम उठाउ. एम्हर ओम्हर सं मिलय वाला के सलाह पर काज नहिं करु. जीवन भर के कमाई संभलि कय निवेश में लगाउ. म्यूचुअल फंड में पाई लगानाय सही होय छै मुदा म्यूचुअल फंड सेहो बाजार सं जुड़ल छै... ताहि लेल जोखिम बनल रहय छै... बाजार के गिरय के असर एहि पर सेहो पड़य छै. एकरा सं बचय के एकेटा उपाय अछि. हर महीने एकटा फिक्स रकम जमा कएल करु... एकरा अहां एसआईपी या सिस्टमेटिक इंवेस्टमेंट प्लान सेहो कहि सकय छी. अहां के एकटा अनुशासन बना के चलय पड़त. ई नहिं जे एके बेर में सभ पाइ बाजार में लगा देलौं. धीरे-धीरे... एकटा रकम तय क लिअ ओकरा हर महीने दु- चारि टा नीक म्यूचुअल फंड में लगा दिअ. एसआईपी में ई फायदा होय छै जे अगर बाजार नीचा रहल त अहां के शेयर ज्यादा मिलत आ बाजार उपर रहल त शेयर के यूनिट कम मिलत... ई सारा कारोबार यूनिट में होय छै. त बाजार के गिरला सं एहि पर बेसि असर नहिं पड़य छै. अगर नीक फंड छै त नीक फायदा देत. मुदा बेसि लोभ नहिं करु. सोना के हिरण वाला कहानी सुनने छी कि नहिं. त रियलिस्टिक बनल रहुं. उड़य के कोशिश नहिं करु नहिं त धम्म स गिरि पड़ब.
ओना एहि गिरावट सं अहां फायदा सेहो उठा सकय छी. अहां अगर बाजार के जानकार छी... किछ किछ नजर रखय छी त अहां देखि सकय छी जे... ई हफ्ता जे बाजार में गिरावट आयल अ तं ओहन शेयर सेहो गिरल अ जकरा अहां खरीदय त चाहय छलहुं मुदा दाम बेसि होबाक कारणे नहिं खरीदय छलहुं. अखन मजबूत फंडामेंटल वाला... मजबूत कंपनी के शेयर सेहो कम दाम पर मिलि रहल अछि. अखन अहां ओकरा कम दाम पर खरीद कS फायदा उठा सकय छी. बाजार जखन बढ़त त ओकरा में सुधार आयत.... आओर तखन अहां अखन भेल नुकसान के भरपाई कय सकय छी या फायदा उठा सकय छी. मुदा जेना कहबाक छै एकय टोकरी में सारा अंडा नहिं ऱखबाक चाही... तहिना एकय शेयर में सभ पाई नहिं लगाउ. दु- तीन टा नीक शेयर देख पाई लगाउ. बाजार में त उतार चढाब लागल रहय छै. मुदा अहि में जे पाई कमा लैत अछि सेहे छथि असल खिलाड़ी आओर असल खिलाड़ी बनय लेल अहां के नियमित रुप सं निवेश करय के आदत बनाबय पड़त. नीक नीक दु चारि टा शेयर के चुनाव करय पड़त. ज्यादा समय तक पाई लगाबय पड़त यानी अहां के दीर्घ अवधि के लेल पाई लगाबय पड़त. समय समय पर ई देखय पड़त जे ओ शेयर केहन रिजल्ट द रहल अछि. ओहि में बनल रहनाय नीक रहत की नहिं. आओर सभस महत्वपूर्ण बात ई कि किछ पाई दोसरो ठाम लगाउ... शेयर बाजार सं हटि कय. आकस्मिक फंड के रुप में ओ फिक्सड डिपोजिट... बैंक... इंश्योरेंस... सोना... जमीन जायदाद किछ भ सकय अ. त जे भ गेल ओकरा बिसरि आगां देखु आओर नव उत्साह के संग बाजार में उतरि जाउ.
21 Jan, 2008
शेयर बाज़ार में एतिहासिक गिरावट
सोमवार के शेयर बाज़ार में एतिहासिक गिरावट देखल गेल. शेयर बाज़ार में एक दिन में एतेक गिरावट कहिनो नहिं भेल छल. बाजार में पैसा लगाबय वाला लोक के करीब 6 लाख करोड़ रूपया के नुकसान उठाबय पड़ल अछि. सेंसेक्स आओर निफ्टी कोनो पुरान मकान जका भरभरा कS गिर पड़ल. कइटा शेयर जकरा आमतौर पर मजबूत मानल जाय छल ओकर हालत सेहो खराब देखल गेल. ऐहन अफरातफरी मचल कि लोक हड़बड़ी में शेयर बेचय लगला. एक समय त सेंसेक्स दु हजार सं ज्यादा अंक तक गिर पड़ल... आखिर में बंद होय के समय किछ संभलल आओर 1408 अंक के गिरावट के संग17, 605 पर बंद भेल. निफ्टी सेहो करीब पांच सय अंक गिरकय बंद भेल. बाजार में चौतरफा बिकवाली देखल गेल... कोनो खास एकटा सेक्टर के शेयर में गिरावट नहिं बल्कि हर सेक्टर के शेयर में गिरावट आयल. कहल जा रहल छै जे विश्व बाजार...खासक अमेरिकी बाजार में आयल मंदी के कारण ई गिरावट आयल अ. जानकार लोकक के सेहो कहनाय छैन्हि जे विदेशी संस्थागत निवेशक के पैसा निकालय के कारण बाजार भरभरा गेल. ओना बाजार में आयल तेजी के बाद एहि तरहल करेक्शन के आशंका लोक के पहिने सं छल जे बाजार में कहिओ एहन स्थिति आबि सकय अ. मुदा एकाएक एतेक खसि पड़त... ई कोई गोटे नहिं सोचने छलाह.
गिरावट के ई सिलसिला पिछला 6 कारोबारी दिन सं जारी छै आओर एहि दौरान सेंसेक्स करीब 3222 अंक गिरल अछि. आओर लोक के करीब 11 लाख करोड़ रुपया डूबि चुकल छै. लोक कहय छथिन्ह जे मजबूत शेयर में पाई लगाबह मुदा आई मजबूत शेयर सेहो धराशायी भ गेल... चाहे वो रिलायंस... डीएलएफ... बजाज ऑटो... या एसीसी जैसन मजबूत ब्लू चिप कंपनी के शेयर किएक नहिं होय. बाजार में गिरावट सं नुकसान त भेल अ मुदा अगर अहां अपन शेयर नहिं बेच लंबा समय के लेल रखने छी त भ सकय छै बाजार जखन आगा बढ़त त फायदा होयत. ओना अहि गिरावट में सेहो किछ लोक फायदा उठाबय के लेल तैयार रहय छथि. कइटा एहन कंपनी के शेयर बहुत कम दाम पर मिलि जाय छै जकरा किछ दिन के बाद बढ़य के संभावना रहय छै... जे कंपनी के शेयर के पोटेंसियल नीक रहय छै ओहि में पाय लगाकय रखल जा सकय छै. एहि गिरावट में ओहि लोक के ज्यादा नुकसान भेल अ जे ज्यादा दिन शेयर नहिं रखय छथि. अगर अहां दीर्घ अवधि के लेल निवेश करय छी तखन शेयर बाजार अहां के लेल फायदा मंद अछि. मुदा आई खरीदलौ आओर काल्हि बेच देलहुं हुनका सोम दिन नुकसान उठावय पड़लन्हि अ. ओना आमतौर पर सुरक्षित मानय जाय वाला म्युचुअल फंड में सेहो गिरावट आयल अ मुदा जे हर महीने SIP सं नियमित रुपे पाई जमा करय छथि हुनका उपर एकर कोनो खास असर नहिं पड़तन्हि.
शेयर बाजार में हाल में आयल तेजी सं बड़ लोक एहि तरफ आकर्षित भेला अ. लाखों डीमैट अकाउंट खुलि गेल अ. एहि में रिलायंस के आईपीओ आयला सं आओर तेजी आयल अ मुदा लोक के भीड़ के जेम्हर भागैत देखलहुं ओम्हर भागय के जरूरत नहिं छैन . नवका लोक के... शेयर बाजार के कम जानकार लोक के बचि कय... संभलि कय.. पाई लगावय के जरूरत छै... जिनका पास पैसा छनि हुनका अगर किछ पाई डूबि जयतन्हि त कोई असर नहिं पड़तन्हि... मुदा अगर अहांक जीवन भरक पाई अगर एकहिं बेर में डूबि गेल त कतहु के नहिं रहब. एहि के लेल हर कोनो आदमी के सलाह पर काज नहिं करु. जे लोक कहिओ पाई नहिं लगौने अछि आ ओ अहां के सलाह द रहल अ त संभलि जाउ. एहन आदमी के सलाह पर बाजार में नहिं कूदि पड़ु जिनका खुद बाजार के गहराई के पता नहिं छनि. बाजार विश्लेषक... विशेषज्ञ के पास जाउ... एसआईपी के माध्यम सं पाई लगाउ. कनि कमे आयत मुदा सुरक्षित त रहत. कनि के लोभ में अपन पूरा पाई नहिं डूबा दिअ. पाई लगाबय सं पहिने पूरा सतर्कता बरतु.![]()
20 Jan, 2008
कनकनी सं लोक परेशान
कनकनी सं मिथिलांचल के लोक परेशान अछि. ओना तिला संक्रांति के आस पास सर्दी किछ कम भेल छल मुदा फेर बढ़ि गेल अछि. दरभंगा... मधुबनी... सीतामढ़ी... लौकही के जतेक लोक सं बात भेल सभ गोटे ठंड सं परेशान छथि. अगर धूप निकलबो करय छै त हवा में एतेक कनकनी रहय छै... जे लोक के माथा आओर कान झापने कोनो गुंजाइश नहिं. गाम घर में त लोक सभ घुर तापि गप्प मारैत ठंड सं बचय के कोशिश करय छथि. मुदा नुनु सभ त मानय नहिं छथिन्ह न... ओ सभ एहि कनकनी वाला ठंड में सेहो खेलय निकलि जाइ छथिन्ह. नाक बहैत रहौ... पोटां बहैत रहौ... कोनो बात नहिं.
भोर में त कुहासा ... कोहरा सं किछ दिखायतो नहिं रहैत अछि. कई ठाम त गाड़ी सभ दुर्घटना के शिकार सेहो भ जाय छै... किछ दिखबे नहिं करैत अछि. दस बारह बजे के बाद किछ फरछियाई छै. बेसि जरूरी काज नहिं रहल त लोक घरे पर रहनाय नीक समझय छथि. लोकक काम काज सभ एम्हर ओम्हर भ गेल छै. खेत में काज करय वाला... रिक्शा ठेला चलाबय वाला... मजदूरी कय कमाय खाय वाला लोक सभ परेशान छथि. एहि ठंड में काज सेहो नहिं मिलय छै. सरकार या कोनो गैर सरकारी संगठनक तरफ सं नहिं के बराबर मदद मिल रहल छै. कम्बल... कपड़ा बंटय के चर्चा नहिं के बराबर अछि. बस आगि तापैत रहुं. आई काल्हि बिजली के स्थिति सेहो खराब छै. चौबीस घंटा में मुश्किल सं दु चारि घंटा लाइन रहय छै. एहि में केना चलायब हीटर आ गीजर. बल्ब टिपटिपा जाइअ सेहो बेस.
ई सर्दी में एकेटा मजा आबय छै खाय पीबय में... लाई मुरही... तिलबा...बगिआ... पीठा ... लिट्टी चोखा... सतुआ भरल रोटी... खूब तितगर झोड़ वाला...रसवाला सब्जी... माछ भात... मांस भात खाय लेल ई मौसम सभ सं बेस छै. कचौड़ी... पकौड़ी.. कचड़ी मुरही...आलु चॉप झाल मुरही... प्याज मिरचाई लगा भूजा सभ खाय में जे आनंद छै ओकरा की कहल जाय... एकर असल आनंद त गाम घर में रहिए कS उठा सकय छी. नवका चिउड़ा गुड़ के संग चिबाबय में जे आनंद छै ओ कSत मिलत. चना के आगि में पका के ओरहा खाय में जे मन लगैत अछि ओ स्वर्गीक अछि. एकर आनंद... मजा शहर में रहय वाला लोक कहिओ नहिं लय सकैत छथि. घुरक आगि में आलु... अल्हुआ पका खायब सभ के नसीब नहिं भय सकय छै. गाम में कष्ट छै मुदा हमर मिथिलाक लोक कष्ट के बीच जे आनंद उठाबय छथि ओ एहि दुनिया में कतहुं आओर के लोक नहिं उठा सकैत छथि.
एड्स के फैलत जाल
अपन मिथिला सेहो धीरे-धीरे एड्स के गिरफ्त में आबि रहल अछि. एचआईवी... एड्स आब बाहर रहय वाला बिहारी मजदूर के मार्फत गाम घर में दस्तक द रहल अछि. मिथिलांचल ... बिहार के लाखों लोक बाहर रहय छथिन्ह... एहि में बेसि लोक एहन छथि जे पंजाब... हरियाणा... दिल्ली... मुम्बई... कोलकाता जैसन बड़का शहर... मेट्रो में जाS क मजदूरी करय छथि. रिक्शा... ऑटो... ट्रक चलाबय छथि. सब्जी बेचय... ठेला लगाबय के काज करय छथि. छोट छिन्ह काज कय... नौकरी कय जिनगी चलाबय छथि. महीनों घर सं दूर रहय छथि. एम्हर ओम्हर चलि जाय छथि. जरूरी उपाय नहि करय छथि. सतर्कता नहिं बरतय के कारण एचआईवी के चपेट में आबि जाय छथि. ओना बीमार पड़ला आ दोसरो कारणे खून चढ़यला सं सेहो ई बीमारी कई बेर भ जाय छै. कई बेर छोट छिन अस्पताल में खून के जांच सेहो ठीक सं नहिं होय छै आओर ओ खून जखन चढ़ा देल जाय छै त नीक लोक सेहो बीमार भय जाइत छथिन्ह.
मजदूर सभ एक ठाम काज खत्म भेला पर दोसर ठाम जाS क काज करय छथि. ट्रक ड्राइवर सेहो देश भर में घुमय रहय छथि. ई लोकनि एड्स के बेसि शिकार बनय छथि. बिना कोनो सतर्कता बरतने सम्पर्क बना लैत छथि. आओर एकरा लेल कहि सकय छी सभस बड़का कारण छै जागरूकता के कमी...जानकारी के कमी. सरकार के आओर स्वयंसेवी संस्थान सभ के चाही जे अंग्रेजी चैनल आ अखबार के हटि छोट छिन स्तर पर गाम घर के स्तर पर जागरूकता अभियान चलयताह. दरभंगा... मधुबनी... पूर्णिया... कटिहार... सीतामढ़ी... मुजफ्फरपुर स्टेशन पर बाहर जाय वाला लोक सभ के जागरूक करताह. गाम घर में जाक एकर दुष्परिणाम से लोक के अवगत करयताह. हुनका बताबय पड़तन्हि जे अहां के किछ भ जायत त परिवार के कतेक कष्ट उठाबय पड़त. सरकारी आंकड़ा देखल जाय त सिर्फ मघुबनी में दु साल में करीब सात सौ लोक एचआईवी पॉजिटिव मिलल अछि. ई बड़ गंभीर गप्प अछि . ज्यादातर लोकक परिवार बिखड़ि गेल अ. परिवार... बाल बच्चा बिलखि रहल छै.
पिछला दिन एहि सभ पर जागरूकता लाबय लेल फिनलैंड दूतावासक अधिकारी अन्ना काइसा हेक्कीनेन पंडौल के गुरमाहा गाम में छलाह. ओ साफ कहलथिन्ह एकर बचाव एकर सुरक्षा अछि. बिना जागरूकता किछ नहिं होयत. गाम में भेल सेमिनार एहि पर चर्चा सेहो भेल जे रोजी रोटी कमाय लेल जे गरीब लोक सभ बाहर जाय छथि अनजाने में एकर शिकार बनि जाय छथि. एहि लेल अपना पर कनि नियंत्रण राखु आओर काज पर चलु.
19 Jan, 2008
मांगब बिजली मिलत गोली
बिजली मांगब त मौत मिलत. नहिं मिलय अ त चुप रहुं... अन्हार में रहुं... दिया डिबरी जलाकए रहुं मुदा किछु बोलु नहिं... बोलब त देखिए सकय छी कि भागलपुर के कहलगांव में कि भेल अ. बिहार में आई- काल्हि बिजली के स्थिति एकदम खराब अछि. पटना के छोड़ि दोसर इलाका में दु ओ घंटा बिजली मुश्किल सं मिलय छै. बिजली देवता दिन में कखनो एक दु बेर सिर्फ दर्शन देबय लेल आबय छथिन्ह. आ दर्शन दए फेर तुरंते चलि जाय छथिन्ह. एहि सं खिसिया क लोक सभ जखन बिजली विभाग के खिलाफ सड़क पर उतरलाह त पुलिस के नीक नहिं लागल. डंडा बरसायल गेल...गोली चलायल गेल... ओना पुलिस- प्रशासन के अधिकारी के सस्पेंड क देल गेल अछि. मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जांच के आदेश दए देलखिन्ह अ. मुदा सभसं बड़का सवाल ई अछि कि एहि सं बिजली देवता अएताह कि... नहिं.
कहलगांव में पहिने त शुक्र दिन कई ठाम जाम... धरना प्रदर्शन भेल. लोक सभ तोड़ फोड़ करय लगलाह. पुलिस के सेहो मजबूरी रहय छै कानून व्यवस्था बनाबय के. मुदा एक बेर लोक जखन सड़क पर झंडा- डंडा लS क उतरय छथि त ओ दोसर के परेशानी बिसरि जाय छथिन्ह. अस्पताल में तोड़ फोड़ कएल गेल... आगि लगा देल गेल. आखिर ई सभ किएक. आब अस्पताल में आगि लगा देलिअई अ... इलाज कSत करायब. मानि लिय अहां कतहुं इलाज करबा लेब... गरीब लोक कSत जयताह. कोनो छोट पैघ बात पर रास्ता जाम कए दैत छिअई... गाड़ी घोड़ा नहिं चलय दैत छिअई... सोचय छिअई जे बीमार छथिन्ह... जरूरी काज के लेल जा रहल छथिन्ह... ट्रेन... बस पकड़य जा रहल छथिन्ह... इंटरव्यू के लेल जा रहल छथिन्ह हुनकर कि हाल होयत छन्हि. हुनका जगह पर अपना के धS क देखिऔ. मुदा अहां के दोसर से कि अहां त अपन रोटी सेंकय पर लागल रहय छी.
हम ई मानय छी कि मिथिले नहिं पूरा बिहार में बिजली के स्थिति ठीन नहिं अछि. मुदा एकर ई समाधान नहिं अछि. एक त बिहार में एतेक बिजली नहिं बनय छै जे चौबीसों घंटा बिजली रहय. दोसर केंद्र सरकार बिजली के दाम सेहो बढ़ा देलकय अछि. केन्द्र सं सेहो बिहार के कम बिजली देल जा रहल अछि. आओर अखन जे नीतीश सरकार बनल अछि ओ जे बिजली कारखाना लगाबय के कोशिश कए रहल छथिन्ह ओकर उत्पादन... ओहि में बिजली बनय के काज त दु-चारि साल बादे न होयत. एकर सारा दोष नीतीश पर नहिं देल जा सकय अ. हुनका सं पहिने जे सरकार छल ओ अगर किछ कएने रहैत त आई ई स्थिति नहिं रहैत. प्यास लगला पर कुआं नहिं खोदि सकय छी नहिं एकरा उपाय त पहिने से होबाक चाहि छल कि नहिं.
कांटी आओर बरौनी के हालत कि नीतीश कुमार खराब कएने छलाह... ई त पहिने से कबाड़ जका बनि गेल छल जकरा फेर सं ठीक कएल जा रहल अछि. त जानि लिअ पहिले के सरकार एकर पहिने सं कोनो उपाय नहिं कएने छल जे आगा जाS क बिहार अन्हार में डूबि जायत त ओहि सं कोना निकलल जायत. त अखन केतबो किछ करब बिजली के स्थिति सुधरय में टाइम लागत.
दरभंगा मधुबनी नहिं पुरा मिथिलांचल में बिजली नहिं के बराबर रहय अछि. एहि के लेल अपन अपन प्रतिनिधि जिनका अहां विधानसभा आ लोक सभा में जिता कए भेजने छिअई हुनका मार्फत सं आवाज उठाउ.
पर्थ में तिरंगा

आखिर पर्थ में भारतीय तिरंगा लहरा गेल. लगातार 17 टेस्ट मैच जीतय के रिकी पोंटिंग के सपनाओहिना टूटि गेल जेना 2001 में स्टीव वॉ के कोलकाता में टूटल छल. लगातार 16 मैच जीत चुकलऑस्ट्रेलिया के विजय रथ रोकय के लेल अपन कप्तान जंबों के जवान के जतेक तारीफ कएल जायकम होयत. ऑस्ट्रेलिया के गरूर टूटि गेल. ओना त भारत एहि सं पहिने वाला सिडनी टेस्ट सेहोजीतल रहति मुदा अम्पायर के कारण भारत के हार के मुंह देखय पड़ल छल.
पर्थ के पिच दुनिया के सभस तेज पिच अछि आओर ऑस्ट्रेलिया ई मानि के चलय छल जे एहि ठामत भारत के बल्लेबाज एक के बाद एक कए पवेलियन वापस चलि जयताह... पूरा टीम बिखड़ि जायत मुदा दुनु पारीमें भारत के बनायल रन के हुनकर बल्लेबाज पाछा नहिं कए पयलाह. ऐना भेल जे पांच दिनक मैच चारिए दिन मेंखत्म भ गेल. लक्ष्मण आओर राहुल द्रविड़ सात साल पहिने जेना ऑस्ट्रेलिया के लगातार जीत के राह में दीवारबनल छलाह तहिना एहि बेर फेर ओ खाड़ भ गेलाह. बल्लेबाजी में सचिन तेंदुलकर के संग सहवाग...लक्ष्मणआओर राहुल द्रविड़ के महत्वपूर्ण योगदान रहल. ओना धोनी आओर आरपी सिंह सेहो नीक बल्ला भाजलाह. गेंदबाजी में आरपी सिंह... पठान आओर इशांत शर्मा के प्रदर्शन नीक रहल. मुदा सहवाग जे शुरू में दुटा विकेटलेलाह ओ मैच में टर्निंग प्वाइंट साबित भेल.
सिडनी में जे भेल ओकरा बाद एहि जीत के महत्व आओर बढ़ि जाइत अछि. ई एक तरहे भारत के लेल इज्जत केमैच बनि गेल छल. आओर टीम के सभ खिलाड़ी जेना एकजुट भ खेललाह ओ काबिले तारीफ अछि. ओना फेर दुटानिर्णय एहन छल जे ठीक नहिं कहल जा सकय अ. चलु मुदा अंत भला त सभ भला. मैच में भारत पहिने दिन सअपन पकड़ बनौने रहल. पहिल पारी में बढ़त फेर चारि सय सं ज्यादा के लक्ष्य. ऑस्ट्रेलिया जैसन चैंपियन के लेलई भारी पड़ि गेल. ओ कहिओ सोचलो नहिं होयताह जे हुनकर गढ़ में आबि कोई हुनका मात दय देताह.
एहि जीत के लेल अपन कप्तान जंबो अनिल कुंबले के जतेक सराहना कएल जाय कम होयत. ओ एहन समय परकप्तानी के संभालय लेल आगां आयल छलाह जखन द्रविड़ पाछा हटि गेलाह... सचिन भार उठावय सं इनकार कएदेलाह. एहन हालात में भारत के सभस ज्यादा विकेट लेबय वाला कुंबले टीम के एकजुट
रखय में कामयाब रहला ई बड़का बात अछि. भारत के लेल ई एकटा एतिहासिक जीत अछि.
17 Jan, 2008
दुर्लभ चिड़ियाक शिकार
दफ्तर में संगी सभक गप्प होयत छल. गप्प सर्दी में साइबेरिया आओर दोसर ठाम सं आबय वाला विदेशी पक्षी पर भ रहल छल. संगी सभक कहनाय छलन्हि जे हर साल सर्दी शुरू होबतहि दुर्लभ पक्षी सभ भारतक रुख करय लागैत अछि. एहि में कतेक एहन चिड़िया सभ रहैत अछि ज खत्म होय...विलुप्त होय के कगार पर अछि. ई सभ भरतपुर सं लSक दिल्ली के ओखला तक आबय अ. राजस्थान... दिल्ली सं लS क कइ ठामक गप्प भेल मुदा ओहि में बिहारक...मिथिलाक कोनो जिक्र नहिं भेल त हमरा नहिं रहल गेल. हम हुनका सभ के कहलन्हि जे अहां सभ जे कहुं मुदा मिथिला में सेहो बड़ चिड़िया सभ जाड़ में आबय छै. बरसात खत्म भेलाह के बाद जाड़ा आबय छै. आओर ओकरा बाद नदीए नहिं पोखरि...तालाब डबरा सभ पानि सं भरल रहय छै. दरभंगा... मधुबनी... समस्तीपुर... सहरसा... पूर्णिया तक बागमती... कमला बलान... कोसी नदी के आस पासक इलाका में अहांके हजारों चिड़िया सभ मिलि जायत. कुशेश्वरस्थान... निर्मली... पटोरी मोहिउद्दीन नगर ... केवटी